Atos 13
jivən səndesh (MAI) vs ARIB
1 अन्ताकियाक मण्डली मे ई सभ परमेश्वरक प्रवक्ता आ शिक्षक छलाह—बरनबास, सिमियोन, जे करिया कहबैत छलाह, कुरेन निवासी लूकियुस, मनेन, जे शासक हेरोदक संग पोसल गेल छलाह, और साउल।
1 Ora, na igreja em Antioquia havia profetas e mestres, a saber: Barnabé, Simeão, chamado Níger, Lúcio de Cirene, Manaém, colaço de Herodes o tetrarca, e Saulo.
2 एक दिन जखन ओ सभ उपासक संग प्रभुक आराधना कऽ रहल छलाह, तखन पवित्र आत्मा कहलथिन, “हमर ओहि काजक लेल बरनबास और साउल केँ अलग कऽ दिअ जाहि काजक लेल हम हुनका सभ केँ चुनने छी।”
2 Enquanto eles ministravam perante o Senhor e jejuavam, disse o Espírito Santo: Separai-me a Barnabé e a Saulo para a obra a que os tenho chamado.
3 तँ ओ सभ उपास आ प्रार्थना कऽ कऽ हुनका सभ पर हाथ राखि विदा कयलथिन।
3 Então, depois que jejuaram, oraram e lhes impuseram as mãos, os despediram.
4 ई दूनू गोटे पवित्र आत्माक आदेशक अनुसार सिलूकिया चल गेलाह आ ओतऽ सँ पानि जहाज सँ साइप्रस द्वीप गेलाह।
4 Estes, pois, enviados pelo Espírito Santo, desceram a Selêucia e dali navegaram para Chipre.
5 ओ सभ सलामिस शहर पहुँचि कऽ यहूदी सभक सभाघर सभ मे परमेश्वरक वचनक प्रचार कयलनि। हुनका सभक संग सहयोग करबाक लेल यूहन्ना-मरकुस सेहो छलनि।
5 Chegados a Salamina, anunciavam a palavra de Deus nas sinagogas dos judeus, e tinham a João como auxiliar.
6 तखन ओ सभ पूरा द्वीपक यात्रा करैत द्वीपक दोसर कात पाफुस नगर पहुँचलाह। ओतऽ हुनका सभ केँ बारयीशु नामक एक यहूदी भेटलनि, जे जादूगर छल आ झूठ बाजि कऽ अपना केँ परमेश्वरक प्रवक्ता कहैत छल।
6 Havendo atravessado a ilha toda até Pafos, acharam um certo mago, falso profeta, judeu, chamado Bar-Jesus,
7 ओ प्रदेशक राज्यपाल सिरगियुस-पौलुसक संगी छल। राज्यपाल सिरगियुस एक विचारशील लोक छलाह। ओ बरनबास आ साउल केँ अपना ओहिठाम बजबौलनि जाहि सँ ओ हुनका सभ सँ परमेश्वरक वचन सुनि सकथि।
7 que estava com o procônsul Sérgio Paulo, homem sensato. Este chamou a Barnabé e Saulo e mostrou desejo de ouvir a palavra de Deus.
8 मुदा ओ जादूगर, जकर नाम यूनानी भाषा मे एलिमास छलैक, से हिनका सभक विरोध कऽ कऽ राज्यपाल केँ विश्वास करऽ सँ रोकबाक कोशिश कयलक।
8 Mas resistia-lhes Elimas, o encantador {porque assim se interpreta o seu nome}, procurando desviar a fé do procônsul.
9 तखन साउल, जे पौलुस सेहो कहबैत छलाह, पवित्र आत्मा सँ परिपूर्ण भऽ जादूगर एलिमास दिस एकटक लगा कऽ तकैत कहलथिन,
9 Todavia Saulo, também chamado Paulo, cheio do Espírito Santo, fitando os olhos nele,
10 “हे शैतानक पुत्र! हे सभ सत्कर्मक दुश्मन! तोँ सभ तरहक छल-प्रपंच आ बइमानी सँ भरल छेँ! की तोँ प्रभुक सोझ बाट केँ टेढ़ बनौनाइ कहियो नहि छोड़बेँ?
10 disse: ó filho do diabo, cheio de todo o engano e de toda a malícia, inimigo de toda a justiça, não cessarás de perverter os caminhos retos do Senhor?
11 देख! आब प्रभुक हाथ तोरा विरोध मे उठलौ अछि। तोँ एखन आन्हर भऽ जयबेँ आ किछु काल तक सूर्यक प्रकाश नहि देखबेँ।”
11 Agora eis a mão do Senhor sobre ti, e ficarás cego, sem ver o sol por algum tempo. Imediatamente caiu sobre ele uma névoa e trevas e, andando à roda, procurava quem o guiasse pela mão.
12 राज्यपाल ई घटना देखि विश्वास कयलनि। ओ प्रभुक शिक्षा सँ चकित छलाह।
12 Então o procônsul, vendo o que havia acontecido, creu, maravilhando-se da doutrina do Senhor.
13 तखन पौलुस और हुनकर संगी सभ पाफुस सँ पानि जहाज सँ पंफूलिया प्रदेशक पर्गा नगर गेलाह। ओतऽ सँ यूहन्ना-मरकुस हुनका सभ केँ छोड़ि कऽ यरूशलेम घूमि गेलाह।
13 Tendo Paulo e seus companheiros navegado de Pafos, chegaram a Perge, na Panfília. João, porém, apartando-se deles, voltou para Jerusalém.
14 ई सभ पर्गा सँ आगाँ पिसिदिया अंचलक अन्ताकिया नगर पहुँचलाह, और विश्राम-दिन मे यहूदी सभक सभाघर मे जा कऽ बैसलाह।
14 Mas eles, passando de Perge, chegaram a Antioquia da Psídia; e entrando na sinagoga, no dia de sábado, sentaram-se.
15 धर्म-नियम आ परमेश्वरक प्रवक्ता सभक पुस्तक सँ पाठ पढ़ल गेलाक बाद, सभाघरक अधिकारी लोकनि हिनका सभ लग एहि बातक कहा पठौलथिन जे, “यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ जँ लोक सभक प्रोत्साहनक लेल किछु कहऽ चाहैत छी, तँ कहू।”
15 Depois da leitura da lei e dos profetas, os chefes da sinagoga mandaram dizer-lhes: Irmãos, se tendes alguma palavra de exortação ao povo, falai.
16 एहि पर पौलुस उठलाह, आ लोक सभ केँ हाथ सँ शान्त रहबाक संकेत करैत कहऽ लगलाह, “इस्राएली भाइ लोकनि और परमेश्वर मे श्रद्धा रखनिहार सभ गोटे, हमर बात सुनू!
16 Então Paulo se levantou e, pedindo silêncio com a mão, disse: Varões israelitas, e os que temeis a Deus, ouvi:
17 इस्राएली जातिक परमेश्वर अपना सभक पूर्वज सभ केँ चुनलनि आ मिस्र देश मे प्रवास करैत काल हुनका सभक वंशक वृद्धि कयलनि। तखन ओ अपन महान् शक्ति द्वारा हुनका सभ केँ ओहि देश सँ निकालि लेलनि।
17 O Deus deste povo de Israel escolheu a nossos pais, e exaltou o povo, sendo eles estrangeiros na terra do Egito, de onde os tirou com braço poderoso,
18 चालिस वर्ष धरि ओ निर्जन क्षेत्र मे हुनका सभक व्यवहार सहन कयलनि।
18 e suportou-lhes os maus costumes no deserto por espaço de quase quarenta anos;
19 तखन ओ कनान देशक सात जाति केँ विनाश करबा कऽ ओ देश हुनका सभक अधिकार मे दऽ देलथिन।
19 e, havendo destruído as sete nações na terra de Canaã, deu-lhes o território delas por herança durante cerca de quatrocentos e cinquenta anos.
20 ई सभ काज पूरा होमऽ मे करीब 450 वर्ष बिति गेल।
20 Depois disto, deu-lhes juízes até o profeta Samuel.
21 तखन इस्राएली लोक जखन परमेश्वर सँ एकटा राजा मँगलनि तँ ओ हुनका सभक लेल बिन्यामीन कुलक कीशक पुत्र शाउल केँ नियुक्त कयलनि, जे चालिस वर्ष धरि हुनका सभक राजा रहलाह।
21 Então pediram um rei, e Deus lhes deu por quarenta anos a Saul, filho de Cis, varão da tribo de Benjamim.
22 तखन शाउल केँ हटा कऽ परमेश्वर दाऊद केँ हुनका सभक राजा बना देलथिन। दाऊदक सम्बन्ध मे ओ ई बात कहलनि, ‘यिशयक बेटा दाऊद हमर मोन पसन्दक लोक अछि। जे किछु हम चाहैत छी जे ओ करय, से सभ काज ओ करत।’
22 E tendo deposto a este, levantou-lhes como rei a Davi, ao qual também, dando testemunho, disse: Achei a Davi, filho de Jessé, homem segundo o meu coração, que fará toda a minha vontade.
23 एही आदमीक वंश मे सँ परमेश्वर अपन देल वचनक अनुसार इस्राएलक लेल एक उद्धारकर्ता, अर्थात् यीशु केँ, उत्पन्न कयलनि।
23 Da descendência deste, conforme a promessa, trouxe Deus a Israel um Salvador, Jesus;
24 यीशुक अयबाक तैयारी मे यूहन्ना इस्राएलक सभ लोकक बीच एहि बातक प्रचार कयलनि जे, अपना पापक लेल पश्चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करू आ बपतिस्मा लिअ।
24 havendo João, antes do aparecimento dele, pregado a todo o povo de Israel o batismo de arrependimento.
25 जखन यूहन्ना अपन काज समाप्त करऽ वला छलाह तखन ओ कहलनि, ‘तोँ सभ हमरा जे बुझि रहल छह, से हम नहि छी! मुदा ओ हमरा पाछाँ आबि रहल छथि और हम तँ हुनकर चप्पलो फोलऽ जोगरक नहि छी।’
25 Mas João, quando completava a carreira, dizia: Quem pensais vós que eu sou? Eu não sou o Cristo, mas eis que após mim vem aquele a quem não sou digno de desatar as alparcas dos pés.
26 “यौ भाइ लोकनि, अब्राहमक वंशज आ परमेश्वर पर श्रद्धा रखनिहार आरो जातिक लोक सभ, सुनू! अपना सभ गोटेक लेल ई उद्धारक शुभ समाचार पठाओल गेल अछि!
26 Irmãos, filhos da estirpe de Abraão, e os que dentre vós temem a Deus, a nós é enviada a palavra desta salvação.
27 यरूशलेमक निवासी और ओकरा सभक धर्मगुरु सभ यीशु केँ नहि चिन्हलकनि, आ ने परमेश्वरक प्रवक्ता सभक बात बुझलक जे प्रत्येक विश्राम-दिन सभाघर मे पढ़ल जाइत अछि, ओना तँ हुनका मृत्युदण्ड दऽ कऽ ओ सभ बिनु बुझने ओहि प्रवक्ता सभक भविष्यवाणी सभ पूरा कयलक।
27 Pois, os que habitam em Jerusalém e as suas autoridades, porquanto não conheceram a este Jesus, condenando-o, cumpriram as mesmas palavras dos profetas que se ouvem ler todos os sábados.
28 ओकरा सभ केँ हुनका मृत्युदण्ड देबाक लेल कोनो आधार नहि भेटलैक, मुदा तैयो पिलातुस सँ माँग कयलक जे हुनका मारिए देल जानि।
28 E, se bem que não achassem nele nenhuma causa de morte, pediram a Pilatos que ele fosse morto.
29 हुनका विषय मे पहिने सँ लिखल सभ बात ओकरा सभ द्वारा पूरा भेलाक बाद ओ सभ हुनका क्रूस पर सँ उतारि कऽ कबर मे राखि देलकनि।
29 Quando haviam cumprido todas as coisas que dele estavam escritas, tirando-o do madeiro, o puseram na sepultura;
30 मुदा परमेश्वर हुनका मृत्यु सँ जिआ देलथिन।
30 mas Deus o ressuscitou dentre os mortos;
31 और ओ बहुत दिन धरि ओहि लोक सभ केँ दर्शन दैत रहलाह जे लोक हुनका संग गलील सँ यरूशलेम आयल छलनि। यैह लोक सभ आब जनताक सामने हुनकर गवाह अछि।
31 e ele foi visto durante muitos dias por aqueles que com ele subiram da Galiléia a Jerusalém, os quais agora são suas testemunhas para com o povo.
32 “हम सभ ई खुशीक खबरि अहाँ सभ केँ सुनयबाक लेल आयल छी जे, जाहि बातक वचन परमेश्वर अपना सभक पूर्वज सभ केँ देने रहथि
32 E nós vos anunciamos as boas novas da promessa, feita aos pais,
33 से ओ यीशु केँ जिआ कऽ हुनका सभक सन्तानक लेल, अर्थात् अपना सभक लेल, पूरा कयलनि। जेना धर्मशास्त्रक ‘भजन-संग्रह’क दोसर भजन मे सेहो लिखल अछि,
33 a qual Deus nos tem cumprido, a nós, filhos deles, levantando a Jesus, como também está escrito no salmo segundo: Tu és meu Filho, hoje te gerei.
34 और ई बात जे, परमेश्वर हुनका मृत्यु मे सँ जिआ देलथिन जाहि सँ ओ फेर कहियो नहि मरथि, ताहि बातक वचन ओ एहि शब्द मे देने रहथि,
34 E no tocante a que o ressuscitou dentre os mortos para nunca mais tornar à corrupção, falou Deus assim: Dar-vos-ei as santas e fiéis bênçãos de Davi;
35 तहिना दोसर ठाम लिखल अछि,
35 pelo que ainda em outro salmo diz: Não permitirás que o teu Santo veja a corrupção.
36 “दाऊद तँ अपन पीढ़ी मे परमेश्वरक उद्देश्य पूरा कयलनि आ मरलाह। ओ अपन पुरखा सभ लग कबर मे राखल गेलाह आ हुनकर शरीर सड़ि गेलनि।
36 Porque Davi, na verdade, havendo servido a sua própria geração pela vontade de Deus, dormiu e foi depositado junto a seus pais e experimentou corrupção.
37 मुदा जिनका परमेश्वर मृत्यु मे सँ जिआ देलथिन, से सड़लाह नहि।
37 Mas aquele a quem Deus ressuscitou nenhuma corrupção experimentou.
38 तेँ प्रिय भाइ लोकनि, अहाँ सभ ई बात बुझि लिअ जे यीशुए द्वारा अहाँ सभ पापक क्षमा प्राप्त कऽ सकैत छी।
38 Seja-vos pois notório, varões, que por este se vos anuncia a remissão dos pecados.
39 जे केओ हुनका पर विश्वास करैत अछि, से सभ धार्मिक ठहराओल जाइत अछि, और पाप सँ मुक्त भऽ जाइत अछि। ई बात मूसाक धर्म-नियम द्वारा नहि भऽ सकल छल।
39 E de todas as coisas de que não pudestes ser justificados pela lei de Moisés, por ele é justificado todo o que crê.
40 एहि लेल सावधान होउ! एना नहि होअय जे परमेश्वरक प्रवक्ता लोकनिक ई बात अहाँ सभक संग भऽ जाय—
40 Cuidai pois que não venha sobre vós o que está dito nos profetas:
41 ‘हे निन्दा कयनिहार लोक सभ!
41 Vede, ó desprezadores, admirai-vos e desaparecei; porque realizo uma obra em vossos dias, obra em que de modo algum crereis, se alguém vo-la contar.
42 जखन पौलुस और बरनबास सभाघर सँ बाहर भऽ रहल छलाह तँ लोक सभ हुनका सभ सँ विनती कयलक जे अगिलो विश्राम-दिन मे एहि बात सभक सम्बन्ध मे आरो सुनबथि।
42 Quando iam saindo, rogavam que estas palavras lhes fossem repetidas no sábado seguinte.
43 सभा समाप्त भेला पर बहुतो यहूदी आ यहूदी धर्म मानऽ वला आन जातिक भक्त सभ पौलुस आ बरनबासक संग भऽ गेल। पौलुस आ बरनबास ओकरा सभ सँ बात-चीत कयलनि आ परमेश्वरक कृपा पर भरोसा रखने रहबाक लेल सिखौलथिन।
43 E, despedida a sinagoga, muitos judeus e prosélitos devotos seguiram a Paulo e Barnabé, os quais, falando-lhes, os exortavam a perseverarem na graça de Deus.
44 अगिला विश्राम-दिन प्रभुक वचन सुनबाक लेल करीब सौंसे नगरक लोक जुटि गेल।
44 No sábado seguinte reuniu-se quase toda a cidade para ouvir a palavra de Deus.
45 भीड़ केँ देखि कऽ यहूदी सभ डाह सँ भरि गेल आ पौलुस केँ अपमानित करैत ओ जे बजैत छलाह तकर विरोध करऽ लागल।
45 Mas os judeus, vendo as multidões, encheram-se de inveja e, blasfemando, contradiziam o que Paulo falava.
46 तखन पौलुस और बरनबास निर्भय भऽ कऽ ओकरा सभ केँ उत्तर देलथिन जे, “परमेश्वरक वचन हमरा सभ केँ पहिने अहाँ सभ केँ सुनाबऽ पड़ल। मुदा अहाँ सभ ओकर अस्वीकार कऽ रहल छी आ अपना केँ अनन्त जीवनक लेल योग्य नहि बुझैत छी। तेँ हम सभ आब दोसर जाति सभ केँ परमेश्वरक वचन सुनाबऽ जाइत छी।
46 Então Paulo e Barnabé, falando ousadamente, disseram: Era mister que a vós se pregasse em primeiro lugar a palavra de Deus; mas, visto que a rejeitais, e não vos julgais dignos da vida eterna, eis que nos viramos para os gentios;
47 कारण एहि तरहेँ प्रभु हमरा सभ केँ ई कहि कऽ आज्ञा देने छथि,
47 porque assim nos ordenou o Senhor: Eu te pus para luz dos gentios, a fim de que sejas para salvação até os confins da terra.
48 ई बात सुनि गैर-यहूदी जातिक लोक सभ बड्ड खुश भेल आ प्रभुक वचनक प्रशंसा करऽ लागल। और जे सभ अनन्त जीवनक लेल ठहराओल गेल छल, से सभ प्रभु पर विश्वास कयलक।
48 Os gentios, ouvindo isto, alegravam-se e glorificavam a palavra do Senhor; e creram todos quantos haviam sido destinados para a vida eterna.
49 एहि तरहेँ प्रभुक वचन सम्पूर्ण क्षेत्र मे पसरि गेल।
49 E divulgava-se a palavra do Senhor por toda aquela região.
50 मुदा यहूदी सभ परमेश्वर केँ मानऽ वला गैर-यहूदी जातिक स्त्रीगण सभ केँ जे सभ धनिक वर्गक छलि आ ओहि शहरक प्रतिष्ठित पुरुष सभ केँ चढ़ा-बढ़ा कऽ पौलुस आ बरनबासक विरोध मे उपद्रव करबाक लेल भड़का देलक और हुनका सभ केँ ओहि क्षेत्र सँ भगा देलकनि।
50 Mas os judeus incitaram as mulheres devotas de alta posição e os principais da cidade, suscitaram uma perseguição contra Paulo e Barnabé, e os lançaram fora dos seus termos.
51 एहि पर पौलुस आ बरनबास ओकरा सभक विरोध मे चेन्ह स्वरूप पयरक गर्दा ओतहि झाड़ि लेलनि आ इकुनियुम नगर चल गेलाह।
51 Mas estes, sacudindo contra eles o pó dos seus pés, partiram para Icônio.
52 एम्हर अन्ताकियाक शिष्य सभ बहुत आनन्दित आ पवित्र आत्मा सँ परिपूर्ण छलाह।
52 Os discípulos, porém, estavam cheios de alegria e do Espírito Santo.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 13, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.