2 João 1
jivən səndesh (MAI) vs BKJ
1 ई पत्र हम, “धर्मवृद्ध”, परमेश्वर द्वारा चुनल महिला और हुनकर सन्तान सभ केँ लिखि रहल छी, जिनका सभ सँ हम सत्यक कारणेँ प्रेम करैत छी, और प्रेम हमहींटा नहि, बल्कि ओ सभ लोक सेहो करैत अछि जे सत्य केँ जनैत अछि।
1 O ancião à senhora eleita, e a seus filhos, aos quais amo na verdade; e não apenas eu, mas também todos aqueles que têm conhecido a verdade;
2 ई प्रेम ओहि सत्य पर आधारित अछि जे अपना सभ मे रहैत अछि और अपना सभक संग अनन्त काल तक रहत।
2 por causa da verdade, que habita em nós, e estará conosco para sempre.
3 परमेश्वर पिताक दिस सँ, और पिताक पुत्र यीशु मसीहक दिस सँ, प्रेम और सत्यक संग कृपा, दया और शान्ति अपना सभ पर बनल रहत।
3 Que a graça esteja convosco, misericórdia e paz, da parte de Deus o Pai e do Senhor Jesus Cristo, o Filho do Pai, em verdade e amor.
4 ई देखि हमरा बड्ड आनन्द भेल जे अहाँक किछु सन्तान सत्यक मार्ग पर चलि रहल अछि, जेना पिता अपना सभ केँ आज्ञा देलनि।
4 Alegro-me grandemente por ter encontrado alguns de teus filhos andando em verdade, assim como recebemos o mandamento do Pai.
5 आब, बहिनजी, हम अहाँ केँ कोनो नव आज्ञा नहि लिखि रहल छी; ई अपना सभ केँ शुरुए सँ भेटल अछि—हम विनती करैत छी जे एक-दोसर सँ प्रेम करी।
5 E agora, rogo-te, senhora, não como escrevendo um novo mandamento para ti, mas aquele que desde o princípio tivemos: Que nos amemos uns aos outros.
6 प्रेमक अर्थ ई भेल जे पिताक आज्ञाक अनुसार चली। हुनकर आज्ञा, जे अहाँ सभ शुरू सँ सुनने छी से ई अछि जे, प्रेमक मार्ग पर चलू।
6 E este é o amor: Que andemos segundo os seus mandamentos. Este é o mandamento, no qual, como já desde o princípio ouvistes, deveis andar.
7 संसार मे बहुतो बहकाबऽ वला झुट्ठा-शिक्षक बहरायल अछि जे नहि मानैत अछि जे यीशु मसीह मनुष्य बनि कऽ अयलाह। एहन व्यक्ति धोखा देबऽ वला और “मसीह-विरोधी” अछि।
7 Porque muitos enganadores entraram no mundo, os quais não confessam que Jesus Cristo veio em carne. Este tal é um enganador e um anticristo.
8 सावधान रहू—एना नहि होअय जे, जाहि बातक लेल अहाँ सभ परिश्रम कयलहुँ तकरा गमा दी, बल्कि एना होअय जे अहाँ सभ केँ ओहि परिश्रमक पूरा पुरस्कार भेटय।
8 Olhai por vós, para que não percais as coisas por que trabalhamos, mas recebais a plena recompensa.
9 जे केओ मसीहक शिक्षा मे बनल नहि रहैत अछि, बल्कि ताहि सँ अलग बात मानि कऽ ओहि सँ “आगाँ” भगैत अछि, से परमेश्वर सँ वंचित अछि। जे केओ मसीहक शिक्षा मे रहैत अछि, तकरा लग पिता और पुत्र दूनू छथिन।
9 Todo aquele que transgride, e não permanece na doutrina de Cristo, não tem a Deus. Aquele que permanece na doutrina de Cristo, esse tem tanto ao Pai como ao Filho.
10 जँ अहाँ सभक ओहिठाम ओहन व्यक्ति आबय जे एहि सँ अलग शिक्षा दैत अछि तँ ओकरा अपना घर मे टपऽ नहि दिअ, आ ने ओकरा कुशलताक कामना करिऔक।
10 Se alguém vier ter convosco, e não trouxer esta doutrina, não o recebais em vossa casa, nem tampouco o saudeis.
11 कारण, जे ओकरा कुशलताक कामना करैत अछि, से ओकर दुष्ट काज मे सहभागी बनैत अछि।
11 Porque quem o saúda toma parte em seus feitos malignos.
12 अहाँ सभ केँ बहुत किछु कहबाक अछि, मुदा से सभ हम चिट्ठी मे नहि लिखऽ चाहैत छी। आशा अछि जे अहाँ सभ लग आबि आमने-सामने बात करब, जाहि सँ अपना सभक आनन्द पूर्ण होअय।
12 Tendo muitas coisas para vos escrever, não quis escrever com papel e tinta; mas espero ir ter convosco e falar face a face, para que a nossa alegria seja completa.
13 परमेश्वरक चुनल अहाँक बहिनक सन्तान सभ अहाँ केँ नमस्कार कहैत अछि।
13 Os filhos de tua irmã eleita saúdam-te. Amém.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 João 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.