Mateus 3

jivən səndesh (MAI) vs NTLH

Sair da comparação
NTLH Nova Tradução na Linguagem de Hoje 2000
1 ओहि समय मे बपतिस्‍मा देनिहार यूहन्‍ना यहूदिया प्रदेशक निर्जन क्षेत्र मे आबि प्रचार करऽ लगलाह जे,
1 Naquele tempo João Batista foi para o deserto da Judeia e começou a pregar,
2 “अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू, कारण, स्‍वर्गक राज्‍य लग आबि गेल अछि।”
2 dizendo: — Arrependam-se dos seus pecados porque o
3 यूहन्‍ना वैह व्‍यक्‍ति छथि जिनका सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यशायाह कहने छलाह,
3 A respeito de João, o profeta Isaías tinha escrito o seguinte: “Alguém está gritando no deserto: Preparem o caminho para o Senhor passar! Abram estradas retas para ele!”
4 यूहन्‍ना ऊँटक रोंइयाँ सँ बनल वस्‍त्र पहिरैत छलाह। ओ डाँड़ मे चमड़ाक पट्टी बन्‍हने रहैत छलाह। फनिगा आ वन वला मधु हुनकर भोजन छलनि।
4 João usava uma roupa feita de pelos de camelo e um cinto de couro e comia gafanhotos e mel do mato.
5 यरूशलेम, सम्‍पूर्ण यहूदिया प्रदेश, आ यरदन नदीक लग-पास मे पड़ऽ वला सम्‍पूर्ण क्षेत्रक लोक सभ हुनका लग आयल,
5 Os moradores de Jerusalém, da região da Judeia e de todos os lugares em volta do rio Jordão iam ouvi-lo.
6 और अपन पाप स्‍वीकार करैत यरदन नदी मे हुनका सँ बपतिस्‍मा लेलक।
6 Eles confessavam os seus pecados, e João os batizava no rio Jordão.
7 मुदा जखन यूहन्‍ना बहुतो फरिसी आ सदुकी पंथक लोक सभ केँ बपतिस्‍मा लेबाक लेल अपना लग अबैत देखलनि तँ ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “हे साँपक सन्‍तान सभ, तोरा सभ केँ परमेश्‍वरक आबऽ वला क्रोध सँ बचबाक लेल के सिखौलकह?
7 Quando João viu que muitos fariseus e saduceus vinham para serem batizados por ele, disse: — Ninhada de cobras venenosas! Quem disse que vocês escaparão do terrível castigo que Deus vai mandar?
8 तोँ सभ जँ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन कयने छह, तँ तकर प्रमाण अपना व्‍यवहार द्वारा देखाबह।
8 Façam coisas que mostrem que vocês se arrependeram dos seus pecados.
9 और अपना मोन मे एना सोचि निश्‍चिन्‍त नहि रहह जे, हमर सभक कुल-पिता अब्राहम छथि, कारण, हम तोरा सभ केँ कहि दैत छिअह जे, परमेश्‍वर एहि पाथर सभ मे सँ अब्राहमक लेल सन्‍तान उत्‍पन्‍न कऽ सकैत छथि।
9 E não digam uns aos outros: “Abraão é nosso antepassado.” Pois eu afirmo a vocês que até destas pedras Deus pode fazer descendentes de Abraão!
10 गाछक जड़ि पर कुड़हरि रखा गेल अछि। प्रत्‍येक गाछ जे नीक फल नहि दैत अछि से काटल आ आगि मे फेकल जायत।
10 O machado já está pronto para cortar as árvores pela raiz. Toda árvore que não dá frutas boas será cortada e jogada no fogo.
11 “तोँ सभ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन कयने छह, तकर चिन्‍ह स्‍वरूप हम तोरा सभ केँ पानि सँ बपतिस्‍मा दैत छिअह, मुदा हमरा बाद मे एक गोटे आबि रहल छथि जे हमरा सँ शक्‍तिशाली छथि। हम हुनकर जुत्तो उठाबऽ जोगरक नहि छियनि। ओ तोरा सभ केँ पवित्र आत्‍मा और आगि सँ बपतिस्‍मा देथुन।
11 Eu os batizo com água para mostrar que vocês se arrependeram dos seus pecados, mas aquele que virá depois de mim os batizará com o Espírito Santo e fogo. Ele é mais importante do que eu, e não mereço a honra de carregar as sandálias dele.
12 हुनका हाथ मे सूप छनि। ओ अपन खरिहानक अन्‍न साफ करताह और गहुम केँ बखारी मे जमा करताह, मुदा भुस्‍सा केँ ओ ओहि आगि मे जरौताह जे कहियो नहि मिझायत।”
12 Com a pá que tem na mão ele vai separar o trigo da palha. Guardará o trigo no seu depósito, mas queimará a palha no fogo que nunca se apaga.
13 तखन यीशु यूहन्‍ना सँ बपतिस्‍मा लेबाक लेल गलील सँ यरदन नदी लग अयलाह।
13 Naqueles dias, Jesus foi da Galileia até o rio Jordão a fim de ser batizado por João Batista.
14 मुदा यूहन्‍ना ई कहि कऽ हुनका रोकलथिन जे, “हमरा अहीं सँ बपतिस्‍मा लेबाक आवश्‍यकता अछि, और की, अहाँ हमरा सँ लेबाक लेल आयल छी?”
14 Mas João tentou convencê-lo a mudar de ideia, dizendo assim: — Eu é que preciso ser batizado por você, e você está querendo que eu o batize?
15 यीशु उत्तर देलथिन, “एखन एहिना होमऽ दिअ, कारण, अपना सभक लेल यैह उचित अछि जे एही तरहेँ धार्मिकताक सभ माँग केँ पूरा करी।” तखन यूहन्‍ना हुनकर बात मानि लेलथिन।
15 Mas Jesus respondeu: E João concordou.
16 बपतिस्‍मा लेलाक बाद यीशु तुरत पानि सँ बाहर अयलाह। ओही क्षण मे आकाश खुजल और ओ परमेश्‍वरक आत्‍मा केँ परबाक रूप मे अपना पर उतरैत देखलनि।
16 Logo que foi batizado, Jesus saiu da água. O céu se abriu, e Jesus viu o Espírito de Deus descer como uma pomba e pousar sobre ele.
17 तखने स्‍वर्ग सँ ई आवाज सुनाइ पड़ल, “ई हमर प्रिय पुत्र छथि, हिनका सँ हम बहुत प्रसन्‍न छी।”
17 E do céu veio uma voz, que disse: — Este é o meu Filho querido, que me dá muita alegria!

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.