Lucas 24

jivən səndesh (MAI) vs NAA

Sair da comparação
NAA Nova Almeida Atualizada 2017
1 विश्राम-दिनक प्रात भेने, अर्थात् सप्‍ताहक पहिल दिन, भोरे-भोर ओ स्‍त्रीगण सभ अपन तैयार कयल सुगन्‍धित तेल सभ लऽ कऽ कबर पर गेलीह।
1 Mas, no primeiro dia da semana, alta madrugada, as mulheres foram ao túmulo, levando os óleos aromáticos que haviam preparado.
2 ओतऽ पहुँचला पर ओ सभ देखलनि जे कबरक मुँह पर जे पाथर राखल छलैक, से एक कात हटाओल गेल अछि।
2 Encontraram a pedra removida do túmulo,
3 मुदा ओ सभ जखन कबरक भीतर गेलीह तँ प्रभु यीशुक लास नहि देखलनि।
3 mas, ao entrar, não acharam o corpo do Senhor Jesus.
4 एहि पर ओ सभ सोच मे पड़ि गेलीह जे, ई की भेल? ताबते मे चमकैत वस्‍त्र पहिरने दू पुरुष हुनका सभ लग आबि ठाढ़ भऽ गेलनि।
4 Aconteceu que, perplexas a esse respeito, apareceram-lhes dois homens com roupas resplandecentes.
5 ओ सभ डरेँ मूड़ी झुका कऽ नीचाँ मुँहें देखऽ लगलीह। ओ दूनू पुरुष हुनका सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ जीवित आदमी केँ मुइल सभ मे किएक ताकि रहल छियनि?
5 Estando elas com muito medo e baixando os olhos para o chão, eles disseram: — Por que vocês estão procurando entre os mortos aquele que vive?
6 ओ एतऽ नहि छथि, जीबि उठल छथि! ओ गलील मे रहैत काल अहाँ सभ केँ की कहने रहथि, से मोन पाड़ू।
6 Ele não está aqui, mas ressuscitou. Lembrem-se do que ele falou para vocês, estando ainda na Galileia:
7 ई जे, मनुष्‍य-पुत्र केँ पापी सभक हाथ मे सौंपल जयनाइ, क्रूस पर चढ़ाओल जयनाइ और तेसर दिन जीबि उठनाइ आवश्‍यक छनि।”
7 “É necessário que o Filho do Homem seja entregue nas mãos de pecadores, seja crucificado e ressuscite no terceiro dia.”
8 तखन यीशुक ई कहल बात हुनका सभ केँ मोन पड़लनि।
8 Então elas se lembraram das palavras de Jesus.
9 कबर पर सँ घूमि आबि कऽ ओ सभ ई सभ बात एगारहो शिष्‍य केँ और आरो लोक सभ केँ सुनौलथिन।
9 E, voltando do túmulo, anunciaram todas estas coisas aos onze e a todos os outros que estavam com eles.
10 जे स्‍त्रीगण सभ ई बात सभ मसीह-दूत लोकनि केँ सुनौलथिन, से ई सभ छलीह—मरियम मग्‍दलीनी, योअन्‍ना, याकूबक माय मरियम और हुनकर सभक आरो संगी सभ।
10 Essas mulheres eram Maria Madalena, Joana e Maria, mãe de Tiago; também as demais que estavam com elas confirmaram estas coisas aos apóstolos.
11 मुदा मसीह-दूत सभ केँ ई सभ बात बताहे वला बुझयलनि और ओ सभ विश्‍वास नहि कयलथिन।
11 Mas para eles tais palavras pareciam um delírio; eles não acreditaram no que as mulheres diziam.
12 तैयो पत्रुस उठि कऽ कबर पर दौड़ैत गेलाह। ओ निहुड़ि कऽ भीतर तकलनि तँ मात्र मलमल वला पट्टी सभ एक कात पड़ल देखलनि। एहि बात सँ आश्‍चर्यित होइत ओ घूमि अयलाह।
12 Pedro, porém, levantando-se, correu ao túmulo. E, abaixando-se, viu somente os lençóis de linho e nada mais; e retirou-se para casa, admirado com o que tinha acontecido.
13 ओही दिन यीशुक संगी मे सँ दू व्‍यक्‍ति इम्‍माउस नामक गाम जा रहल छलाह, जे यरूशलेम सँ करीब चारि कोस दूर अछि।
13 Naquele mesmo dia, dois discípulos estavam indo para uma aldeia chamada Emaús, que ficava a uns dez quilômetros de Jerusalém.
14 ओ सभ बाट मे एहि बितल घटना सभक बारे मे अपना मे गप्‍प-सप्‍प कऽ रहल छलाह।
14 E iam conversando a respeito de tudo o que tinha acontecido.
15 गप्‍प-सप्‍प और विचार-विमर्श करैत काल यीशु स्‍वयं हुनका सभक लग आबि संग-संग चलऽ लगलाह।
15 Enquanto conversavam e discutiam, o próprio Jesus se aproximou e ia com eles.
16 मुदा हुनका सभक नजरि तेना बन्‍द कयल गेल छलनि जे ओ सभ यीशु केँ नहि चिन्‍हि सकलथिन।
16 Porém os olhos deles estavam como que impedidos de o reconhecer.
17 ओ हुनका सभ सँ पुछलथिन, “अहाँ सभ चलैत-चलैत अपना मे की गप्‍प-सप्‍प कऽ रहल छी?”
17 Então ele lhes perguntou: E eles pararam entristecidos.
18 ओहि मेहक एक गोटे जिनकर नाम क्‍लियोपास छलनि, से यीशु केँ कहलथिन, “यरूशलेम मे अहींटा एहन प्रवासी होयब जकरा बुझल नहि छैक जे हाल मे की घटना सभ भेल!”
18 Um, porém, chamado Cleopas, respondeu: — Será que você é o único que esteve em Jerusalém e não sabe o que aconteceu lá, nestes últimos dias?
19 यीशु पुछलथिन, “कोन घटना सभ?”
19 Ele lhes perguntou: Eles explicaram: — Aquilo que aconteceu com Jesus, o Nazareno, que era profeta, poderoso em obras e palavras, diante de Deus e de todo o povo,
20 मुख्‍यपुरोहित सभ और हमरा सभक महासभाक अधिकारी सभ हुनका मृत्‍युदण्‍ड दिअयबाक लेल राज्‍यपालक हाथ मे सौंपि देलथिन, आ क्रूस पर चढ़ा कऽ मरबा देलथिन।
20 e como os principais sacerdotes e as nossas autoridades o entregaram para ser condenado à morte e o crucificaram.
21 हमरा सभ केँ तँ आशा छल जे यैह इस्राएल केँ छुटकारा दिऔताह। और एतबे नहि, एक बात आओर अछि—आइ तीन दिन भेल ई घटना सभ भेला,
21 Nós esperávamos que fosse ele quem havia de redimir Israel. Mas, depois de tudo isto, já estamos no terceiro dia desde que essas coisas aconteceram.
22 और आइ हमर सभक किछु स्‍त्रीगण सभ हमरा सभ केँ आश्‍चर्यित कऽ देलनि। ओ सभ आइ भोरे-भोर कबर पर गेलीह
22 É verdade também que algumas mulheres do nosso grupo nos surpreenderam. Indo de madrugada ao túmulo
23 मुदा हुनकर लास हुनका सभ केँ नहि भेटलनि। ओ सभ आबि कऽ हमरा सभ केँ कहलनि जे एना-एना स्‍वर्गदूतक दर्शन भेल आ स्‍वर्गदूत कहलनि जे ओ जीविते छथि।
23 e não achando o corpo de Jesus, voltaram dizendo que tinham tido uma visão de anjos, os quais afirmam que ele vive.
24 एहि पर हमरा सभक किछु संगी सभ कबर पर गेलाह, आ जहिना स्‍त्रीगण सभ कहने छलीह, तहिना हुनका सभ केँ सभ किछु भेटलनि, मुदा यीशु केँ ओ सभ नहि देखलनि।”
24 De fato, alguns dos nossos foram ao túmulo e verificaram a exatidão do que as mulheres disseram; mas não o viram.
25 ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ कतेक निर्बुद्धि छी! प्रभुक प्रवक्‍ता लोकनिक सभ कथन पर अहाँ सभ विश्‍वास करबाक लेल किएक नहि तैयार भेलहुँ?
25 Então ele lhes disse:
26 की मसीह केँ दुःख उठौलाक बादे अपना स्‍वर्गिक महिमा मे प्रवेश नहि करबाक छलनि?”
26 Não é verdade que o Cristo tinha de sofrer e entrar na sua glória?
27 तखन यीशु मूसाक और अन्‍य प्रवक्‍ता सभक लेख सँ शुरू कऽ कऽ सम्‍पूर्ण धर्मशास्‍त्र मे अपना बारे मे लिखल बात सभ हुनका सभ केँ बुझाबऽ लगलथिन।
27 E, começando por Moisés e todos os Profetas, explicou-lhes o que constava a respeito dele em todas as Escrituras.
28 ताबते मे ओ सभ ओहि गाम लग पहुँचलाह जतऽ जयबाक छलनि, और यीशु एना देखौलथिन जेना ओ आगाँ जाय चाहैत होथि।
28 Quando se aproximavam da aldeia para onde iam, ele fez menção de passar adiante.
29 मुदा ओ सभ हुनका सँ बहुत आग्रह कयलनि जे, “देखू, साँझ पड़ऽ वला अछि, आब अन्‍हार होयत। हमरा सभक संग आइ रहि जाउ।” तखन यीशु हुनका सभक संग रहबाक लेल घरक भीतर गेलाह।
29 Mas eles o convenceram a ficar, dizendo: — Fique conosco, porque é tarde, e o dia já está chegando ao fim. E entrou para ficar com eles.
30 यीशु जखन हुनका सभक संग भोजन करबाक लेल बैसलाह तँ रोटी लेलनि, और परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दऽ कऽ रोटी तोड़ि हुनका सभ केँ देबऽ लगलथिन।
30 E aconteceu que, quando estavam à mesa, ele pegou o pão e o abençoou; depois, partiu o pão e o deu a eles.
31 तखन हुनका सभक नजरि खुलि गेलनि और ओ सभ हुनका चिन्‍हि लेलथिन। तकरबाद तुरत्ते यीशु बिला गेलाह।
31 Então os olhos deles se abriram, e eles reconheceram Jesus; mas ele desapareceu da presença deles.
32 तखन ओ सभ एक-दोसर केँ कहऽ लगलाह, “बाट मे चलैत काल ओ जखन अपना सभ सँ बात-चीत कयलनि आ धर्मशास्‍त्रक अर्थ बुझा देलनि, तँ अपना सभक हृदय आनन्‍द सँ केहन धक-धक करैत छल!”
32 E disseram um ao outro: — Não é verdade que o coração nos ardia no peito, quando ele nos falava pelo caminho, quando nos explicava as Escrituras?
33 ओ सभ तुरत्ते उठि कऽ यरूशलेम घूमि गेलाह। ओतऽ हुनका सभ केँ एगारहो शिष्‍य और अन्‍य संगी-साथी सभ एक ठाम जमा भेल भेटलथिन।
33 E, na mesma hora, levantando-se, voltaram para Jerusalém, onde acharam reunidos os onze e outros com eles,
34 शिष्‍य सभ कहि रहल छलाह जे, “सत्‍ये अछि! प्रभु जीबि उठल छथि! ओ सिमोन केँ दर्शन देलनि अछि।”
34 os quais diziam: — De fato, o Senhor ressuscitou e já apareceu a Simão!
35 तखन इहो दूनू गोटे हुनका सभ केँ बाट मे भेल बात सभक विषय मे कहि सुनौलथिन, आ कहलथिन, “ओ जखन रोटी तोड़लनि तखन हम सभ हुनका चिन्‍हि लेलियनि।”
35 Então os dois contaram o que lhes tinha acontecido no caminho e como tinham reconhecido o Senhor no partir do pão.
36 ओ सभ ई बात सभ सुनबिते छलथिन कि यीशु स्‍वयं हुनका सभक बीच मे प्रगट भेलथिन और कहलथिन, “अहाँ सभ केँ शान्‍ति भेटय।”
36 Falavam eles ainda estas coisas quando Jesus apareceu no meio deles e lhes disse:
37 ओ सभ हुनका भूत बुझि अकचका कऽ भयभीत भऽ गेलाह।
37 Eles, porém, ficaram assustados e com medo, pensando que estavam vendo um espírito.
38 यीशु कहलथिन, “अहाँ सभ किएक घबड़ायल छी? मोन मे शंका किएक उठैत अछि?
38 Mas ele lhes disse:
39 हमर हाथ-पयर देखू। हमहीं छी! हमरा छुबि कऽ देखू! भूत-प्रेत केँ तँ एना हाड़-माँसु सभ नहि होइत छैक जेना अहाँ सभ हमरा देखि रहल छी।”
39 Vejam as minhas mãos e os meus pés, que sou eu mesmo. Toquem em mim e vejam que é verdade, porque um espírito não tem carne nem ossos, como vocês estão vendo que eu tenho.
40 ई कहि ओ हुनका सभ केँ अपन हाथ-पयर देखौलथिन।
40 Dizendo isto, mostrou-lhes as mãos e os pés.
41 हुनका सभ केँ ततेक ने आनन्‍द भेलनि जे तखनो विश्‍वास नहि भेलनि, आश्‍चर्य मे डुबल छलाह। तेँ यीशु पुछलथिन, “की अहाँ सभ लग किछु खयबाक वस्‍तु अछि?”
41 E, por não acreditarem eles ainda, por causa da alegria, e como estavam admirados, Jesus lhes disse:
42 ओ सभ हुनका पकाओल माछक कुटिआ देलथिन।
42 Então lhe apresentaram um pedaço de peixe assado,
43 ओ लऽ कऽ हुनका सभक सामने खयलनि।
43 e ele comeu na presença deles.
44 यीशु कहलथिन, “हम जखन अहाँ सभक संग छलहुँ तँ अहाँ सभ केँ ई कहने छलहुँ जे, मूसाक धर्म-नियम, प्रभुक प्रवक्‍ता सभक लेख और भजन-संग्रहक पुस्‍तक मे हमरा विषय मे जे किछु लिखल अछि, से सभ बात पूरा होयब आवश्‍यक अछि।”
44 A seguir, Jesus lhes disse:
45 तखन ओ हुनका सभ केँ धर्मशास्‍त्रक बात बुझबाक लेल बुद्धि देलथिन।
45 Então lhes abriu o entendimento para compreenderem as Escrituras.
46 ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “धर्मशास्‍त्र मे ई लिखल अछि जे, उद्धारकर्ता-मसीह दुःख उठौताह आ तेसर दिन मृत्‍यु सँ जीबि उठताह,
46 E disse-lhes:
47 और यरूशलेम सँ शुरू कऽ पृथ्‍वीक सभ जातिक लोक मे हुनकर नाम सँ एहि बातक प्रचार कयल जायत जे, अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करू आ पापक क्षमा प्राप्‍त करू।
47 e que em seu nome se pregasse arrependimento para remissão de pecados a todas as nações, começando em Jerusalém.
48 अहाँ सभ एहि बात सभक गवाह छी।
48 Vocês são testemunhas destas coisas.
49 हमर पिता अहाँ सभ केँ जे किछु देबाक वचन देलनि, से हम अहाँ सभ केँ आब पठा देब। मुदा जा धरि अहाँ सभ केँ ऊपर सँ सामर्थ्‍य प्राप्‍त नहि होयत, ता धरि अहाँ सभ एहि शहर मे रूकल रहू।”
49 Eis que envio sobre vocês a promessa de meu Pai; permaneçam, pois, na cidade, até que vocês sejam revestidos do poder que vem do alto.
50 यीशु हुनका सभ केँ बेतनिया गाम दिस लऽ गेलथिन, और अपन हाथ उठा कऽ हुनका सभ केँ आशीर्वाद देलथिन।
50 Então Jesus os levou para fora, até Betânia. E, erguendo as mãos, os abençoou.
51 आशीर्वाद दैत काल ओ हुनका सभ सँ अलग भऽ गेलाह, और स्‍वर्ग मे उठा लेल गेलाह।
51 Aconteceu que, enquanto os abençoava, ia-se retirando deles, sendo elevado para o céu.
52 शिष्‍य सभ हुनकर आराधना कयलनि और अत्‍यन्‍त आनन्‍दक संग यरूशलेम घूमि अयलाह।
52 Então eles, adorando-o, voltaram para Jerusalém cheios de alegria.
53 ओ सभ परमेश्‍वरक स्‍तुति-प्रशंसा करैत अपन सम्‍पूर्ण समय मन्‍दिर मे व्‍यतीत करऽ लगलाह।
53 E estavam sempre no templo, louvando a Deus.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Lucas 24, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.