Mateus 15
jivən səndesh (MAI) vs ARC
1 तकरबाद यरूशलेम सँ किछु फरिसी आओर धर्मशिक्षक सभ यीशु लग अयलाह आ कहलथिन,
1 Então, chegaram ao pé de Jesus uns escribas e fariseus de Jerusalém, dizendo:
2 “अहाँक शिष्य सभ पुरखाक चलन सभ केँ किएक तोड़ैत अछि? ओ सभ भोजन करऽ सँ पहिने विधिवत हाथ नहि धोइत अछि।”
2 Por que transgridem os teus discípulos a tradição dos anciãos? Pois não lavam as mãos quando comem pão.
3 यीशु उत्तर देलथिन, “और अहाँ सभ अपन चलन सभक पालन करबाक लेल परमेश्वरक आज्ञा केँ किएक तोड़ैत छी?
3 Ele, porém, respondendo, disse-lhes: Por que transgredis vós também o mandamento de Deus pela vossa tradição?
4 देखू, परमेश्वर कहने छथि जे, ‘अपन माय-बाबूक आदर करह,’ आ ‘जे केओ अपन माय-बाबूक निन्दा करय तकरा मृत्युदण्ड देल जाय।’
4 Porque Deus ordenou, dizendo: Honra a teu pai e a
5 मुदा अहाँ सभ कहैत छी जे, जँ केओ अपन बाबू वा माय सँ कहत, ‘हम अहाँ सभ केँ जे किछु सहायता कऽ सकैत छलहुँ से हम परमेश्वर केँ अर्पण कऽ देने छी,’
5 Mas vós dizeis: Qualquer que disser ao pai ou à mãe: É oferta ao Senhor o que poderias aproveitar de mim, esse não precisa honrar nem a seu pai nem a sua mãe,
6 तँ ओकरा अपन माय-बाबूक सहायता कऽ कऽ आदर करबाक कोनो आवश्यकता नहि छैक। एहि तरहेँ अहाँ सभ अपन चलन केँ चलयबाक लेल परमेश्वरक आज्ञा केँ निरर्थक ठहरबैत छी।
6 E
7 हे पाखण्डी सभ! यशायाह अहाँ सभक सम्बन्ध मे एकदम ठीक भविष्यवाणी कयलनि जे,
7 Hipócritas, bem profetizou Isaías a vosso respeito, dizendo:
8 ‘ई सभ मुँह सँ हमर आदर करैत अछि,
8 Este povo honra-me com os seus lábios, mas o seu coração está longe de mim.
9 ई सभ बेकार हमर उपासना करैत अछि।
9 Mas em vão me adoram, ensinando doutrinas
10 यीशु भीड़क लोक केँ अपना लग बजा कऽ कहलथिन, “अहाँ सभ सुनू आ बुझू।
10 E, chamando a si a multidão, disse-lhes: Ouvi e entendei:
11 जे कोनो वस्तु मुँह मे जाइत अछि, से मनुष्य केँ अशुद्ध नहि करैत अछि, बल्कि जे मुँह सँ बहराइत अछि से ओकरा अशुद्ध करैत अछि।”
11 o que contamina o homem não é o que entra na boca, mas o que sai da boca, isso é o que contamina o homem.
12 एहि पर हुनकर शिष्य सभ हुनका लग आबि कहलथिन, “अहाँ जे कहलहुँ से फरिसी सभ केँ बड्ड खराब लगलनि, से अहाँ केँ बुझल अछि?”
12 Então, acercando-se dele os seus discípulos, disseram-lhe: Sabes que os fariseus, ouvindo essas palavras, se escandalizaram?
13 यीशु हुनका सभ केँ उत्तर देलथिन, “प्रत्येक गाछ जे हमर स्वर्गीय पिता नहि लगौने छथि, से जड़ि सँ उखाड़ल जायत।
13 Ele, porém, respondendo, disse: Toda planta que meu Pai celestial não plantou será arrancada.
14 छोड़ू ओकर सभक बात! ओ सभ तँ अपने आन्हर अछि आ आन्हर सभ केँ बाट देखबैत अछि। आन्हरे जँ आन्हर केँ बाट देखाओत तँ दूनू अवश्य खधिया मे खसत।”
14 Deixai-os; são condutores cegos; ora, se um cego guiar
15 एहि पर पत्रुस कहलथिन, “एहि दृष्टान्तक अर्थ हमरा सभ केँ बुझा दिअ।”
15 E Pedro, tomando a palavra, disse-lhe: Explica-nos essa parábola.
16 यीशु कहलथिन, “की अहूँ सभ एखन तक नहि बुझलहुँ?
16 Jesus, porém, disse: Até vós mesmos estais ainda sem entender?
17 की अहाँ सभ नहि बुझैत छी जे, जे किछु मुँह मे जाइत अछि से पेट मे जा कऽ देह सँ बाहर भऽ जाइत अछि?
17 Ainda não compreendeis que tudo o que entra pela boca desce para o ventre e é lançado fora?
18 मुदा जे बात मुँह सँ बहराइत अछि से हृदय सँ निकलि कऽ अबैत अछि आ से मनुष्य केँ अशुद्ध बनबैत अछि।
18 Mas o que sai da boca procede do coração, e isso contamina o homem.
19 कारण, हृदय सँ निकलैत अछि विभिन्न तरहक गलत विचार, हत्या, परस्त्रीगमन, अनैतिक शारीरिक सम्बन्ध, चोरी, झूठ गवाही, निन्दाक बात,
19 Porque do coração procedem os maus pensamentos, mortes, adultérios, prostituição, furtos, falsos testemunhos e blasfêmias.
20 आ यैह बात सभ मनुष्य केँ अशुद्ध करैत अछि, नहि कि बिनु हाथ धोने भोजन करब, से।”
20 São essas
21 ओतऽ सँ आगाँ बढ़ि यीशु सूर आ सीदोन नगरक इलाका मे गेलाह।
21 E, partindo Jesus dali, foi para as partes de Tiro e de Sidom.
22 ओहिठामक एक कनानी स्त्री हुनका लग आबि चिचियाय लगलनि जे, “हे प्रभु, दाऊदक पुत्र, हमरा पर दया करू! हमरा बेटी केँ दुष्टात्मा लागल छै। ओ ओकरा बड्ड कष्ट दैत छैक।”
22 E eis que uma mulher cananeia, que saíra daquelas cercanias, clamou, dizendo: Senhor, Filho de Davi, tem misericórdia de mim, que minha filha está miseravelmente endemoninhada.
23 मुदा यीशु ओकरा कोनो उत्तर नहि देलथिन। तखन हुनकर शिष्य सभ हुनका लग आबि कऽ विनती कयलथिन जे, “एकरा विदा कऽ दिऔक, ई तँ चिचियाइत-चिचियाइत अपना सभक पाछाँ लागल अछि।”
23 Mas ele não lhe respondeu palavra. E os seus discípulos, chegando ao pé dele, rogaram-lhe, dizendo: Despede-a, que vem gritando atrás de nós.
24 यीशु कहलथिन, “हम तँ मात्र इस्राएल वंशक हेरायल भेँड़ा सभक लेल पठाओल गेल छी।”
24 E ele, respondendo, disse: Eu não fui enviado senão às ovelhas perdidas da casa de Israel.
25 मुदा ओ स्त्री यीशु लग आबि हुनका पयर पर खसि पड़लनि आ कहलकनि, “प्रभु, हमरा पर दया करू!”
25 Então, chegou ela e adorou-o, dizendo: Senhor, socorre-me.
26 ओ उत्तर देलथिन, “बच्चा सभक लेल जे रोटी अछि तकरा कुकुरक आगाँ फेकि देब से ठीक बात नहि।”
26 Ele, porém, respondendo, disse: Não é bom pegar o pão dos filhos e deitá-lo aos cachorrinhos.
27 एहि पर स्त्री बाजल, “ठीक कहैत छी प्रभु, मुदा कुकुरो सभ तँ मालिकक टेबुल सँ खसल चुर-चार खाइते अछि।”
27 E ela disse: Sim, Senhor, mas também os cachorrinhos comem das migalhas que caem da mesa dos seus senhores.
28 तखन यीशु ओकरा कहलथिन, “हे दाइ, तोहर विश्वास बड्ड पैघ छह! जहिना तोँ चाहैत छह, तहिना तोरा लेल होअह।” ओकर बच्ची तखने स्वस्थ भऽ गेलैक।
28 Então, respondeu Jesus e disse-lhe: Ó mulher, grande E, desde aquela hora, a sua filha ficou sã.
29 यीशु ओतऽ सँ विदा भऽ कऽ गलील झीलक काते-कात चललाह। तखन एक पहाड़ पर चढ़ि कऽ बैसि रहलाह।
29 Partindo Jesus dali, chegou ao pé do mar da Galileia e, subindo a um monte, assentou-se lá.
30 झुण्डक-झुण्ड लोक हुनका लग अयलनि। ओ सभ अपना संग लुल्ह, आन्हर, नाङड़, बौक और बहुतो दोसर तरहक बिमार लोक सभ केँ लऽ कऽ आयल आ यीशुक चरण मे राखि देलकनि। यीशु ओहि सभ बिमार केँ स्वस्थ कऽ देलथिन।
30 E veio ter com ele muito povo, que trazia coxos, cegos, mudos, aleijados e outros muitos; e os puseram aos pés de Jesus, e ele os sarou,
31 जमा भेल लोक सभ जखन देखलक जे बौक सभ बाजि रहल अछि, लुल्ह सभ स्वस्थ भऽ गेल अछि, नाङड़ सभ चलि रहल अछि आ आन्हर सभ देखि रहल अछि तखन ओ सभ आश्चर्यित भऽ इस्राएलक परमेश्वर केँ स्तुति करऽ लगलनि।
31 de tal sorte que a multidão se maravilhou vendo os mudos a falar, os aleijados sãos, os coxos a andar, e os cegos a ver; e glorificava o Deus de Israel.
32 यीशु अपन शिष्य सभ केँ बजा कऽ कहलथिन, “हमरा एहि लोक सभ पर दया अबैत अछि। ई सभ तीन दिन सँ हमरा संग अछि आ एकरा सभ लग भोजन करबाक लेल किछु नहि छैक। हम एकरा सभ केँ भूखले घर नहि पठाबऽ चाहैत छी। कतौ एना नहि भऽ जाइक जे ई सभ रस्ते मे भूखक मारे मुर्छित भऽ जाय।”
32 E Jesus, chamando os seus discípulos, disse: Tenho compaixão da multidão, porque já está comigo há três dias e não tem o que comer, e não quero despedi-la em jejum, para que não desfaleça no caminho.
33 शिष्य सभ कहलथिन, “एहि निर्जन स्थान मे अपना सभ केँ एतेक भोजनक वस्तु कतऽ सँ भेटत जे अपना सभ एतेकटा भीड़ केँ भोजन करा सकबैक?”
33 E os seus discípulos disseram-lhe: Donde nos viriam num deserto tantos pães, para saciar tal multidão?
34 यीशु हुनका सभ सँ पुछलथिन, “अहाँ सभ लग कयटा रोटी अछि?” ओ सभ कहलथिन, “सातटा, आ किछु छोटकी माछ।”
34 E Jesus disse-lhes: Quantos pães tendes? E eles disseram: Sete e uns poucos peixinhos.
35 यीशु लोक सभ केँ जमीन पर बैसि जयबाक लेल आदेश देलथिन।
35 Então, mandou à multidão que se assentasse no chão.
36 तकरबाद यीशु ओ सातो रोटी आ माछ सभ लऽ कऽ परमेश्वर केँ धन्यवाद देलनि, तखन तोड़ि-तोड़ि कऽ शिष्य सभ केँ परसबाक लेल देलथिन। शिष्य सभ ओकरा लोक सभ मे बाँटि देलथिन।
36 E, tomando os sete pães e os peixes e dando graças, partiu-os e deu-os aos seus discípulos, e os discípulos, à multidão.
37 सभ केओ भरि पेट भोजन कयलक। भोजनक बाद शिष्य सभ उबरल टुकड़ा सभ सात टोकरी मे भरि कऽ जमा कयलनि।
37 E todos comeram e se saciaram, e levantaram, do que sobejou, sete cestos cheios de pedaços.
38 भोजन करऽ वला लोक मे स्त्रीगण आ बच्चा सभ केँ छोड़ि पुरुषक संख्या चारि हजार छल।
38 Ora, os que tinham comido eram quatro mil homens, além de mulheres e crianças.
39 भोजन करौलाक बाद लोकक भीड़ केँ विदा कऽ कऽ यीशु नाव पर चढ़ि कऽ मगदन क्षेत्र चल गेलाह।
39 E, tendo despedido a multidão, entrou no barco e dirigiu-se ao território de Magdala.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 15, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.