Tito 3
jivən səndesh (MAI) vs NAA
1 मण्डलीक लोक केँ स्मरण करबैत रहू जे ओ सभ शासक सभक आ अधिकारी सभक अधीन रहथि, आज्ञाकारी होथि, सभ तरहक नीक काज करबाक लेल तत्पर रहथि,
1 Lembre a todos que se sujeitem aos governantes e às autoridades, que sejam obedientes e estejam prontos para toda boa obra.
2 ककरो बदनामी नहि करथि, झगड़ा नहि करथि, विचारशील होथि आ सदिखन सभक संग नम्र व्यवहार करथि।
2 Que não difamem ninguém. Que sejam pacíficos, cordiais, dando provas de toda cortesia para com todos.
3 किएक तँ अपनो सभ पहिने निर्बुद्धि, आज्ञा उल्लंघन करऽ वला और भटकल छलहुँ, आ विभिन्न प्रकारक शारीरिक इच्छा आ भोग-विलासक अभिलाषा सभक गुलाम छलहुँ। अपनो सभ दुष्टता आ ईर्ष्या सँ भरल जीवन बितबैत छलहुँ। अपना सभ सँ घृणा कयल जाइत छल आ अपनो सभ एक-दोसर सँ घृणा करैत छलहुँ।
3 Pois nós também, no passado, éramos insensatos, desobedientes, desgarrados, escravos de todo tipo de paixões e prazeres, vivendo em maldade e inveja, sendo odiados e odiando-nos uns aos outros.
4 मुदा जखन अपना सभक उद्धारकर्ता-परमेश्वरक दया आ प्रेम प्रगट भेल,
4 Mas quando se manifestou a bondade de Deus, nosso Salvador, e o seu amor por todos,
5 तँ ओ अपना सभक उद्धार कयलनि। ई उद्धार अपना सभक अपन कयल कोनो धर्मक काज सभक आधार पर नहि, बल्कि हुनकर दयाक कारणेँ भेल। अर्थात्, परमेश्वर अपना सभ केँ धो कऽ नव जन्म देलनि, अपन पवित्र आत्मा द्वारा अपना सभ केँ नव बनौलनि।
5 ele nos salvou, não por obras de justiça praticadas por nós, mas segundo a sua misericórdia. Ele nos salvou mediante o lavar regenerador e renovador do Espírito Santo,
6 ओ ओहि पवित्र आत्मा केँ अपना सभक उद्धारकर्ता यीशु मसीहक माध्यम सँ प्रशस्त मात्रा मे अपना सभ केँ प्रदान कयलनि,
6 que ele derramou sobre nós ricamente, por meio de Jesus Cristo, nosso Salvador,
7 जाहि सँ हुनकर कृपा द्वारा धार्मिक ठहराओल जा कऽ अपना सभ ओहि अनन्त जीवनक उत्तराधिकारी होइ, जकर अपना सभ केँ आशा अछि।
7 a fim de que, justificados por graça, nos tornemos seus herdeiros, segundo a esperança da vida eterna.
8 ई बात एकदम सत्य अछि आ हम चाहैत छी जे अहाँ एहि बात सभ पर जोर दी, जाहि सँ जे सभ परमेश्वर पर विश्वास कयने छथि से सभ नीक काज सभ मे लागल रहबाक लेल ध्यान देथि। ई बात सभ अति उत्तम आ सभ लोकक लेल कल्याणकारी अछि।
8 Fiel é esta palavra, e quero que você fale ousadamente a respeito dessas coisas, para que os que creem em Deus se empenhem na prática de boas obras. Estas coisas são excelentes e proveitosas para todas as pessoas.
9 मुदा निरर्थक वाद-विवाद, वंशावली सम्बन्धी बात आ धर्म-नियम सम्बन्धी झगड़ा और बतकटौअलि सभ सँ बँचू, किएक तँ एहि सभ सँ कोनो लाभ नहि अछि; ई सभ बेकार अछि।
9 Evite discussões tolas, genealogias, controvérsias e debates sobre a lei; porque são inúteis e sem valor.
10 जे केओ अहाँ सभक बीच मे फूट कराबय तकरा चेतावनी दिऔक। जँ दोसरो बेरक चेतावनीक बाद नहि मानैत होअय तँ ओकरा सँ कोनो सम्बन्ध नहि राखू,
10 Evite a pessoa que provoca divisões, depois de admoestá-la uma ou duas vezes,
11 ई जानि जे एहन व्यक्ति पथभ्रष्ट भऽ गेल अछि आ पाप करिते रहैत अछि। ओ स्वयं अपना केँ दोषी ठहरा लेने अछि।
11 pois você sabe que tal pessoa está pervertida, vive pecando e por si mesma está condenada.
12 हम जखन अरतिमास वा तुखिकुस केँ अहाँक ओतऽ पठायब तँ अहाँ निकुपुलिस नगर मे हमरा लग जल्दी अयबाक प्रयत्न करब। हम ओतहि जाड़क समय व्यतीत करबाक निश्चय कयने छी।
12 Quando eu lhe enviar Ártemas ou Tíquico, faça o possível para vir ao meu encontro em Nicópolis. Estou resolvido a passar o inverno ali.
13 जेनास वकील आ अपुल्लोसक यात्राक लेल नीक सँ प्रबन्ध करबाक कोशिश करू जाहि सँ हुनका सभ केँ कोनो बातक कमी नहि होनि।
13 Ajude, da melhor maneira possível, Zenas, o intérprete da lei, e também Apolo, para que não lhes falte nada para a viagem.
14 अपना सभक लोक सभ केँ सेहो नीक काज मे लागल रहनाइ सिखऽ पड़तनि जाहि सँ ओ सभ वास्तविक आवश्यकता सभक पूर्ति कऽ सकथि आ निष्फल जीवन नहि बितबथि।
14 E, quanto aos nossos, que aprendam também a se empenhar na prática de boas obras a favor dos necessitados, para não se tornarem infrutíferos.
15 एहिठामक हमरा संगक सभ लोक अहाँ केँ नमस्कार पठबैत छथि। हमरा सभ सँ प्रेम करऽ वला ओहूठामक विश्वासी सभ केँ हमर नमस्कार कहि दिऔन।
15 Todos os que estão comigo mandam saudações a você. Dê saudações àqueles que nos amam na fé. A graça esteja com todos vocês.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Tito 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.