3 João 1

jivən səndesh (MAI) vs ARA

Sair da comparação
ARA Almeida Revista e Atualizada 1993
1 हम, “धर्मवृद्ध”, ई पत्र अपन प्रिय भाइ गयुस केँ लिखि रहल छी, जिनका सँ हम सत्‍यक कारणेँ प्रेम करैत छी।
1 O presbítero ao amado Gaio, a quem eu amo na verdade.
2 प्रिय मित्र, हम परमेश्‍वर सँ प्रार्थना करैत छी जे जहिना अहाँ आत्‍मिक रूप मे कुशल छी, तहिना आओर सभ बात मे सकुशल रहैत स्‍वस्‍थ रही।
2 Amado, acima de tudo, faço votos por tua prosperidade e saúde, assim como é próspera a tua alma.
3 किएक तँ जखन किछु भाय सभ आबि कऽ सुनौलनि जे अहाँ मे सत्‍यक लेल केहन निष्‍ठा अछि आ कोना अहाँ सत्‍य पर चलि रहल छी तँ हम बड्ड खुश भेलहुँ।
3 Pois fiquei sobremodo alegre pela vinda de irmãos e pelo seu testemunho da tua verdade, como tu andas na verdade.
4 हमरा लेल एहि सँ बड़का आनन्‍दक बात दोसर कोनो नहि भऽ सकैत अछि, जे हम ई सुनी जे हमर बच्‍चा सभ सत्‍य पर चलि रहल अछि।
4 Não tenho maior alegria do que esta, a de ouvir que meus filhos andam na verdade.
5 प्रिय मित्र, अहाँ अपरिचितो भाय सभक सेवा-सत्‍कार मे जे किछु कऽ रहल छी, ताहि मे अहाँ अपना केँ विश्‍वासपात्र सिद्ध कयने छी।
5 Amado, procedes fielmente naquilo que praticas para com os irmãos, e isto fazes mesmo quando são estrangeiros,
6 ओ सभ एतुका मण्‍डली केँ अहाँक प्रेमक बारे मे कहि देने छथि। जँ अहाँ हुनका सभक आगाँ वला यात्राक एहन प्रबन्‍ध कऽ दियनि जे परमेश्‍वर चाहितथि, तँ से बहुत बढ़ियाँ रहत,
6 os quais, perante a igreja, deram testemunho do teu amor. Bem farás encaminhando-os em sua jornada por modo digno de Deus;
7 किएक तँ ओ सभ मसीहक नामक प्रचारक लेल निकलल छथि, और ओहन लोक सभ सँ किछु सहयोग नहि लैत छथि जे सभ प्रभु केँ नहि चिन्‍हैत अछि।
7 pois por causa do Nome foi que saíram, nada recebendo dos gentios.
8 तेँ अपना सभ केँ एहन लोकक सहयोग करबाक चाही, जाहि सँ सत्‍यक लेल ओ सभ जे काज करैत छथि, ताहि मे अपना सभ हुनका सभक संग सहभागी भऽ सकी।
8 Portanto, devemos acolher esses irmãos, para nos tornarmos cooperadores da verdade.
9 हम मण्‍डलीक सदस्‍य सभ केँ एक चिट्ठी लिखने छलहुँ, मुदा दियुत्रिफेस, जे सभक प्रमुख बनबाक धुनि मे अछि, से हमरा सभक बात नहि मानैत अछि।
9 Escrevi alguma coisa à igreja; mas Diótrefes, que gosta de exercer a primazia entre eles, não nos dá acolhida.
10 तँ हम जँ आयब तँ ओकर काज झाँपब नहि। ओ दुष्‍ट भावना सँ हमरा सभक विरोध मे खराब बात सभ कहि कऽ हमरा सभक निन्‍दा करैत अछि। और एतबे सँ सन्‍तुष्‍ट नहि भऽ कऽ ओ भाय सभक अतिथि-सत्‍कार सेहो नहि करैत अछि, और जे सभ हुनका सभक अतिथि-सत्‍कार करऽ चाहैत छथि तिनको सभ केँ ओ नहि करऽ दैत अछि, आ हुनका सभ केँ मण्‍डली सँ निकालि दैत अछि।
10 Por isso, se eu for aí, far-lhe-ei lembradas as obras que ele pratica, proferindo contra nós palavras maliciosas. E, não satisfeito com estas coisas, nem ele mesmo acolhe os irmãos, como impede os que querem recebê-los e os expulsa da igreja.
11 प्रिय मित्र, अहाँ अधलाह काज देखि कऽ तेना नहि करू, बल्‍कि जे नीक अछि, तेना करू। जे केओ नीक काज करैत अछि से परमेश्‍वरक लोक अछि, मुदा जे केओ अधलाह काज करैत अछि, से परमेश्‍वर केँ कहियो नहि देखने अछि।
11 Amado, não imites o que é mau, senão o que é bom. Aquele que pratica o bem procede de Deus; aquele que pratica o mal jamais viu a Deus.
12 देमेत्रियुसक बारे मे सभ केओ बहुत नीक कहैत अछि। ओ सत्‍य पर चलैत छथि, आ एहि तरहेँ हुनका जीवन द्वारा सत्‍य अपने हुनका नीक लोक ठहरबैत अछि। हमहूँ सभ नीक कहैत छियनि, और अहाँ जनैत छी जे हमरा सभक गवाही सत्‍य होइत अछि।
12 Quanto a Demétrio, todos lhe dão testemunho, até a própria verdade, e nós também damos testemunho; e sabes que o nosso testemunho é verdadeiro.
13 हमरा अहाँ केँ बहुत किछु कहबाक अछि, मुदा हम चिट्ठी मे नहि लिखऽ चाहैत छी।
13 Muitas coisas tinha que te escrever; todavia, não quis fazê-lo com tinta e pena,
14 हमरा आशा अछि जे अहाँ सँ जल्‍दी भेँट कऽ सकब, आ तखन अपना सभ आमने-सामने बात-चीत करब।
14 pois, em breve, espero ver-te. Então, conversaremos de viva voz.
15 अहाँ केँ शान्‍ति भेटय। एहिठामक संगी सभ अहाँ केँ नमस्‍कार कहैत छथि। ओहिठामक संगी सभ केँ नाम लऽ-लऽ कऽ हमरा सभक नमस्‍कार कहि देबनि।
15 A paz seja contigo. Os amigos te saúdam. Saúda os amigos, nome por nome.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 3 João 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.