Mateus 11

jivən səndesh (MAI) vs NTLH

Sair da comparação
NTLH Nova Tradução na Linguagem de Hoje 2000
1 यीशु अपन बारहो शिष्‍य केँ एहि तरहेँ आज्ञा सभ दऽ कऽ ओतऽ सँ चल गेलाह आ लग-पासक नगर सभ मे शिक्षा देबऽ लगलाह आ शुभ समाचार सुनाबऽ लगलाह।
1 Quando acabou de dar essas ordens aos seus doze discípulos, Jesus saiu daquele lugar e foi ensinar e anunciar a sua mensagem nas cidades que ficavam perto dali.
2 जखन बपतिस्‍मा देनिहार यूहन्‍ना जहल मे मसीहक काजक चर्चा सुनलनि तँ ओ अपन शिष्‍य सभ केँ यीशु लग ई पुछबाक लेल पठौलथिन जे,
2 João Batista estava na cadeia e, quando ouviu falar do que Cristo fazia, mandou que alguns dos seus discípulos
3 “ओ जे आबऽ वला छलाह, से की अहीं छी वा हम सभ दोसराक बाट ताकू?”
3 fossem perguntar a ele: — O senhor é aquele que ia chegar ou devemos esperar outro?
4 यीशु हुनका सभ केँ उत्तर देलथिन, “जे किछु अहाँ सभ सुनैत छी आ देखैत छी, से सभ बात यूहन्‍ना केँ जा कऽ सुना दिऔन—
4 Jesus respondeu:
5 आन्‍हर सभ देखि रहल अछि, नाङड़ सभ चलि-फिरि रहल अछि, कुष्‍ठ-रोगी सभ स्‍वस्‍थ कयल जा रहल अछि, बहीर सभ सुनि रहल अछि, मुइल सभ जिआओल जा रहल अछि आ असहाय सभ केँ शुभ समाचार सुनाओल जा रहल छैक।
5 Digam a ele que os cegos veem, os coxos andam, os leprosos são curados, os surdos ouvem, os mortos são ressuscitados, e os pobres recebem o
6 धन्‍य अछि ओ जे हमरा कारणेँ अपना विश्‍वास केँ नहि छोड़ैत अछि।”
6 E felizes são aqueles que não abandonam a sua fé em mim!
7 यूहन्‍नाक शिष्‍य सभ जखन घूमि कऽ जा रहल छलाह तँ यीशु यूहन्‍नाक बारे मे भीड़क संग बात करैत पुछलथिन, “अहाँ सभ निर्जन क्षेत्र मे की देखबाक लेल गेल छलहुँ? हवा मे हिलैत खड़ही केँ?
7 Quando os discípulos de João foram embora, Jesus começou a dizer ao povo o seguinte a respeito de João:
8 तखन की देखऽ लेल निकलल छलहुँ? बढ़ियाँ-बढ़ियाँ वस्‍त्र पहिरने कोनो मनुष्‍य केँ? बढ़ियाँ वस्‍त्र पहिरऽ वला सभ तँ राजभवन मे भेटैत अछि।
8 O que foram ver? Um homem bem-vestido? Ora, os que se vestem bem moram nos palácios!
9 तखन फेर, अहाँ सभ की देखबाक लेल गेल छलहुँ? की परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता केँ? हँ, हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे प्रवक्‍तो सँ पैघ व्‍यक्‍ति केँ देखलहुँ।
9 Então me digam: o que esperavam ver? Um
10 “ई वैह दूत छथि जिनका सम्‍बन्‍ध मे धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि,
10 Porque João é aquele a respeito de quem as
11 “हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे मनुष्‍य सभ मे बपतिस्‍मा देनिहार यूहन्‍ना सँ पैघ केओ कहियो जन्‍म नहि लेने अछि, तैयो स्‍वर्गक राज्‍य मे जे सभ सँ छोट अछि से हुनका सँ पैघ अछि।
11 Eu afirmo a vocês que isto é verdade: de todos os homens que já nasceram, João Batista é o maior. Porém quem é menor no
12 यूहन्‍नाक समय सँ लऽ कऽ आइ धरि स्‍वर्गक राज्‍य जोर-तोड़ सँ आगाँ बढ़ि रहल अछि; लोक सभ रेड़म-रेड़ा कऽ कऽ स्‍वर्गक राज्‍य पर अधिकार कऽ रहल अछि।
12 Desde os dias em que João anunciava a sua mensagem, até hoje, o Reino do Céu tem sido atacado com violência, e as pessoas violentas tentam conquistá-lo.
13 किएक तँ परमेश्‍वरक सभ प्रवक्‍ता लोकनिक लेख आ धर्म-नियम सेहो यूहन्‍नाक समय धरि स्‍वर्गक राज्‍यक भविष्‍यवाणी कयने अछि।
13 Até o tempo de João, todos os
14 आ जँ अहाँ सभ ई बात स्‍वीकार करबाक लेल तैयार छी, तँ सुनू, यूहन्‍ना ओ एलियाह छथि, जे फेर आबऽ वला छलाह।
14 E, se vocês querem crer na mensagem deles, João é Elias, que estava para vir.
15 जकरा कान छैक, से सुनओ।
15 Se vocês têm ouvidos para ouvir, então ouçam.
16 “हम एहि पीढ़ीक लोकक तुलना कोन बात सँ करू? ई सभ तँ चौक-चौराहा पर खेलनिहार बच्‍चा सभ जकाँ अछि, जे एक-दोसर केँ सोर पारि कऽ कहैत अछि जे,
16 — Mas com quem posso comparar as pessoas de hoje? São como crianças sentadas na praça. Um grupo grita para o outro:
17 ‘हम सभ तँ तोरा सभक लेल बाँसुरी बजौलिऔ, मुदा तोँ सभ नचलें नहि।
17 “Nós tocamos músicas de casamento,
18 “यूहन्‍ना लोक सभ जकाँ खाइत-पिबैत नहि अयलाह तँ अहाँ सभ कहैत छी जे, ओकरा मे दुष्‍टात्‍मा छैक।
18 João Batista jejua e não bebe vinho, e todos dizem: “Ele está dominado por um demônio.”
19 मनुष्‍य-पुत्र खाइत-पिबैत आयल तँ अहाँ सभ कहैत छी जे, ‘यैह देखू, पेटू आ पिअक्‍कड़, कर असूल करऽ वला और पापी सभक संगी!’ मुदा परमेश्‍वरक बुद्धि ठीक अछि, से बात ओहि बुद्धिक काजे सभ सँ प्रमाणित होइत अछि।”
19 O
20 तकरबाद यीशु ओहि नगर सभ केँ, जाहि मे ओ सभ सँ बेसी चमत्‍कार वला काज सभ कयने छलाह, तकरा सभ केँ धिक्‍कारऽ लगलथिन, कारण, ओहि नगरक निवासी सभ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन नहि कयने छल।
20 Então Jesus começou a acusar as cidades onde tinha feito muitos milagres. Ele fez isso porque os seus moradores não haviam se arrependido dos seus pecados. Jesus disse:
21 “है खुराजीन नगर, तोरा धिक्‍कार छौक! है बेतसैदा नगर, तोरा धिक्‍कार छौक! किएक तँ जे चमत्‍कार सभ तोरा सभक बीच कयल गेल, से जँ सूर आ सीदोन नगर मे कयल गेल रहैत तँ ओ सभ बहुत पहिनहि चट्टी ओढ़ि छाउर पर बैसि कऽ हृदय-परिवर्तन कऽ लेने रहैत।
21 — Ai de você, cidade de Corazim! Ai de você, cidade de Betsaida! Porque, se os milagres que foram feitos em vocês tivessem sido feitos nas cidades de Tiro e de Sidom, os seus moradores já teriam abandonado os seus pecados há muito tempo. E, para mostrarem que estavam arrependidos, teriam vestido roupa feita de pano grosseiro e teriam jogado cinzas na cabeça!
22 हम तोरा सभ केँ कहैत छिऔक जे, न्‍यायक दिन मे तोरा सभक अपेक्षा सूर आ सीदोन नगरक दशा सहबा जोगरक रहतैक।
22 Pois eu afirmo a vocês que, no Dia do Juízo, Deus terá mais pena de Tiro e de Sidom do que de vocês, Corazim e Betsaida.
23 आ तोँ, है कफरनहूम नगर! की तोँ स्‍वर्ग तक उठाओल जयबेँ? नहि, तोँ तँ पाताल मे खसाओल जयबेँ। कारण, जे चमत्‍कार सभ तोरा सभक बीच कयल गेल, से जँ सदोम नगर मे कयल गेल रहैत तँ ओ आइ धरि कायम रहैत।
23 E você, cidade de Cafarnaum, acha que vai subir até o céu? Pois será jogada no
24 तैयो हम तोरा कहैत छिऔक जे न्‍यायक दिन मे तोहर दशाक अपेक्षा सदोमक दशा सहबा जोगरक रहतैक।”
24 Pois eu afirmo a vocês que, no Dia do Juízo, Deus terá mais pena de Sodoma do que de você, Cafarnaum.
25 यीशु ओही समय मे कहलनि, “हे पिता, स्‍वर्ग आ पृथ्‍वीक मालिक, हम अहाँ केँ एहि लेल धन्‍यवाद दैत छी जे अहाँ ई बात सभ बुद्धिमान और विद्वान सभ सँ नुका कऽ रखलहुँ, मुदा बच्‍चा सभ पर प्रगट कयलहुँ।
25 Naquela ocasião Jesus disse:
26 हँ पिता, कारण, अहाँ केँ एही बात सँ प्रसन्‍नता भेल।
26 Sim, ó Pai, tu tiveste prazer em fazer isso.
27 “हमरा पिता द्वारा सभ किछु हमरा हाथ मे सौंपल गेल अछि। पिता केँ छोड़ि पुत्र केँ आओर केओ नहि चिन्‍हैत अछि, आ तहिना पुत्र केँ छोड़ि पिता केँ आओर केओ नहि चिन्‍हैत छनि; हँ, मात्र पुत्र और जकरा सभ पर पुत्र हुनका प्रगट करऽ चाहय, से चिन्‍हैत छनि।
27 — O meu Pai me deu todas as coisas. Ninguém sabe quem é o Filho, a não ser o Pai; e ninguém sabe quem é o Pai, a não ser o Filho e também aqueles a quem o Filho quiser mostrar quem o Pai é.
28 “हे थाकल आ बोझ सँ पिचायल लोक सभ, हमरा लग आउ। हम अहाँ सभ केँ विश्राम देब।
28 — Venham a mim, todos vocês que estão cansados de carregar as suas pesadas cargas, e eu lhes darei descanso.
29 हमर जुआ अपना उपर उठा लिअ आ हमरा सँ सिखू, किएक तँ हम स्‍वभाव सँ नम्र आ दयालु छी। अहाँ सभ अपना आत्‍माक लेल विश्राम पायब।
29 Sejam meus seguidores e aprendam comigo porque sou bondoso e tenho um coração humilde; e vocês encontrarão descanso.
30 कारण, हमर जुआ आसान अछि आ हमर भार हल्‍लुक।”
30 Os deveres que eu exijo de vocês são fáceis, e a carga que eu ponho sobre vocês é leve.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 11, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.