Romanos 11

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 आब ई प्रश्‍न उठैत अछि जे, की परमेश्‍वर अपन प्रजा इस्राएली सभक परित्‍याग कऽ देने छथि? किन्‍नहुँ नहि! हम अपने इस्राएली छी, अब्राहमक वंशज आ बिन्‍यामीनक कुलक छी।
1 Pergunto, pois: Acaso Deus rejeitou o seu povo? De maneira nenhuma! Eu mesmo sou israelita, descendente de Abraão, da tribo de Benjamim.
2 परमेश्‍वर अपन ओहि प्रजा केँ जकरा ओ शुरुए सँ चिन्‍हैत छलाह, परित्‍याग नहि कयने छथि। की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे धर्मशास्‍त्रक ओहि भाग मे की लिखल अछि, जतऽ कहल गेल अछि जे एलियाह कोना परमेश्‍वर सँ इस्राएली सभक विरोध मे सिकायत कयलनि? ओ कहलनि,
2 Deus não rejeitou o seu povo, o qual de antemão conheceu. Ou vocês não sabem como Elias clamou a Deus contra Israel, conforme diz a Escritura?
3 “यौ प्रभु, ओ सभ अहाँक प्रवक्‍ता सभक हत्‍या कऽ देने अछि आ अहाँक बलि-वेदी सभ केँ नष्‍ट कऽ देने अछि। हम असगरे अहाँ केँ मानऽ वला बाँचि गेल छी आ ओ सभ हमरो प्राण लेबऽ चाहैत अछि।”
3 "Senhor, mataram os teus profetas e derrubaram os teus altares; sou o único que sobrou, e agora estão procurando matar-me".
4 तँ परमेश्‍वर हुनका की उत्तर देलथिन? ई जे, “हम अपना लेल सात हजार लोक केँ बँचा कऽ रखने छी, जे सभ बाअल देवताक मुरुतक समक्ष दण्‍डवत नहि कयने अछि।”
4 E qual foi a resposta divina? "Reservei para mim sete mil homens que não dobraram os joelhos diante de Baal".
5 ठीक एही प्रकारेँ वर्तमान समय मे सेहो परमेश्‍वर अपना प्रजा मे सँ अपना लेल एक छोट भाग बचा कऽ रखने छथि जकरा ओ अपना कृपा सँ चुनलनि।
5 Assim, hoje também há um remanescente escolhido pela graça.
6 और ई जँ परमेश्‍वरक कृपाक परिणाम अछि, तँ मनुष्‍यक कर्मक फल आब नहि भेल, नहि तँ परमेश्‍वरक कृपा कृपे नहि रहैत।
6 E, se é pela graça, já não é mais pelas obras; se fosse, a graça já não seria graça.
7 तँ एकर मतलब की भेल? ई जे, इस्राएली सभ जाहि बातक खोज मे छलाह, से हुनका सभ गोटे केँ नहि भेटलनि, मुदा तिनका सभ केँ भेटलनि जे सभ चुनल गेल छलाह। बाँकी लोक सभ जिद्दी बनि गेलैक,
7 Que dizer então? Israel não conseguiu aquilo que tanto buscava, mas os eleitos o obtiveram. Os demais foram endurecidos,
8 जेना धर्मशास्‍त्र मे लिखलो अछि,
8 como está escrito: "Deus lhes deu um espírito de atordoamento, olhos para não ver e ouvidos para não ouvir, até o dia de hoje".
9 तहिना दाऊद कहैत छथि जे,
9 E Davi diz: "Que a mesa deles se transforme em laço e armadilha, pedra de tropeço e retribuição para eles.
10 ओकरा सभक आँखिक आगाँ अन्‍हार पसरि जाइक जाहि सँ ओ सभ देखि नहि सकय
10 Escurençam-se os seus olhos, para que não consigam ver, e suas costas fiquem encurvadas para sempre".
11 ई प्रश्‍न आब उठि सकैत अछि जे, की इस्राएली सभ एहन ठोकर खयलनि जे आब हुनका सभक लेल कोनो उपाये नहि अछि? किन्‍नहुँ नहि! बल्‍कि हुनका सभक अपराधक कारणेँ गैर-यहूदी लोक सभ केँ उद्धार भेटल अछि, जाहि सँ से देखि कऽ इस्राएलिओ सभ मे उद्धार पयबाक उत्‍सुकता जागि उठनि।
11 Novamente pergunto: Acaso tropeçaram para que ficassem caídos? De maneira nenhuma! Ao contrário, por causa da transgressão deles, veio salvação para os gentios, para provocar ciúme em Israel.
12 आब जखन इस्राएली सभक अपराध आ पतन सँ संसार केँ, अर्थात् आन जाति सभ केँ, एतेक लाभ भेलैक, तँ सोचू जे तखन कतेक लाभ होयत जखन ओ सभ इस्राएली, जतेक केँ परमेश्‍वर चुनने छथि, से अपन पूर्ण संख्‍या मे विश्‍वास कऽ कऽ मसीह लग आबि जयताह!
12 Mas se a transgressão deles significa riqueza para o mundo, e o seu fracasso, riqueza para os gentios, quanto mais significará a sua plenitude!
13 आब अहाँ सभ केँ, जे सभ गैर-यहूदी लोक छी, हम ई कहैत छी। हम तँ गैर-यहूदी लोक मे प्रचार करबाक लेल मसीह-दूतक रूप मे चुनल गेल छी, आ हम अपन एहि काज केँ विशेष महत्‍व दैत छी,
13 Estou falando a vocês, gentios. Visto que sou apóstolo para os gentios, exalto o meu ministério,
14 जाहि सँ अहाँ सभ केँ जे किछु भेटल अछि, से प्राप्‍त करबाक उत्‍सुकता हम अपन सजातिक लोक सभ मे उत्‍पन्‍न कऽ कोनो तरहेँ हुनका सभ मे सँ किछु लोक केँ बचा सकी।
14 na esperança de que de alguma forma possa provocar ciúme em meu próprio povo e salvar alguns deles.
15 किएक तँ जँ हुनका सभ केँ परित्‍यागक फलस्‍वरूप परमेश्‍वरक संग संसारक मेल-मिलाप भेल अछि तँ हुनका सभ केँ स्‍वीकारक परिणाम हुनका सभक लेल मरल स्‍थिति मे सँ जिआओल जयबाक बात छोड़ि आओर की होयत?
15 Pois se a rejeição deles é a reconciliação do mundo, o que será a sua aceitação, senão vida dentre os mortos?
16 जँ सानल आँटाक ओ भाग पवित्र अछि जे “प्रथम फलक” रूप मे अर्पण कयल गेल, तँ सम्‍पूर्ण सानल आँटा पवित्र अछि। जँ गाछक जड़ि पवित्र अछि तँ गाछक ठाढ़ि सेहो पवित्र अछि।
16 Se é santa a parte da massa que é oferecida como primeiros frutos, toda a massa também o é; se a raiz é santa, os ramos também o serão.
17 मुदा जँ गाछक किछु ठाढ़ि काटि कऽ अलग कयल गेल अछि आ अहाँ सभ, जे सभ जंगली जैतूनक ठाढ़ि छी, से सभ ओहि नीक जैतून मे कलम लगाओल गेलहुँ आ ओकर जड़ि आ रस-भण्‍डार मे सहभागी भेलहुँ,
17 Se alguns ramos foram cortados, e você, sendo oliveira brava, foi enxertado entre os outros e agora participa da seiva que vem da raiz da oliveira,
18 तँ ओहि काटल ठाढ़ि सभक सम्‍मुख अहंकार नहि करू। जँ अहाँ सभ अहंकार करी तँ मोन राखू जे जड़ि अहाँ सभ पर नहि, बल्‍कि अहाँ सभ जड़ि पर आश्रित छी।
18 não se glorie contra esses ramos. Se o fizer, saiba que não é você quem sustenta a raiz, mas a raiz a você.
19 आब अहाँ सभ कहब जे, “ठाढ़ि सभ केँ एहि लेल काटल गेल जे हमरा सभ केँ कलम लगाओल जाय।”
19 Então você dirá: "Os ramos foram cortados, para que eu fosse enxertado".
20 मानलहुँ। मुदा हुनका सभ केँ अविश्‍वासेक कारणेँ काटि कऽ अलग कयल गेलनि, आ अहाँ सभ विश्‍वासक कारण अपन स्‍थान पर स्‍थिर छी। तेँ अहंकार नहि करू, बल्‍कि भय मानू।
20 Está certo. Eles, porém, foram cortados devido à incredulidade, e você permanece pela fé. Não se orgulhe, mas tema.
21 किएक तँ जखन परमेश्‍वर मूल ठाढ़ि केँ नहि छोड़लनि तँ ओ अहूँ सभ केँ नहि छोड़ताह।
21 Pois se Deus não poupou os ramos naturais, também não poupará você.
22 तेँ परमेश्‍वरक दया आ कठोरता, दूनू पर ध्‍यान राखू—कठोरता तकरा सभ पर अछि जकरा सभक पतन भऽ गेल छैक, मुदा अहाँ सभक लेल हुनकर दया अछि, लेकिन से तखने जखन अहाँ सभ हुनकर दयाक शरण मे रहब; नहि तँ अहूँ सभ काटि कऽ अलग कऽ देल जायब।
22 Portanto, considere a bondade e a severidade de Deus: severidade para com aqueles que caíram, mas bondade para com você, desde que permaneça na bondade dele. De outra forma, você também será cortado.
23 एही तरहेँ जँ ओहो सभ अपन अविश्‍वास मे जिद्दी बनल नहि रहताह तँ हुनको सभ केँ कलम लगाओल जयतनि। किएक तँ परमेश्‍वर सामर्थ्‍यवान छथि जे हुनका सभ केँ फेर कलम लगा लेथि।
23 E quanto a eles, se não continuarem na incredulidade, serão enxertados, pois Deus é capaz de enxertá-los outra vez.
24 कारण, जखन अहाँ सभ जंगली जैतूनक गाछ सँ काटल जा कऽ प्रकृतिक विपरीत एक नीक गाछ मे कलम लगाओल गेलहुँ, तँ जे नीक जैतूनक असली ठाढ़ि अछि से किएक नहि अपन गाछ मे आसानी सँ कलम लगाओल जायत?
24 Afinal de contas, se você foi cortado de uma oliveira brava por natureza e, de maneira antinatural, foi enxertado numa oliveira cultivada, quanto mais serão enxertados os ramos naturais em sua própria oliveira?
25 यौ भाइ लोकनि, कतौ एहन नहि होअय जे अहाँ सभ अपना केँ बहुत बुद्धिमान बुझी। तेँ हम अहाँ सभ केँ ई सत्‍य, जे पहिने गुप्‍त छल, से बुझाबऽ चाहैत छी जे, इस्राएलक अधिकांश लोक जे जिद्दी बनल अछि, से बात सभ दिन तक नहि रहत, बल्‍कि तहिये तक जहिया तक परमेश्‍वरक चुनल गैर-यहूदी लोकक पूर्ण संख्‍याक प्रवेश नहि भऽ जाइत अछि।
25 Irmãos, não quero que ignorem este mistério, para que não se tornem presunçosos: Israel experimentou um endurecimento em parte, até que chegasse a plenitude dos gentios.
26 और एहि तरहेँ सम्‍पूर्ण इस्राएलक उद्धार होयत, जेना कि धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि,
26 E assim todo o Israel será salvo, como está escrito: "Virá de Sião o redentor que desviará de Jacó a impiedade.
27 प्रभु-परमेश्‍वर कहैत छथि जे,
27 E esta é a minha aliança com eles quando eu remover os seus pecados".
28 शुभ समाचार केँ अस्‍वीकार करबाक कारणेँ यहूदी सभ परमेश्‍वरक शत्रु ठहरि गेल छथि, जे अहाँ सभक लेल हितक बात भेल, मुदा परमेश्‍वर हुनका सभक पूर्वज लोकनि केँ चुनने छलाह, आ तेँ पूर्वज सभ केँ देल वचनक कारणेँ ओ सभ परमेश्‍वरक प्रिय प्रजा छथि।
28 Quanto ao evangelho, eles são inimigos por causa de vocês; mas quanto à eleição, são amados por causa dos patriarcas,
29 कारण, परमेश्‍वर जखन ककरो बजयबाक वा किछु देबाक निर्णय करैत छथि तँ ओ अपन निर्णय बदलैत नहि छथि।
29 pois os dons e o chamado de Deus são irrevogáveis.
30 जहिना पहिने अहाँ सभ परमेश्‍वरक अनाज्ञाकारी छलहुँ मुदा आब यहूदी सभ केँ अनाज्ञाकारी होयबाक कारणेँ अहाँ सभ पर दया कयल गेल अछि,
30 Assim como vocês, que antes eram desobedientes a Deus mas agora receberam misericórdia, graças à desobediência deles,
31 तहिना यहूदी सभ एखन अनाज्ञाकारी छथि जाहि सँ ओहि दयाक कारणेँ जे अहाँ सभ पर कयल गेल, हुनको सभ पर आब दया कयल जानि।
31 assim também agora eles se tornaram desobedientes, a fim de que também recebam agora misericórdia, graças à misericórdia de Deus para com vocês.
32 किएक तँ परमेश्‍वर सभ केँ अनाज्ञाकारिताक बन्‍हन मे बान्‍हि लेने छथि जाहि सँ सभ पर ओ कृपा करथि।
32 Pois Deus colocou todos sob a desobediência, para exercer misericórdia para com todos.
33 अहा! परमेश्‍वरक वैभव, बुद्धि आ ज्ञान केहन अपरम्‍पार छनि!
33 Ó profundidade da riqueza da sabedoria e do conhecimento de Deus! Quão insondáveis são os seus juízos, e inescrutáveis os seus caminhos!
34 जेना कि धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि,
34 "Quem conheceu a mente do Senhor? Ou quem foi seu conselheiro? "
35 “परमेश्‍वर केँ के कहियो किछु देने अछि
35 "Quem primeiro lhe deu, para que ele o recompense? "
36 सभ किछु तँ हुनका सँ, हुनका द्वारा आ हुनका लेल अछि।
36 Pois dele, por ele e para ele são todas as coisas. A ele seja a glória para sempre! Amém.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Romanos 11, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.