Mateus 27

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 प्रात भेने भोरे-भोर सभ मुख्‍यपुरोहित आ समाजक बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ आपस मे विचार-विमर्श कऽ एहि बातक निश्‍चय कयलनि जे यीशु केँ मारि देल जाय।
1 Chegando a manhã, todos os príncipes dos sacerdotes e os anciãos do povo reuniram-se em conselho para entregar Jesus à morte.
2 ओ सभ यीशु केँ बान्‍हि कऽ लऽ गेलाह आ राज्‍यपाल पिलातुसक जिम्‍मा मे लगा देलथिन।
2 Ligaram-no e o levaram ao governador Pilatos.
3 यहूदा इस्‍करियोती जे यीशु केँ पकड़बौने छल, से जखन देखलक जे यीशु केँ मृत्‍युदण्‍डक आज्ञा देल गेलनि, तखन ओ बहुत पछतायल। ओ मुख्‍यपुरोहित आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित सभ लग चानीक तीस सिक्‍का लऽ कऽ गेल आ हुनका सभ केँ कहलकनि,
3 Judas, o traidor, vendo-o então condenado, tomado de remorsos, foi devolver aos príncipes dos sacerdotes e aos anciãos as trinta moedas de prata,
4 “हम निर्दोष व्‍यक्‍ति केँ मृत्‍युदण्‍डक लेल पकड़बा कऽ पाप कयलहुँ अछि।”
4 dizendo-lhes: Pequei, entregando o sangue de um justo. Responderam-lhe: Que nos importa? Isto é lá contigo!
5 एहि पर ओ चानीक सिक्‍का सभ मन्‍दिर मे फेकि कऽ चल गेल आ अपना केँ फँसरी लगा लेलक।
5 Ele jogou então no templo as moedas de prata, saiu e foi enforcar-se.
6 मुख्‍यपुरोहित सभ ओ चानीक सिक्‍का उठा कऽ बजलाह, “एकरा मन्‍दिरक खजाना मे राखब उचित नहि होयत, किएक तँ ई खूनक मूल्‍य अछि।”
6 Os príncipes dos sacerdotes tomaram o dinheiro e disseram: Não é permitido lançá-lo no tesouro sagrado, porque se trata de preço de sangue.
7 ओ सभ आपस मे एहि बातक विचार-विमर्श कऽ परदेशी लोक सभक लास केँ गाड़बाक लेल ओहि पाइ सँ कुम्‍हारक एकटा खेत किनि लेलनि।
7 Depois de haverem deliberado, compraram com aquela soma o campo do Oleiro, para que ali se fizesse um cemitério de estrangeiros.
8 एहि कारण सँ आइओ धरि ओ खेत “खूनक खेत” कहबैत अछि।
8 Esta é a razão por que aquele terreno é chamado, ainda hoje, Campo de Sangue.
9 एहि तरहेँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यर्मियाहक ई वचन पूर्ण भेल जे,
9 Assim se cumpriu a profecia do profeta Jeremias: Eles receberam trinta moedas de prata, preço daquele cujo valor foi estimado pelos filhos de Israel;
10 जेना प्रभु सँ हमरा आज्ञा भेटल छल, तेना ओहि पाइ सँ कुम्‍हारक खेत किनल गेल।”
10 e deram-no pelo campo do Oleiro, como o Senhor me havia prescrito.
11 एम्‍हर यीशु राज्‍यपाल पिलातुसक सम्‍मुख ठाढ़ छलाह। राज्‍यपाल हुनका सँ पुछलथिन, “की अहाँ यहूदी सभक राजा छी?” यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “अहाँ अपने कहि रहल छी।”
11 Jesus compareceu diante do governador, que o interrogou: És o rei dos judeus? Sim, respondeu-lhe Jesus.
12 मुदा मुख्‍यपुरोहित आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ जे कोनो दोष यीशु पर लगौलथिन तकर ओ कोनो उत्तर नहि देलथिन।
12 Ele, porém, nada respondia às acusações dos príncipes dos sacerdotes e dos anciãos.
13 एहि पर पिलातुस कहलथिन, “की अहाँ नहि सुनि रहल छी जे ई सभ अहाँ पर कतेक आरोप लगा रहल छथि?”
13 Perguntou-lhe Pilatos: Não ouves todos os testemunhos que levantam contra ti?
14 मुदा यीशु एको बातक कोनो उत्तर नहि देलथिन। ई बात देखि राज्‍यपाल केँ बहुत आश्‍चर्य लगलनि।
14 Mas, para grande admiração do governador, não quis responder a nenhuma acusação.
15 प्रत्‍येक साल फसह-पाबनिक अवसर पर राज्‍यपाल जनताक इच्‍छाक अनुसार एक कैदी केँ छोड़ि दैत छलाह।
15 Era costume que o governador soltasse um preso a pedido do povo em cada festa de Páscoa.
16 ओहि समय मे बरब्‍बा नामक एक नामी अपराधी जहल मे बन्‍द छल।
16 Ora, havia naquela ocasião um prisioneiro famoso, chamado Barrabás.
17 भीड़ केँ जमा भेला पर राज्‍यपाल पिलातुस ओकरा सभ केँ पुछलथिन, “अहाँ सभ की चाहैत छी? अहाँ सभक लेल हम ककरा छोड़ि दिअ? बरब्‍बा केँ वा यीशु केँ, जे मसीह कहबैत अछि?”
17 Pilatos dirigiu-se ao povo reunido: Qual quereis que eu vos solte: Barrabás ou Jesus, que se chama Cristo?
18 पिलातुस ई बात जानि गेल छलाह जे धर्मगुरु सभ यीशु केँ ईर्ष्‍याक कारणेँ पकड़बौने छथि।
18 {Ele sabia que tinham entregue Jesus por inveja.}
19 पिलातुस न्‍यायासन पर बैसले छलाह कि हुनकर स्‍त्री कहा पठौलथिन जे, “ओहि निर्दोष मनुष्‍य केँ किछु नहि करिऔक! किएक तँ हम आइ राति सपना मे हुनका कारणेँ बहुत दुःख सहलहुँ अछि।”
19 Enquanto estava sentado no tribunal, sua mulher lhe mandou dizer: Nada faças a esse justo. Fui hoje atormentada por um sonho que lhe diz respeito.
20 मुदा मुख्‍यपुरोहित सभ आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ जमा भेल लोक सभ केँ सिखा देने छलाह जे, “तोँ सभ बरब्‍बा केँ छोड़ि देबाक लेल आ यीशुक मृत्‍युदण्‍डक माँग करिहह।”
20 Mas os príncipes dos sacerdotes e os anciãos persuadiram o povo que pedisse a libertação de Barrabás e fizesse morrer Jesus.
21 राज्‍यपाल ओकरा सभ केँ पुछलथिन, “अहाँ सभ की चाहैत छी? एहि दूनू मे सँ अहाँ सभक लेल हम ककरा छोड़ि दिअ?” ओ सभ बाजल, “बरब्‍बा केँ।”
21 O governador tomou então a palavra: Qual dos dois quereis que eu vos solte? Responderam: Barrabás!
22 पिलातुस कहलथिन, “तखन फेर एहि यीशु केँ, जे मसीह कहबैत अछि तकरा हम की करू?” सभ कहऽ लागल, “ओकरा क्रूस पर चढ़ाउ!”
22 Pilatos perguntou: Que farei então de Jesus, que é chamado o Cristo? Todos responderam: Seja crucificado!
23 ओ पुछलथिन, “किएक? ई कोन अपराध कयने अछि?” एहि पर लोकक भीड़ आरो जोर-जोर सँ चिचियाय लागल, “ओकरा क्रूस पर चढ़ाउ!”
23 O governador tornou a perguntar: Mas que mal fez ele? E gritavam ainda mais forte: Seja crucificado!
24 जखन पिलातुस देखलनि जे यीशु केँ बचयबाक हुनकर प्रयत्‍न सफल नहि भऽ रहल अछि, बल्‍कि एहि सँ उपद्रव बढ़ि रहल अछि, तखन ओ हाथ मे पानि लऽ कऽ लोक सभक सामने अपन हाथ धोइत कहलथिन, “एहि मनुष्‍यक खूनक दोषी हम नहि छी। अहीं सभ एहि बात केँ जानू!”
24 Pilatos viu que nada adiantava, mas que, ao contrário, o tumulto crescia. Fez com que lhe trouxessem água, lavou as mãos diante do povo e disse: Sou inocente do sangue deste homem. Isto é lá convosco!
25 भीड़क लोक हुनका उत्तर देलकनि, “एकर खूनक दोष हमरा सभ पर आ हमर सभक सन्‍तान सभ पर होअय!”
25 E todo o povo respondeu: Caia sobre nós o seu sangue e sobre nossos filhos!
26 तकरबाद पिलातुस ओकरा सभक इच्‍छाक अनुसार बरब्‍बा केँ छोड़ि देलथिन आ यीशु केँ कोड़ा सँ पिटबा कऽ क्रूस पर चढ़यबाक लेल सैनिक सभक जिम्‍मा लगा देलथिन।
26 — ausente —
27 राज्‍यपालक सैनिक सभ यीशु केँ राजभवन मे लऽ गेलनि आ अपन पूरा सैनिक-दल केँ हुनका चारू कात जमा कऽ लेलक।
27 Os soldados do governador conduziram Jesus para o pretório e rodearam-no com todo o pelotão.
28 ओ सभ यीशु जे वस्‍त्र पहिरने छलाह तकरा निकलबा कऽ लाल रंगक राजसी वस्‍त्र पहिरा देलकनि।
28 Arrancaram-lhe as vestes e colocaram-lhe um manto escarlate.
29 काँटक मुकुट बना हुनका मूड़ी पर रखलकनि आ हुनका दहिना हाथ मे एक छड़ी पकड़ा देलकनि। तकरबाद हुनका सामने ठेहुनिया दऽ कऽ हुनकर मजाक उड़बैत कहऽ लगलनि, “यहूदी सभक राजा, प्रणाम!”
29 Depois, trançaram uma coroa de espinhos, meteram-lha na cabeça e puseram-lhe na mão uma vara. Dobrando os joelhos diante dele, diziam com escárnio: Salve, rei dos judeus!
30 ओ सभ हुनका पर थूक फेकलकनि आ हुनका हाथ सँ छड़ी लऽ कऽ बेर-बेर मूड़ी पर मारलकनि।
30 Cuspiam-lhe no rosto e, tomando da vara, davam-lhe golpes na cabeça.
31 ओ सभ एहि तरहेँ यीशुक मजाक उड़ौलाक बाद हुनका देह पर सँ लाल रंग वला वस्‍त्र निकालि लेलकनि आ हुनकर अपन कपड़ा फेर पहिरा देलकनि। तकरबाद ओ सभ हुनका क्रूस पर लटकयबाक लेल लऽ गेलनि।
31 Depois de escarnecerem dele, tiraram-lhe o manto e entregaram-lhe as vestes. Em seguida, levaram-no para o crucificar.
32 शहर सँ बाहर लऽ जाइत काल सैनिक सभ केँ सिमोन नामक एक आदमी जे कुरेन नगरक रहऽ वला छल, से भेटलैक। ओकरा सैनिक सभ जबरदस्‍ती पकड़ि कऽ यीशुक क्रूस उठा कऽ लऽ चलबाक लेल कहलकैक।
32 Saindo, encontraram um homem de Cirene, chamado Simão, a quem obrigaram a levar a cruz de Jesus.
33 यीशु केँ लऽ कऽ ओ सभ गुलगुता, अर्थात् “खप्‍पड़ वला स्‍थान” पर पहुँचल।
33 Chegaram ao lugar chamado Gólgota, isto é, lugar do crânio.
34 ओहिठाम ओ सभ यीशु केँ तीत दवाइ मिलाओल दारू पिबाक लेल देलकनि, मुदा ओ ओकरा चिखि कऽ नहि पिलनि।
34 Deram-lhe de beber vinho misturado com fel. Ele provou, mas se recusou a beber.
35 सैनिक सभ हुनका हाथ-पयर मे काँटी ठोकि कऽ क्रूस पर टाँगि देलकनि। हुनकर वस्‍त्र पर चिट्ठा खसा कऽ अपना मे बाँटि लेलक,
35 Depois de o haverem crucificado, dividiram suas vestes entre si, tirando a sorte. Cumpriu-se assim a profecia do profeta: Repartiram entre si minhas vestes e sobre meu manto lançaram a sorte {Sl 21,19}.
36 तखन ओतऽ बैसि कऽ पहरा देबऽ लागल।
36 Sentaram-se e montaram guarda.
37 ओ सभ एक दोष-पत्र हुनका मूड़ीक उपर क्रूस पर टाँगि देलक जाहि पर लिखल छलैक जे, “ई यीशु अछि, यहूदी सभक राजा”।
37 Por cima de sua cabeça penduraram um escrito trazendo o motivo de sua crucificação: Este é Jesus, o rei dos judeus.
38 यीशुक संगे दूटा डाकू सेहो क्रूस पर चढ़ाओल गेल, एकटा हुनकर दहिना कात और दोसर बामा कात।
38 Ao mesmo tempo foram crucificados com ele dois ladrões, um à sua direita e outro à sua esquerda.
39 ओहि बाटे आबऽ-जाय वला लोक सभ मूड़ी डोला-डोला कऽ हुनकर निन्‍दा कऽ रहल छल।
39 Os que passavam o injuriavam, sacudiam a cabeça e diziam:
40 ओ सभ कहैत छल, “रे मन्‍दिर केँ तोड़ऽ वला और तीन दिन मे ओकरा बनाबऽ वला! तोँ जँ परमेश्‍वरक पुत्र छेँ तँ अपना केँ बचा आ एहि क्रूस पर सँ उतरि आ।”
40 Tu, que destróis o templo e o reconstróis em três dias, salva-te a ti mesmo! Se és o Filho de Deus, desce da cruz!
41 तहिना मुख्‍यपुरोहित लोकनि, धर्मशिक्षक सभ आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ सेहो हुनकर मजाक उड़बैत कहलनि,
41 Os príncipes dos sacerdotes, os escribas e os anciãos também zombavam dele:
42 “ई आन लोक सभ केँ बचबैत रहल मुदा अपना केँ नहि बचा सकैत अछि। ई जँ इस्राएलक राजा अछि तँ एखन क्रूस पर सँ उतरि आबओ, तखन हमहूँ सभ एकरा पर विश्‍वास करबैक।
42 Ele salvou a outros e não pode salvar-se a si mesmo! Se é rei de Israel, desça agora da cruz e nós creremos nele!
43 ई आदमी परमेश्‍वर पर भरोसा रखैत छल। जँ एकरा सँ परमेश्‍वर प्रसन्‍न छथिन तँ एखन बचबथुन। ई तँ अपना केँ परमेश्‍वरक पुत्र कहैत छल।”
43 Confiou em Deus, Deus o livre agora, se o ama, porque ele disse: Eu sou o Filho de Deus!
44 एहि तरहेँ ओ डाकू सभ सेहो, जकरा यीशुक संग क्रूस पर चढ़ाओल गेल छलैक, यीशुक निन्‍दा कऽ रहल छल।
44 E os ladrões, crucificados com ele, também o ultrajavam.
45 ओहि दिन बारह बजे सँ तीन बजे तक सम्‍पूर्ण देश अन्‍हार-कुप्‍प भऽ गेल।
45 Desde a hora sexta até a nona, cobriu-se toda a terra de trevas.
46 करीब तीन बजे मे यीशु बहुत जोर सँ बजलाह जे, “एली, एली, लामा सबक्‍तनी”, जकर अर्थ ई अछि, “हे हमर परमेश्‍वर, हे हमर परमेश्‍वर, हमरा अहाँ किएक छोड़ि देलहुँ?”
46 Próximo da hora nona, Jesus exclamou em voz forte: Eli, Eli, lammá sabactáni? - o que quer dizer: Meu Deus, meu Deus, por que me abandonaste?
47 ई सुनि ओतऽ ठाढ़ लोक सभ मे सँ किछु लोक बाजल, “ई आदमी एलियाह केँ बजा रहल अछि।”
47 A estas palavras, alguns dos que lá estavam diziam: Ele chama por Elias.
48 ओकरा सभ मे सँ एक गोटे तुरत दौड़ि कऽ गेल आ रूइ जकाँ एकटा एहन चीज जे पानि सोखैत अछि से लऽ कऽ तिताह दारू मे डुबा लेलक, तखन ओकरा लाठीक हूर पर अटका कऽ हुनका पिबाक लेल देलकनि।
48 Imediatamente um deles tomou uma esponja, embebeu-a em vinagre e apresentou-lha na ponta de uma vara para que bebesse.
49 मुदा दोसर लोक सभ ओकरा कहलकैक, “थम्‍हह, पहिने देखी जे एलियाह एकरा बचयबाक लेल अबैत छथि कि नहि।”
49 Os outros diziam: Deixa! Vejamos se Elias virá socorrê-lo.
50 तकरबाद यीशु फेर जोर सँ आवाज दऽ कऽ अपन प्राण त्‍यागि देलनि।
50 Jesus de novo lançou um grande brado, e entregou a alma.
51 ओही क्षण मन्‍दिर मे जे परदा छलैक से ऊपर सँ नीचाँ तक चिरा कऽ दू भाग मे फाटि गेल। पृथ्‍वी डोलऽ लागल। चट्टान सभ फाटि गेल।
51 E eis que o véu do templo se rasgou em duas partes de alto a baixo, a terra tremeu, fenderam-se as rochas.
52 कबरक मुँह खुजि गेल आ परमेश्‍वरक बहुतो भक्‍त सभक लास फेर जिआओल गेल।
52 Os sepulcros se abriram e os corpos de muitos justos ressuscitaram.
53 ओ सभ कबर सँ बहरा कऽ यीशु केँ जीबि उठलाक बाद “पवित्र नगर” मे जा कऽ बहुतो लोक सभ केँ देखाइ देलनि।
53 Saindo de suas sepulturas, entraram na Cidade Santa depois da ressurreição de Jesus e apareceram a muitas pessoas.
54 रोमी कप्‍तान आ हुनका संग यीशु पर पहरा देबऽ वला सैनिक सभ, भूकम्‍‍प आ एहि घटना सभ केँ देखि बहुत डेरा गेल, और बाजि उठल, “सत्‍ये ई परमेश्‍वरक पुत्र छलाह!”
54 O centurião e seus homens que montavam guarda a Jesus, diante do estremecimento da terra e de tudo o que se passava, disseram entre si, possuídos de grande temor: Verdadeiramente, este homem era Filho de Deus!
55 बहुतो स्‍त्रीगण सभ सेहो ओतऽ छलीह, जे सभ दूरे सँ ई बात सभ देखि रहल छलीह। ओ सभ गलील प्रदेश सँ यीशुक संग हुनकर सेवा-टहल करैत आयल छलीह।
55 Havia ali também algumas mulheres que de longe olhavam; tinham seguido Jesus desde a Galiléia para o servir.
56 हुनका सभ मे मरियम मग्‍दलीनी, याकूब आ यूसुफक माय मरियम, और जबदीक स्‍त्री, अर्थात् याकूब आ यूहन्‍नाक माय, छलीह।
56 Entre elas se achavam Maria Madalena e Maria, mãe de Tiago e de José, e a mãe dos filhos de Zebedeu.
57 साँझ पड़ला पर अरिमतिया नगरक निवासी यूसुफ नामक एक धनिक व्‍यक्‍ति ओतऽ अयलाह। ओहो यीशुक शिष्‍य बनि गेल छलाह।
57 À tardinha, um homem rico de Arimatéia, chamado José, que era também discípulo de Jesus,
58 ओ राज्‍यपाल पिलातुसक ओतऽ जा कऽ यीशुक लास मँगलथिन। पिलातुस आदेश देलनि जे लास यूसुफ केँ दऽ देल जानि।
58 foi procurar Pilatos e pediu-lhe o corpo de Jesus. Pilatos cedeu-o.
59 यूसुफ हुनकर लास लऽ गेलाह आ साफ मलमलक कपड़ा मे ओकरा लपेटि कऽ
59 José tomou o corpo, envolveu-o num lençol branco
60 अपन नव कबर मे रखलनि जे ओ एक चट्टान मे कटबा कऽ बनबौने छलाह। लास केँ रखलाक बाद ओ कबरक मुँह पर एक भारी पाथर गुड़का कऽ लगा देलनि आ चल गेलाह।
60 e o depositou num sepulcro novo, que tinha mandado talhar para si na rocha. Depois rolou uma grande pedra à entrada do sepulcro e foi-se embora.
61 मरियम मग्‍दलीनी आ दोसर मरियम कबरक सामने बैसल छलीह।
61 Maria Madalena e a outra Maria ficaram lá, sentadas defronte do túmulo.
62 एहि घटनाक प्रात भेने, अर्थात् विश्राम-दिन मे, मुख्‍यपुरोहित लोकनि आ फरिसी सभ एक संग पिलातुसक ओतऽ जा कऽ हुनका कहलथिन,
62 No dia seguinte - isto é, o dia seguinte ao da Preparação -, os príncipes dos sacerdotes e os fariseus dirigiram-se todos juntos à casa de Pilatos.
63 “यौ सरकार! हमरा सभ केँ स्‍मरण अछि जे ओ ठग आदमी, जखन ओ जीबैत छल तखन कहने छल जे, ‘हम तीन दिनक बाद फेर जीबि उठब’।
63 E disseram-lhe: Senhor, nós nos lembramos de que aquele impostor disse, enquanto vivia: Depois de três dias ressuscitarei.
64 तेँ अपने आज्ञा देल जाओ जे तीन दिन धरि ओहि कबर पर पहरा राखल जाय। नहि तँ कतौ एना नहि होअय जे ओकर चेला सभ ओकर लास चोरा कऽ लऽ जाय आ लोक सभ केँ कहऽ लागय जे, ओ मुइल सभ मे सँ जीबि उठलाह। तखन एहि बेरक ई धोखा वला बात पहिलुको धोखा सँ खराब होयत।”
64 Ordena, pois, que seu sepulcro seja guardado até o terceiro dia. Os seus discípulos poderiam vir roubar o corpo e dizer ao povo: Ressuscitou dos mortos. E esta última impostura seria pior que a primeira.
65 पिलातुस हुनका सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ सैनिक सभ लऽ जाउ आ जेहन सुरक्षा अहाँ सभ कबरक करऽ चाहैत होइ तेहन करू।”
65 Respondeu Pilatos: Tendes uma guarda. Ide e guardai-o como o entendeis.
66 तखन ओ सभ गेलाह आ कबरक मुँह पर बन्‍दक छाप लगा देलनि। सैनिक सभ केँ कबरक सुरक्षा करबाक लेल पहरा पर राखि देलथिन।
66 Foram, pois, e asseguraram o sepulcro, selando a pedra e colocando guardas.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 27, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.