Mateus 3
jivən səndesh (MAI) vs VC
1 ओहि समय मे बपतिस्मा देनिहार यूहन्ना यहूदिया प्रदेशक निर्जन क्षेत्र मे आबि प्रचार करऽ लगलाह जे,
1 Naqueles dias, apareceu João Batista, pregando no deserto da Judéia.
2 “अपना पापक लेल पश्चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू, कारण, स्वर्गक राज्य लग आबि गेल अछि।”
2 Dizia ele: Fazei penitência porque está próximo o Reino dos céus.
3 यूहन्ना वैह व्यक्ति छथि जिनका सम्बन्ध मे परमेश्वरक प्रवक्ता यशायाह कहने छलाह,
3 Este é aquele de quem falou o profeta Isaías, quando disse: Uma voz clama no deserto: Preparai o caminho do Senhor, endireitai as suas veredas {Is 40,3}.
4 यूहन्ना ऊँटक रोंइयाँ सँ बनल वस्त्र पहिरैत छलाह। ओ डाँड़ मे चमड़ाक पट्टी बन्हने रहैत छलाह। फनिगा आ वन वला मधु हुनकर भोजन छलनि।
4 João usava uma vestimenta de pêlos de camelo e um cinto de couro em volta dos rins. Alimentava-se de gafanhotos e mel silvestre.
5 यरूशलेम, सम्पूर्ण यहूदिया प्रदेश, आ यरदन नदीक लग-पास मे पड़ऽ वला सम्पूर्ण क्षेत्रक लोक सभ हुनका लग आयल,
5 Pessoas de Jerusalém, de toda a Judéia e de toda a circunvizinhança do Jordão vinham a ele.
6 और अपन पाप स्वीकार करैत यरदन नदी मे हुनका सँ बपतिस्मा लेलक।
6 Confessavam seus pecados e eram batizados por ele nas águas do Jordão.
7 मुदा जखन यूहन्ना बहुतो फरिसी आ सदुकी पंथक लोक सभ केँ बपतिस्मा लेबाक लेल अपना लग अबैत देखलनि तँ ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “हे साँपक सन्तान सभ, तोरा सभ केँ परमेश्वरक आबऽ वला क्रोध सँ बचबाक लेल के सिखौलकह?
7 Ao ver, porém, que muitos dos fariseus e dos saduceus vinham ao seu batismo, disse-lhes: Raça de víboras, quem vos ensinou a fugir da cólera vindoura?
8 तोँ सभ जँ अपना पापक लेल पश्चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन कयने छह, तँ तकर प्रमाण अपना व्यवहार द्वारा देखाबह।
8 Dai, pois, frutos de verdadeira penitência.
9 और अपना मोन मे एना सोचि निश्चिन्त नहि रहह जे, हमर सभक कुल-पिता अब्राहम छथि, कारण, हम तोरा सभ केँ कहि दैत छिअह जे, परमेश्वर एहि पाथर सभ मे सँ अब्राहमक लेल सन्तान उत्पन्न कऽ सकैत छथि।
9 Não digais dentro de vós: Nós temos a Abraão por pai! Pois eu vos digo: Deus é poderoso para suscitar destas pedras filhos a Abraão.
10 गाछक जड़ि पर कुड़हरि रखा गेल अछि। प्रत्येक गाछ जे नीक फल नहि दैत अछि से काटल आ आगि मे फेकल जायत।
10 O machado já está posto à raiz das árvores: toda árvore que não produzir bons frutos será cortada e lançada ao fogo.
11 “तोँ सभ अपना पापक लेल पश्चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन कयने छह, तकर चिन्ह स्वरूप हम तोरा सभ केँ पानि सँ बपतिस्मा दैत छिअह, मुदा हमरा बाद मे एक गोटे आबि रहल छथि जे हमरा सँ शक्तिशाली छथि। हम हुनकर जुत्तो उठाबऽ जोगरक नहि छियनि। ओ तोरा सभ केँ पवित्र आत्मा और आगि सँ बपतिस्मा देथुन।
11 Eu vos batizo com água, em sinal de penitência, mas aquele que virá depois de mim é mais poderoso do que eu e nem sou digno de carregar seus calçados. Ele vos batizará no Espírito Santo e em fogo.
12 हुनका हाथ मे सूप छनि। ओ अपन खरिहानक अन्न साफ करताह और गहुम केँ बखारी मे जमा करताह, मुदा भुस्सा केँ ओ ओहि आगि मे जरौताह जे कहियो नहि मिझायत।”
12 Tem na mão a pá, limpará sua eira e recolherá o trigo ao celeiro. As palhas, porém, queimá-las-á num fogo inextinguível.
13 तखन यीशु यूहन्ना सँ बपतिस्मा लेबाक लेल गलील सँ यरदन नदी लग अयलाह।
13 Da Galiléia foi Jesus ao Jordão ter com João, a fim de ser batizado por ele.
14 मुदा यूहन्ना ई कहि कऽ हुनका रोकलथिन जे, “हमरा अहीं सँ बपतिस्मा लेबाक आवश्यकता अछि, और की, अहाँ हमरा सँ लेबाक लेल आयल छी?”
14 João recusava-se: Eu devo ser batizado por ti e tu vens a mim!
15 यीशु उत्तर देलथिन, “एखन एहिना होमऽ दिअ, कारण, अपना सभक लेल यैह उचित अछि जे एही तरहेँ धार्मिकताक सभ माँग केँ पूरा करी।” तखन यूहन्ना हुनकर बात मानि लेलथिन।
15 Mas Jesus lhe respondeu: Deixa por agora, pois convém cumpramos a justiça completa. Então João cedeu.
16 बपतिस्मा लेलाक बाद यीशु तुरत पानि सँ बाहर अयलाह। ओही क्षण मे आकाश खुजल और ओ परमेश्वरक आत्मा केँ परबाक रूप मे अपना पर उतरैत देखलनि।
16 Depois que Jesus foi batizado, saiu logo da água. Eis que os céus se abriram e viu descer sobre ele, em forma de pomba, o Espírito de Deus.
17 तखने स्वर्ग सँ ई आवाज सुनाइ पड़ल, “ई हमर प्रिय पुत्र छथि, हिनका सँ हम बहुत प्रसन्न छी।”
17 E do céu baixou uma voz: Eis meu Filho muito amado em quem ponho minha afeição.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.