Romanos 16

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 एहि पत्र द्वारा किंख्रिया शहरक मण्‍डली-सेविका, अपना सभक बहिन फीबेक परिचय दैत
1 Recomendo-lhes nossa irmã Febe, serva da igreja em Cencréia.
2 हम अहाँ सभ सँ निवेदन करैत छी जे, जाहि तरहेँ परमेश्‍वरक लोक केँ एक-दोसराक स्‍वागत करबाक चाही तहिना अहाँ सभ प्रभु मे हुनकर स्‍वागत करिऔन, आ जँ हुनका कोनो बात मे अहाँ सभक सहायताक आवश्‍यकता होनि तँ अहाँ सभ हुनकर सहायता करिऔन, कारण, ओ बहुतो लोकक, आ हमरो, बड्ड सहायता कयने छथि।
2 Peço que a recebam no Senhor, de maneira digna dos santos, e lhe prestem a ajuda de que venha a necessitar; pois tem sido de grande auxílio para muita gente, inclusive para mim.
3 मसीह यीशुक काज मे हमर सहकर्मी प्रिस्‍किला आ अक्‍विला केँ हमर नमस्‍कार।
3 Saúdem Priscila e Áqüila, meus colaboradores em Cristo Jesus.
4 ओ सभ हमर प्राण बचयबाक लेल अपन जीवन संकट मे कऽ लेने छलाह। मात्र हमहीं नहि, बल्‍कि गैर-यहूदी लोकक सभ मण्‍डली अपना केँ हुनका सभक आभारी मानैत छथि।
4 Arriscaram a vida por mim. Sou grato a eles; não apenas eu, mas todas as igrejas dos gentios.
5 हुनका सभक घर मे जमा होमऽ वला मण्‍डली केँ सेहो नमस्‍कार।
5 Saúdem também a igreja que se reúne na casa deles. Saúdem meu amado irmão Epêneto, que foi o primeiro convertido a Cristo na província da Ásia.
6 मरियम केँ सेहो हमर नमस्‍कार अछि, जे अहाँ सभक लेल बहुत परिश्रम कयने छथि।
6 Saúdem Maria, que trabalhou arduamente por vocês.
7 अन्‍द्रोनिकुस आ यूनियास, जे हमर जाति-भाय सभ छथि और हमरा संग जहल मे छलाह, तिनका सभ केँ हमर नमस्‍कार कहू। ई सभ मसीह-दूत सभ मे प्रतिष्‍ठित लोक छथि आ हमरा सँ पहिने मसीहक विश्‍वासी भेलाह।
7 Saúdem Andrônico e Júnias, meus parentes que estiveram na prisão comigo. São notáveis entre os apóstolos, e estavam em Cristo antes de mim.
8 अम्‍पलियातुस केँ, जे प्रभु मे हमर प्रिय मित्र छथि, तिनका हमर नमस्‍कार।
8 Saúdem Amplíato, meu amado irmão no Senhor.
9 मसीहक काज मे अपना सभक सहकर्मी उरबानुस आ हमर प्रिय मित्र इस्‍तखुस केँ हमर नमस्‍कार कहू।
9 Saúdem Urbano, nosso cooperador em Cristo, e meu amado irmão Estáquis.
10 अपिलेस केँ, जे परीक्षा मे स्‍थिर रहि मसीहक दृष्‍टि मे सुयोग्‍य सेवक निकललाह, हमर नमस्‍कार। अरिस्‍तुबुलुस आ हुनकर परिवारक लोक केँ हमर नमस्‍कार।
10 Saúdem Apeles, aprovado em Cristo. Saúdem os que pertencem à casa de Aristóbulo.
11 हमर जाति-भाय हेरोदियोन केँ, आ नरकिस्‍सुसक परिवार मे जे सभ प्रभुक लोक छथि, तिनका सभ केँ हमर नमस्‍कार कहू।
11 Saúdem Herodião, meu parente. Saúdem os da casa de Narciso, que estão no Senhor.
12 प्रभुक सेवा मे परिश्रम करऽ वाली त्रुफेना आ त्रुफोसा केँ हमर नमस्‍कार।
12 Saúdem Trifena e Trifosa, mulheres que trabalham arduamente no Senhor. Saúdem a amada Pérside, outra que trabalhou arduamente no Senhor.
13 प्रभुक कृपापात्र रूफुस आ हुनकर माय केँ, जे हमरो माये छथि, तिनका सभ केँ हमर नमस्‍कार अछि।
13 Saúdem Rufo, eleito no Senhor, e sua mãe, que tem sido mãe também para mim.
14 असुंक्रितुस, फिलेगोन, हिरमेस, पत्रुबास, हिर्मास आ हुनका सभक संग जे आओर भाय सभ छथि, तिनका सभ केँ हमर नमस्‍कार कहू।
14 Saúdem Asíncrito, Flegonte, Hermes, Pátrobas, Hermas e os irmãos que estão com eles.
15 फिलोलोगुस आ यूलिया, नेरियुस आ हुनकर बहिन, उलुम्‍पास और प्रभुक आरो सभ लोक जे हुनका सभक संग छथि, तिनका सभ केँ हमर नमस्‍कार।
15 Saúdem Filólogo, Júlia, Nereu e sua irmã, e também Olimpas e todos os santos que estão com eles.
16 पवित्र मोन सँ एक-दोसर केँ सस्‍नेह नमस्‍कार करू। मसीहक सभ मण्‍डलीक लोक अहाँ सभ केँ नमस्‍कार कहैत छथि।
16 Saúdem uns aos outros com beijo santo. Todas as igrejas de Cristo enviam-lhes saudações.
17 यौ भाइ लोकनि, हम अहाँ सभ सँ आग्रहपूर्बक विनती करैत छी जे अहाँ सभ ओहन लोक सभ सँ सावधान रहू जे सभ अहाँ सभ जे शिक्षा पौने छी तकरा विरुद्ध बात सिखा कऽ अहाँ सभ मे फूट करबैत अछि आ अहाँ सभक विश्‍वास केँ बिगाड़बाक कोशिश करैत अछि। अहाँ सभ ओहन लोक सभ सँ दूरे रहू।
17 Recomendo-lhes, irmãos, que tomem cuidado com aqueles que causam divisões e colocam obstáculos ao ensino que vocês têm recebido. Afastem-se deles.
18 ओ सभ अपना सभक प्रभु मसीहक सेवा नहि, बल्‍कि अपन पेटक पूजा करैत अछि। ओ सभ फुसलाबऽ वला मिठगर-मिठगर बात कऽ कऽ सोझगर लोक सभ केँ भटका दैत अछि।
18 Pois essas pessoas não estão servindo a Cristo, nosso Senhor, mas a seus próprios apetites. Mediante palavras suaves e bajulação, enganam os corações dos ingênuos.
19 अहाँ सभक आज्ञा-पालनक चर्चा सभ ठाम पसरि गेल अछि। तेँ अहाँ सभक कारणेँ हमरा बहुत आनन्‍द अछि। मुदा तैयो हम चाहैत छी जे अहाँ सभ नीक काज करऽ मे बुद्धिमान बनू आ अधलाह काज सभ सँ दूर रहू।
19 Todos têm ouvido falar da obediência de vocês, por isso estou muito alegre; mas quero que sejam sábios em relação ao que é bom, e sem malícia em relação ao que é mau.
20 शान्‍तिदाता परमेश्‍वर बहुत जल्‍दी शैतान केँ अहाँ सभक पयरक तर मे थुरबौताह। अपना सभक प्रभु यीशुक कृपा अहाँ सभ पर बनल रहय।
20 Em breve o Deus da paz esmagará Satanás debaixo dos pés de vocês. A graça de nosso Senhor Jesus seja com vocês.
21 हमर सहकर्मी तिमुथियुस, आ जाति-भाय सभ लूकियुस, यासोन आ सोसिपात्रस अहाँ सभ केँ नमस्‍कार कहि रहल छथि।
21 Timóteo, meu cooperador, envia-lhes saudações, bem como Lúcio, Jasom e Sosípatro, meus parentes.
22 हम, तेरतियुस, जे एहि पत्र केँ लिखबाक काज कयलहुँ, अहाँ सभ केँ प्रभु मे नमस्‍कार कऽ रहल छी।
22 Eu, Tércio, que redigi esta carta, saúdo vocês no Senhor.
23 गयुसक दिस सँ नमस्‍कार जे एहिठामक सम्‍पूर्ण मण्‍डलीक और हमरो अतिथि-सत्‍कार कयनिहार छथि। एहि नगरक कोषाध्‍यक्ष इरास्‍तुस आ अपना सभक भाय क्‍वारतुस सेहो अहाँ सभ केँ अपन नमस्‍कार पठा रहल छथि।
23 Gaio, cuja hospitalidade eu e toda a igreja desfrutamos, envia-lhes saudações. Erasto, administrador da cidade, e nosso irmão Quarto enviam-lhes saudações.
24 [अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक कृपा अहाँ सभ पर बनल रहय। आमीन।]
24 Que a graça de nosso Senhor Jesus Cristo seja com vocês todos. Amém.
25 आब ओहि परमेश्‍वरक स्‍तुति होनि जे अहाँ सभ केँ यीशु मसीहक शुभ समाचार द्वारा, अर्थात् जे शुभ समाचार हम सुनबैत छी, ताहि शुभ समाचार द्वारा स्‍थिर राखऽ मे समर्थ छथि। ई शुभ समाचार ओहि रहस्‍यक उद्‌घाटन अछि जे युग-युग सँ गुप्‍त राखल गेल छल,
25 Ora, àquele que tem poder para confirmá-los pelo meu evangelho e pela proclamação de Jesus Cristo, de acordo com a revelação do mistério oculto nos tempos passados,
26 मुदा आब प्रगट भऽ गेल अछि। और आब युगानुयुग तक रहनिहार परमेश्‍वरक आदेशानुसार हुनकर प्रवक्‍ता सभक लेख सभक प्रचार द्वारा ई शुभ समाचार सुनाओल जा रहल अछि, जाहि सँ सभ जातिक लोक विश्‍वास कऽ हुनकर आज्ञाकारी बननि।
26 mas agora revelado e dado a conhecer pelas Escrituras proféticas por ordem do Deus eterno, para que todas as nações venham a crer nele e a obedecer-lhe,
27 ओही एकमात्र ज्ञानमय परमेश्‍वरक स्‍तुति यीशु मसीहक द्वारा युगानुयुग होइत रहनि! आमीन।
27 ao único Deus sábio seja dada glória para todo o sempre, por meio de Jesus Cristo. Amém.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Romanos 16, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.