Mateus 11
jivən səndesh (MAI) vs VC
1 यीशु अपन बारहो शिष्य केँ एहि तरहेँ आज्ञा सभ दऽ कऽ ओतऽ सँ चल गेलाह आ लग-पासक नगर सभ मे शिक्षा देबऽ लगलाह आ शुभ समाचार सुनाबऽ लगलाह।
1 Após ter dado instruções aos seus doze discípulos, Jesus partiu para ensinar e pregar nas cidades daquela região.
2 जखन बपतिस्मा देनिहार यूहन्ना जहल मे मसीहक काजक चर्चा सुनलनि तँ ओ अपन शिष्य सभ केँ यीशु लग ई पुछबाक लेल पठौलथिन जे,
2 Tendo João, em sua prisão, ouvido falar das obras de Cristo, mandou-lhe dizer pelos seus discípulos:
3 “ओ जे आबऽ वला छलाह, से की अहीं छी वा हम सभ दोसराक बाट ताकू?”
3 Sois vós aquele que deve vir, ou devemos esperar por outro?
4 यीशु हुनका सभ केँ उत्तर देलथिन, “जे किछु अहाँ सभ सुनैत छी आ देखैत छी, से सभ बात यूहन्ना केँ जा कऽ सुना दिऔन—
4 Respondeu-lhes Jesus: Ide e contai a João o que ouvistes e o que vistes:
5 आन्हर सभ देखि रहल अछि, नाङड़ सभ चलि-फिरि रहल अछि, कुष्ठ-रोगी सभ स्वस्थ कयल जा रहल अछि, बहीर सभ सुनि रहल अछि, मुइल सभ जिआओल जा रहल अछि आ असहाय सभ केँ शुभ समाचार सुनाओल जा रहल छैक।
5 os cegos vêem, os coxos andam, os leprosos são limpos, os surdos ouvem, os mortos ressuscitam, o Evangelho é anunciado aos pobres...
6 धन्य अछि ओ जे हमरा कारणेँ अपना विश्वास केँ नहि छोड़ैत अछि।”
6 Bem-aventurado aquele para quem eu não for ocasião de queda!
7 यूहन्नाक शिष्य सभ जखन घूमि कऽ जा रहल छलाह तँ यीशु यूहन्नाक बारे मे भीड़क संग बात करैत पुछलथिन, “अहाँ सभ निर्जन क्षेत्र मे की देखबाक लेल गेल छलहुँ? हवा मे हिलैत खड़ही केँ?
7 Tendo eles partido, disse Jesus à multidão a respeito de João: Que fostes ver no deserto? Um caniço agitado pelo vento?
8 तखन की देखऽ लेल निकलल छलहुँ? बढ़ियाँ-बढ़ियाँ वस्त्र पहिरने कोनो मनुष्य केँ? बढ़ियाँ वस्त्र पहिरऽ वला सभ तँ राजभवन मे भेटैत अछि।
8 Que fostes ver, então? Um homem vestido com roupas luxuosas? Mas os que estão revestidos de tais roupas vivem nos palácios dos reis.
9 तखन फेर, अहाँ सभ की देखबाक लेल गेल छलहुँ? की परमेश्वरक प्रवक्ता केँ? हँ, हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे प्रवक्तो सँ पैघ व्यक्ति केँ देखलहुँ।
9 Então por que fostes para lá? Para ver um profeta? Sim, digo-vos eu, mais que um profeta.
10 “ई वैह दूत छथि जिनका सम्बन्ध मे धर्मशास्त्र मे लिखल अछि,
10 É dele que está escrito: Eis que eu envio meu mensageiro diante de ti para te preparar o caminho {Ml 3,1}.
11 “हम अहाँ सभ केँ सत्ये कहैत छी जे मनुष्य सभ मे बपतिस्मा देनिहार यूहन्ना सँ पैघ केओ कहियो जन्म नहि लेने अछि, तैयो स्वर्गक राज्य मे जे सभ सँ छोट अछि से हुनका सँ पैघ अछि।
11 Em verdade vos digo: entre os filhos das mulheres, não surgiu outro maior que João Batista. No entanto, o menor no Reino dos céus é maior do que ele.
12 यूहन्नाक समय सँ लऽ कऽ आइ धरि स्वर्गक राज्य जोर-तोड़ सँ आगाँ बढ़ि रहल अछि; लोक सभ रेड़म-रेड़ा कऽ कऽ स्वर्गक राज्य पर अधिकार कऽ रहल अछि।
12 Desde a época de João Batista até o presente, o Reino dos céus é arrebatado à força e são os violentos que o conquistam.
13 किएक तँ परमेश्वरक सभ प्रवक्ता लोकनिक लेख आ धर्म-नियम सेहो यूहन्नाक समय धरि स्वर्गक राज्यक भविष्यवाणी कयने अछि।
13 Porque os profetas e a lei tiveram a palavra até João.
14 आ जँ अहाँ सभ ई बात स्वीकार करबाक लेल तैयार छी, तँ सुनू, यूहन्ना ओ एलियाह छथि, जे फेर आबऽ वला छलाह।
14 E, se quereis compreender, é ele o Elias que devia voltar.
15 जकरा कान छैक, से सुनओ।
15 Quem tem ouvidos, ouça.
16 “हम एहि पीढ़ीक लोकक तुलना कोन बात सँ करू? ई सभ तँ चौक-चौराहा पर खेलनिहार बच्चा सभ जकाँ अछि, जे एक-दोसर केँ सोर पारि कऽ कहैत अछि जे,
16 A quem hei de comparar esta geração? É semelhante a meninos sentados nas praças que gritam aos seus companheiros:
17 ‘हम सभ तँ तोरा सभक लेल बाँसुरी बजौलिऔ, मुदा तोँ सभ नचलें नहि।
17 Tocamos a flauta e não dançais, cantamos uma lamentação e não chorais.
18 “यूहन्ना लोक सभ जकाँ खाइत-पिबैत नहि अयलाह तँ अहाँ सभ कहैत छी जे, ओकरा मे दुष्टात्मा छैक।
18 João veio; ele não bebia e não comia, e disseram: Ele está possesso de um demônio.
19 मनुष्य-पुत्र खाइत-पिबैत आयल तँ अहाँ सभ कहैत छी जे, ‘यैह देखू, पेटू आ पिअक्कड़, कर असूल करऽ वला और पापी सभक संगी!’ मुदा परमेश्वरक बुद्धि ठीक अछि, से बात ओहि बुद्धिक काजे सभ सँ प्रमाणित होइत अछि।”
19 O Filho do Homem vem, come e bebe, e dizem: É um comilão e beberrão, amigo dos publicanos e dos devassos. Mas a sabedoria foi justificada por seus filhos.
20 तकरबाद यीशु ओहि नगर सभ केँ, जाहि मे ओ सभ सँ बेसी चमत्कार वला काज सभ कयने छलाह, तकरा सभ केँ धिक्कारऽ लगलथिन, कारण, ओहि नगरक निवासी सभ अपना पापक लेल पश्चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन नहि कयने छल।
20 Depois Jesus começou a censurar as cidades, onde tinha feito grande número de seus milagres, por terem recusado arrepender-se:
21 “है खुराजीन नगर, तोरा धिक्कार छौक! है बेतसैदा नगर, तोरा धिक्कार छौक! किएक तँ जे चमत्कार सभ तोरा सभक बीच कयल गेल, से जँ सूर आ सीदोन नगर मे कयल गेल रहैत तँ ओ सभ बहुत पहिनहि चट्टी ओढ़ि छाउर पर बैसि कऽ हृदय-परिवर्तन कऽ लेने रहैत।
21 Ai de ti, Corozaim! Ai de ti, Betsaida! Porque se tivessem sido feitos em Tiro e em Sidônia os milagres que foram feitos em vosso meio, há muito tempo elas se teriam arrependido sob o cilício e a cinza.
22 हम तोरा सभ केँ कहैत छिऔक जे, न्यायक दिन मे तोरा सभक अपेक्षा सूर आ सीदोन नगरक दशा सहबा जोगरक रहतैक।
22 Por isso vos digo: no dia do juízo, haverá menor rigor para Tiro e para Sidônia que para vós!
23 आ तोँ, है कफरनहूम नगर! की तोँ स्वर्ग तक उठाओल जयबेँ? नहि, तोँ तँ पाताल मे खसाओल जयबेँ। कारण, जे चमत्कार सभ तोरा सभक बीच कयल गेल, से जँ सदोम नगर मे कयल गेल रहैत तँ ओ आइ धरि कायम रहैत।
23 E tu, Cafarnaum, serás elevada até o céu? Não! Serás atirada até o inferno! Porque, se Sodoma tivesse visto os milagres que foram feitos dentro dos teus muros, subsistiria até este dia.
24 तैयो हम तोरा कहैत छिऔक जे न्यायक दिन मे तोहर दशाक अपेक्षा सदोमक दशा सहबा जोगरक रहतैक।”
24 Por isso te digo: no dia do juízo, haverá menor rigor para Sodoma do que para ti!
25 यीशु ओही समय मे कहलनि, “हे पिता, स्वर्ग आ पृथ्वीक मालिक, हम अहाँ केँ एहि लेल धन्यवाद दैत छी जे अहाँ ई बात सभ बुद्धिमान और विद्वान सभ सँ नुका कऽ रखलहुँ, मुदा बच्चा सभ पर प्रगट कयलहुँ।
25 Por aquele tempo, Jesus pronunciou estas palavras: Eu te bendigo, Pai, Senhor do céu e da terra, porque escondeste estas coisas aos sábios e entendidos e as revelaste aos pequenos.
26 हँ पिता, कारण, अहाँ केँ एही बात सँ प्रसन्नता भेल।
26 Sim, Pai, eu te bendigo, porque assim foi do teu agrado.
27 “हमरा पिता द्वारा सभ किछु हमरा हाथ मे सौंपल गेल अछि। पिता केँ छोड़ि पुत्र केँ आओर केओ नहि चिन्हैत अछि, आ तहिना पुत्र केँ छोड़ि पिता केँ आओर केओ नहि चिन्हैत छनि; हँ, मात्र पुत्र और जकरा सभ पर पुत्र हुनका प्रगट करऽ चाहय, से चिन्हैत छनि।
27 Todas as coisas me foram dadas por meu Pai; ninguém conhece o Filho, senão o Pai, e ninguém conhece o Pai, senão o Filho e aquele a quem o Filho quiser revelá-lo.
28 “हे थाकल आ बोझ सँ पिचायल लोक सभ, हमरा लग आउ। हम अहाँ सभ केँ विश्राम देब।
28 Vinde a mim, vós todos que estais aflitos sob o fardo, e eu vos aliviarei.
29 हमर जुआ अपना उपर उठा लिअ आ हमरा सँ सिखू, किएक तँ हम स्वभाव सँ नम्र आ दयालु छी। अहाँ सभ अपना आत्माक लेल विश्राम पायब।
29 Tomai meu jugo sobre vós e recebei minha doutrina, porque eu sou manso e humilde de coração e achareis o repouso para as vossas almas.
30 कारण, हमर जुआ आसान अछि आ हमर भार हल्लुक।”
30 Porque meu jugo é suave e meu peso é leve.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 11, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.