Romanos 3

jivən səndesh (MAI) vs NVT

Sair da comparação
NVT Nova Versão Transformadora
1 तखन यहूदी भेला सँ की लाभ? वा खतना करौला सँ की लाभ?
1 Então qual é a vantagem de ser judeu? A circuncisão tem algum valor?
2 हर तरहेँ बहुत लाभ! पहिल बात तँ ई जे, परमेश्‍वरक वचन यहूदी सभ केँ जिम्‍मा देल गेलैक।
2 Sim, há muitos benefícios. Em primeiro lugar, aos judeus foi confiada toda a revelação de Deus.
3 जँ ओकरा सभ मे सँ किछु लोक विश्‍वास नहि कयलक तँ तकर मतलब की भेल? की ओकरा सभक अविश्‍वास कयनाइ परमेश्‍वरक विश्‍वासयोग्‍यता केँ व्‍यर्थ ठहराओत?
3 É verdade que alguns deles foram infiéis, mas isso significa que Deus será infiel?
4 किन्‍नहुँ नहि! चाहे प्रत्‍येक मनुष्‍य झुट्ठा निकलय, मुदा परमेश्‍वर सत्‍य प्रमाणित होयताह, जेना कि धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि, “...जाहि सँ अहाँ अपना बात मे सत्‍य प्रमाणित होयब आ अहाँक फैसलाक जाँच भेला पर विजयी होयब।”
4 De maneira nenhuma! Ainda que todos sejam mentirosos, Deus é verdadeiro. E as Escrituras dizem a seu respeito: “Será provado que tens razão no que dizes, e ganharás tua causa no juízo”.
5 मुदा जँ हमरा सभक दुष्‍टता परमेश्‍वरक धार्मिकता केँ प्रदर्शित करैत अछि, तँ एना मे हम सभ की ई कही जे परमेश्‍वर जखन हमरा सभ पर क्रोध प्रगट करैत छथि तँ ओ अन्‍याय करैत छथि? ई बात हम मानवीय सोचक अनुरूप कहि रहल छी।
5 Alguém poderia dizer: “Mas nosso pecado não cumpre um bom propósito, ajudando os outros a verem como Deus é justo? Não é uma injustiça, portanto, Deus nos castigar?”. (Estou seguindo o ponto de vista humano.)
6 ओ किन्‍नहुँ नहि अन्‍याय करैत छथि! जँ ओ अन्‍यायी होइतथि तँ संसारक न्‍याय कोना करितथि?
6 Claro que não! Se fosse assim, como Deus poderia julgar o mundo?
7 केओ शायद ई कहत जे, जँ हमरा झूठ सँ परमेश्‍वरक सत्‍यता आरो स्‍पष्‍ट रूप सँ देखाइ पड़ैत अछि आ एहि कारणेँ हुनकर गुणगान बढ़ैत छनि तँ पापी जकाँ हम किएक दण्‍डक योग्‍य ठहराओल जा रहल छी?
7 Alguém poderia argumentar, ainda: “Mas por que Deus me condena como pecador se minha mentira ressalta sua verdade e lhe traz mais glória?”.
8 ई तँ तेहने बात कहनाइ जकाँ भेल जे हम सभ अधलाहे किएक ने करी जाहि सँ नीक उत्‍पन्‍न होअय? किछु लोक हमरा सभक निन्‍दा करैत आरोप लगबैत अछि जे हम सभ एहने बात सभ सिखबैत छी। एहन लोक सभ केँ दण्‍ड भेटनाइ उचित अछि।
8 E alguns até nos difamam, afirmando que dizemos: “Quanto mais pecarmos, melhor!”. Quem diz essas coisas merece condenação.
9 तखन एहि बातक मतलब की भेल? की हम सभ, जे यहूदी छी, आन लोकक अपेक्षा श्रेष्‍ठ छी? बिलकुल नहि! हम पहिनहि यहूदी आ आन जातिक लोक, दूनू पर दोष लगा चुकल छी जे ओ सभ केओ पापक अधीन अछि।
9 Pois bem, devemos concluir que nós, judeus, somos melhores que os outros? Não, de maneira nenhuma, pois já mostramos que todos, judeus ou gentios, estão sob o poder do pecado.
10 जेना कि धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे,
10 Como afirmam as Escrituras: “Ninguém é justo, nem um sequer.
11 कोनो मनुष्‍य बुझनिहार नहि अछि।
11 Ninguém é sábio, ninguém busca a Deus.
12 सभ केओ भटकि गेल अछि,
12 Todos se desviaram, todos se tornaram inúteis. Ninguém faz o bem, nem um sequer.”
13 “ओकर सभक कण्‍ठ खुजल कबर जकाँ छैक,
13 “Sua conversa é repulsiva, como o odor de um túmulo aberto; sua língua é cheia de mentiras.” “Veneno de serpentes goteja de seus lábios.”
14 “ओकर सभक मुँह सराप आ कटुता सँ भरल छैक।”
14 “Sua boca é cheia de maldição e amargura.”
15 “ओकर सभक पयर खून करबाक लेल दौड़ैत छैक।
15 “Apressam-se em cometer homicídio;
16 ओ सभ जतऽ-कतौ जाइत अछि ततऽ विनाश आ दुःख लऽ जाइत अछि।
16 por onde passam, deixam destruição e sofrimento.
17 ओ सभ शान्‍तिक बाट सँ अपरिचित अछि।”
17 Não sabem onde encontrar paz.”
18 “ओकरा सभक मोन मे परमेश्‍वरक डर-भय नहि छैक।”
18 “Não têm o menor temor de Deus.”
19 अपना सभ जनैत छी जे, धर्म-नियम जे बात कहैत अछि से ओकरे सभ केँ कहैत अछि जकरा सभ केँ धर्म-नियम देल गेल अछि। एहि तरहेँ सभक मुँह बन्‍द भऽ गेल अछि आ परमेश्‍वरक सम्‍मुख सम्‍पूर्ण संसार दण्‍डक योग्‍य ठहरि गेल अछि।
19 É evidente que a lei se aplica àqueles a quem ela foi entregue, pois seu propósito é evitar desculpas e mostrar que todo o mundo é culpado diante de Deus.
20 किएक तँ धर्म-नियमक पालन कयला सँ कोनो मनुष्‍य परमेश्‍वरक नजरि मे धार्मिक नहि ठहरत, बल्‍कि धर्म-नियमक माध्‍यम सँ मनुष्‍य केँ अपन पापक ज्ञान होइत छैक।
20 Pois ninguém será declarado justo diante de Deus por fazer o que a lei ordena. A lei simplesmente mostra quanto somos pecadores.
21 मुदा आब परमेश्‍वर अपना दिस सँ एकटा तेहन धार्मिकता प्रगट कयने छथि जे धर्म-नियम पर निर्भर नहि अछि, आ जाहि सम्‍बन्‍ध मे धर्म-नियम आ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक लेख गवाही सेहो देने अछि।
21 Agora, porém, conforme prometido na lei de Moisés e nos profetas, Deus nos mostrou como somos declarados justos diante dele sem as exigências da lei:
22 प्रगट भेल धार्मिकता ई अछि जे परमेश्‍वर विश्‍वासक आधार पर तकरा सभ गोटे केँ धार्मिक ठहरबैत छथि जे सभ यीशु मसीह पर विश्‍वास करैत अछि। ककरो मे कोनो भेद नहि—
22 somos declarados justos diante de Deus por meio da fé em Jesus Cristo, e isso se aplica a todos que creem, sem nenhuma distinção.
23 सभ केओ पाप कयने अछि आ परमेश्‍वरक महिमा तक पहुँचऽ मे चुकि जाइत अछि।
23 Pois todos pecaram e não alcançam o padrão da glória de Deus,
24 मुदा परमेश्‍वर अपना खुशी सँ दानक रूप मे विश्‍वास कयनिहार सभ केँ ओहि छुटकाराक माध्‍यम सँ धार्मिक ठहरबैत छथि जे छुटकारा ओ मसीह यीशु द्वारा पूरा कयलनि।
24 mas ele, em sua graça, nos declara justos por meio de Cristo Jesus, que nos resgatou do castigo por nossos pecados.
25 परमेश्‍वर यीशु मसीह केँ मनुष्‍यक पापक प्रायश्‍चित्त करऽ वला बलिदानक रूप मे संसार मे प्रस्‍तुत कयलनि, जाहि बलिदानक बहाओल खून पर विश्‍वास कयला सँ मनुष्‍य केँ पाप सँ मुक्‍ति भेटैत छैक। एहि तरहेँ परमेश्‍वर अपन उचित न्‍याय केँ प्रमाणित कयलनि, किएक तँ ओ अपन सहनशीलताक अनुरूप पूर्व समय मे कयल गेल पाप सभ केँ दण्‍डित नहि कऽ ओहिना छोड़ने छलाह।
25 Deus apresentou Jesus como sacrifício pelo pecado, com o sangue que ele derramou, mostrando assim sua justiça em favor dos que creem. No passado ele se conteve e não castigou os pecados antes cometidos,
26 वर्तमान समय मे परमेश्‍वर अपन उचित न्‍याय प्रमाणित कऽ ई बात प्रगट कयलनि जे ओ स्‍वयं न्‍यायी छथि आ ओहि सभ लोक केँ धार्मिक ठहरबैत छथि जे सभ यीशु मसीह पर विश्‍वास करैत अछि।
26 pois planejava revelar sua justiça no tempo presente. Com isso, Deus se mostrou justo, condenando o pecado, e justificador, declarando justo o pecador que crê em Jesus.
27 तखन घमण्‍ड करऽ वला बात कतऽ रहल? ओकर तँ कोनो स्‍थाने नहि अछि। कोन कारणेँ? की एहि कारणेँ जे धर्म-नियम केँ पालन नहि कऽ सकलहुँ? नहि, बल्‍कि एहि कारणेँ जे सभ बात आब विश्‍वासे पर निर्भर अछि।
27 Podemos então nos vangloriar de ter feito algo para sermos aceitos por Deus? Não, pois nossa absolvição não vem pela obediência à lei, mas pela fé.
28 तेँ हम सभ ई कहैत छी जे मनुष्‍य धर्म-नियमक पालन कयला सँ नहि, बल्‍कि विश्‍वासक कारणेँ धार्मिक ठहरैत अछि।
28 Portanto, somos declarados justos por meio da fé, e não pela obediência à lei.
29 की परमेश्‍वर मात्र यहूदी सभक परमेश्‍वर छथि? की ओ आन जाति सभक परमेश्‍वर नहि छथि? हँ, ओ आन जाति सभक परमेश्‍वर सेहो छथि।
29 Afinal, Deus é Deus apenas dos judeus? Não é também Deus dos gentios? Claro que sim!
30 किएक तँ परमेश्‍वर एके छथि। ओ यहूदी सभ केँ ओकरा सभक विश्‍वासक आधार पर, आ अन्‍य जातिक लोक सभ केँ ओकरा सभक विश्‍वासक आधार पर धार्मिक ठहरौताह।
30 Existe um só Deus, e ele declara justos tanto judeus como gentios somente pela fé.
31 तखन की, हम सभ विश्‍वास पर जोर दऽ कऽ धर्म-नियम केँ आब बेकार ठहरबैत छी? किन्‍नहुँ नहि! बल्‍कि धर्म-नियम केँ समर्थन करैत छी।
31 Então, se enfatizamos a fé, quer dizer que podemos abolir a lei? Claro que não! Na realidade, é só quando temos fé que cumprimos verdadeiramente a lei.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Romanos 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.