Efésios 2

jivən səndesh (MAI) vs ACF

Sair da comparação
ACF Almeida Corrigida Fiel
1 अहाँ सभ जे छी, से अपन अपराध और पापक कारणेँ मरल छलहुँ।
1 E vos vivificou, estando vós mortos em ofensas e pecados,
2 ओहि समय मे अहाँ सभ पापक रस्‍ता पर चलैत एहि संसारक रीतिक अनुसार जीवन व्‍यतीत करैत छलहुँ। शैतान, जे एहि धरतीक उपरक आध्‍यात्‍मिक शक्‍ति सभक स्‍वामी अछि, तकर बात मानैत छलहुँ। ओ आत्‍मा एखनो परमेश्‍वरक बात नहि मानऽ वला लोक सभ मे क्रियाशील अछि।
2 Em que noutro tempo andastes segundo o curso deste mundo, segundo o príncipe das potestades do ar, do espírito que agora opera nos filhos da desobediência;
3 अपना सभ केओ पहिने परमेश्‍वरक बात नहि माननिहार लोक सभ मे सम्‍मिलित छलहुँ। अपन शरीर आ मोनक इच्‍छा सभ केँ तृप्‍त करैत अपना सभ अपन पापी स्‍वभावक अभिलाषाक अनुसार जीवन व्‍यतीत करैत छलहुँ। आन सभ लोक जकाँ अपना सभ सेहो अपन पाप-स्‍वभावक कारणेँ परमेश्‍वरक क्रोध भोगऽ जोगरक छलहुँ।
3 Entre os quais todos nós também antes andávamos nos desejos da nossa carne, fazendo a vontade da carne e dos pensamentos; e éramos por natureza filhos da ira, como os outros também.
4 मुदा अपार दया करऽ वला परमेश्‍वर अपना सभक प्रति महान्‌ प्रेम रखबाक कारणेँ,
4 Mas Deus, que é riquíssimo em misericórdia, pelo seu muito amor com que nos amou,
5 अपना सभ केँ मसीहक संग-संग जीवित कऽ देलनि—सेहो तहिया, जहिया अपना सभ अपराधक कारणेँ मरल छलहुँ! हुनकर कृपे सँ अहाँ सभक उद्धार भेल अछि।
5 Estando nós ainda mortos em nossas ofensas, nos vivificou juntamente com Cristo (pela graça sois salvos),
6 ओ अपना सभ केँ मसीह यीशुक संग-संग जिऔलनि आ हुनका संग स्‍वर्गीय क्षेत्र मे बैसौलनि।
6 E nos ressuscitou juntamente com ele e nos fez assentar nos lugares celestiais, em Cristo Jesus;
7 ओ ई एहि लेल कयलनि जे आबऽ वला युग सभ मे ओ अपन ओहि अतुलनीय कृपाक महान्‌ता केँ प्रदर्शित कऽ सकथि, जकरा ओ मसीह यीशु द्वारा अपना सभ पर दया कऽ कऽ प्रगट कयलनि अछि।
7 Para mostrar nos séculos vindouros as abundantes riquezas da sua graça pela sua benignidade para conosco em Cristo Jesus.
8 कारण, विश्‍वास द्वारा, हुनकर कृपे सँ, अहाँ सभक उद्धार भेल अछि—ई अहाँ सभक कोनो पुण्‍यक फल नहि, बल्‍कि परमेश्‍वर द्वारा देल गेल दान अछि।
8 Porque pela graça sois salvos, por meio da fé; e isto não vem de vós, é dom de Deus.
9 ई ककरो द्वारा कयल कोनो कर्मक परिणाम नहि छैक, जे एहि पर केओ घमण्‍ड करय।
9 Não vem das obras, para que ninguém se glorie;
10 किएक तँ अपना सभ परमेश्‍वरेक हाथक कारीगरी छी—ओ अपना सभ केँ मसीह यीशु मे संयुक्‍त कऽ कऽ अपना सभक नव सृष्‍टि कयलनि, आ से एहि लेल जे अपना सभ ओ नीक काज सभ करी, जे काज ओ अपना सभक लेल पहिने सँ तैयार कयने छथि।
10 Porque somos feitura sua, criados em Cristo Jesus para as boas obras, as quais Deus preparou para que andássemos nelas.
11 एहि लेल मोन पाड़ू, अहाँ सभ जे जन्‍म सँ यहूदी नहि, गैर-यहूदी छी, अहाँ सभक स्‍थिति पहिने केहन छल। यहूदी सभ, जे सभ अपना केँ “खतना कराओल लोक” कहैत अछि—ओना तँ ओकरा सभक खतना मात्र शरीर मे आ मनुष्‍ये द्वारा कयल गेल अछि—से सभ अहाँ सभ केँ “बिनु खतना वला लोक सभ” कहैत अछि।
11 Portanto, lembrai-vos de que vós noutro tempo éreis gentios na carne, e chamados incircuncisão pelos que na carne se chamam circuncisão feita pela mão dos homens;
12 मोन पाड़ू जे ओहि समय मे अहाँ सभ केँ मसीह सँ कोनो सम्‍बन्‍ध नहि छल। अहाँ सभ इस्राएलक नागरिकताक अधिकार सँ वंचित छलहुँ। परमेश्‍वर अपना वचन पर आधारित जे विशेष सम्‍बन्‍ध अपना लोकक संग स्‍थापित कयलनि, ताहि मे अहाँ सभ सहभागी नहि छलहुँ। अहाँ सभ केँ एहि संसार मे ने कोनो आशा छल आ ने अहाँ सभ लग परमेश्‍वर छलाह।
12 Que naquele tempo estáveis sem Cristo, separados da comunidade de Israel, e estranhos às alianças da promessa, não tendo esperança, e sem Deus no mundo.
13 मुदा आब मसीह यीशु मे संयुक्‍त भऽ कऽ, अहाँ सभ जे पहिने दूर छलहुँ, आब मसीहक बहाओल खून द्वारा लग आनल गेल छी।
13 Mas agora em Cristo Jesus, vós, que antes estáveis longe, já pelo sangue de Cristo chegastes perto.
14 कारण, मसीह स्‍वयं अपना सभक मिलापक साधन छथि। ओ अपना सभ केँ—गैर-यहूदी आ यहूदी, दूनू केँ—एक बना देलनि। अपना सभक बीच जे दुश्‍मनी छल, जे दूनू केँ देवाल जकाँ एक-दोसर सँ अलग रखैत छल, तकरा ओ नष्‍ट कऽ देलनि।
14 Porque ele é a nossa paz, o qual de ambos os povos fez um; e, derrubando a parede de separação que estava no meio,
15 ओ अपना मृत्‍यु द्वारा विधि-विधानक धर्म-नियम केँ रद्द कऽ देलनि। एना करऽ मे हुनकर उद्देश्‍य ई छलनि जे दूनू समूह सँ एक नव मानवताक सृष्‍टि करब जे हुनका मे संयुक्‍त होअय, आ एहि तरहेँ दूनू मे मेल करायब।
15 Na sua carne desfez a inimizade, isto é, a lei dos mandamentos, que consistia em ordenanças, para criar em si mesmo dos dois um novo homem, fazendo a paz,
16 संगहि हुनकर इहो उद्देश्‍य रहनि जे, क्रूसक मृत्‍यु द्वारा दूनू केँ एहि नव मानवता मे जोड़ि कऽ परमेश्‍वर सँ मेल करायब और एहि तरहेँ ओ दुश्‍मनी जे परमेश्‍वर आ मनुष्‍यक बीच छल, तकरा समाप्‍त करायब।
16 E pela cruz reconciliar ambos com Deus em um corpo, matando com ela as inimizades.
17 तकरबाद ओ आबि कऽ अहाँ सभ केँ, जे दूर छलहुँ, और ओकरा सभ केँ, जे लग छल, दूनू केँ मेल-मिलापक सम्‍बाद सुनौलनि।
17 E, vindo, ele evangelizou a paz, a vós que estáveis longe, e aos que estavam perto;
18 कारण, हुनका द्वारा अपना सभ केँ, अर्थात् गैर-यहूदी आ यहूदी दूनू केँ, एके पवित्र आत्‍माक माध्‍यम सँ पिता तक पहुँच अछि।
18 Porque por ele ambos temos acesso ao Pai em um mesmo Espírito.
19 फलस्‍वरूप, अहाँ सभ आब परदेशी वा प्रवासी नहि रहलहुँ, बल्‍कि परमेश्‍वरक लोक मे मिलि कऽ हुनका सभक संग नागरिक छी। परमेश्‍वरक परिवारक सदस्‍य छी।
19 Assim que já não sois estrangeiros, nem forasteiros, mas concidadãos dos santos, e da família de Deus;
20 अहाँ सभ परमेश्‍वरक ओहि “भवन”क भाग छी, जाहि भवनक न्‍यो मसीह-दूत आ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभ छथि आ जकर मुख्‍य पाथर मसीह यीशु अपने छथि।
20 Edificados sobre o fundamento dos apóstolos e dos profetas, de que Jesus Cristo é a principal pedra da esquina;
21 हिनके मे पूरा भवन एक संग जुटल रहि कऽ प्रभुक लेल एक पवित्र मन्‍दिर बनैत जा रहल अछि।
21 No qual todo o edifício, bem ajustado, cresce para templo santo no Senhor.
22 हिनके मे संयुक्‍त भऽ कऽ अहूँ सभ आओर लोक सभक संग परमेश्‍वरक वास-स्‍थान बनाओल जा रहल छी, जाहि मे ओ अपन आत्‍मा द्वारा वास करैत छथि।
22 No qual também vós juntamente sois edificados para morada de Deus em Espírito.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Efésios 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.