Tiago 5

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 यौ धनिक लोक सभ, हमर बात सुनू। अहाँ सभ चिचिआ-चिचिआ कऽ विलाप करू किएक तँ अहाँ सभ पर विपत्ति सभ आबऽ वला अछि।
1 Eia, pois, agora vós, ricos, chorai e pranteai por vossas misérias, que sobre vós hão de vir.
2 अहाँ सभक धन मे घून लागि गेल अछि, अहाँ सभक कपड़ा केँ कीड़ा खा लेने अछि।
2 As vossas riquezas estão apodrecidas, e as vossas vestes estão comidas da traça.
3 अहाँ सभक सोन-चानी मे बीझ लागि गेल अछि। यैह बीझ अहाँ सभक विरोध मे गवाही देत और आगि जकाँ अहाँ सभक शरीर केँ खा जायत। युगक अन्‍तक समय अछि आ अहाँ सभ धनक ढेर लगा लेने छी।
3 O vosso ouro e a vossa prata se enferrujaram; e a sua ferrugem dará testemunho contra vós e comerá como fogo a vossa carne. Entesourastes para os últimos dias.
4 देखू, जऽन-बोनिहार सभ अहाँ सभक खेतक फसिल कटलक आ अहाँ सभ ओकर बोनि नहि देलिऐक। ओ बोनि अहाँ सभक विरोध मे चिचिया रहल अछि और जऽन-बोनिहार सभक कानब सर्वशक्‍तिमान परमेश्‍वरक कान तक पहुँचि गेल अछि।
4 Eis que o salário dos trabalhadores que ceifaram as vossas terras e que por vós foi diminuído clama; e os clamores dos que ceifaram entraram nos ouvidos do Senhor dos Exércitos.
5 अहाँ सभ पृथ्‍वी पर सुख आ भोग-विलासक जीवन व्‍यतीत कयलहुँ और अपना केँ वध होयबाक दिनक लेल पोसि कऽ हृष्‍टपुष्‍ट कऽ लेने छी।
5 Deliciosamente, vivestes sobre a terra, e vos deleitastes, e cevastes o vosso coração, como num dia de matança.
6 अहाँ सभ निर्दोष सभ केँ दोषी ठहरा-ठहरा कऽ मारि देलिऐक जखन कि ओ सभ अहाँ सभक कोनो विरोध नहि कयने छल।
6 Condenastes e matastes o justo; ele não vos resistiu.
7 एहि लेल यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ प्रभुक अयबाक समय धरि धैर्य राखू। देखू, गृहस्‍थ कोना जमीन सँ बहुमूल्‍य उपजनिक आशा मे पहिल और अन्‍तिम वर्षाक लेल धैर्य रखने रहैत अछि।
7 Sede, pois, irmãos, pacientes até a vinda do Senhor. Eis que o lavrador espera o precioso fruto da terra, aguardando-o com paciência, até que receba a chuva temporã e serôdia.
8 तहिना अहूँ सभ धैर्य राखू, हिम्‍मत नहि हारू, कारण, प्रभुक अयबाक समय लग आबि गेल अछि।
8 Sede vós também pacientes, fortalecei o vosso coração, porque já a vinda do Senhor está próxima.
9 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ एक-दोसर पर नहि कुड़बुड़ाउ जाहि सँ अहाँ सभ पर दोष नहि लगाओल जाय। देखू, न्‍याय कयनिहार घरक मुँहे पर ठाढ़ छथि!
9 Irmãos, não vos queixeis uns contra os outros, para que não sejais condenados. Eis que o juiz está à porta.
10 यौ भाइ लोकनि, कष्‍टक समय मे धैर्य रखबाक उदाहरणक लेल परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभ केँ देखू जे सभ परमेश्‍वरक नाम सँ बाजल छलाह।
10 Meus irmãos, tomai por exemplo de aflição e paciência os profetas que falaram em nome do Senhor.
11 स्‍मरण राखू जे, जे सभ कष्‍ट सहि कऽ स्‍थिर बनल रहलाह, तिनका सभ केँ अपना सभ धन्‍य कहैत छियनि। अहाँ सभ अय्‍यूबक धैर्यक बारे मे सुनने छी और अहाँ सभ केँ इहो बुझल अछि जे प्रभु अन्‍त मे हुनका लेल की कयलनि। प्रभु तँ बड्ड करुणामय आ दयालु छथि।
11 Eis que temos por bem-aventurados os que sofreram. Ouvistes qual foi a paciência de Jó e vistes o fim que o Senhor lhe deu; porque o Senhor é muito misericordioso e piedoso.
12 यौ भाइ लोकनि, सभ सँ पैघ बात ई जे अहाँ सभ सपत नहि खाउ, ने स्‍वर्गक नाम लऽ कऽ, ने पृथ्‍वीक आ ने कोनो आन वस्‍तुक, बल्‍कि अहाँ सभक “हँ” वास्‍तव मे “हँ” और “नहि” वास्‍तव मे “नहि” होअय, जाहि सँ अहाँ सभ दण्‍ड पयबा जोगरक नहि ठहरी।
12 Mas, sobretudo, meus irmãos, não jureis nem pelo céu nem pela terra, nem façais qualquer outro juramento; mas que a vossa palavra seja sim, sim e não, não, para que não caiais em condenação.
13 की अहाँ सभ मे सँ केओ कष्‍ट मे अछि? तँ ओ प्रार्थना करओ। की केओ आनन्‍दित अछि? तँ ओ स्‍तुतिक गीत गाबओ।
13 Está alguém entre vós aflito? Ore. Está alguém contente? Cante louvores.
14 की अहाँ सभ मे केओ बिमार अछि? तँ ओ मण्‍डलीक देख-रेख कयनिहार लोकनि केँ बजबनि और ओ सभ प्रभुक नाम सँ ओकरा पर तेल लगा कऽ ओकरा लेल प्रार्थना करथि।
14 Está alguém entre vós doente? Chame os presbíteros da igreja, e orem sobre ele, ungindo-o com azeite em nome do Senhor;
15 विश्‍वासपूर्ण प्रार्थना बिमारी केँ स्‍वस्‍थ कऽ देतैक और प्रभु ओकरा ठीक कऽ देथिन। जँ ओ कोनो पाप कयने होअय तँ ओकर ओ पापो क्षमा कऽ देल जयतैक।
15 e a oração da fé salvará o doente, e o Senhor o levantará; e, se houver cometido pecados, ser-lhe-ão perdoados.
16 तेँ अहाँ सभ एक-दोसराक सम्‍मुख अपन-अपन पाप मानि लिअ और एक-दोसराक लेल प्रार्थना करू जाहि सँ अहाँ सभ स्‍वस्‍थ कयल जाइ। धार्मिक लोकक प्रार्थना सँ बहुत प्रभावशाली परिणाम होइत अछि।
16 Confessai as vossas culpas uns aos outros e orai uns pelos outros, para que sareis; a oração feita por um justo pode muito em seus efeitos.
17 एलियाह सेहो अपना सभ जकाँ मनुष्‍ये छलाह। ओ वर्षा नहि होयबाक लेल पूरा मोन सँ प्रार्थना कयलनि और साढ़े तीन वर्ष तक वर्षा नहि भेल।
17 Elias era homem sujeito às mesmas paixões que nós e, orando, pediu que não chovesse, e, por três anos e seis meses, não choveu sobre a terra.
18 तखन ओ फेर प्रार्थना कयलनि और आकाश सँ वर्षा भेल आ जमीन सँ फसिलक उपजनि भेल।
18 E orou outra vez, e o céu deu chuva, e a terra produziu o seu fruto.
19 यौ भाइ लोकनि, जँ अहाँ सभ मे सँ केओ सत्‍यक बाट सँ भटकि जाय और केओ दोसर ओकरा घुमा कऽ लऽ अनैक,
19 Irmãos, se algum de entre vós se tem desviado da verdade, e alguém o converter,
20 तँ ओ ई जानि लओ जे, जे केओ एक पापी केँ ओकर कुमार्ग सँ घुमा अनैत अछि, से ओकरा नाश होमऽ सँ बचबैत अछि आ ओकर असंख्‍य पाप क्षमा भऽ जयबाक कारण बनैत अछि।
20 saiba que aquele que fizer converter do erro do seu caminho um pecador salvará da morte uma alma e cobrirá uma multidão de pecados.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Tiago 5, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.