Romanos 4

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 आब हम सभ अपन पूर्वज अब्राहमक विषय मे की कही? धार्मिक ठहराओल जयबाक सम्‍बन्‍ध मे हुनका की अनुभव भेलनि?
1 Portanto, que diremos do nosso antepassado Abraão?
2 जँ अब्राहम अपन कर्म द्वारा धार्मिक ठहराओल गेलाह तँ ओ अपना पर घमण्‍ड कऽ सकैत छलाह, मुदा परमेश्‍वरक सम्‍मुख हुनका घमण्‍ड करबाक कोनो आधार नहि छलनि,
2 Se de fato Abraão foi justificado pelas obras, ele tem do que se gloriar, mas não diante de Deus.
3 किएक तँ धर्मशास्‍त्र मे ई लिखल अछि जे, “अब्राहम परमेश्‍वरक बातक विश्‍वास कयलनि आ ई विश्‍वास हुनका लेल धार्मिकता मानल गेलनि।”
3 Que diz a Escritura? "Abraão creu em Deus, e isso lhe foi creditado como justiça".
4 काज कयनिहार केँ जखन मजदूरी देल जाइत अछि, तँ ई नहि मानल जाइत अछि जे ओकरा पर कृपा कयल गेलैक, बल्‍कि ई ओकर अधिकार छलैक।
4 Ora, o salário do homem que trabalha não é considerado como favor, mas como dívida.
5 मुदा जे व्‍यक्‍ति अपना काज पर भरोसा नहि रखैत अछि, बल्‍कि ओहि परमेश्‍वर पर विश्‍वास करैत अछि जे पापी सभ केँ धार्मिक ठहरबैत छथि, ताहि व्‍यक्‍ति केँ विश्‍वासक आधार पर परमेश्‍वर ओकरा धार्मिक मानैत छथि ⌞आ ई कृपाक बात अछि⌟।
5 Todavia, àquele que não trabalha, mas confia em Deus que justifica o ímpio, sua fé lhe é creditada como justiça.
6 एही तरहेँ धर्मशास्‍त्र मे दाऊद ओहन मनुष्‍य केँ धन्‍य कहैत छथि जकरा परमेश्‍वर बिनु कर्मक आधार पर धार्मिक मानैत छथिन—
6 Davi diz a mesma coisa, quando fala da felicidade do homem a quem Deus credita justiça independente de obras:
7 “धन्‍य अछि ओ सभ जकर सभक अपराध क्षमा भऽ गेल
7 "Como são felizes aqueles que têm suas transgressões perdoadas, cujos pecados são apagados.
8 धन्‍य अछि ओ मनुष्‍य जकर पापक लेखा प्रभु नहि लेथिन।”
8 Como é feliz aquele a quem o Senhor não atribui culpa".
9 की ई आशिष खतना कराओल लोक सभक लेल मात्र अछि वा तकरो सभक लेल जकरा सभक खतना नहि भेल अछि? हम सभ तँ कहैत आयल छी जे, “अब्राहमक विश्‍वास हुनका लेल धार्मिकता मानल गेलनि।”
9 Destina-se esta felicidade apenas aos circuncisos ou também aos incircuncisos? Já dissemos que, no caso de Abraão, a fé lhe foi creditada como justiça.
10 तँ हुनकर विश्‍वास कोन स्‍थिति मे धार्मिकता मानल गेलनि—हुनकर खतना होमऽ सँ पहिने वा भेलाक बाद? खतना भेलाक बाद नहि, बल्‍कि पहिने!
10 Sob quais circunstâncias? Antes ou depois de ter sido circuncidado? Não foi depois, mas antes!
11 हुनकर खतना जखन नहि भेल छलनि, ताहि समय मे विश्‍वास द्वारा जे धार्मिकता प्राप्‍त भेल छलनि ताहि पर छाप स्‍वरूप खतनाक चिन्‍ह बाद मे लगाओल गेलनि। एहि तरहेँ ओ ओहू लोक सभक पिता भेलाह जे सभ बिनु खतना करौने विश्‍वास करैत अछि, जाहि सँ ओकरो सभक विश्‍वास ओकरा सभक लेल धार्मिकता मानल जाइक।
11 Assim ele recebeu a circuncisão como sinal, como selo da justiça que ele tinha pela fé, quando ainda não fora circuncidado. Portanto, ele é o pai de todos os que crêem, sem terem sido circuncidados, a fim de que a justiça fosse creditada também a eles;
12 अब्राहम ओहि खतना करौनिहार लोक सभक पिता सेहो छथि जे सभ मात्र खतने नहि करौने अछि, बल्‍कि हमरा सभक पिता अब्राहमक ओही विश्‍वासक पद-चिन्‍ह पर सेहो चलैत अछि, जे विश्‍वास खतना होमऽ सँ पहिने हुनका मे छलनि।
12 e é igualmente o pai dos circuncisos que não somente são circuncisos, mas também andam nos passos da fé que teve nosso pai Abraão antes de passar pela circuncisão.
13 अब्राहम आ हुनका वंश केँ जे वचन देल गेल छल जे ओ पृथ्‍वीक उत्तराधिकारी होयताह, से वचन हुनका एहि लेल नहि देल गेल जे ओ धर्म-नियमक पालन कयलनि, बल्‍कि एहि लेल जे ओ विश्‍वास कयलनि आ परमेश्‍वर हुनका धार्मिक मानलथिन।
13 Não foi mediante a lei que Abraão e a sua descendência receberam a promessa de que ele seria o herdeiro do mundo, mas mediante a justiça que vem da fé.
14 जँ वैह सभ उत्तराधिकारी बनैत अछि जे सभ धर्म-नियमक अधीन रहैत अछि, तँ विश्‍वास कयनाइ बेकार अछि आ परमेश्‍वर जे वचन देलनि से निरर्थक भऽ जाइत अछि,
14 Pois se os que vivem pela lei são herdeiros, a fé não tem valor, e a promessa é inútil;
15 किएक तँ धर्म-नियम परमेश्‍वरक प्रकोपे उत्‍पन्‍न करैत अछि, आ जतऽ नियम अछिए नहि, मात्र ततहि आज्ञाक उल्‍लंघन नहि पाओल जाइत अछि।
15 porque a lei produz a ira. E onde não há lei, não há transgressão.
16 एहि कारणेँ परमेश्‍वरक वचनक पूर्तिक आधार अछि मनुष्‍यक विश्‍वास, जाहि सँ सम्‍पूर्ण बात परमेश्‍वरक दिस सँ कृपाक रूप मे रहय आ हुनकर वचन अब्राहमक सभ वंशजक लेल अटल होअय—मात्र तकरे सभक लेल नहि, जकरा सभ केँ धर्म-नियम भेटल छैक, बल्‍कि ओहि सभ लोकक लेल, जे सभ अब्राहम सनक विश्‍वास रखैत अछि। अब्राहम अपना सभ गोटेक पिता छथि,
16 Portanto, a promessa vem pela fé, para que seja de acordo com a graça e seja assim garantida a toda a descendência de Abraão; não apenas aos que estão sob o regime da lei, mas também aos que têm a fé que Abraão teve. Ele é o pai de todos nós.
17 जेना कि लिखल अछि जे, “हम तोरा बहुतो जाति सभक पिता बनौने छिअह।” परमेश्‍वरक दृष्‍टि मे अब्राहम अपना सभक पिता छथि। ओ ओहि परमेश्‍वर पर विश्‍वास कयलनि जे मुइल सभ केँ जिअबैत छथि और जे वस्‍तु अस्‍तित्‍व मे अछिए नहि तकरा अस्‍तित्‍व मे अनैत छथि।
17 Como está escrito: "Eu o constituí pai de muitas nações". Ele é nosso pai aos olhos de Deus, em quem creu, o Deus que dá vida aos mortos e chama à existência coisas que não existem, como se existissem.
18 जाहि परिस्‍थिति मे कोनो आशा नहि राखल जा सकैत छल, ताहू मे अब्राहम आशा राखि विश्‍वास कयलनि और तहिना बहुतो जातिक पिता बनि गेलाह, जेना कि हुनका कहल गेल छलनि जे, “तोहर वंशज असंख्‍य होयतह।”
18 Abraão, contra toda esperança, em esperança creu, tornando-se assim pai de muitas nações, como foi dito a seu respeito: "Assim será a sua descendência".
19 हुनकर उमेर लगभग एक सय वर्षक भऽ गेल छलनि आ ओ जनैत छलाह जे हमर शरीर सँ आब किछु नहि होयत आ ओ इहो जनैत छलाह जे सारा केँ बच्‍चा होयब असम्‍भवे छनि।
19 Sem se enfraquecer na fé, reconheceu que o seu corpo já estava sem vitalidade, pois já contava cerca de cem anos de idade, e que também o ventre de Sara já estava sem vitalidade.
20 तैयो ओ परमेश्‍वरक वचन पर कनेको सन्‍देह नहि कयलनि, बल्‍कि विश्‍वास मे आओर दृढ़ भऽ कऽ परमेश्‍वरक स्‍तुति कयलनि।
20 Mesmo assim não duvidou nem foi incrédulo em relação à promessa de Deus, mas foi fortalecido em sua fé e deu glória a Deus,
21 हुनका पक्‍का विश्‍वास छलनि जे जाहि बातक वचन परमेश्‍वर देने छथि तकरा पूरा करऽ मे ओ सामर्थ्‍यवान छथि।
21 estando plenamente convencido de que ele era poderoso para cumprir o que havia prometido.
22 एही विश्‍वासक कारणेँ ओ धार्मिक मानल गेलाह।
22 Em conseqüência, "isso lhe foi também creditado como justiça".
23 — ausente —
23 As palavras "lhe foi creditado" não foram escritas apenas para ele,
24 — ausente —
24 mas também para nós, a quem Deus creditará justiça, para nós, que cremos naquele que ressuscitou dos mortos a Jesus, nosso Senhor.
25 यीशु मसीह केँ अपना सभक पापक कारणेँ मृत्‍युदण्‍ड देल गेल छलनि आ अपना सभ केँ धार्मिक ठहरयबाक लेल जिआओल गेलनि।
25 Ele foi entregue à morte por nossos pecados e ressuscitado para nossa justificação.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Romanos 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.