Mateus 15

jivən səndesh (MAI) vs NAA

Sair da comparação
NAA Nova Almeida Atualizada 2017
1 तकरबाद यरूशलेम सँ किछु फरिसी आओर धर्मशिक्षक सभ यीशु लग अयलाह आ कहलथिन,
1 Então alguns fariseus e escribas vieram de Jerusalém até Jesus e perguntaram:
2 “अहाँक शिष्‍य सभ पुरखाक चलन सभ केँ किएक तोड़ैत अछि? ओ सभ भोजन करऽ सँ पहिने विधिवत हाथ नहि धोइत अछि।”
2 — Por que os seus discípulos transgridem a tradição dos anciãos? Pois não lavam as mãos, quando comem.
3 यीशु उत्तर देलथिन, “और अहाँ सभ अपन चलन सभक पालन करबाक लेल परमेश्‍वरक आज्ञा केँ किएक तोड़ैत छी?
3 Jesus, porém, lhes respondeu:
4 देखू, परमेश्‍वर कहने छथि जे, ‘अपन माय-बाबूक आदर करह,’ आ ‘जे केओ अपन माय-बाबूक निन्‍दा करय तकरा मृत्‍युदण्‍ड देल जाय।’
4 Porque Deus disse: “Honre o seu pai e a sua mãe.” E: “Quem maldisser o seu pai ou a sua mãe seja punido de morte.”
5 मुदा अहाँ सभ कहैत छी जे, जँ केओ अपन बाबू वा माय सँ कहत, ‘हम अहाँ सभ केँ जे किछु सहायता कऽ सकैत छलहुँ से हम परमेश्‍वर केँ अर्पण कऽ देने छी,’
5 Vocês, porém, dizem que, se alguém disser ao seu pai ou à sua mãe: “A ajuda que você poderia receber de mim é oferta ao Senhor”,
6 तँ ओकरा अपन माय-बाबूक सहायता कऽ कऽ आदर करबाक कोनो आवश्‍यकता नहि छैक। एहि तरहेँ अहाँ सभ अपन चलन केँ चलयबाक लेल परमेश्‍वरक आज्ञा केँ निरर्थक ठहरबैत छी।
6 esse não precisará mais honrar os seus pais. E, assim, vocês invalidam a palavra de Deus, por causa da tradição de vocês.
7 हे पाखण्‍डी सभ! यशायाह अहाँ सभक सम्‍बन्‍ध मे एकदम ठीक भविष्‍यवाणी कयलनि जे,
7 Hipócritas! Bem profetizou Isaías a respeito de vocês, dizendo:
8 ‘ई सभ मुँह सँ हमर आदर करैत अछि,
8 “Este povo me honra
9 ई सभ बेकार हमर उपासना करैत अछि।
9 E em vão me adoram,
10 यीशु भीड़क लोक केँ अपना लग बजा कऽ कहलथिन, “अहाँ सभ सुनू आ बुझू।
10 E, convocando a multidão, Jesus disse:
11 जे कोनो वस्‍तु मुँह मे जाइत अछि, से मनुष्‍य केँ अशुद्ध नहि करैत अछि, बल्‍कि जे मुँह सँ बहराइत अछि से ओकरा अशुद्ध करैत अछि।”
11 o que contamina a pessoa não é o que entra pela boca, mas o que sai da boca; isto, sim, contamina a pessoa.
12 एहि पर हुनकर शिष्‍य सभ हुनका लग आबि कहलथिन, “अहाँ जे कहलहुँ से फरिसी सभ केँ बड्ड खराब लगलनि, से अहाँ केँ बुझल अछि?”
12 Então, aproximando-se dele os discípulos, disseram: — Sabia que os fariseus, ouvindo o que o senhor disse, ficaram escandalizados?
13 यीशु हुनका सभ केँ उत्तर देलथिन, “प्रत्‍येक गाछ जे हमर स्‍वर्गीय पिता नहि लगौने छथि, से जड़ि सँ उखाड़ल जायत।
13 Mas ele respondeu:
14 छोड़ू ओकर सभक बात! ओ सभ तँ अपने आन्‍हर अछि आ आन्‍हर सभ केँ बाट देखबैत अछि। आन्‍हरे जँ आन्‍हर केँ बाट देखाओत तँ दूनू अवश्‍य खधिया मे खसत।”
14 Esqueçam os fariseus; são cegos, guias de cegos. Ora, se um cego guiar outro cego, ambos cairão num buraco.
15 एहि पर पत्रुस कहलथिन, “एहि दृष्‍टान्‍तक अर्थ हमरा सभ केँ बुझा दिअ।”
15 Então Pedro disse a Jesus: — Explique-nos esta parábola.
16 यीशु कहलथिन, “की अहूँ सभ एखन तक नहि बुझलहुँ?
16 Jesus, porém, disse:
17 की अहाँ सभ नहि बुझैत छी जे, जे किछु मुँह मे जाइत अछि से पेट मे जा कऽ देह सँ बाहर भऽ जाइत अछि?
17 Não compreendem que tudo o que entra pela boca desce para o estômago e depois é eliminado?
18 मुदा जे बात मुँह सँ बहराइत अछि से हृदय सँ निकलि कऽ अबैत अछि आ से मनुष्‍य केँ अशुद्ध बनबैत अछि।
18 Mas o que sai da boca vem do coração, e é isso que contamina a pessoa.
19 कारण, हृदय सँ निकलैत अछि विभिन्‍न तरहक गलत विचार, हत्‍या, परस्‍त्रीगमन, अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध, चोरी, झूठ गवाही, निन्‍दाक बात,
19 Porque do coração procedem maus pensamentos, homicídios, adultérios, imoralidade sexual, furtos, falsos testemunhos, blasfêmias.
20 आ यैह बात सभ मनुष्‍य केँ अशुद्ध करैत अछि, नहि कि बिनु हाथ धोने भोजन करब, से।”
20 São estas as coisas que contaminam a pessoa; mas o comer sem lavar as mãos não a contamina.
21 ओतऽ सँ आगाँ बढ़ि यीशु सूर आ सीदोन नगरक इलाका मे गेलाह।
21 Saindo dali, Jesus foi para a região de Tiro e Sidom.
22 ओहिठामक एक कनानी स्‍त्री हुनका लग आबि चिचियाय लगलनि जे, “हे प्रभु, दाऊदक पुत्र, हमरा पर दया करू! हमरा बेटी केँ दुष्‍टात्‍मा लागल छै। ओ ओकरा बड्ड कष्‍ट दैत छैक।”
22 E eis que uma mulher cananeia, que tinha vindo daqueles lados, clamava: — Senhor, Filho de Davi, tenha compaixão de mim! Minha filha está horrivelmente endemoniada.
23 मुदा यीशु ओकरा कोनो उत्तर नहि देलथिन। तखन हुनकर शिष्‍य सभ हुनका लग आबि कऽ विनती कयलथिन जे, “एकरा विदा कऽ दिऔक, ई तँ चिचियाइत-चिचियाइत अपना सभक पाछाँ लागल अछि।”
23 Jesus, porém, não lhe respondeu palavra. Então os seus discípulos, aproximando-se, disseram: — Mande-a embora, pois vem gritando atrás de nós.
24 यीशु कहलथिन, “हम तँ मात्र इस्राएल वंशक हेरायल भेँड़ा सभक लेल पठाओल गेल छी।”
24 Mas Jesus respondeu:
25 मुदा ओ स्‍त्री यीशु लग आबि हुनका पयर पर खसि पड़लनि आ कहलकनि, “प्रभु, हमरा पर दया करू!”
25 Ela, porém, veio e o adorou, dizendo: — Senhor, me ajude!
26 ओ उत्तर देलथिन, “बच्‍चा सभक लेल जे रोटी अछि तकरा कुकुरक आगाँ फेकि देब से ठीक बात नहि।”
26 Jesus respondeu:
27 एहि पर स्‍त्री बाजल, “ठीक कहैत छी प्रभु, मुदा कुकुरो सभ तँ मालिकक टेबुल सँ खसल चुर-चार खाइते अछि।”
27 A mulher disse: — É verdade, Senhor, pois os cachorrinhos comem das migalhas que caem da mesa dos seus donos.
28 तखन यीशु ओकरा कहलथिन, “हे दाइ, तोहर विश्‍वास बड्ड पैघ छह! जहिना तोँ चाहैत छह, तहिना तोरा लेल होअह।” ओकर बच्‍ची तखने स्‍वस्‍थ भऽ गेलैक।
28 Então Jesus exclamou: E, desde aquele momento, a filha dela ficou curada.
29 यीशु ओतऽ सँ विदा भऽ कऽ गलील झीलक काते-कात चललाह। तखन एक पहाड़ पर चढ़ि कऽ बैसि रहलाह।
29 Saindo dali, Jesus foi para junto do mar da Galileia; e, subindo ao monte, assentou-se ali.
30 झुण्‍डक-झुण्‍ड लोक हुनका लग अयलनि। ओ सभ अपना संग लुल्‍ह, आन्‍हर, नाङड़, बौक और बहुतो दोसर तरहक बिमार लोक सभ केँ लऽ कऽ आयल आ यीशुक चरण मे राखि देलकनि। यीशु ओहि सभ बिमार केँ स्‍वस्‍थ कऽ देलथिन।
30 E vieram a ele muitas multidões trazendo consigo coxos, cegos, aleijados, mudos e muitos outros e os deixaram junto aos pés de Jesus; e ele os curou.
31 जमा भेल लोक सभ जखन देखलक जे बौक सभ बाजि रहल अछि, लुल्‍ह सभ स्‍वस्‍थ भऽ गेल अछि, नाङड़ सभ चलि रहल अछि आ आन्‍हर सभ देखि रहल अछि तखन ओ सभ आश्‍चर्यित भऽ इस्राएलक परमेश्‍वर केँ स्‍तुति करऽ लगलनि।
31 O povo ficou maravilhado ao ver que os mudos falavam, os aleijados recuperavam a saúde, os coxos andavam e os cegos viam. E glorificavam o Deus de Israel.
32 यीशु अपन शिष्‍य सभ केँ बजा कऽ कहलथिन, “हमरा एहि लोक सभ पर दया अबैत अछि। ई सभ तीन दिन सँ हमरा संग अछि आ एकरा सभ लग भोजन करबाक लेल किछु नहि छैक। हम एकरा सभ केँ भूखले घर नहि पठाबऽ चाहैत छी। कतौ एना नहि भऽ जाइक जे ई सभ रस्‍ते मे भूखक मारे मुर्छित भऽ जाय।”
32 Então Jesus chamou os seus discípulos e disse:
33 शिष्‍य सभ कहलथिन, “एहि निर्जन स्‍थान मे अपना सभ केँ एतेक भोजनक वस्‍तु कतऽ सँ भेटत जे अपना सभ एतेकटा भीड़ केँ भोजन करा सकबैक?”
33 Mas os discípulos lhe disseram: — Onde haverá neste deserto pão suficiente para saciar tão grande multidão?
34 यीशु हुनका सभ सँ पुछलथिन, “अहाँ सभ लग कयटा रोटी अछि?” ओ सभ कहलथिन, “सातटा, आ किछु छोटकी माछ।”
34 Jesus perguntou: Eles responderam: — Sete pães e alguns peixinhos.
35 यीशु लोक सभ केँ जमीन पर बैसि जयबाक लेल आदेश देलथिन।
35 Então, tendo mandado o povo assentar-se no chão,
36 तकरबाद यीशु ओ सातो रोटी आ माछ सभ लऽ कऽ परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देलनि, तखन तोड़ि-तोड़ि कऽ शिष्‍य सभ केँ परसबाक लेल देलथिन। शिष्‍य सभ ओकरा लोक सभ मे बाँटि देलथिन।
36 pegou os sete pães e os peixes e, tendo dado graças, os partiu e deu aos discípulos, e estes distribuíram ao povo.
37 सभ केओ भरि पेट भोजन कयलक। भोजनक बाद शिष्‍य सभ उबरल टुकड़ा सभ सात टोकरी मे भरि कऽ जमा कयलनि।
37 Todos comeram e se fartaram; e, dos pedaços que sobraram, recolheram sete cestos cheios.
38 भोजन करऽ वला लोक मे स्‍त्रीगण आ बच्‍चा सभ केँ छोड़ि पुरुषक संख्‍या चारि हजार छल।
38 Ora, os que comeram eram quatro mil homens, além de mulheres e crianças.
39 भोजन करौलाक बाद लोकक भीड़ केँ विदा कऽ कऽ यीशु नाव पर चढ़ि कऽ मगदन क्षेत्र चल गेलाह।
39 E, tendo despedido as multidões, Jesus entrou no barco e foi para o território de Magadã.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 15, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.