Romanos 15

jivən səndesh (MAI) vs NTLH

Sair da comparação
NTLH Nova Tradução na Linguagem de Hoje 2000
1 अपना सभ, जे सभ विश्‍वास मे मजगूत छी, अपना सभ केँ चाही जे, विश्‍वास मे कमजोर भाय सभक कमजोरी सभ मे धैर्य राखि कऽ मदति करी, नहि कि मात्र अपन खुशीक ध्‍यान राखी।
1 Nós que somos fortes na fé devemos ajudar os fracos a carregarem as suas cargas e não devemos agradar a nós mesmos.
2 अपना सभ मे सँ प्रत्‍येक गोटे केँ अपना भायक कल्‍याणक लेल आ हुनका विश्‍वास मे मजगूत बनयबाक लेल हुनकर खुशीक ध्‍यान रखबाक चाही।
2 Pelo contrário, cada um de nós deve agradar o seu irmão, para o bem dele, a fim de que ele cresça na fé.
3 किएक तँ मसीह सेहो अपन खुशीक ध्‍यान नहि रखलनि। जेना धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे, “हे परमेश्‍वर, अहाँक निन्‍दा करऽ वला सभक निन्‍दा हमरा पर पड़ल।”
3 Pois nem o próprio Cristo procurou agradar a si mesmo; pelo contrário, como dizem as Escrituras Sagradas : “As ofensas daqueles que te insultaram caíram sobre mim.”
4 धर्मशास्‍त्र मे जतेक बात पहिने सँ लिखल गेल अछि से सभ अपना सभक शिक्षाक लेल लिखल गेल अछि, जाहि सँ अपना सभ ओहि धर्मशास्‍त्रक द्वारा धैर्य आ प्रोत्‍साहन पाबि अपन आशा केँ मजगूत राखि सकी।
4 Porque tudo o que está nas Escrituras foi escrito para nos ensinar, a fim de que tenhamos esperança por meio da paciência e da coragem que as Escrituras nos dão.
5 धैर्य आ प्रोत्‍साहन देबऽ वला परमेश्‍वर अहाँ सभ केँ एहन वरदान देथि जे अहाँ सभ मसीह यीशुक शिक्षाक अनुसार आपस मे मेल-मिलापक भावना रखने रही,
5 Que Deus, que é quem dá paciência e coragem, ajude vocês a viverem bem uns com os outros, seguindo o exemplo de Cristo Jesus!
6 जाहि सँ अहाँ सभ एक मोनक भऽ एक स्‍वर सँ अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक परमेश्‍वर आ पिताक स्‍तुति करैत रहियनि।
6 E isso para que vocês, todos juntos, como se fossem uma só pessoa, louvem ao Deus e Pai do nosso Senhor Jesus Cristo.
7 जहिना मसीह अहाँ सभ केँ स्‍वीकार कयलनि, तहिना अहूँ सभ एक-दोसर केँ स्‍वीकार करू, जाहि सँ परमेश्‍वरक स्‍तुति होनि।
7 Portanto, aceitem uns aos outros para a glória de Deus, assim como Cristo aceitou vocês.
8 हम चाहैत छी जे अहाँ सभ मोन राखी जे मसीह यहूदी सभक सेवक एहि लेल बनलाह जाहि सँ ओ परमेश्‍वरक विश्‍वासयोग्‍यता केँ प्रमाणित करैत, यहूदी सभक पूर्वज सभ केँ जे वचन परमेश्‍वर देने छलाह, ताहि वचन सभ केँ पूरा करथि,
8 Pois eu lhes digo que Cristo se tornou servo dos judeus a fim de mostrar que Deus é fiel, para fazer com que se cumprissem as promessas feitas por Deus aos patriarcas
9 और जाहि सँ आन जातिक लोक सेहो परमेश्‍वरक कृपा पाबि कऽ हुनकर स्‍तुति करनि। जेना कि धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे,
9 e para fazer com que os não judeus louvassem a Deus pela sua bondade. Como dizem as Escrituras Sagradas : “Por isso eu te louvarei entre os que não são judeus e cantarei louvores a ti.”
10 धर्मशास्‍त्र आगाँ कहैत अछि,
10 Elas dizem também: “Vocês que não são judeus, alegrem-se com o povo escolhido de Deus!”
11 धर्मशास्‍त्र इहो कहैत अछि जे,
11 E dizem ainda: “Todos os que não são judeus, louvem o Senhor! Que todos os povos o louvem!”
12 परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यशायाह कहैत छथि जे,
12 E também Isaías diz: “Virá um descendente do rei Davi, filho de Jessé; ele aparecerá para governar os que não são judeus, e eles terão esperança nele.”
13 परमेश्‍वर, जे आशाक स्रोत छथि, अहाँ सभ केँ परमेश्‍वर परक भरोसाक कारणेँ अत्‍यन्‍त आनन्‍द आ शान्‍ति सँ भरि देथि, जाहि सँ पवित्र आत्‍माक सामर्थ्‍य सँ अहाँ सभक मोन आशा सँ भरल रहय।
13 Que Deus, que nos dá essa esperança, encha vocês de alegria e de paz, por meio da fé que vocês têm nele, a fim de que a esperança de vocês aumente pelo poder do Espírito Santo!
14 यौ हमर भाइ लोकनि, हमरा दृढ़ विश्‍वास अछि जे अहाँ सभ सदभाव आ हर प्रकारक ज्ञान सँ परिपूर्ण भऽ एक-दोसर केँ परामर्श देबऽ मे समर्थ छी।
14 Meus irmãos, estou certo de que vocês estão cheios de bondade, sabem tudo o que é preciso saber e são capazes de dar conselhos uns aos outros.
15 तैयो किछु बात सभक स्‍मरण करयबाक लेल हम अहाँ सभ केँ ओहि बात सभक विषय मे साफ-साफ लिखलहुँ। कारण, परमेश्‍वरक कृपा सँ हमरा एहि बातक वरदान भेटल अछि जे,
15 Porém nesta carta me atrevi a escrever com toda a franqueza para fazer com que vocês lembrem de coisas que já sabem. Eu escrevi assim por causa do privilégio que Deus me deu
16 हम गैर-यहूदी सभक बीच मसीह यीशुक सेवक बनी आ परमेश्‍वरक शुभ समाचार सुनयबाक सेवा करी, जाहि सँ गैर-यहूदी सभ परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा द्वारा पवित्र कयल जाय आ परमेश्‍वर केँ ग्रहणयोग्‍य चढ़ौना बनय।
16 de ser servo de Cristo Jesus para trabalhar em favor dos que não são judeus. Eu sirvo como sacerdote ao anunciar o evangelho que vem de Deus. E faço isso para que os não judeus sejam uma oferta que Deus aceite, dedicada a ele pelo Espírito Santo.
17 एहि लेल हम परमेश्‍वरक जे सेवा कऽ रहल छी ताहि पर मसीह यीशु द्वारा हमरा गर्व अछि।
17 Portanto, por estar unido com Cristo Jesus, posso me orgulhar do serviço que faço para Deus.
18 हम आन बातक विषय मे नहि बाजब—हम खाली ओही बात सभक चर्चा करबाक साहस करब जे मसीह गैर-यहूदी सभ केँ परमेश्‍वरक बात माननिहार बनयबाक लेल हमरा द्वारा की सभ कयने छथि, अर्थात्, हमर शब्‍द आ काजक माध्‍यम सँ,
18 Eu me atreverei a falar somente do que Cristo tem feito por meio de mim a fim de levar os não judeus a obedecerem a Deus. E isso tem sido feito por meio de palavras e de ações,
19 चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह सभक सामर्थ्‍य द्वारा आ पवित्र आत्‍माक सामर्थ्‍य द्वारा। एहि क्रम मे हम यरूशलेम आ ओकर लग-पासक प्रदेश सँ लऽ कऽ इल्‍लुरिकुम धरि मसीहक शुभ समाचार-प्रचार करबाक अपन काज पूरा कयलहुँ।
19 pelo poder de sinais e milagres e pelo poder do Espírito de Deus. Assim, viajando desde Jerusalém até a província da Ilíria, tenho anunciado de modo completo o evangelho a respeito de Cristo.
20 हमर मोनक आकांक्षा यैह रहल जे जतऽ मसीहक नाम नहि पहुँचल अछि ततऽ शुभ समाचार सुनाबी, जाहि सँ अनका न्‍यो पर हम घर नहि बनाबी।
20 Para não construir sobre alicerces colocados por outros, tenho me esforçado sempre para anunciar o evangelho nos lugares onde ainda não se falou de Cristo.
21 बल्‍कि, जेना धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि,
21 Como dizem as Escrituras Sagradas : “Aqueles que nunca ouviram falar a respeito dele o verão, e os que não tinham ouvido falar sobre ele o entenderão.”
22 एहि काज मे लागल रहबाक कारणेँ हमरा एखन तक अहाँ सभक ओतऽ पहुँचबाक कार्यक्रम मे बेर-बेर बाधा पड़ल।
22 Por essa razão muitas vezes eu quis visitá-los, mas isso não me foi possível.
23 मुदा आब एहि प्रान्‍त सभ मे हमर कोनो कार्यक्षेत्र बाँकी नहि रहल, आ हम कतेक वर्ष सँ अहाँ सभ सँ भेँट करबाक इच्‍छा रखने छी।
23 Porém, já que terminei o meu trabalho nessas regiões e como há muitos anos tenho pensado em ver vocês,
24 तेँ हमर आशा अछि जे स्‍पेन जाइत समय मे अहाँ सभक ओतऽ होइत जायब। हमरा आशा अछि जे हम ओहि यात्रा मे अहाँ सभ सँ भेँट कऽ सकब आ किछु समय धरि अहाँ सभक संगतिक आनन्‍द उठौलाक बाद अहाँ सभक सहायता सँ स्‍पेनक यात्रा मे आगाँ बढ़ि सकब।
24 espero fazer isso agora. Gostaria de vê-los quando fizer a minha viagem para a Espanha. Gostaria também que vocês me ajudassem a ir até lá, depois de eu ter o prazer de estar com vocês por algum tempo.
25 मुदा एखन परमेश्‍वरक लोक केँ किछु सहायता पहुँचयबाक लेल हम यरूशलेम जा रहल छी।
25 Mas agora vou a Jerusalém a serviço do povo de Deus que vive ali.
26 कारण, मकिदुनिया आ अखाया प्रदेशक मण्‍डलीक लोक सभ यरूशलेमक मण्‍डलीक गरीब लोकक लेल किछु आर्थिक सहायता पठयबाक निश्‍चय कयने छथि।
26 Pois as igrejas das províncias da Macedônia e da Acaia resolveram dar uma oferta para ajudar as pessoas do povo de Deus em Jerusalém que estão necessitadas.
27 ई सभ ई काज खुशी सँ कयलनि, आ वास्‍तव मे ई सभ हुनका सभक ऋणी सेहो छथि, कारण, जखन गैर-यहूदी सभ आत्‍मिक सम्‍पत्ति मे हुनका सभक हिस्‍सेदार भेलनि तखन ई उचिते अछि जे इहो सभ अपन आर्थिक सम्‍पत्ति द्वारा हुनका सभक सहायता करनि।
27 Os próprios cristãos da Macedônia e da Acaia resolveram fazer isso; mas, de fato, eles têm a obrigação de ajudar aqueles necessitados. Os judeus repartiram os seus bens espirituais com os que não são judeus, e por isso os não judeus devem prestar, com os seus bens materiais, esse serviço cristão aos judeus.
28 तेँ ई काज समाप्‍त भेला पर, अर्थात् ई दान सुरक्षित तरीका सँ यरूशलेमक मण्‍डलीक लोक सभक जिम्‍मा मे देलाक बाद, हम अहाँ सभक ओतऽ होइत स्‍पेन जायब।
28 Depois que eu terminar esse trabalho e que entregar toda a oferta que foi recolhida para eles, viajarei para a Espanha e no caminho visitarei vocês.
29 हमरा विश्‍वास अछि जे जखन हम अहाँ सभक ओतऽ आयब तँ मसीहक आशिषक परिपूर्णताक संग आयब।
29 E sei que, quando for visitá-los, levarei comigo muitas bênçãos de Cristo.
30 आब यौ भाइ लोकनि, अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक नाम सँ आ पवित्र आत्‍माक प्रेमक आधार पर हम अहाँ सभ सँ विनती करैत छी जे हमरा लेल परमेश्‍वर सँ प्रार्थना कऽ कऽ हमरा संघर्ष मे अहाँ सभ संग दिअ।
30 Eu peço, irmãos, pelo nosso Senhor Jesus Cristo e pelo amor que o Espírito dá, que me ajudem, orando com fervor por mim.
31 परमेश्‍वर सँ ई प्रार्थना करू जे हम यहूदिया प्रदेशक अविश्‍वासी सभ सँ बाँचि सकी, और जे सहायता पहुँचयबाक लेल हम यरूशलेम जा रहल छी तकरा ओहिठामक परमेश्‍वरक लोक सभ खुशी सँ स्‍वीकार करथि।
31 Orem para que eu escape das pessoas da Judeia que não creem em Cristo e também para que a ajuda que eu vou levar a Jerusalém seja bem-aceita pelo povo de Deus que vive ali.
32 एहि तरहेँ परमेश्‍वरक इच्‍छा जँ होयतनि तँ हम आनन्‍दपूर्बक अहाँ सभक ओतऽ आयब, आ अहाँ सभक संगति मे आराम करब।
32 E assim, se Deus quiser, chegarei aí em Roma cheio de alegria e lhes farei uma visita que me dará um novo ânimo.
33 शान्‍तिदाता परमेश्‍वर अहाँ सभ गोटेक संग रहथि। आमीन।
33 E que Deus, a nossa fonte de paz, esteja com todos vocês! Amém !

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Romanos 15, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.