2 João 1

jivən səndesh (MAI) vs ARIB

Sair da comparação
ARIB Almeida Revisada Imprensa Bíblica
1 ई पत्र हम, “धर्मवृद्ध”, परमेश्‍वर द्वारा चुनल महिला और हुनकर सन्‍तान सभ केँ लिखि रहल छी, जिनका सभ सँ हम सत्‍यक कारणेँ प्रेम करैत छी, और प्रेम हमहींटा नहि, बल्‍कि ओ सभ लोक सेहो करैत अछि जे सत्‍य केँ जनैत अछि।
1 O ancião à senhora eleita, e a seus filhos, aos quais eu amo em verdade, e não somente eu, mas também todos os que conhecem a verdade,
2 ई प्रेम ओहि सत्‍य पर आधारित अछि जे अपना सभ मे रहैत अछि और अपना सभक संग अनन्‍त काल तक रहत।
2 por causa da verdade que permanece em nós, e para sempre estará conosco:
3 परमेश्‍वर पिताक दिस सँ, और पिताक पुत्र यीशु मसीहक दिस सँ, प्रेम और सत्‍यक संग कृपा, दया और शान्‍ति अपना सभ पर बनल रहत।
3 Graça, misericórdia, paz, da parte de Deus Pai e da parte de Jesus Cristo, o Filho do Pai, serão conosco em verdade e amor.
4 ई देखि हमरा बड्ड आनन्‍द भेल जे अहाँक किछु सन्‍तान सत्‍यक मार्ग पर चलि रहल अछि, जेना पिता अपना सभ केँ आज्ञा देलनि।
4 Muito me alegro por ter achado alguns de teus filhos andando na verdade, assim como recebemos mandamento do Pai.
5 आब, बहिनजी, हम अहाँ केँ कोनो नव आज्ञा नहि लिखि रहल छी; ई अपना सभ केँ शुरुए सँ भेटल अछि—हम विनती करैत छी जे एक-दोसर सँ प्रेम करी।
5 E agora, senhora, rogo-te, não como te escrevendo um novo mandamento, mas aquele mesmo que desde o princípio tivemos: que nos amemos uns aos outros.
6 प्रेमक अर्थ ई भेल जे पिताक आज्ञाक अनुसार चली। हुनकर आज्ञा, जे अहाँ सभ शुरू सँ सुनने छी से ई अछि जे, प्रेमक मार्ग पर चलू।
6 E o amor é este: que andemos segundo os seus mandamentos. Este é o mandamento, como já desde o princípio ouvistes, para que nele andeis.
7 संसार मे बहुतो बहकाबऽ वला झुट्ठा-शिक्षक बहरायल अछि जे नहि मानैत अछि जे यीशु मसीह मनुष्‍य बनि कऽ अयलाह। एहन व्‍यक्‍ति धोखा देबऽ वला और “मसीह-विरोधी” अछि।
7 Porque já muitos enganadores saíram pelo mundo, os quais não confessam que Jesus Cristo veio em carne. Tal é o enganador e o anticristo.
8 सावधान रहू—एना नहि होअय जे, जाहि बातक लेल अहाँ सभ परिश्रम कयलहुँ तकरा गमा दी, बल्‍कि एना होअय जे अहाँ सभ केँ ओहि परिश्रमक पूरा पुरस्‍कार भेटय।
8 Olhai por vós mesmos, para que não percais o fruto do nosso trabalho, antes recebeis plena recompensa.
9 जे केओ मसीहक शिक्षा मे बनल नहि रहैत अछि, बल्‍कि ताहि सँ अलग बात मानि कऽ ओहि सँ “आगाँ” भगैत अछि, से परमेश्‍वर सँ वंचित अछि। जे केओ मसीहक शिक्षा मे रहैत अछि, तकरा लग पिता और पुत्र दूनू छथिन।
9 Todo aquele que vai além do ensino de Cristo e não permanece nele, não tem a Deus; quem permanece neste ensino, esse tem tanto ao Pai como ao Filho.
10 जँ अहाँ सभक ओहिठाम ओहन व्‍यक्‍ति आबय जे एहि सँ अलग शिक्षा दैत अछि तँ ओकरा अपना घर मे टपऽ नहि दिअ, आ ने ओकरा कुशलताक कामना करिऔक।
10 Se alguém vem ter convosco, e não traz este ensino, não o recebais em casa, nem tampouco o saudeis.
11 कारण, जे ओकरा कुशलताक कामना करैत अछि, से ओकर दुष्‍ट काज मे सहभागी बनैत अछि।
11 Porque quem o saúda participa de suas más obras.
12 अहाँ सभ केँ बहुत किछु कहबाक अछि, मुदा से सभ हम चिट्ठी मे नहि लिखऽ चाहैत छी। आशा अछि जे अहाँ सभ लग आबि आमने-सामने बात करब, जाहि सँ अपना सभक आनन्‍द पूर्ण होअय।
12 Embora tenha eu muitas coisas para vos escrever, não o quis fazer com papel e tinta; mas espero visitar-vos e falar face a face, para que o nosso gozo seja completo.
13 परमेश्‍वरक चुनल अहाँक बहिनक सन्‍तान सभ अहाँ केँ नमस्‍कार कहैत अछि।
13 Saúdam-te os filhos de tua irmã, a eleita.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 João 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.