Filipenses 4

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 एहि लेल, यौ हमर भाइ लोकनि, हमर प्रिय लोक सभ, हँ, अहाँ सभ जिनका सभ पर हमर मोन लागल रहैत अछि, जे सभ हमर आनन्‍द, हमर मुकुट, हमर प्रिय मित्र सभ छी, जहिना हम अहाँ सभ केँ कहने छी, तहिना प्रभु मे स्‍थिर रहू!
1 Portanto, meus muito amados e saudosos irmãos, alegria e coroa minha, continuai assim firmes no Senhor, caríssimos.
2 हम यूओदिया आ सुन्‍तुखे, अहाँ दूनू सँ आग्रहपूर्बक विनती करैत छी जे अहाँ सभ प्रभु मे एक मोनक भऽ कऽ रहू।
2 Exorto a Evódia, exorto igualmente a Síntique que vivam em paz no Senhor.
3 हँ, यौ हमर विश्‍वस्‍त सहकर्मी, हम अहूँ सँ निवेदन करैत छी जे अहाँ एहि दूनू स्‍त्रीगणक सहायता करू, किएक तँ ई सभ क्‍लेमेन्‍स आ हमर अन्‍य सहयोगी सभक संग, जिनका सभक नाम जीवनक पुस्‍तक मे लिखल अछि, शुभ समाचार सम्‍बन्‍धी संघर्ष मे हमरा संग कठिन परिश्रम कयलनि अछि।
3 E a ti, fiel Sínzigo, também rogo que as ajudes, pois que trabalharam comigo no Evangelho, com Clemente e com os demais colaboradores meus, cujos nomes estão inscritos no livro da vida.
4 प्रभु मे सदिखन आनन्‍दित रहू। हम फेर कहैत छी, आनन्‍दित रहू!
4 Alegrai-vos sempre no Senhor. Repito: alegrai-vos!
5 सभ लोक ई देखि सकय जे अहाँ सभ नम्र लोक छी। प्रभु लगे मे छथि।
5 Seja conhecida de todos os homens a vossa bondade. O Senhor está próximo.
6 कोनो बातक चिन्‍ता-फिकिर नहि करू, बल्‍कि प्रत्‍येक परिस्‍थिति मे परमेश्‍वर सँ प्रार्थना आ निवेदन करू; अपन विनती धन्‍यवादक संग हुनका सम्‍मुख प्रस्‍तुत करू।
6 Não vos inquieteis com nada! Em todas as circunstâncias apresentai a Deus as vossas preocupações, mediante a oração, as súplicas e a ação de graças.
7 तखन परमेश्‍वरक शान्‍ति, जकरा मनुष्‍य केँ बुझि पौनाइ असम्‍भव अछि, से अहाँ सभक हृदय आ अहाँ सभक बुद्धि केँ मसीह यीशु मे सुरक्षित राखत।
7 E a paz de Deus, que excede toda a inteligência, haverá de guardar vossos corações e vossos pensamentos, em Cristo Jesus.
8 अन्‍त मे, यौ भाइ लोकनि, जे बात सभ सत्‍य अछि, जे बात सभ प्रतिष्‍ठित अछि, जे बात सभ न्‍यायसंगत अछि, जे बात सभ पवित्र अछि, जे बात सभ प्रेम करबाक योग्‍य अछि, जे बात सभ आदरयोग्‍य अछि, अर्थात्, जे कोनो बात उत्तम वा प्रशंसनीय अछि ताही पर ध्‍यान लगौने रहू।
8 Além disso, irmãos, tudo o que é verdadeiro, tudo o que é nobre, tudo o que é justo, tudo o que é puro, tudo o que é amável, tudo o que é de boa fama, tudo o que é virtuoso e louvável, eis o que deve ocupar vossos pensamentos.
9 अहाँ सभ जे बात सभ हमरा सँ सिखलहुँ, पौलहुँ, सुनलहुँ आ हमरा मे देखलहुँ, तकरे अनुरूप आचरण करू। आ परमेश्‍वर जे शान्‍तिक स्रोत छथि, से अहाँ सभक संग रहताह।
9 O que aprendestes, recebestes, ouvistes e observastes em mim, isto praticai, e o Deus da paz estará convosco.
10 हम प्रभु मे बहुत आनन्‍दित छी जे एतेक दिनक बाद अहाँ सभ फेर हमर चिन्‍ता कयलहुँ। पहिनहुँ अहाँ सभ केँ हमर चिन्‍ता अवश्‍य रहैत छल मुदा तकरा प्रगट करबाक कोनो मौका नहि भेटि रहल छल।
10 Fiquei imensamente contente, no Senhor, porque, finalmente, vi reflorescer o vosso interesse por mim. É verdade que sempre pensáveis nisso, mas vos faltava oportunidade de mostrá-lo.
11 हम ई एहि लेल नहि कहि रहल छी जे हमरा कोनो बातक कमी अछि, किएक तँ हम प्रत्‍येक परिस्‍थिति मे सन्‍तुष्‍ट रहनाइ सिखि लेने छी।
11 Não é minha penúria que me faz falar. Aprendi a contentar-me com o que tenho.
12 हम विपन्‍नता मे रहनाइ आ सम्‍पन्‍नता मे रहनाइ, दूनू सँ परिचित छी। चाहे तृप्‍त होइ वा भूखल होइ, सम्‍पन्‍न होइ वा अभाव मे होइ, हम कोनो परिस्‍थिति मे सन्‍तुष्‍ट रहनाइ सिखि लेने छी।
12 Sei viver na penúria, e sei também viver na abundância. Estou acostumado a todas as vicissitudes: a ter fartura e a passar fome, a ter abundância e a padecer necessidade.
13 जे हमरा बल दैत छथि हम तिनका द्वारा सभ किछु कऽ सकैत छी।
13 Tudo posso naquele que me conforta.
14 तैयो अहाँ सभ नीके कयलहुँ जे संकटक समय मे हमरा कष्‍ट मे सहभागी बनलहुँ।
14 Contudo, fizestes bem em tomar parte na minha tribulação.
15 यौ फिलिप्‍पी वासी सभ, अहाँ सभ अपने जनैत छी जे जखन अहाँ सभ शुरू मे शुभ समाचार सँ परिचित भेलहुँ आ जखन हम मकिदुनिया प्रदेश सँ विदा भेलहुँ, तँ अहाँ सभ केँ छोड़ि कोनो दोसर मण्‍डली लेन-देनक विषय मे हमरा संग सहभागी नहि भेल।
15 Vós que sois de Filipos, bem sabeis como, no início do meu ministério evangélico, quando parti da Macedônia, nenhuma comunidade abriu comigo contas de deve-haver, senão vós somente.
16 जखन हम थिसलुनिका मे छलहुँ तहियो अहाँ सभ हमर आवश्‍यकता पूरा करबाक लेल बेर-बेर सहायता पठौलहुँ।
16 Já por duas vezes mandastes para Tessalônica o que me era necessário.
17 ई बात नहि जे हम अहाँ सभ सँ दानक आशा रखैत छी, बल्‍कि हम ई आशा रखैत छी जे अहाँ सभक दान देबाक परिणामस्‍वरूप अहीं सभ केँ फल भेटय, जे अहाँ सभक खाता मे जमा होइत जाय।
17 Não é o donativo em si que eu procuro, e sim os lucros que vão aumentando a vosso crédito.
18 हमरा सभ किछु भेटल आ ओ बहुत प्रशस्‍त अछि। अहाँ सभ एपाफ्रुदितुसक हाथेँ जे दान पठौलहुँ तकरा पाबि हमरा कोनो बातक कमी नहि रहि गेल। अहाँ सभक ई दान एक बढ़ियाँ सुगन्‍ध, एक ग्रहणयोग्‍य बलिदान अछि, जे परमेश्‍वर पसन्‍द करैत छथि।
18 Recebi tudo, e em abundância. Estou bem provido, depois que recebi de Epafrodito a vossa oferta: foi um suave perfume, um sacrifício que Deus aceita com agrado.
19 हमर परमेश्‍वर सेहो अपन ओहि असीम महिमाक भण्‍डार सँ जे मसीह यीशु मे रहैत अछि, अहाँ सभक प्रत्‍येक आवश्‍यकता पूरा करताह।
19 Em recompensa, o meu Deus há de prover magnificamente a todas as vossas necessidades, segundo a sua glória, em Jesus Cristo.
20 अपना सभक पिता परमेश्‍वरक स्‍तुति युगानुयुग होइत रहनि। आमीन।
20 A Deus, nosso Pai, seja a glória, por toda a eternidade! Amém.
21 परमेश्‍वरक सभ लोक केँ जे मसीह यीशु मे छथि, हमर नमस्‍कार अछि। जे भाय सभ हमरा संग छथि से सभ अहाँ सभ केँ नमस्‍कार कहैत छथि।
21 Saudai em Jesus Cristo todos os santos. Os irmãos que estão comigo vos saúdam.
22 प्रभुक सभ लोकक दिस सँ जे एतऽ छथि, विशेष रूप सँ तिनका सभक दिस सँ जे सभ सम्राटक राजभवन मे काज करैत छथि, अहाँ सभ केँ नमस्‍कार अछि।
22 Todos os santos vos saúdam, especialmente os da casa de César.
23 प्रभु यीशु मसीहक कृपा अहाँ सभक आत्‍मा मे बनल रहय।
23 A graça do Senhor Jesus Cristo esteja com o vosso espírito!

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Filipenses 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.