Tito 3

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 मण्‍डलीक लोक केँ स्‍मरण करबैत रहू जे ओ सभ शासक सभक आ अधिकारी सभक अधीन रहथि, आज्ञाकारी होथि, सभ तरहक नीक काज करबाक लेल तत्‍पर रहथि,
1 Admoesta-os a que sejam submissos aos magistrados e às autoridades, sejam obedientes, estejam prontos para qualquer obra boa,
2 ककरो बदनामी नहि करथि, झगड़ा नहि करथि, विचारशील होथि आ सदिखन सभक संग नम्र व्‍यवहार करथि।
2 não falem mal dos outros, sejam pacíficos, afáveis e saibam dar provas de toda mansidão para com todos os homens.
3 किएक तँ अपनो सभ पहिने निर्बुद्धि, आज्ञा उल्‍लंघन करऽ वला और भटकल छलहुँ, आ विभिन्‍न प्रकारक शारीरिक इच्‍छा आ भोग-विलासक अभिलाषा सभक गुलाम छलहुँ। अपनो सभ दुष्‍टता आ ईर्ष्‍या सँ भरल जीवन बितबैत छलहुँ। अपना सभ सँ घृणा कयल जाइत छल आ अपनो सभ एक-दोसर सँ घृणा करैत छलहुँ।
3 Porque também nós outrora éramos insensatos, rebeldes, transviados, escravos de paixões de toda espécie, vivendo na malícia e na inveja, detestáveis, odiando-nos uns aos outros.
4 मुदा जखन अपना सभक उद्धारकर्ता-परमेश्‍वरक दया आ प्रेम प्रगट भेल,
4 Mas um dia apareceu a bondade de Deus, nosso Salvador, e o seu amor para com os homens.
5 तँ ओ अपना सभक उद्धार कयलनि। ई उद्धार अपना सभक अपन कयल कोनो धर्मक काज सभक आधार पर नहि, बल्‍कि हुनकर दयाक कारणेँ भेल। अर्थात्‌, परमेश्‍वर अपना सभ केँ धो कऽ नव जन्‍म देलनि, अपन पवित्र आत्‍मा द्वारा अपना सभ केँ नव बनौलनि।
5 E, não por causa de obras de justiça que tivéssemos praticado, mas unicamente em virtude de sua misericórdia, ele nos salvou mediante o batismo da regeneração e renovação, pelo Espírito Santo,
6 ओ ओहि पवित्र आत्‍मा केँ अपना सभक उद्धारकर्ता यीशु मसीहक माध्‍यम सँ प्रशस्‍त मात्रा मे अपना सभ केँ प्रदान कयलनि,
6 que nos foi concedido em profusão, por meio de Cristo, nosso Salvador,
7 जाहि सँ हुनकर कृपा द्वारा धार्मिक ठहराओल जा कऽ अपना सभ ओहि अनन्‍त जीवनक उत्तराधिकारी होइ, जकर अपना सभ केँ आशा अछि।
7 para que a justificação obtida por sua graça nos torne, em esperança, herdeiros da vida eterna.
8 ई बात एकदम सत्‍य अछि आ हम चाहैत छी जे अहाँ एहि बात सभ पर जोर दी, जाहि सँ जे सभ परमेश्‍वर पर विश्‍वास कयने छथि से सभ नीक काज सभ मे लागल रहबाक लेल ध्‍यान देथि। ई बात सभ अति उत्तम आ सभ लोकक लेल कल्‍याणकारी अछि।
8 Certa é esta doutrina, e quero que a ensines com constância e firmeza, para que os que abraçaram a fé em Deus se esforcem por se aperfeiçoar na prática do bem. Isto é bom e útil aos homens.
9 मुदा निरर्थक वाद-विवाद, वंशावली सम्‍बन्‍धी बात आ धर्म-नियम सम्‍बन्‍धी झगड़ा और बतकटौअलि सभ सँ बँचू, किएक तँ एहि सभ सँ कोनो लाभ नहि अछि; ई सभ बेकार अछि।
9 Quanto a questões tolas, genealogias, contendas e disputas relativas à lei, foge delas, porque são inúteis e vãs.
10 जे केओ अहाँ सभक बीच मे फूट कराबय तकरा चेतावनी दिऔक। जँ दोसरो बेरक चेतावनीक बाद नहि मानैत होअय तँ ओकरा सँ कोनो सम्‍बन्‍ध नहि राखू,
10 O homem que assim fomenta divisões, depois de advertido uma primeira e uma segunda vez, evita-o,
11 ई जानि जे एहन व्‍यक्‍ति पथभ्रष्‍ट भऽ गेल अछि आ पाप करिते रहैत अछि। ओ स्‍वयं अपना केँ दोषी ठहरा लेने अछि।
11 visto que esse tal é um perverso que, perseverando no seu pecado, se condena a si próprio.
12 हम जखन अरतिमास वा तुखिकुस केँ अहाँक ओतऽ पठायब तँ अहाँ निकुपुलिस नगर मे हमरा लग जल्‍दी अयबाक प्रयत्‍न करब। हम ओतहि जाड़क समय व्‍यतीत करबाक निश्‍चय कयने छी।
12 Logo que eu te enviar Ártemas ou Tíquico, apressa-te a vir ter comigo em Nicópolis, onde decidi passar o inverno.
13 जेनास वकील आ अपुल्‍लोसक यात्राक लेल नीक सँ प्रबन्‍ध करबाक कोशिश करू जाहि सँ हुनका सभ केँ कोनो बातक कमी नहि होनि।
13 Prepara com cuidado a viagem do jurista Zenas e de Apolo, de maneira que nada lhes venha a faltar.
14 अपना सभक लोक सभ केँ सेहो नीक काज मे लागल रहनाइ सिखऽ पड़तनि जाहि सँ ओ सभ वास्‍तविक आवश्‍यकता सभक पूर्ति कऽ सकथि आ निष्‍फल जीवन नहि बितबथि।
14 Urge também que os nossos aprendam a aplicar-se às boas obras para atender às necessidades mais prementes. Assim não ficarão infrutuosos.
15 एहिठामक हमरा संगक सभ लोक अहाँ केँ नमस्‍कार पठबैत छथि। हमरा सभ सँ प्रेम करऽ वला ओहूठामक विश्‍वासी सभ केँ हमर नमस्‍कार कहि दिऔन।
15 Todos os que estão comigo te saúdam. Saúda todos aqueles que nos amam na fé. A graça esteja com todos vós!

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Tito 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.