Atos 13

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 अन्‍ताकियाक मण्‍डली मे ई सभ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता आ शिक्षक छलाह—बरनबास, सिमियोन, जे करिया कहबैत छलाह, कुरेन निवासी लूकियुस, मनेन, जे शासक हेरोदक संग पोसल गेल छलाह, और साउल।
1 Havia então na Igreja de Antioquia profetas e doutores, entre eles Barnabé, Simão, apelidado o Negro, Lúcio de Cirene, Manaém, companheiro de infância do tetrarca Herodes, e Saulo.
2 एक दिन जखन ओ सभ उपासक संग प्रभुक आराधना कऽ रहल छलाह, तखन पवित्र आत्‍मा कहलथिन, “हमर ओहि काजक लेल बरनबास और साउल केँ अलग कऽ दिअ जाहि काजक लेल हम हुनका सभ केँ चुनने छी।”
2 Enquanto celebravam o culto do Senhor, depois de terem jejuado, disse-lhes o Espírito Santo: Separai-me Barnabé e Saulo para a obra a que os tenho destinado.
3 तँ ओ सभ उपास आ प्रार्थना कऽ कऽ हुनका सभ पर हाथ राखि विदा कयलथिन।
3 Então, jejuando e orando, impuseram-lhes as mãos e os despediram.
4 ई दूनू गोटे पवित्र आत्‍माक आदेशक अनुसार सिलूकिया चल गेलाह आ ओतऽ सँ पानि जहाज सँ साइप्रस द्वीप गेलाह।
4 Enviados assim pelo Espírito Santo, foram a Selêucia e dali navegaram para a ilha de Chipre.
5 ओ सभ सलामिस शहर पहुँचि कऽ यहूदी सभक सभाघर सभ मे परमेश्‍वरक वचनक प्रचार कयलनि। हुनका सभक संग सहयोग करबाक लेल यूहन्‍ना-मरकुस सेहो छलनि।
5 Chegados a Salamina, pregavam a palavra de Deus nas sinagogas dos judeus. Tinham com eles João para auxiliá-los.
6 तखन ओ सभ पूरा द्वीपक यात्रा करैत द्वीपक दोसर कात पाफुस नगर पहुँचलाह। ओतऽ हुनका सभ केँ बारयीशु नामक एक यहूदी भेटलनि, जे जादूगर छल आ झूठ बाजि कऽ अपना केँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता कहैत छल।
6 Percorreram toda a ilha até Pafos e acharam um judeu chamado Barjesus, mago e falso profeta,
7 ओ प्रदेशक राज्‍यपाल सिरगियुस-पौलुसक संगी छल। राज्‍यपाल सिरगियुस एक विचारशील लोक छलाह। ओ बरनबास आ साउल केँ अपना ओहिठाम बजबौलनि जाहि सँ ओ हुनका सभ सँ परमेश्‍वरक वचन सुनि सकथि।
7 que vivia na companhia do procônsul Sérgio Paulo, homem sensato. Este chamou Barnabé e Saulo, e exprimiu-lhes o desejo de ouvir a palavra de Deus.
8 मुदा ओ जादूगर, जकर नाम यूनानी भाषा मे एलिमास छलैक, से हिनका सभक विरोध कऽ कऽ राज्‍यपाल केँ विश्‍वास करऽ सँ रोकबाक कोशिश कयलक।
8 Mas Élimas, o Mago - pois assim é interpretado o seu nome -, se lhes opunha, procurando desviar da fé o procônsul.
9 तखन साउल, जे पौलुस सेहो कहबैत छलाह, पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण भऽ जादूगर एलिमास दिस एकटक लगा कऽ तकैत कहलथिन,
9 Então Saulo, chamado também Paulo, cheio do Espírito Santo, cravou nele os olhos e disse-lhe:
10 “हे शैतानक पुत्र! हे सभ सत्‍कर्मक दुश्‍मन! तोँ सभ तरहक छल-प्रपंच आ बइमानी सँ भरल छेँ! की तोँ प्रभुक सोझ बाट केँ टेढ़ बनौनाइ कहियो नहि छोड़बेँ?
10 Filho do demônio, cheio de todo engano e de toda astúcia, inimigo de toda justiça, não cessas de perverter os caminhos retos do Senhor!
11 देख! आब प्रभुक हाथ तोरा विरोध मे उठलौ अछि। तोँ एखन आन्‍हर भऽ जयबेँ आ किछु काल तक सूर्यक प्रकाश नहि देखबेँ।”
11 Eis que agora está sobre ti a mão do Senhor e ficarás cego. Não verás o sol até nova ordem! Caíram logo sobre ele a escuridão e as trevas, e, andando à roda, buscava quem lhe desse a mão.
12 राज्‍यपाल ई घटना देखि विश्‍वास कयलनि। ओ प्रभुक शिक्षा सँ चकित छलाह।
12 À vista deste prodígio, o procônsul abraçou a fé, admirando vivamente a doutrina do Senhor.
13 तखन पौलुस और हुनकर संगी सभ पाफुस सँ पानि जहाज सँ पंफूलिया प्रदेशक पर्गा नगर गेलाह। ओतऽ सँ यूहन्‍ना-मरकुस हुनका सभ केँ छोड़ि कऽ यरूशलेम घूमि गेलाह।
13 Paulo e os seus companheiros navegaram de Pafos e chegaram a Perge, na Panfília, de onde João, apartando-se deles, voltou para Jerusalém.
14 ई सभ पर्गा सँ आगाँ पिसिदिया अंचलक अन्‍ताकिया नगर पहुँचलाह, और विश्राम-दिन मे यहूदी सभक सभाघर मे जा कऽ बैसलाह।
14 Mas eles, deixando Perge, foram para Antioquia da Pisídia. Ali entraram em dia de sábado na sinagoga, e sentaram-se.
15 धर्म-नियम आ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक पुस्‍तक सँ पाठ पढ़ल गेलाक बाद, सभाघरक अधिकारी लोकनि हिनका सभ लग एहि बातक कहा पठौलथिन जे, “यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ जँ लोक सभक प्रोत्‍साहनक लेल किछु कहऽ चाहैत छी, तँ कहू।”
15 Depois da leitura da lei e dos profetas, mandaram-lhes dizer os chefes da sinagoga: Irmãos, se tendes alguma palavra de exortação ao povo, falai-a.
16 एहि पर पौलुस उठलाह, आ लोक सभ केँ हाथ सँ शान्‍त रहबाक संकेत करैत कहऽ लगलाह, “इस्राएली भाइ लोकनि और परमेश्‍वर मे श्रद्धा रखनिहार सभ गोटे, हमर बात सुनू!
16 Paulo levantou-se, fez um sinal com a mão e falou: Homens de Israel e vós que temeis a Deus, ouvi.
17 इस्राएली जातिक परमेश्‍वर अपना सभक पूर्वज सभ केँ चुनलनि आ मिस्र देश मे प्रवास करैत काल हुनका सभक वंशक वृद्धि कयलनि। तखन ओ अपन महान् शक्‍ति द्वारा हुनका सभ केँ ओहि देश सँ निकालि लेलनि।
17 O Deus do povo de Israel escolheu nossos pais e exaltou este povo no tempo em que habitava na terra do Egito, de onde os tirou com o poder de seu braço.
18 चालिस वर्ष धरि ओ निर्जन क्षेत्र मे हुनका सभक व्‍यवहार सहन कयलनि।
18 Por espaço de quarenta anos alimentou-os no deserto.
19 तखन ओ कनान देशक सात जाति केँ विनाश करबा कऽ ओ देश हुनका सभक अधिकार मे दऽ देलथिन।
19 Destruiu sete nações na terra de Canaã e distribuiu-lhes por sorte aquela terra durante quase quatrocentos e cinqüenta anos.
20 ई सभ काज पूरा होमऽ मे करीब 450 वर्ष बिति गेल।
20 Em seguida, lhes deu juízes até o profeta Samuel.
21 तखन इस्राएली लोक जखन परमेश्‍वर सँ एकटा राजा मँगलनि तँ ओ हुनका सभक लेल बिन्‍यामीन कुलक कीशक पुत्र शाउल केँ नियुक्‍त कयलनि, जे चालिस वर्ष धरि हुनका सभक राजा रहलाह।
21 Pediram então um rei, e Deus lhes deu, por quarenta anos, Saul, filho de Cis, da tribo de Benjamim.
22 तखन शाउल केँ हटा कऽ परमेश्‍वर दाऊद केँ हुनका सभक राजा बना देलथिन। दाऊदक सम्‍बन्‍ध मे ओ ई बात कहलनि, ‘यिशयक बेटा दाऊद हमर मोन पसन्‍दक लोक अछि। जे किछु हम चाहैत छी जे ओ करय, से सभ काज ओ करत।’
22 Depois, Deus o rejeitou e mandou-lhes Davi como rei, de quem deu este testemunho: Achei Davi, filho de Jessé, homem segundo o meu coração, que fará todas as minhas vontades.
23 एही आदमीक वंश मे सँ परमेश्‍वर अपन देल वचनक अनुसार इस्राएलक लेल एक उद्धारकर्ता, अर्थात्‌ यीशु केँ, उत्‍पन्‍न कयलनि।
23 De sua descendência, conforme a promessa, Deus fez sair para Israel o Salvador Jesus.
24 यीशुक अयबाक तैयारी मे यूहन्‍ना इस्राएलक सभ लोकक बीच एहि बातक प्रचार कयलनि जे, अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करू आ बपतिस्‍मा लिअ।
24 João tinha pregado, desde antes da sua vinda, o batismo do arrependimento a todo o povo de Israel.
25 जखन यूहन्‍ना अपन काज समाप्‍त करऽ वला छलाह तखन ओ कहलनि, ‘तोँ सभ हमरा जे बुझि रहल छह, से हम नहि छी! मुदा ओ हमरा पाछाँ आबि रहल छथि और हम तँ हुनकर चप्‍पलो फोलऽ जोगरक नहि छी।’
25 Terminando a sua carreira, dizia: Eu não sou aquele que vós pensais, mas após mim virá aquele de quem não sou digno de desatar o calçado.
26 “यौ भाइ लोकनि, अब्राहमक वंशज आ परमेश्‍वर पर श्रद्धा रखनिहार आरो जातिक लोक सभ, सुनू! अपना सभ गोटेक लेल ई उद्धारक शुभ समाचार पठाओल गेल अछि!
26 Irmãos, filhos de Abraão, e os que entre vós temem a Deus: a nós é que foi dirigida a mensagem de salvação.
27 यरूशलेमक निवासी और ओकरा सभक धर्मगुरु सभ यीशु केँ नहि चिन्‍हलकनि, आ ने परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक बात बुझलक जे प्रत्‍येक विश्राम-दिन सभाघर मे पढ़ल जाइत अछि, ओना तँ हुनका मृत्‍युदण्‍ड दऽ कऽ ओ सभ बिनु बुझने ओहि प्रवक्‍ता सभक भविष्‍यवाणी सभ पूरा कयलक।
27 Com efeito, os habitantes de Jerusalém e os seus magistrados não conheceram Jesus, e, sentenciando-o, cumpriram os oráculos dos profetas, que cada sábado são lidos.
28 ओकरा सभ केँ हुनका मृत्‍युदण्‍ड देबाक लेल कोनो आधार नहि भेटलैक, मुदा तैयो पिलातुस सँ माँग कयलक जे हुनका मारिए देल जानि।
28 Embora não achassem nele culpa alguma de morte, pediram a Pilatos que lhe tirasse a vida.
29 हुनका विषय मे पहिने सँ लिखल सभ बात ओकरा सभ द्वारा पूरा भेलाक बाद ओ सभ हुनका क्रूस पर सँ उतारि कऽ कबर मे राखि देलकनि।
29 Depois de realizarem todas as coisas que dele estavam escritas, tirando-o do madeiro, puseram-no num sepulcro.
30 मुदा परमेश्‍वर हुनका मृत्‍यु सँ जिआ देलथिन।
30 Mas Deus o ressuscitou dentre os mortos.
31 और ओ बहुत दिन धरि ओहि लोक सभ केँ दर्शन दैत रहलाह जे लोक हुनका संग गलील सँ यरूशलेम आयल छलनि। यैह लोक सभ आब जनताक सामने हुनकर गवाह अछि।
31 Durante muitos dias apareceu àqueles que com ele subiram da Galiléia a Jerusalém, os quais até agora são testemunhas dele junto ao povo.
32 “हम सभ ई खुशीक खबरि अहाँ सभ केँ सुनयबाक लेल आयल छी जे, जाहि बातक वचन परमेश्‍वर अपना सभक पूर्वज सभ केँ देने रहथि
32 Nós vos anunciamos: a promessa feita a nossos pais,
33 से ओ यीशु केँ जिआ कऽ हुनका सभक सन्‍तानक लेल, अर्थात् अपना सभक लेल, पूरा कयलनि। जेना धर्मशास्‍त्रक ‘भजन-संग्रह’क दोसर भजन मे सेहो लिखल अछि,
33 Deus a tem cumprido diante de nós, seus filhos, suscitando Jesus, como também está escrito no Salmo segundo: Tu és meu Filho, eu hoje te gerei {Sl 2,7}.
34 और ई बात जे, परमेश्‍वर हुनका मृत्‍यु मे सँ जिआ देलथिन जाहि सँ ओ फेर कहियो नहि मरथि, ताहि बातक वचन ओ एहि शब्‍द मे देने रहथि,
34 Que Deus o ressuscitou dentre os mortos, para nunca mais tornar à corrupção, ele o declarou desta maneira: Eu vos darei as coisas sagradas prometidas a Davi {Is 55,3}.
35 तहिना दोसर ठाम लिखल अछि,
35 E diz também noutra passagem: Não permitirás que teu Santo experimente a corrupção {Sl 15,10}.
36 “दाऊद तँ अपन पीढ़ी मे परमेश्‍वरक उद्देश्‍य पूरा कयलनि आ मरलाह। ओ अपन पुरखा सभ लग कबर मे राखल गेलाह आ हुनकर शरीर सड़ि गेलनि।
36 Ora, Davi, depois de ter servido em vida aos desígnios de Deus, morreu. Foi reunido a seus pais e experimentou a corrupção.
37 मुदा जिनका परमेश्‍वर मृत्‍यु मे सँ जिआ देलथिन, से सड़लाह नहि।
37 Mas aquele a quem Deus ressuscitou não experimentou a corrupção.
38 तेँ प्रिय भाइ लोकनि, अहाँ सभ ई बात बुझि लिअ जे यीशुए द्वारा अहाँ सभ पापक क्षमा प्राप्‍त कऽ सकैत छी।
38 Sabei, pois, irmãos, que por ele se vos anuncia a remissão dos pecados.
39 जे केओ हुनका पर विश्‍वास करैत अछि, से सभ धार्मिक ठहराओल जाइत अछि, और पाप सँ मुक्‍त भऽ जाइत अछि। ई बात मूसाक धर्म-नियम द्वारा नहि भऽ सकल छल।
39 Todo aquele que crê é justificado por ele de tudo aquilo que não pôde ser pela Lei de Moisés.
40 एहि लेल सावधान होउ! एना नहि होअय जे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता लोकनिक ई बात अहाँ सभक संग भऽ जाय—
40 Cuidai, pois, que não venha sobre vós o que foi dito pelos profetas:
41 ‘हे निन्‍दा कयनिहार लोक सभ!
41 Vede, ó desprezadores, pasmai e morrei de espanto. Pois eu vou realizar uma obra em vossos dias, obra a que não creríeis, se alguém vo-la contasse {Hab 1,5}.
42 जखन पौलुस और बरनबास सभाघर सँ बाहर भऽ रहल छलाह तँ लोक सभ हुनका सभ सँ विनती कयलक जे अगिलो विश्राम-दिन मे एहि बात सभक सम्‍बन्‍ध मे आरो सुनबथि।
42 Ao saírem, rogavam que lhes repetissem essas palavras no sábado seguinte.
43 सभा समाप्‍त भेला पर बहुतो यहूदी आ यहूदी धर्म मानऽ वला आन जातिक भक्‍त सभ पौलुस आ बरनबासक संग भऽ गेल। पौलुस आ बरनबास ओकरा सभ सँ बात-चीत कयलनि आ परमेश्‍वरक कृपा पर भरोसा रखने रहबाक लेल सिखौलथिन।
43 Depois que a assembléia terminou, muitos judeus e prosélitos devotos seguiram Paulo e Barnabé, os quais com muitas palavras os exortavam a perseverar na graça de Deus.
44 अगिला विश्राम-दिन प्रभुक वचन सुनबाक लेल करीब सौंसे नगरक लोक जुटि गेल।
44 No sábado seguinte, afluiu quase toda a cidade para ouvir a palavra de Deus.
45 भीड़ केँ देखि कऽ यहूदी सभ डाह सँ भरि गेल आ पौलुस केँ अपमानित करैत ओ जे बजैत छलाह तकर विरोध करऽ लागल।
45 Os judeus, vendo a multidão, encheram-se de inveja e puseram-se a protestar com injúrias contra o que Paulo falava.
46 तखन पौलुस और बरनबास निर्भय भऽ कऽ ओकरा सभ केँ उत्तर देलथिन जे, “परमेश्‍वरक वचन हमरा सभ केँ पहिने अहाँ सभ केँ सुनाबऽ पड़ल। मुदा अहाँ सभ ओकर अस्‍वीकार कऽ रहल छी आ अपना केँ अनन्‍त जीवनक लेल योग्‍य नहि बुझैत छी। तेँ हम सभ आब दोसर जाति सभ केँ परमेश्‍वरक वचन सुनाबऽ जाइत छी।
46 Então Paulo e Barnabé disseram-lhes resolutamente: Era a vós que em primeiro lugar se devia anunciar a palavra de Deus. Mas, porque a rejeitais e vos julgais indignos da vida eterna, eis que nos voltamos para os pagãos.
47 कारण एहि तरहेँ प्रभु हमरा सभ केँ ई कहि कऽ आज्ञा देने छथि,
47 Porque o Senhor assim no-lo mandou: Eu te estabeleci para seres luz das nações, e levares a salvação até os confins da terra {Is 49,6}.
48 ई बात सुनि गैर-यहूदी जातिक लोक सभ बड्ड खुश भेल आ प्रभुक वचनक प्रशंसा करऽ लागल। और जे सभ अनन्‍त जीवनक लेल ठहराओल गेल छल, से सभ प्रभु पर विश्‍वास कयलक।
48 Estas palavras encheram de alegria os pagãos que glorificavam a palavra do Senhor. Todos os que estavam predispostos para a vida eterna fizeram ato de fé.
49 एहि तरहेँ प्रभुक वचन सम्‍पूर्ण क्षेत्र मे पसरि गेल।
49 Divulgava-se, assim, a palavra do Senhor por toda a região.
50 मुदा यहूदी सभ परमेश्‍वर केँ मानऽ वला गैर-यहूदी जातिक स्‍त्रीगण सभ केँ जे सभ धनिक वर्गक छलि आ ओहि शहरक प्रतिष्‍ठित पुरुष सभ केँ चढ़ा-बढ़ा कऽ पौलुस आ बरनबासक विरोध मे उपद्रव करबाक लेल भड़का देलक और हुनका सभ केँ ओहि क्षेत्र सँ भगा देलकनि।
50 Mas os judeus instigaram certas mulheres religiosas da aristocracia e os principais da cidade, que excitaram uma perseguição contra Paulo e Barnabé e os expulsaram do seu território.
51 एहि पर पौलुस आ बरनबास ओकरा सभक विरोध मे चेन्‍ह स्‍वरूप पयरक गर्दा ओतहि झाड़ि लेलनि आ इकुनियुम नगर चल गेलाह।
51 Estes sacudiram contra eles o pó dos seus pés, e foram a Icônio.
52 एम्‍हर अन्‍ताकियाक शिष्‍य सभ बहुत आनन्‍दित आ पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण छलाह।
52 Os discípulos, por sua vez, estavam cheios de alegria e do Espírito Santo.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 13, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.