Romanos 7

jivən səndesh (MAI) vs ARIB

Sair da comparação
ARIB Almeida Revisada Imprensa Bíblica
1 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ तँ नियम-कानून केँ जननिहार लोक छी—की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे तहिए तक कोनो मनुष्‍य पर कानूनक अधिकार रहैत छैक जहिया तक ओ मनुष्‍य जीवित अछि?
1 Ou ignorais, irmãos {pois falo aos que conhecem a lei}, que a lei tem domínio sobre o homem por todo o tempo que ele vive?
2 उदाहरणक लेल, विवाहित स्‍त्री तहिया धरि कानून द्वारा अपन पुरुषक बन्‍हन मे रहैत अछि जहिया धरि ओकर पुरुष जीवित छैक। जँ पुरुष मरि जाइत छैक तँ ओ विवाह-कानूनक बन्‍हन सँ मुक्‍त भऽ जाइत अछि।
2 Porque a mulher casada está ligada pela lei a seu marido enquanto ele viver; mas, se ele morrer, ela está livre da lei do marido.
3 एहि लेल, जँ ओ पतिक जीवन काल मे कोनो दोसर पुरुष सँ विवाह करैत अछि तँ ओ परपुरुषगमन करऽ वाली कहबैत अछि, मुदा जँ ओकर पति मरि जाइत छैक तँ ओ ओहि विवाह सम्‍बन्‍ध सँ मुक्‍त भऽ जाइत अछि और कोनो दोसर पुरुषक स्‍त्री बनिओ कऽ परपुरुषगमन करऽ वाली नहि होइत अछि।
3 De sorte que, enquanto viver o marido, será chamado adúltera, se for de outro homem; mas, se ele morrer, ela está livre da lei, e assim não será adúltera se for de outro marido.
4 एहि लेल, यौ हमर भाइ लोकनि, अहूँ सभ मसीहक शारीरिक मृत्‍यु मे सहभागी भऽ धर्म-नियमक दृष्‍टिकोण सँ मरि गेल छी, जाहि सँ कोनो दोसराक, अर्थात् यीशु मसीहक, जे मृत्‍यु मे सँ जिआओल गेलाह, तिनकर भऽ जाइ आ परमेश्‍वरक लेल फलदायक सेवा करी।
4 Assim também vós, meus irmãos, fostes mortos quanto à lei mediante o corpo de Cristo, para pertencerdes a outro, àquele que ressurgiu dentre os mortos a fim de que demos fruto para Deus.
5 जखन अपना सभ अपन पापी स्‍वभावक अनुसार आचरण करैत छलहुँ, तँ पापमय लालसा सभ धर्म-नियम द्वारा प्रेरणा पाबि कऽ अपना सभक शरीरक अंग सभ मे काज करैत छल, जाहि सँ तेहन जीवन बितबैत छलहुँ जकर परिणाम मृत्‍यु अछि।
5 Pois, quando estávamos na carne, as paixões dos pecados, suscitadas pela lei, operavam em nossos membros para darem fruto para a morte.
6 मुदा आब तकरा लेखेँ मरि कऽ जे एक समय मे अपना सभ केँ अपना वश मे बान्‍हि कऽ रखने छल, अर्थात् धर्म-नियम, अपना सभ ओहि सँ मुक्‍त भऽ गेल छी। आब पुरान तरीका सँ लिखित नियमक दास भऽ कऽ नहि, बल्‍कि नव तरीका सँ, जे पवित्र आत्‍माक तरीका छनि, परमेश्‍वरक सेवा करबाक लेल स्‍वतन्‍त्र भऽ गेल छी।
6 Mas agora fomos libertos da lei, havendo morrido para aquilo em que estávamos retidos, para servirmos em novidade de espírito, e não na velhice da letra.
7 तखन, जँ पापमय लालसा सभ धर्म-नियम द्वारा प्रेरणा पबैत अछि, तँ की अपना सभ ई कही जे धर्म-नियम आ पाप दूनू एके चीज अछि? एकदम नहि! बात ई अछि जे, धर्म-नियमक अभाव मे हम पाप केँ चिन्‍हने नहि रहितहुँ। जँ धर्म-नियम नहि कहने रहैत जे, “लोभ नहि करह” तँ हम ई नहि जनितहुँ जे, लोभ अछि की।
7 Que diremos pois? É a lei pecado? De modo nenhum. Contudo, eu não conheci o pecado senão pela lei; porque eu não conheceria a concupiscência, se a lei não dissesse: Não cobiçarás.
8 एहि आज्ञा सँ मौका पाबि पाप हमरा मे सभ प्रकारक लोभ उत्‍पन्‍न कऽ देलक, कारण, नियमक अभाव मे पाप निर्जीव अछि।
8 Mas o pecado, tomando ocasião, pelo mandamento operou em mim toda espécie de concupiscência; porquanto onde não há lei está morto o pecado.
9 एक समय छल जहिया धर्म-नियम नहि छल आ हम जीवित छलहुँ, मुदा जखन आज्ञा आबि गेल तँ पाप जीवित भऽ गेल आ हम मरि गेलहुँ।
9 E outrora eu vivia sem a lei; mas assim que veio o mandamento, reviveu o pecado, e eu morri;
10 और एहि तरहेँ जाहि आज्ञाक उद्देश्‍य छल जीवन देनाइ, से आज्ञा हमरा लेल मृत्‍युक कारण बनि गेल।
10 e o mandamento que era para vida, esse achei que me era para morte.
11 किएक तँ पाप आज्ञाक उपस्‍थिति सँ अवसर पाबि हमरा धोखा देलक आ ओही आज्ञा सँ हमरा मारि देलक।
11 Porque o pecado, tomando ocasião, pelo mandamento me enganou, e por ele me matou.
12 एहि तरहेँ अपना सभ देखैत छी जे धर्म-नियम अपने पवित्र अछि और आज्ञा सेहो पवित्र, उचित आ कल्‍याणकारी अछि।
12 De modo que a lei é santa, e o mandamento santo, justo e bom.
13 तखन की, जे बात कल्‍याणकारी छल, सैह हमरा लेल मृत्‍युक कारण बनि गेल? कदापि नहि! बल्‍कि जे वस्‍तु कल्‍याणकारी छल, तकरा प्रयोग कऽ कऽ पाप हमरा लेल मृत्‍युक कारण बनि गेल। एहि तरहेँ पापक वास्‍तविक स्‍वरूप प्रगट भऽ गेल आ आज्ञाक माध्‍यम सँ पाप आओर अधिक पापमय प्रमाणित भेल।
13 Logo o bom tornou-se morte para mim? De modo nenhum; mas o pecado, para que se mostrasse pecado, operou em mim a morte por meio do bem; a fim de que pelo mandamento o pecado se manifestasse excessivamente maligno.
14 अपना सभ जनैत छी जे धर्म-नियम आत्‍मा सँ सम्‍बन्‍ध रखैत अछि, मुदा हम मानवीय स्‍वभावक प्रभाव मे छी आ पापक हाथेँ बिका गेल छी।
14 Porque bem sabemos que a lei é espiritual; mas eu sou carnal, vendido sob o pecado.
15 हम की करैत छी, से नहि बुझि पबैत छी, किएक तँ हम जे करऽ चाहैत छी से नहि करैत छी, बल्‍कि जाहि बात सँ हम घृणा करैत छी सैह करैत छी।
15 Pois o que faço, não o entendo; porque o que quero, isso não pratico; mas o que aborreço, isso faço.
16 आब हम जे करैत छी, जँ से करबाक इच्‍छा हमरा नहि अछि, तँ एहि सँ स्‍पष्‍ट होइत अछि जे हम वास्‍तव मे मानैत छी जे धर्म-नियम उचित अछि।
16 E, se faço o que não quero, consinto com a lei, que é boa.
17 तखन एहन अवस्‍था मे करऽ वला हम नहि रहलहुँ, बल्‍कि करऽ वला ओ पाप अछि जे हमरा मे वास कऽ रहल अछि।
17 Agora, porém, não sou mais eu que faço isto, mas o pecado que habita em mim.
18 किएक तँ हम जनैत छी जे हमरा मे कोनो नीक वस्‍तुक वास नहि अछि, अर्थात् हमर मानवीय स्‍वभाव मे। नीक काज करबाक इच्‍छा तँ हमरा होइत अछि, मुदा हम ओकरा कऽ नहि पबैत छी।
18 Porque eu sei que em mim, isto é, na minha carne, não habita bem algum; com efeito o querer o bem está em mim, mas o efetuá-lo não está.
19 कारण, जाहि नीक काज केँ हम करऽ चाहैत छी तकरा नहि करैत छी, आ जाहि अधलाह काज केँ करऽ नहि चाहैत छी तकरे करैत रहैत छी।
19 Pois não faço o bem que quero, mas o mal que não quero, esse pratico.
20 जँ हम जे नहि करऽ चाहैत छी सैह करैत छी, तँ ओ करऽ वला हम नहि, बल्‍कि पाप अछि, जे हमरा मे वास करैत अछि।
20 Ora, se eu faço o que não quero, já o não faço eu, mas o pecado que habita em mim.
21 एहि तरहेँ हम अपना मे ई नियम पबैत छी जे, जखन हम नीक काज करबाक इच्‍छा करैत छी तँ अधलाहे काज हमरा सँ होइत अछि।
21 Acho então esta lei em mim, que, mesmo querendo eu fazer o bem, o mal está comigo.
22 हम अपना अन्‍तरात्‍मा मे परमेश्‍वरक धर्म-नियम केँ तँ सहर्ष स्‍वीकार करैत छी,
22 Porque, segundo o homem interior, tenho prazer na lei de Deus;
23 मुदा हमरा अपना शरीर मे एक दोसरे नियम काज करैत देखाइ दैत अछि, जे ताहि नियम सँ संघर्ष करैत अछि जे हमर बुद्धि स्‍वीकार करैत अछि। हमरा शरीरक अंग मे क्रियाशील ओ नियम पाप-नियम अछि और ओ हमरा अपन बन्‍दी बना लैत अछि।
23 mas vejo nos meus membros outra lei guerreando contra a lei do meu entendimento, e me levando cativo à lei do pecado, que está nos meus membros.
24 हम कतेक अभागल मनुष्‍य छी! एहि मृत्‍युक अधीन रहऽ वला शरीर सँ हमरा के छुटकारा दियाओत?
24 Miserável homem que eu sou! quem me livrará do corpo desta morte?
25 परमेश्‍वरक धन्‍यवाद होनि! वैह अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक द्वारा हमरा छुटकारा दिऔताह।
25 Graças a Deus, por Jesus Cristo nosso Senhor! De modo que eu mesmo com o entendimento sirvo à lei de Deus, mas com a carne à lei do pecado.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Romanos 7, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.