Hebreus 3

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 तेँ यौ पवित्र भाइ लोकनि जे सभ परमेश्‍वरक बजाओल लोक मे सम्‍मिलित छी, अहाँ सभ अपन ध्‍यान यीशु पर केन्‍द्रित करू, जिनका अपना सभ परमेश्‍वरक विशिष्‍ट दूत आ अपना सभक महापुरोहितक रूप मे खुलि कऽ स्‍वीकार करैत छी।
1 Portanto, santos irmãos, participantes do chamado celestial, fixem os seus pensamentos em Jesus, apóstolo e sumo sacerdote que confessamos.
2 जहिना मूसा परमेश्‍वरक घरक लोकक बीच सभ काज मे विश्‍वासयोग्‍य बनल रहलाह तहिना यीशु अपन नियुक्‍त कयनिहारक, अर्थात् परमेश्‍वरक, प्रति विश्‍वासयोग्‍य बनल रहलाह।
2 Ele foi fiel àquele que o havia constituído, assim como Moisés foi fiel em toda a casa de Deus.
3 जहिना घर सँ घरक बनौनिहारे बेसी आदरणीय होइत अछि तहिना यीशु मूसा सँ अधिक आदर पयबाक योग्‍य ठहराओल गेल छथि।
3 Jesus foi considerado digno de maior glória do que Moisés, da mesma forma que o construtor de uma casa tem mais honra do que a própria casa.
4 प्रत्‍येक घर तँ ककरो ने ककरो द्वारा बनाओल जाइत अछि, मुदा सभ वस्‍तु केँ बनाबऽ वला परमेश्‍वरे छथि।
4 Pois toda casa é construída por alguém, mas Deus é o edificador de tudo.
5 मूसा भविष्‍य मे सुनाओल जाय वला बातक साक्षी दऽ कऽ परमेश्‍वरक घरक लोकक बीच सभ काज मे सेवकक रूप मे विश्‍वासयोग्‍य छलाह।
5 Moisés foi fiel como servo em toda a casa de Deus, dando testemunho do que haveria de ser dito no futuro,
6 मुदा मसीह तँ पुत्रक रूप मे परमेश्‍वरक घरक अधिकारी भऽ विश्‍वासयोग्‍य छथि। जँ अपना सभ अपन साहस मे आ ओहि आशा मे जे अपना सभक गौरव अछि, अन्‍त तक स्‍थिर रहब तँ अपना सभ स्‍वयं परमेश्‍वरक घरक लोक छी।
6 mas Cristo é fiel como Filho sobre a casa de Deus; e esta casa somos nós, se é que nos apegamos firmemente à confiança e à esperança da qual nos gloriamos.
7 तेँ जहिना पवित्र आत्‍मा धर्मशास्‍त्र मे कहैत छथि तहिना,
7 Assim, como diz o Espírito Santo: "Hoje, se vocês ouvirem a sua voz,
8 तँ अपन मोन ओना जिद्दी नहि बनाबह
8 não endureçam o coração, como na rebelião, durante o tempo de provação no deserto,
9 ओतऽ ओ सभ कसौटी पर हमर जाँच कयलक
9 onde os seus antepassados me tentaram, pondo-me à prova, apesar de, durante quarenta anos, terem visto o que eu fiz.
10 ताहि सँ हम ओहि पीढ़ीक लोक पर क्रोधित भऽ कहलहुँ,
10 Por isso fiquei irado contra aquela geração e disse: Os seus corações estão sempre se desviando, e eles não reconheceram os meus caminhos.
11 तेँ हम क्रोध मे सपत खाइत कहलहुँ जे,
11 Assim jurei na minha ira: Jamais entrarão no meu descanso".
12 यौ भाइ लोकनि, सावधान रहू, कहीं एना नहि होअय जे अहाँ सभ मे सँ ककरो मोन एहन दुष्‍ट आ अविश्‍वासी भऽ जाय जाहि सँ ओ जीवित परमेश्‍वर केँ छोड़ि दय।
12 Cuidado, irmãos, para que nenhum de vocês tenha coração perverso e incrédulo, que se afaste do Deus vivo.
13 मुदा जाहि सँ अहाँ सभ मे सँ केओ पापक छल मे पड़ि कऽ जिद्दी नहि भऽ जाइ ताहि लेल अहाँ सभ जाबत धरि “आइ”क दिन कहबैत अछि ताबत धरि प्रत्‍येक दिन एक-दोसर केँ उत्‍साहित करैत रहू।
13 Pelo contrário, encorajem-se uns aos outros todos os dias, durante o tempo que se chama "hoje", de modo que nenhum de vocês seja endurecido pelo engano do pecado,
14 अपना सभ जँ अन्‍त तक ओ भरोसा जकरा संग शुरू मे शुभ समाचार पर विश्‍वास कयलहुँ ताहि मे अटल रही, तँ अपना सभ मसीहक संग सहभागी भऽ गेल छी।
14 pois passamos a ser participantes de Cristo, desde que, de fato, nos apeguemos até o fim à confiança que tivemos no princípio.
15 जेना कि ऊपरो कहल गेल अछि जे,
15 Por isso é que se diz: "Se hoje vocês ouvirem a sua voz, não endureçam o coração, como na rebelião".
16 परमेश्‍वरक आवाज सुनि कऽ के सभ विद्रोह कयलक? की ओ सभ वैह लोक नहि छल जकरा सभ केँ मूसा मिस्र देश सँ बाहर निकाललनि?
16 Quem foram os que ouviram e se rebelaram? Não foram todos os que Moisés tirou do Egito?
17 परमेश्‍वर ककरा सभ सँ चालिस वर्ष धरि क्रोधित रहलथिन? की ओकरे सभ सँ नहि जे सभ पाप कयलक आ जकरा सभक लासक ढेरी निर्जन क्षेत्र मे लागि गेल?
17 Contra quem Deus esteve irado durante quarenta anos? Não foi contra aqueles que pecaram, cujos corpos caíram no deserto?
18 परमेश्‍वर सपत खाइत ककरा सम्‍बन्‍ध मे कहलनि जे, ई सभ हमर विश्राम मे प्रवेश नहि करऽ पाओत? की तकरे सभक सम्‍बन्‍ध मे नहि जे सभ हुनकर आज्ञा नहि मानलकनि?
18 E a quem jurou que nunca haveriam de entrar no seu descanso? Não foi àqueles que foram desobedientes?
19 एहि तरहेँ अपना सभ देखैत छी जे ओ सभ अविश्‍वासक कारणेँ ओहि स्‍थान मे नहि पहुँचि सकल जतऽ ओकरा सभ केँ विश्राम भेटितैक।
19 Vemos, assim, que foi por causa da incredulidade que não puderam entrar.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Hebreus 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.