Mateus 27
jivən səndesh (MAI) vs ARA
1 प्रात भेने भोरे-भोर सभ मुख्यपुरोहित आ समाजक बूढ़-प्रतिष्ठित लोक सभ आपस मे विचार-विमर्श कऽ एहि बातक निश्चय कयलनि जे यीशु केँ मारि देल जाय।
1 Ao romper o dia, todos os principais sacerdotes e os anciãos do povo entraram em conselho contra Jesus, para o matarem;
2 ओ सभ यीशु केँ बान्हि कऽ लऽ गेलाह आ राज्यपाल पिलातुसक जिम्मा मे लगा देलथिन।
2 e, amarrando-o, levaram-no e o entregaram ao governador Pilatos.
3 यहूदा इस्करियोती जे यीशु केँ पकड़बौने छल, से जखन देखलक जे यीशु केँ मृत्युदण्डक आज्ञा देल गेलनि, तखन ओ बहुत पछतायल। ओ मुख्यपुरोहित आ बूढ़-प्रतिष्ठित सभ लग चानीक तीस सिक्का लऽ कऽ गेल आ हुनका सभ केँ कहलकनि,
3 Então, Judas, o que o traiu, vendo que Jesus fora condenado, tocado de remorso, devolveu as trinta moedas de prata aos principais sacerdotes e aos anciãos, dizendo:
4 “हम निर्दोष व्यक्ति केँ मृत्युदण्डक लेल पकड़बा कऽ पाप कयलहुँ अछि।”
4 Pequei, traindo sangue inocente. Eles, porém, responderam: Que nos importa? Isso é contigo.
5 एहि पर ओ चानीक सिक्का सभ मन्दिर मे फेकि कऽ चल गेल आ अपना केँ फँसरी लगा लेलक।
5 Então, Judas, atirando para o santuário as moedas de prata, retirou-se e foi enforcar-se.
6 मुख्यपुरोहित सभ ओ चानीक सिक्का उठा कऽ बजलाह, “एकरा मन्दिरक खजाना मे राखब उचित नहि होयत, किएक तँ ई खूनक मूल्य अछि।”
6 E os principais sacerdotes, tomando as moedas, disseram: Não é lícito deitá-las no cofre das ofertas, porque é preço de sangue.
7 ओ सभ आपस मे एहि बातक विचार-विमर्श कऽ परदेशी लोक सभक लास केँ गाड़बाक लेल ओहि पाइ सँ कुम्हारक एकटा खेत किनि लेलनि।
7 E, tendo deliberado, compraram com elas o campo do oleiro, para cemitério de forasteiros.
8 एहि कारण सँ आइओ धरि ओ खेत “खूनक खेत” कहबैत अछि।
8 Por isso, aquele campo tem sido chamado, até ao dia de hoje, Campo de Sangue.
9 एहि तरहेँ परमेश्वरक प्रवक्ता यर्मियाहक ई वचन पूर्ण भेल जे,
9 Então, se cumpriu o que foi dito por intermédio do profeta Jeremias: Tomaram as trinta moedas de prata, preço em que foi estimado aquele a quem alguns dos filhos de Israel avaliaram;
10 जेना प्रभु सँ हमरा आज्ञा भेटल छल, तेना ओहि पाइ सँ कुम्हारक खेत किनल गेल।”
10 e as deram pelo campo do oleiro, assim como me ordenou o Senhor.
11 एम्हर यीशु राज्यपाल पिलातुसक सम्मुख ठाढ़ छलाह। राज्यपाल हुनका सँ पुछलथिन, “की अहाँ यहूदी सभक राजा छी?” यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “अहाँ अपने कहि रहल छी।”
11 Jesus estava em pé ante o governador; e este o interrogou, dizendo: És tu o rei dos judeus? Respondeu-lhe Jesus: Tu o dizes.
12 मुदा मुख्यपुरोहित आ बूढ़-प्रतिष्ठित लोक सभ जे कोनो दोष यीशु पर लगौलथिन तकर ओ कोनो उत्तर नहि देलथिन।
12 E, sendo acusado pelos principais sacerdotes e pelos anciãos, nada respondeu.
13 एहि पर पिलातुस कहलथिन, “की अहाँ नहि सुनि रहल छी जे ई सभ अहाँ पर कतेक आरोप लगा रहल छथि?”
13 Então, lhe perguntou Pilatos: Não ouves quantas acusações te fazem?
14 मुदा यीशु एको बातक कोनो उत्तर नहि देलथिन। ई बात देखि राज्यपाल केँ बहुत आश्चर्य लगलनि।
14 Jesus não respondeu nem uma palavra, vindo com isto a admirar-se grandemente o governador.
15 प्रत्येक साल फसह-पाबनिक अवसर पर राज्यपाल जनताक इच्छाक अनुसार एक कैदी केँ छोड़ि दैत छलाह।
15 Ora, por ocasião da festa, costumava o governador soltar ao povo um dos presos, conforme eles quisessem.
16 ओहि समय मे बरब्बा नामक एक नामी अपराधी जहल मे बन्द छल।
16 Naquela ocasião, tinham eles um preso muito conhecido, chamado Barrabás.
17 भीड़ केँ जमा भेला पर राज्यपाल पिलातुस ओकरा सभ केँ पुछलथिन, “अहाँ सभ की चाहैत छी? अहाँ सभक लेल हम ककरा छोड़ि दिअ? बरब्बा केँ वा यीशु केँ, जे मसीह कहबैत अछि?”
17 Estando, pois, o povo reunido, perguntou-lhes Pilatos: A quem quereis que eu vos solte, a Barrabás ou a Jesus, chamado Cristo?
18 पिलातुस ई बात जानि गेल छलाह जे धर्मगुरु सभ यीशु केँ ईर्ष्याक कारणेँ पकड़बौने छथि।
18 Porque sabia que, por inveja, o tinham entregado.
19 पिलातुस न्यायासन पर बैसले छलाह कि हुनकर स्त्री कहा पठौलथिन जे, “ओहि निर्दोष मनुष्य केँ किछु नहि करिऔक! किएक तँ हम आइ राति सपना मे हुनका कारणेँ बहुत दुःख सहलहुँ अछि।”
19 E, estando ele no tribunal, sua mulher mandou dizer-lhe: Não te envolvas com esse justo; porque hoje, em sonho, muito sofri por seu respeito.
20 मुदा मुख्यपुरोहित सभ आ बूढ़-प्रतिष्ठित लोक सभ जमा भेल लोक सभ केँ सिखा देने छलाह जे, “तोँ सभ बरब्बा केँ छोड़ि देबाक लेल आ यीशुक मृत्युदण्डक माँग करिहह।”
20 Mas os principais sacerdotes e os anciãos persuadiram o povo a que pedisse Barrabás e fizesse morrer Jesus.
21 राज्यपाल ओकरा सभ केँ पुछलथिन, “अहाँ सभ की चाहैत छी? एहि दूनू मे सँ अहाँ सभक लेल हम ककरा छोड़ि दिअ?” ओ सभ बाजल, “बरब्बा केँ।”
21 De novo, perguntou-lhes o governador: Qual dos dois quereis que eu vos solte? Responderam eles: Barrabás!
22 पिलातुस कहलथिन, “तखन फेर एहि यीशु केँ, जे मसीह कहबैत अछि तकरा हम की करू?” सभ कहऽ लागल, “ओकरा क्रूस पर चढ़ाउ!”
22 Replicou-lhes Pilatos: Que farei, então, de Jesus, chamado Cristo? Seja crucificado! Responderam todos.
23 ओ पुछलथिन, “किएक? ई कोन अपराध कयने अछि?” एहि पर लोकक भीड़ आरो जोर-जोर सँ चिचियाय लागल, “ओकरा क्रूस पर चढ़ाउ!”
23 Que mal fez ele? Perguntou Pilatos. Porém cada vez clamavam mais: Seja crucificado!
24 जखन पिलातुस देखलनि जे यीशु केँ बचयबाक हुनकर प्रयत्न सफल नहि भऽ रहल अछि, बल्कि एहि सँ उपद्रव बढ़ि रहल अछि, तखन ओ हाथ मे पानि लऽ कऽ लोक सभक सामने अपन हाथ धोइत कहलथिन, “एहि मनुष्यक खूनक दोषी हम नहि छी। अहीं सभ एहि बात केँ जानू!”
24 Vendo Pilatos que nada conseguia, antes, pelo contrário, aumentava o tumulto, mandando vir água, lavou as mãos perante o povo, dizendo: Estou inocente do sangue deste [justo]; fique o caso convosco!
25 भीड़क लोक हुनका उत्तर देलकनि, “एकर खूनक दोष हमरा सभ पर आ हमर सभक सन्तान सभ पर होअय!”
25 E o povo todo respondeu: Caia sobre nós o seu sangue e sobre nossos filhos!
26 तकरबाद पिलातुस ओकरा सभक इच्छाक अनुसार बरब्बा केँ छोड़ि देलथिन आ यीशु केँ कोड़ा सँ पिटबा कऽ क्रूस पर चढ़यबाक लेल सैनिक सभक जिम्मा लगा देलथिन।
26 Então, Pilatos lhes soltou Barrabás; e, após haver açoitado a Jesus, entregou-o para ser crucificado.
27 राज्यपालक सैनिक सभ यीशु केँ राजभवन मे लऽ गेलनि आ अपन पूरा सैनिक-दल केँ हुनका चारू कात जमा कऽ लेलक।
27 Logo a seguir, os soldados do governador, levando Jesus para o pretório, reuniram em torno dele toda a coorte.
28 ओ सभ यीशु जे वस्त्र पहिरने छलाह तकरा निकलबा कऽ लाल रंगक राजसी वस्त्र पहिरा देलकनि।
28 Despojando-o das vestes, cobriram-no com um manto escarlate;
29 काँटक मुकुट बना हुनका मूड़ी पर रखलकनि आ हुनका दहिना हाथ मे एक छड़ी पकड़ा देलकनि। तकरबाद हुनका सामने ठेहुनिया दऽ कऽ हुनकर मजाक उड़बैत कहऽ लगलनि, “यहूदी सभक राजा, प्रणाम!”
29 tecendo uma coroa de espinhos, puseram-lha na cabeça e, na mão direita, um caniço; e, ajoelhando-se diante dele, o escarneciam, dizendo: Salve, rei dos judeus!
30 ओ सभ हुनका पर थूक फेकलकनि आ हुनका हाथ सँ छड़ी लऽ कऽ बेर-बेर मूड़ी पर मारलकनि।
30 E, cuspindo nele, tomaram o caniço e davam-lhe com ele na cabeça.
31 ओ सभ एहि तरहेँ यीशुक मजाक उड़ौलाक बाद हुनका देह पर सँ लाल रंग वला वस्त्र निकालि लेलकनि आ हुनकर अपन कपड़ा फेर पहिरा देलकनि। तकरबाद ओ सभ हुनका क्रूस पर लटकयबाक लेल लऽ गेलनि।
31 Depois de o terem escarnecido, despiram-lhe o manto e o vestiram com as suas próprias vestes. Em seguida, o levaram para ser crucificado.
32 शहर सँ बाहर लऽ जाइत काल सैनिक सभ केँ सिमोन नामक एक आदमी जे कुरेन नगरक रहऽ वला छल, से भेटलैक। ओकरा सैनिक सभ जबरदस्ती पकड़ि कऽ यीशुक क्रूस उठा कऽ लऽ चलबाक लेल कहलकैक।
32 Ao saírem, encontraram um cireneu, chamado Simão, a quem obrigaram a carregar-lhe a cruz.
33 यीशु केँ लऽ कऽ ओ सभ गुलगुता, अर्थात् “खप्पड़ वला स्थान” पर पहुँचल।
33 E, chegando a um lugar chamado Gólgota, que significa Lugar da Caveira,
34 ओहिठाम ओ सभ यीशु केँ तीत दवाइ मिलाओल दारू पिबाक लेल देलकनि, मुदा ओ ओकरा चिखि कऽ नहि पिलनि।
34 deram-lhe a beber vinho com fel; mas ele, provando-o, não o quis beber.
35 सैनिक सभ हुनका हाथ-पयर मे काँटी ठोकि कऽ क्रूस पर टाँगि देलकनि। हुनकर वस्त्र पर चिट्ठा खसा कऽ अपना मे बाँटि लेलक,
35 Depois de o crucificarem, repartiram entre si as suas vestes, tirando a sorte.
36 तखन ओतऽ बैसि कऽ पहरा देबऽ लागल।
36 E, assentados ali, o guardavam.
37 ओ सभ एक दोष-पत्र हुनका मूड़ीक उपर क्रूस पर टाँगि देलक जाहि पर लिखल छलैक जे, “ई यीशु अछि, यहूदी सभक राजा”।
37 Por cima da sua cabeça puseram escrita a sua acusação: Este é Jesus, o Rei dos Judeus .
38 यीशुक संगे दूटा डाकू सेहो क्रूस पर चढ़ाओल गेल, एकटा हुनकर दहिना कात और दोसर बामा कात।
38 E foram crucificados com ele dois ladrões, um à sua direita, e outro à sua esquerda.
39 ओहि बाटे आबऽ-जाय वला लोक सभ मूड़ी डोला-डोला कऽ हुनकर निन्दा कऽ रहल छल।
39 Os que iam passando blasfemavam dele, meneando a cabeça e dizendo:
40 ओ सभ कहैत छल, “रे मन्दिर केँ तोड़ऽ वला और तीन दिन मे ओकरा बनाबऽ वला! तोँ जँ परमेश्वरक पुत्र छेँ तँ अपना केँ बचा आ एहि क्रूस पर सँ उतरि आ।”
40 Ó tu que destróis o santuário e em três dias o reedificas! Salva-te a ti mesmo, se és Filho de Deus, e desce da cruz!
41 तहिना मुख्यपुरोहित लोकनि, धर्मशिक्षक सभ आ बूढ़-प्रतिष्ठित लोक सभ सेहो हुनकर मजाक उड़बैत कहलनि,
41 De igual modo, os principais sacerdotes, com os escribas e anciãos, escarnecendo, diziam:
42 “ई आन लोक सभ केँ बचबैत रहल मुदा अपना केँ नहि बचा सकैत अछि। ई जँ इस्राएलक राजा अछि तँ एखन क्रूस पर सँ उतरि आबओ, तखन हमहूँ सभ एकरा पर विश्वास करबैक।
42 Salvou os outros, a si mesmo não pode salvar-se. É rei de Israel! Desça da cruz, e creremos nele.
43 ई आदमी परमेश्वर पर भरोसा रखैत छल। जँ एकरा सँ परमेश्वर प्रसन्न छथिन तँ एखन बचबथुन। ई तँ अपना केँ परमेश्वरक पुत्र कहैत छल।”
43 Confiou em Deus; pois venha livrá-lo agora, se, de fato, lhe quer bem; porque disse: Sou Filho de Deus.
44 एहि तरहेँ ओ डाकू सभ सेहो, जकरा यीशुक संग क्रूस पर चढ़ाओल गेल छलैक, यीशुक निन्दा कऽ रहल छल।
44 E os mesmos impropérios lhe diziam também os ladrões que haviam sido crucificados com ele.
45 ओहि दिन बारह बजे सँ तीन बजे तक सम्पूर्ण देश अन्हार-कुप्प भऽ गेल।
45 Desde a hora sexta até à hora nona, houve trevas sobre toda a terra.
46 करीब तीन बजे मे यीशु बहुत जोर सँ बजलाह जे, “एली, एली, लामा सबक्तनी”, जकर अर्थ ई अछि, “हे हमर परमेश्वर, हे हमर परमेश्वर, हमरा अहाँ किएक छोड़ि देलहुँ?”
46 Por volta da hora nona, clamou Jesus em alta voz, dizendo: Eli, Eli, lamá sabactâni? O que quer dizer: Deus meu, Deus meu, por que me desamparaste?
47 ई सुनि ओतऽ ठाढ़ लोक सभ मे सँ किछु लोक बाजल, “ई आदमी एलियाह केँ बजा रहल अछि।”
47 E alguns dos que ali estavam, ouvindo isto, diziam: Ele chama por Elias.
48 ओकरा सभ मे सँ एक गोटे तुरत दौड़ि कऽ गेल आ रूइ जकाँ एकटा एहन चीज जे पानि सोखैत अछि से लऽ कऽ तिताह दारू मे डुबा लेलक, तखन ओकरा लाठीक हूर पर अटका कऽ हुनका पिबाक लेल देलकनि।
48 E, logo, um deles correu a buscar uma esponja e, tendo-a embebido de vinagre e colocado na ponta de um caniço, deu-lhe a beber.
49 मुदा दोसर लोक सभ ओकरा कहलकैक, “थम्हह, पहिने देखी जे एलियाह एकरा बचयबाक लेल अबैत छथि कि नहि।”
49 Os outros, porém, diziam: Deixa, vejamos se Elias vem salvá-lo.
50 तकरबाद यीशु फेर जोर सँ आवाज दऽ कऽ अपन प्राण त्यागि देलनि।
50 E Jesus, clamando outra vez com grande voz, entregou o espírito.
51 ओही क्षण मन्दिर मे जे परदा छलैक से ऊपर सँ नीचाँ तक चिरा कऽ दू भाग मे फाटि गेल। पृथ्वी डोलऽ लागल। चट्टान सभ फाटि गेल।
51 Eis que o véu do santuário se rasgou em duas partes de alto a baixo; tremeu a terra, fenderam-se as rochas;
52 कबरक मुँह खुजि गेल आ परमेश्वरक बहुतो भक्त सभक लास फेर जिआओल गेल।
52 abriram-se os sepulcros, e muitos corpos de santos, que dormiam, ressuscitaram;
53 ओ सभ कबर सँ बहरा कऽ यीशु केँ जीबि उठलाक बाद “पवित्र नगर” मे जा कऽ बहुतो लोक सभ केँ देखाइ देलनि।
53 e, saindo dos sepulcros depois da ressurreição de Jesus, entraram na cidade santa e apareceram a muitos.
54 रोमी कप्तान आ हुनका संग यीशु पर पहरा देबऽ वला सैनिक सभ, भूकम्प आ एहि घटना सभ केँ देखि बहुत डेरा गेल, और बाजि उठल, “सत्ये ई परमेश्वरक पुत्र छलाह!”
54 O centurião e os que com ele guardavam a Jesus, vendo o terremoto e tudo o que se passava, ficaram possuídos de grande temor e disseram: Verdadeiramente este era Filho de Deus.
55 बहुतो स्त्रीगण सभ सेहो ओतऽ छलीह, जे सभ दूरे सँ ई बात सभ देखि रहल छलीह। ओ सभ गलील प्रदेश सँ यीशुक संग हुनकर सेवा-टहल करैत आयल छलीह।
55 Estavam ali muitas mulheres, observando de longe; eram as que vinham seguindo a Jesus desde a Galileia, para o servirem;
56 हुनका सभ मे मरियम मग्दलीनी, याकूब आ यूसुफक माय मरियम, और जबदीक स्त्री, अर्थात् याकूब आ यूहन्नाक माय, छलीह।
56 entre elas estavam Maria Madalena, Maria, mãe de Tiago e de José, e a mulher de Zebedeu.
57 साँझ पड़ला पर अरिमतिया नगरक निवासी यूसुफ नामक एक धनिक व्यक्ति ओतऽ अयलाह। ओहो यीशुक शिष्य बनि गेल छलाह।
57 Caindo a tarde, veio um homem rico de Arimateia, chamado José, que era também discípulo de Jesus.
58 ओ राज्यपाल पिलातुसक ओतऽ जा कऽ यीशुक लास मँगलथिन। पिलातुस आदेश देलनि जे लास यूसुफ केँ दऽ देल जानि।
58 Este foi ter com Pilatos e lhe pediu o corpo de Jesus. Então, Pilatos mandou que lho fosse entregue.
59 यूसुफ हुनकर लास लऽ गेलाह आ साफ मलमलक कपड़ा मे ओकरा लपेटि कऽ
59 E José, tomando o corpo, envolveu-o num pano limpo de linho
60 अपन नव कबर मे रखलनि जे ओ एक चट्टान मे कटबा कऽ बनबौने छलाह। लास केँ रखलाक बाद ओ कबरक मुँह पर एक भारी पाथर गुड़का कऽ लगा देलनि आ चल गेलाह।
60 e o depositou no seu túmulo novo, que fizera abrir na rocha; e, rolando uma grande pedra para a entrada do sepulcro, se retirou.
61 मरियम मग्दलीनी आ दोसर मरियम कबरक सामने बैसल छलीह।
61 Achavam-se ali, sentadas em frente da sepultura, Maria Madalena e a outra Maria.
62 एहि घटनाक प्रात भेने, अर्थात् विश्राम-दिन मे, मुख्यपुरोहित लोकनि आ फरिसी सभ एक संग पिलातुसक ओतऽ जा कऽ हुनका कहलथिन,
62 No dia seguinte, que é o dia depois da preparação, reuniram-se os principais sacerdotes e os fariseus e, dirigindo-se a Pilatos,
63 “यौ सरकार! हमरा सभ केँ स्मरण अछि जे ओ ठग आदमी, जखन ओ जीबैत छल तखन कहने छल जे, ‘हम तीन दिनक बाद फेर जीबि उठब’।
63 disseram-lhe: Senhor, lembramo-nos de que aquele embusteiro, enquanto vivia, disse: Depois de três dias ressuscitarei.
64 तेँ अपने आज्ञा देल जाओ जे तीन दिन धरि ओहि कबर पर पहरा राखल जाय। नहि तँ कतौ एना नहि होअय जे ओकर चेला सभ ओकर लास चोरा कऽ लऽ जाय आ लोक सभ केँ कहऽ लागय जे, ओ मुइल सभ मे सँ जीबि उठलाह। तखन एहि बेरक ई धोखा वला बात पहिलुको धोखा सँ खराब होयत।”
64 Ordena, pois, que o sepulcro seja guardado com segurança até ao terceiro dia, para não suceder que, vindo os discípulos, o roubem e depois digam ao povo: Ressuscitou dos mortos; e será o último embuste pior que o primeiro.
65 पिलातुस हुनका सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ सैनिक सभ लऽ जाउ आ जेहन सुरक्षा अहाँ सभ कबरक करऽ चाहैत होइ तेहन करू।”
65 Disse-lhes Pilatos: Aí tendes uma escolta; ide e guardai o sepulcro como bem vos parecer.
66 तखन ओ सभ गेलाह आ कबरक मुँह पर बन्दक छाप लगा देलनि। सैनिक सभ केँ कबरक सुरक्षा करबाक लेल पहरा पर राखि देलथिन।
66 Indo eles, montaram guarda ao sepulcro, selando a pedra e deixando ali a escolta.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 27, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.