Romanos 5

jivən səndesh (MAI) vs ARA

Sair da comparação
ARA Almeida Revista e Atualizada 1993
1 एहि तरहेँ विश्‍वास सँ धार्मिक ठहराओल जयबाक कारणेँ प्रभु यीशु मसीहक द्वारा परमेश्‍वर सँ अपना सभक मेल भेल अछि।
1 Justificados, pois, mediante a fé, temos paz com Deus por meio de nosso Senhor Jesus Cristo;
2 यैह यीशु मसीह अपना सभ केँ परमेश्‍वरक संग एहि नव सम्‍बन्‍ध मे अनने छथि जे सम्‍बन्‍ध हुनका कृपा पर आधारित अछि आ जाहि सम्‍बन्‍ध मे अपना सभ स्‍थिर छी। और परमेश्‍वरक महिमा मे सहभागी होयबाक आशा मे आनन्‍दित छी।
2 por intermédio de quem obtivemos igualmente acesso, pela fé, a esta graça na qual estamos firmes; e gloriamo-nos na esperança da glória de Deus.
3 एतबे नहि, बल्‍कि कष्‍टक समय सभ मे सेहो आनन्‍दित होइत छी, किएक तँ अपना सभ जनैत छी जे कष्‍ट सँ धैर्य उत्‍पन्‍न होइत अछि,
3 E não somente isto, mas também nos gloriamos nas próprias tribulações, sabendo que a tribulação produz perseverança;
4 धैर्य सँ सच्‍चरित्रता आ सच्‍चरित्रता सँ आशा उत्‍पन्‍न होइत अछि।
4 e a perseverança, experiência; e a experiência, esperança.
5 और ई आशा अपना सभ केँ निराश नहि होमऽ दैत अछि, किएक तँ परमेश्‍वर अपन पवित्र आत्‍मा जे अपना सभ केँ देने छथि, तिनका द्वारा अपन प्रेम अपना सभक हृदय मे भरि देने छथि।
5 Ora, a esperança não confunde, porque o amor de Deus é derramado em nosso coração pelo Espírito Santo, que nos foi outorgado.
6 सोचू! अपना सभ जखन असहाये छलहुँ तहिए निर्धारित समय पर मसीह अधर्मी सभक लेल मरलाह।
6 Porque Cristo, quando nós ainda éramos fracos, morreu a seu tempo pelos ímpios.
7 दुर्लभ बात अछि जे कोनो धार्मिको मनुष्‍यक लेल केओ अपन प्राण दिअय। हँ, कोनो नीक मनुष्‍यक लेल केओ मरबाक साहस कैओ लिअय।
7 Dificilmente, alguém morreria por um justo; pois poderá ser que pelo bom alguém se anime a morrer.
8 मुदा परमेश्‍वर अपना प्रेम केँ अपना सभक प्रति एहि तरहेँ देखबैत छथि जे, जखन अपना सभ पापिए छलहुँ तखने मसीह अपना सभक लेल मरलाह।
8 Mas Deus prova o seu próprio amor para conosco pelo fato de ter Cristo morrido por nós, sendo nós ainda pecadores.
9 तेँ जखन अपना सभ मसीहक खून द्वारा एखन धार्मिक ठहराओल गेलहुँ तँ निश्‍चय अपना सभ हुनका द्वारा परमेश्‍वरक दण्‍ड सँ सेहो बँचाओल जायब।
9 Logo, muito mais agora, sendo justificados pelo seu sangue, seremos por ele salvos da ira.
10 किएक तँ जखन शत्रुताक अवस्‍था मे परमेश्‍वरक संग मेल-मिलाप हुनका पुत्रक मृत्‍यु द्वारा भऽ गेल, तखन मेल-मिलाप भऽ गेला पर हुनका पुत्रक जीवन द्वारा अपना सभक उद्धार किएक नहि होयत?
10 Porque, se nós, quando inimigos, fomos reconciliados com Deus mediante a morte do seu Filho, muito mais, estando já reconciliados, seremos salvos pela sua vida;
11 एतबे नहि! अपना प्रभु यीशु मसीहक कारणेँ अपना सभ परमेश्‍वर मे आनन्‍दित सेहो छी, किएक तँ हुनके द्वारा आब परमेश्‍वर सँ मेल-मिलाप भऽ गेल अछि।
11 e não apenas isto, mas também nos gloriamos em Deus por nosso Senhor Jesus Cristo, por intermédio de quem recebemos, agora, a reconciliação.
12 एके मनुष्‍यक द्वारा संसार मे पापक प्रवेश भेल आ पाप द्वारा मृत्‍युक। एहि तरहेँ मृत्‍यु सभ मनुष्‍य मे पसरि गेल, कारण, सभ केओ पाप कयने अछि।
12 Portanto, assim como por um só homem entrou o pecado no mundo, e pelo pecado, a morte, assim também a morte passou a todos os homens, porque todos pecaram.
13 धर्म-नियम जे मूसा केँ देल गेल ताहि सँ पहिने सेहो संसार मे पाप छल, मुदा जतऽ नियम नहि होइत अछि ततऽ “नियम-उल्‍लंघन”क लेखा नहि राखल जाइत अछि।
13 Porque até ao regime da lei havia pecado no mundo, mas o pecado não é levado em conta quando não há lei.
14 तैयो मृत्‍यु आदमक समय सँ लऽ कऽ मूसाक समय धरि ओहू लोक सभ पर शासन कयलक जे सभ परमेश्‍वरक आज्ञाक उल्‍लंघन करबाक द्वारा पाप नहि कयने छल, जेना आदम कयलक।
14 Entretanto, reinou a morte desde Adão até Moisés, mesmo sobre aqueles que não pecaram à semelhança da transgressão de Adão, o qual prefigurava aquele que havia de vir.
15 मुदा आदमक अपराध आ परमेश्‍वरक वरदान मे कोनो समानता नहि। कारण, जँ एके मनुष्‍यक अपराध सँ अनेको मनुष्‍य मरल, तँ एहि सँ कतेक बढ़ि कऽ एके मनुष्‍यक, अर्थात् यीशु मसीहक, वरदान द्वारा अनेको मनुष्‍य पर परमेश्‍वरक कृपा बरसल।
15 Todavia, não é assim o dom gratuito como a ofensa; porque, se, pela ofensa de um só, morreram muitos, muito mais a graça de Deus e o dom pela graça de um só homem, Jesus Cristo, foram abundantes sobre muitos.
16 कहाँ ओ एक व्‍यक्‍तिक पापक परिणाम आ कहाँ ई परमेश्‍वरक वरदान!—एहि मे कोनो समानता नहि, किएक तँ एक अपराधक फलस्‍वरूप न्‍याय कयल गेल आ मनुष्‍य केँ दण्‍ड-आज्ञा भेटलैक, मुदा बहुतो अपराधक बाद जे वरदान देल गेलैक, ताहि द्वारा दोष सँ छुटकारा भेटलैक।
16 O dom, entretanto, não é como no caso em que somente um pecou; porque o julgamento derivou de uma só ofensa, para a condenação; mas a graça transcorre de muitas ofensas, para a justificação.
17 जँ एके मनुष्‍यक पापक कारणेँ ओहि मनुष्‍य द्वारा मृत्‍यु राज्‍य कयलक, तँ एहि सँ कतेक बढ़ि कऽ जकरा सभ केँ परमेश्‍वरक प्रशस्‍त कृपा आ धार्मिकताक दान भेटल छैक, से सभ एके मनुष्‍य, अर्थात् यीशु मसीह, द्वारा जीवन मे राज्‍य करत।
17 Se, pela ofensa de um e por meio de um só, reinou a morte, muito mais os que recebem a abundância da graça e o dom da justiça reinarão em vida por meio de um só, a saber, Jesus Cristo.
18 एहि तरहेँ अपना सभ देखैत छी जे, जहिना एके अपराधक फलस्‍वरूप सभ मनुष्‍य केँ दण्‍ड-आज्ञा भेटलैक, तहिना एके नीक काजक फलस्‍वरूप सभ मनुष्‍यक लेल दोष सँ छुटकारा आ जीवनक प्रबन्‍ध कयल गेल।
18 Pois assim como, por uma só ofensa, veio o juízo sobre todos os homens para condenação, assim também, por um só ato de justiça, veio a graça sobre todos os homens para a justificação que dá vida.
19 किएक तँ जाहि तरहेँ एक मनुष्‍यक आज्ञा-उल्‍लंघन सँ अनेको मनुष्‍य पापी भेल, ओही तरहेँ एक मनुष्‍यक आज्ञा-पालन सँ अनेको मनुष्‍य धार्मिक ठहराओल जायत।
19 Porque, como, pela desobediência de um só homem, muitos se tornaram pecadores, assim também, por meio da obediência de um só, muitos se tornarão justos.
20 बीच मे धर्म-नियम आबि गेला सँ पापक वृद्धि भेल, मुदा जतऽ पाप बढ़ल ततऽ परमेश्‍वरक कृपा आरो बढ़ल,
20 Sobreveio a lei para que avultasse a ofensa; mas onde abundou o pecado, superabundou a graça,
21 जाहि सँ जहिना पाप मनुष्‍य केँ मृत्‍यु दऽ कऽ शासन करैत छल, तहिना परमेश्‍वरक कृपा मनुष्‍य केँ धार्मिक ठहरा कऽ शासन करय, जकर फल अपना सभक प्रभु यीशु मसीह द्वारा अनन्‍त जीवन अछि।
21 a fim de que, como o pecado reinou pela morte, assim também reinasse a graça pela justiça para a vida eterna, mediante Jesus Cristo, nosso Senhor.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Romanos 5, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.