Efésios 3

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 एहि कारणेँ हम, पौलुस, जे अहाँ गैर-यहूदी सभक लेल आ मसीह यीशुक कारणेँ जहल मे बन्‍दी छी, अहाँ सभक लेल प्रार्थना करैत छी।
1 Por essa causa é que eu, Paulo, prisioneiro de Jesus Cristo por amor de vós, gentios... -
2 परमेश्‍वर अपना कृपा सँ अहाँ सभक भलाइक लेल हमरा एक विशेष काज सौंपि देने छथि, ताहि विषय मे अहाँ सभ अवश्‍य सुनने होयब।
2 Vós deveis ter aprendido o modo como Deus me concedeu esta graça que me foi feita a vosso respeito.
3 एहि सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वर स्‍वयं अपन गुप्‍त योजना हमरा पर प्रगट कयलनि, जाहि विषय मे हम ऊपर किछु चर्चा कयने छी।
3 Foi por revelação que me foi manifestado o mistério que acabo de esboçar.
4 अहाँ सभ जखन ओकरा पढ़ब तँ मसीहक सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वरक गुप्‍त योजनाक ज्ञान हमरा की भेटल अछि से अहाँ सभ बुझि जायब।
4 Lendo-me, podereis entender a compreensão que me foi concedida do mistério cristão,
5 ई योजना एहि सँ पहिलुका पीढ़ीक लोक सभ केँ एहि रूप मे नहि कहल गेल छल, जाहि रूप मे एखन परमेश्‍वरक आत्‍मा द्वारा हुनकर पवित्र मसीह-दूत आ हुनकर प्रवक्‍ता सभ पर प्रगट कयल गेल अछि।
5 que em outras gerações não foi manifestado aos homens da maneira como agora tem sido revelado pelo Espírito aos seus santos apóstolos e profetas.
6 ओ बात जे पहिने गुप्‍त छल, से ई अछि जे, शुभ समाचार द्वारा यहूदी सभक संग-संग गैर-यहूदी सभ सेहो उत्तराधिकारी अछि, संग-संग एके शरीरक अंग अछि आ मसीह मे पूरा कयल गेल परमेश्‍वरक वचन सभ मे संग-संग सहभागी अछि।
6 A saber: que os gentios são co-herdeiros conosco {que somos judeus}, são membros do mesmo corpo e participantes da promessa em Jesus Cristo pelo Evangelho.
7 परमेश्‍वरक सामर्थ्‍यक प्रभाव द्वारा हुनका कृपा सँ हमरा ई वरदान देल गेल जे हम एहि शुभ समाचारक प्रचार करैत हुनकर सेवा करी।
7 Eu me tornei servo deste Evangelho em virtude da graça que me foi dada pela onipotente ação divina.
8 हमरा पर, जे परमेश्‍वरक लोक मे छोटो सँ छोट छी, परमेश्‍वर ई कृपा कयलनि—ओ हमरा गैर-यहूदी सभ केँ मसीहक अथाह धनक शुभ समाचार सुनयबाक शुभ काज सौंपि देलनि।
8 A mim, o mais insignificante dentre todos os santos, coube-me a graça de anunciar entre os pagãos a inexplorável riqueza de Cristo,
9 सभ लोकक लेल हमरा ई स्‍पष्‍ट करबाक अछि जे परमेश्‍वरक गुप्‍त योजना की अछि। ई योजना परमेश्‍वर, जे सभ वस्‍तुक सृष्‍टिकर्ता छथि, से बितल युग सभ मे अपना लग गुप्‍त रखने छलाह।
9 e a todos manifestar o desígnio salvador de Deus, mistério oculto desde a eternidade em Deus, que tudo criou.
10 हुनकर उद्देश्‍य ई छलनि जे, एखन, वर्तमाने समय मे, स्‍वर्गीय क्षेत्र मे शासन करऽ वला सभ और अधिकारी सभ मसीही मण्‍डली केँ देखि कऽ परमेश्‍वरक विभिन्‍न प्रकारक बुद्धि केँ जानि सकय।
10 Assim, de ora em diante, as dominações e as potestades celestes podem conhecer, pela Igreja, a infinita diversidade da sabedoria divina,
11 ई परमेश्‍वरक ओहि योजनाक अनुसार अछि जे अनन्‍त काल सँ हुनका मोन मे छलनि आ जकरा ओ अपना सभक प्रभु, मसीह यीशु, द्वारा पूरा कयलनि।
11 de acordo com o desígnio eterno que Deus realizou em Jesus Cristo, nosso Senhor.
12 एही मसीह यीशु द्वारा आ हुनका पर विश्‍वास करबाक कारणेँ, अपना सभ निर्भय भऽ कऽ पूर्ण भरोसाक संग परमेश्‍वर लग आबि सकैत छी।
12 Pela fé que nele depositamos, temos plena confiança de aproximar-nos junto de Deus.
13 तेँ अहाँ सभ सँ हमर ई विनती अछि जे, अहाँ सभक लेल जे कष्‍ट हम सहि रहल छी, ताहि कारणेँ अहाँ सभ हिम्‍मत नहि हारू, किएक तँ ई अहाँ सभक लेल गौरवक बात अछि।
13 Por isso vos rogo que não desfaleçais nas minhas tribulações que sofro por vós: elas são a vossa glória.
14 एहि कारणेँ हम पिताक सामने ठेहुनिया रोपि कऽ प्रार्थना करैत छी—
14 Por esta causa dobro os joelhos em presença do Pai,
15 ओही पिताक सामने जिनका नाम पर स्‍वर्ग मेहक और पृथ्‍वी परक हुनकर पूरा परिवारक नाम राखल गेल अछि।
15 ao qual deve a sua existência toda família no céu e na terra,
16 हम ई प्रार्थना करैत छी जे ओ अपन अपार महिमाक अनुरूप अपन सामर्थ्‍यक भण्‍डार सँ अपना आत्‍मा द्वारा अहाँ सभ केँ सामर्थ्‍य देथि जाहि सँ अहाँ सभक भितरी मोन आओर मजगूत होअय,
16 para que vos conceda, segundo seu glorioso tesouro, que sejais poderosamente robustecidos pelo seu Espírito em vista do crescimento do vosso homem interior.
17 आ अहाँ सभक विश्‍वास द्वारा मसीह अहाँ सभक मोन मे वास करथि। हम इहो प्रार्थना करैत छी जे मसीहक प्रेम मे अहाँ सभक जड़ि गहिंराइ धरि जा कऽ और हुनका प्रेम पर अहाँ सभक न्‍यो मजगूत भऽ कऽ,
17 Que Cristo habite pela fé em vossos corações, arraigados e consolidados na caridade,
18 अहाँ सभ केँ परमेश्‍वरक सभ लोकक संग ई बुझबाक क्षमता होअय जे मसीहक प्रेमक लम्‍बाइ, चौड़ाइ, उँचाइ और गहिंराइ कतेक अछि,
18 a fim de que possais, com todos os cristãos, compreender qual seja a largura, o comprimento, a altura e a profundidade,
19 और एहि प्रेम केँ जानी जकरा पूर्ण रूप सँ जानल नहि जा सकैत अछि। एहि प्रकारेँ अहाँ सभ बढ़ि कऽ परमेश्‍वरक समस्‍त परिपूर्णता सँ भरि जायब।
19 isto é, conhecer a caridade de Cristo, que desafia todo o conhecimento, e sejais cheios de toda a plenitude de Deus.
20 आब ओ जे अपन सामर्थ्‍य अपना सभक भीतर क्रियाशील राखि कऽ अपना सभक सभ विनती आ कल्‍पनो सँ बढ़ि कऽ एतेक कऽ सकैत छथि जाहि बातक पार नहि पाबि सकैत छी
20 Àquele que, pela virtude que opera em nós, pode fazer infinitamente mais do que tudo quanto pedimos ou entendemos,
21 तिनकर महिमा पुस्‍त-पुस्‍तानि तक युगानुयुग मण्‍डली मे और मसीह यीशु मे प्रगट होइत रहनि। आमीन!
21 a ele seja dada glória na Igreja, e em Cristo Jesus, por todas as gerações de eternidade. Amém.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Efésios 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.