Efésios 2
jivən səndesh (MAI) vs ARA
1 अहाँ सभ जे छी, से अपन अपराध और पापक कारणेँ मरल छलहुँ।
1 Ele vos deu vida, estando vós mortos nos vossos delitos e pecados,
2 ओहि समय मे अहाँ सभ पापक रस्ता पर चलैत एहि संसारक रीतिक अनुसार जीवन व्यतीत करैत छलहुँ। शैतान, जे एहि धरतीक उपरक आध्यात्मिक शक्ति सभक स्वामी अछि, तकर बात मानैत छलहुँ। ओ आत्मा एखनो परमेश्वरक बात नहि मानऽ वला लोक सभ मे क्रियाशील अछि।
2 nos quais andastes outrora, segundo o curso deste mundo, segundo o príncipe da potestade do ar, do espírito que agora atua nos filhos da desobediência;
3 अपना सभ केओ पहिने परमेश्वरक बात नहि माननिहार लोक सभ मे सम्मिलित छलहुँ। अपन शरीर आ मोनक इच्छा सभ केँ तृप्त करैत अपना सभ अपन पापी स्वभावक अभिलाषाक अनुसार जीवन व्यतीत करैत छलहुँ। आन सभ लोक जकाँ अपना सभ सेहो अपन पाप-स्वभावक कारणेँ परमेश्वरक क्रोध भोगऽ जोगरक छलहुँ।
3 entre os quais também todos nós andamos outrora, segundo as inclinações da nossa carne, fazendo a vontade da carne e dos pensamentos; e éramos, por natureza, filhos da ira, como também os demais.
4 मुदा अपार दया करऽ वला परमेश्वर अपना सभक प्रति महान् प्रेम रखबाक कारणेँ,
4 Mas Deus, sendo rico em misericórdia, por causa do grande amor com que nos amou,
5 अपना सभ केँ मसीहक संग-संग जीवित कऽ देलनि—सेहो तहिया, जहिया अपना सभ अपराधक कारणेँ मरल छलहुँ! हुनकर कृपे सँ अहाँ सभक उद्धार भेल अछि।
5 e estando nós mortos em nossos delitos, nos deu vida juntamente com Cristo, — pela graça sois salvos,
6 ओ अपना सभ केँ मसीह यीशुक संग-संग जिऔलनि आ हुनका संग स्वर्गीय क्षेत्र मे बैसौलनि।
6 e, juntamente com ele, nos ressuscitou, e nos fez assentar nos lugares celestiais em Cristo Jesus;
7 ओ ई एहि लेल कयलनि जे आबऽ वला युग सभ मे ओ अपन ओहि अतुलनीय कृपाक महान्ता केँ प्रदर्शित कऽ सकथि, जकरा ओ मसीह यीशु द्वारा अपना सभ पर दया कऽ कऽ प्रगट कयलनि अछि।
7 para mostrar, nos séculos vindouros, a suprema riqueza da sua graça, em bondade para conosco, em Cristo Jesus.
8 कारण, विश्वास द्वारा, हुनकर कृपे सँ, अहाँ सभक उद्धार भेल अछि—ई अहाँ सभक कोनो पुण्यक फल नहि, बल्कि परमेश्वर द्वारा देल गेल दान अछि।
8 Porque pela graça sois salvos, mediante a fé; e isto não vem de vós; é dom de Deus;
9 ई ककरो द्वारा कयल कोनो कर्मक परिणाम नहि छैक, जे एहि पर केओ घमण्ड करय।
9 não de obras, para que ninguém se glorie.
10 किएक तँ अपना सभ परमेश्वरेक हाथक कारीगरी छी—ओ अपना सभ केँ मसीह यीशु मे संयुक्त कऽ कऽ अपना सभक नव सृष्टि कयलनि, आ से एहि लेल जे अपना सभ ओ नीक काज सभ करी, जे काज ओ अपना सभक लेल पहिने सँ तैयार कयने छथि।
10 Pois somos feitura dele, criados em Cristo Jesus para boas obras, as quais Deus de antemão preparou para que andássemos nelas.
11 एहि लेल मोन पाड़ू, अहाँ सभ जे जन्म सँ यहूदी नहि, गैर-यहूदी छी, अहाँ सभक स्थिति पहिने केहन छल। यहूदी सभ, जे सभ अपना केँ “खतना कराओल लोक” कहैत अछि—ओना तँ ओकरा सभक खतना मात्र शरीर मे आ मनुष्ये द्वारा कयल गेल अछि—से सभ अहाँ सभ केँ “बिनु खतना वला लोक सभ” कहैत अछि।
11 Portanto, lembrai-vos de que, outrora, vós, gentios na carne, chamados incircuncisão por aqueles que se intitulam circuncisos, na carne, por mãos humanas,
12 मोन पाड़ू जे ओहि समय मे अहाँ सभ केँ मसीह सँ कोनो सम्बन्ध नहि छल। अहाँ सभ इस्राएलक नागरिकताक अधिकार सँ वंचित छलहुँ। परमेश्वर अपना वचन पर आधारित जे विशेष सम्बन्ध अपना लोकक संग स्थापित कयलनि, ताहि मे अहाँ सभ सहभागी नहि छलहुँ। अहाँ सभ केँ एहि संसार मे ने कोनो आशा छल आ ने अहाँ सभ लग परमेश्वर छलाह।
12 naquele tempo, estáveis sem Cristo, separados da comunidade de Israel e estranhos às alianças da promessa, não tendo esperança e sem Deus no mundo.
13 मुदा आब मसीह यीशु मे संयुक्त भऽ कऽ, अहाँ सभ जे पहिने दूर छलहुँ, आब मसीहक बहाओल खून द्वारा लग आनल गेल छी।
13 Mas, agora, em Cristo Jesus, vós, que antes estáveis longe, fostes aproximados pelo sangue de Cristo.
14 कारण, मसीह स्वयं अपना सभक मिलापक साधन छथि। ओ अपना सभ केँ—गैर-यहूदी आ यहूदी, दूनू केँ—एक बना देलनि। अपना सभक बीच जे दुश्मनी छल, जे दूनू केँ देवाल जकाँ एक-दोसर सँ अलग रखैत छल, तकरा ओ नष्ट कऽ देलनि।
14 Porque ele é a nossa paz, o qual de ambos fez um; e, tendo derribado a parede da separação que estava no meio, a inimizade,
15 ओ अपना मृत्यु द्वारा विधि-विधानक धर्म-नियम केँ रद्द कऽ देलनि। एना करऽ मे हुनकर उद्देश्य ई छलनि जे दूनू समूह सँ एक नव मानवताक सृष्टि करब जे हुनका मे संयुक्त होअय, आ एहि तरहेँ दूनू मे मेल करायब।
15 aboliu, na sua carne, a lei dos mandamentos na forma de ordenanças, para que dos dois criasse, em si mesmo, um novo homem, fazendo a paz,
16 संगहि हुनकर इहो उद्देश्य रहनि जे, क्रूसक मृत्यु द्वारा दूनू केँ एहि नव मानवता मे जोड़ि कऽ परमेश्वर सँ मेल करायब और एहि तरहेँ ओ दुश्मनी जे परमेश्वर आ मनुष्यक बीच छल, तकरा समाप्त करायब।
16 e reconciliasse ambos em um só corpo com Deus, por intermédio da cruz, destruindo por ela a inimizade.
17 तकरबाद ओ आबि कऽ अहाँ सभ केँ, जे दूर छलहुँ, और ओकरा सभ केँ, जे लग छल, दूनू केँ मेल-मिलापक सम्बाद सुनौलनि।
17 E, vindo, evangelizou paz a vós outros que estáveis longe e paz também aos que estavam perto;
18 कारण, हुनका द्वारा अपना सभ केँ, अर्थात् गैर-यहूदी आ यहूदी दूनू केँ, एके पवित्र आत्माक माध्यम सँ पिता तक पहुँच अछि।
18 porque, por ele, ambos temos acesso ao Pai em um Espírito.
19 फलस्वरूप, अहाँ सभ आब परदेशी वा प्रवासी नहि रहलहुँ, बल्कि परमेश्वरक लोक मे मिलि कऽ हुनका सभक संग नागरिक छी। परमेश्वरक परिवारक सदस्य छी।
19 Assim, já não sois estrangeiros e peregrinos, mas concidadãos dos santos, e sois da família de Deus,
20 अहाँ सभ परमेश्वरक ओहि “भवन”क भाग छी, जाहि भवनक न्यो मसीह-दूत आ परमेश्वरक प्रवक्ता सभ छथि आ जकर मुख्य पाथर मसीह यीशु अपने छथि।
20 edificados sobre o fundamento dos apóstolos e profetas, sendo ele mesmo, Cristo Jesus, a pedra angular;
21 हिनके मे पूरा भवन एक संग जुटल रहि कऽ प्रभुक लेल एक पवित्र मन्दिर बनैत जा रहल अछि।
21 no qual todo o edifício, bem-ajustado, cresce para santuário dedicado ao Senhor,
22 हिनके मे संयुक्त भऽ कऽ अहूँ सभ आओर लोक सभक संग परमेश्वरक वास-स्थान बनाओल जा रहल छी, जाहि मे ओ अपन आत्मा द्वारा वास करैत छथि।
22 no qual também vós juntamente estais sendo edificados para habitação de Deus no Espírito.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Efésios 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.