Lucas 23

jivən səndesh (MAI) vs ARA

Sair da comparação
ARA Almeida Revista e Atualizada 1993
1 तखन पूरा सभा उठि कऽ यीशु केँ राज्‍यपाल पिलातुसक सामने लऽ गेलनि।
1 Levantando-se toda a assembleia, levaram Jesus a Pilatos.
2 ओ सभ हुनका पर अभियोग लगाबऽ लागल जे, “एकरा हम सभ जनता केँ भड़कबैत पौलिऐक। ओ सम्राट-कैसर केँ कर देनाइ मना करैत अछि, और अपना केँ मसीह, अर्थात् राजा, कहैत अछि।”
2 E ali passaram a acusá-lo, dizendo: Encontramos este homem pervertendo a nossa nação, vedando pagar tributo a César e afirmando ser ele o Cristo, o Rei.
3 एहि पर पिलातुस हुनका सँ पुछलथिन, “की अहाँ यहूदी सभक राजा छी?”
3 Então, lhe perguntou Pilatos: És tu o rei dos judeus? Respondeu Jesus: Tu o dizes.
4 तखन पिलातुस मुख्‍यपुरोहित सभ और लोकक भीड़ केँ कहलथिन, “एहि आदमी मे हम कोनो दोष नहि देखैत छी।”
4 Disse Pilatos aos principais sacerdotes e às multidões: Não vejo neste homem crime algum.
5 मुदा ओ सभ आओर जोर दऽ कऽ कहलकनि, “ओ अपन सिद्धान्‍तक द्वारा जनता केँ भड़कबैत अछि। गलील प्रदेश सँ शुरू कऽ कऽ एहिठाम तक आबि ओ समस्‍त यहूदिया प्रदेश मे अपन शिक्षा दैत आयल अछि।”
5 Insistiam, porém, cada vez mais, dizendo: Ele alvoroça o povo, ensinando por toda a Judeia, desde a Galileia, onde começou, até aqui.
6 ई सुनि पिलातुस पुछलथिन, “की ई आदमी गलील प्रदेशक अछि?”
6 Tendo Pilatos ouvido isto, perguntou se aquele homem era galileu.
7 और ई बुझि जे यीशु हेरोदक अधिकार-क्षेत्रक छथि, ओ हुनका हेरोदक ओहिठाम पठा देलथिन। हेरोद ओहि समय मे यरूशलेमे मे छलाह।
7 Ao saber que era da jurisdição de Herodes, estando este, naqueles dias, em Jerusalém, lho remeteu.
8 हेरोद यीशु केँ देखि कऽ बहुत प्रसन्‍न भेलाह, किएक तँ ओ हुनका विषय मे बहुत किछु सुनने छलाह, और बहुत दिन सँ हुनका देखबाक इच्‍छा छलनि। ओ आशा रखने छलाह जे यीशु कोनो चमत्‍कार करताह, से हम देखब।
8 Herodes, vendo a Jesus, sobremaneira se alegrou, pois havia muito queria vê-lo, por ter ouvido falar a seu respeito; esperava também vê-lo fazer algum sinal.
9 तेँ ओ यीशु सँ बहुत काल तक प्रश्‍न करैत रहलाह, मुदा ई हुनका कोनो उत्तर नहि देलथिन।
9 E de muitos modos o interrogava; Jesus, porém, nada lhe respondia.
10 मुख्‍यपुरोहित और धर्मशिक्षक सभ ओतऽ ठाढ़ भऽ कऽ जोर-जोर सँ बाजि कऽ यीशु पर अभियोग लगा रहल छलाह।
10 Os principais sacerdotes e os escribas ali presentes o acusavam com grande veemência.
11 तखन राजा हेरोद और हुनकर सैनिक सभ यीशुक अपमान कयलथिन और हँसी उड़ौलथिन। हुनका राजसी वस्‍त्र पहिरा कऽ पिलातुस लग घुमा देलथिन।
11 Mas Herodes, juntamente com os da sua guarda, tratou-o com desprezo, e, escarnecendo dele, fê-lo vestir-se de um manto aparatoso, e o devolveu a Pilatos.
12 हेरोद और पिलातुस, जे पहिने एक-दोसराक कट्टर दुश्‍मन छलाह, से ओही दिन सँ मित्र बनि गेलाह।
12 Naquele mesmo dia, Herodes e Pilatos se reconciliaram, pois, antes, viviam inimizados um com o outro.
13 तखन पिलातुस मुख्‍यपुरोहित सभ, नेता सभ और जनता केँ बजा कऽ कहलथिन,
13 Então, reunindo Pilatos os principais sacerdotes, as autoridades e o povo,
14 “अहाँ सभ एहि आदमी केँ हमरा सामने पेश कऽ कऽ ई अभियोग लगौलिऐक जे, ई आदमी जनता केँ बहका कऽ आन्‍दोलन कराबऽ चाहैत अछि। हम अहाँ सभक सामने एकर जाँच कयलहुँ, और जाहि बातक अभियोग अहाँ सभ एकरा पर लगा रहल छिऐक, ताहि सम्‍बन्‍ध मे हम एकरा दोषी नहि पबैत छी।
14 disse-lhes: Apresentastes-me este homem como agitador do povo; mas, tendo-o interrogado na vossa presença, nada verifiquei contra ele dos crimes de que o acusais.
15 और हेरोदो दोषी नहि पौलनि, कारण, ओ एकरा हमरा लग फेर घुमा देलनि। स्‍पष्‍ट अछि जे ई तेहन कोनो काज नहि कयने अछि जाहि सँ एकरा मृत्‍युदण्‍ड देल जाइक।
15 Nem tampouco Herodes, pois no-lo tornou a enviar. É, pois, claro que nada contra ele se verificou digno de morte.
16 तेँ हम आब एकरा दण्‍ड दऽ कऽ छोड़ि दैत छिऐक।”
16 Portanto, após castigá-lo, soltá-lo-ei.
17 [फसह-पाबनिक अवसर पर हुनका कोनो कैदी केँ छोड़ि देबाक छलनि।]
17 [E era-lhe forçoso soltar-lhes um detento por ocasião da festa.]
18 मुदा ओ सभ एक संग जोर-जोर सँ हल्‍ला करैत कहलक जे, “एकरा खतम करू! हमरा सभक लेल बरब्‍बा केँ छोड़ि दिअ!”
18 Toda a multidão, porém, gritava: Fora com este! Solta-nos Barrabás!
19 बरब्‍बा एक कैदी छल जे नगर मे कोनो विद्रोहक कारणेँ आ हत्‍याक अपराध मे जहल मे राखि देल गेल छल।
19 Barrabás estava no cárcere por causa de uma sedição na cidade e também por homicídio.
20 पिलातुस यीशु केँ मुक्‍त करबाक इच्‍छा सँ लोक सभ केँ फेर मनयबाक प्रयत्‍न कयलनि,
20 Desejando Pilatos soltar a Jesus, insistiu ainda.
21 मुदा ओ सभ नारा लगाबऽ लागल जे, “क्रूस पर चढ़ाउ! ओकरा क्रूस पर चढ़ाउ!”
21 Eles, porém, mais gritavam: Crucifica-o! Crucifica-o!
22 तेसर बेर पिलातुस ओकरा सभ केँ कहलथिन, “किएक? ई कोन अपराध कयने अछि? हम एकरा मे एहन कोनो दोष नहि देखैत छी जाहि कारणेँ एकरा मृत्‍युदण्‍ड देल जाइक। तेँ हम एकरा दण्‍ड दऽ कऽ छोड़ि दैत छिऐक।”
22 Então, pela terceira vez, lhes perguntou: Que mal fez este? De fato, nada achei contra ele para condená-lo à morte; portanto, depois de o castigar, soltá-lo-ei.
23 मुदा ओ सभ जोर-जोर सँ हल्‍ला कऽ कऽ पिलातुस सँ जिद्द कयलक जे, “ओकरा क्रूसे पर चढ़ाउ।” ओकर सभक हल्‍लाक कारणेँ ओकरा सभक जीत भेलैक।
23 Mas eles instavam com grandes gritos, pedindo que fosse crucificado. E o seu clamor prevaleceu.
24 पिलातुस ओकर सभक माँग पूरा करबाक निर्णय कयलनि।
24 Então, Pilatos decidiu atender-lhes o pedido.
25 विद्रोह और हत्‍याक कारणेँ जहल मे बन्‍द कयल गेल अपराधी, जकरा छोड़ि देबाक माँग ओ सभ कयने छलैक, तकरा ओ छोड़ि देलथिन, आ यीशु केँ ओकरा सभक इच्‍छा पर दऽ देलथिन।
25 Soltou aquele que estava encarcerado por causa da sedição e do homicídio, a quem eles pediam; e, quanto a Jesus, entregou-o à vontade deles.
26 ओ सभ यीशु केँ जखन लऽ जा रहल छलनि, तँ कुरेन नगरक सिमोन नामक एक आदमी, जे गाम सँ शहर दिस आबि रहल छल, तकरा पकड़ि कऽ ओकरा पर यीशुक क्रूस लादि देलकैक, जाहि सँ ओ यीशुक पाछाँ-पाछाँ क्रूस केँ लऽ चलय।
26 E, como o conduzissem, constrangendo um cireneu, chamado Simão, que vinha do campo, puseram-lhe a cruz sobre os ombros, para que a levasse após Jesus.
27 यीशुक पाछाँ बड़का भीड़ जा रहल छल। ओहि मे बहुत स्‍त्रीगणो सभ छलीह, जे हुनका लेल शोक आ विलाप कऽ रहल छलीह।
27 Seguia-o numerosa multidão de povo, e também mulheres que batiam no peito e o lamentavam.
28 यीशु घूमि कऽ हुनका सभ केँ कहलथिन, “हे यरूशलेमक बेटी सभ! हमरा लेल नहि कानू, बरु अपना लेल और अपना धिआ-पुता सभक लेल कानू।
28 Porém Jesus, voltando-se para elas, disse: Filhas de Jerusalém, não choreis por mim; chorai, antes, por vós mesmas e por vossos filhos!
29 कारण, तेहन समय आओत जहिया अहाँ सभ कहब जे, ‘कतेक धन्‍य ओ स्‍त्रीगण सभ अछि जकरा बाल-बच्‍चा नहि भेलैक, हँ, ओ सभ, जे धिआ-पुता केँ जन्‍म नहि देलक, जे कहियो दूध नहि पिऔलक!’
29 Porque dias virão em que se dirá: Bem-aventuradas as estéreis, que não geraram, nem amamentaram.
30 तखन,
30 Nesses dias, dirão aos montes: Caí sobre nós! E aos outeiros: Cobri-nos!
31 कारण, जँ हरियर गाछक संग ओ सभ एना करैत अछि, तँ सुखायलक संग की नहि करतैक?”
31 Porque, se em lenho verde fazem isto, que será no lenho seco?
32 यीशुक संग आरो दू आदमी, जे अपराधी छल, तकरो मृत्‍युदण्‍डक लेल लऽ गेल गेलैक।
32 E também eram levados outros dois, que eram malfeitores, para serem executados com ele.
33 ओहि स्‍थान पर पहुँचि कऽ जे “खप्‍पड़” कहबैत अछि, सिपाही सभ यीशु केँ हाथ-पयर मे काँटी ठोकि कऽ क्रूस पर टाँगि देलकनि, ओहिना ओहि दूनू अपराधी केँ सेहो, एकटा केँ हुनकर दहिना कात आ दोसर केँ बामा कात।
33 Quando chegaram ao lugar chamado Calvário, ali o crucificaram, bem como aos malfeitores, um à direita, outro à esquerda.
34 क्रूस पर चढ़ाओल गेलाक बाद यीशु बजलाह, “यौ पिता, एकरा सभ केँ क्षमा करिऔक, किएक तँ ई सभ नहि जनैत अछि जे की कऽ रहल अछि।” तखन सैनिक सभ पुरजी खसा कऽ यीशुक वस्‍त्र अपना मे बाँटि लेलक।
34 Contudo, Jesus dizia: Pai, perdoa-lhes, porque não sabem o que fazem. Então, repartindo as vestes dele, lançaram sortes.
35 लोक सभ ओतऽ ठाढ़ भऽ कऽ ई सभ देखि रहल छल। यहूदी अधिकारी सभ यीशुक हँसी उड़बैत कहैत छल, “ई आन लोक सभ केँ बचौलक। ई जँ परमेश्‍वरक पठाओल मसीह अछि, जँ परमेश्‍वरक चुनल व्‍यक्‍ति अछि, तँ अपना केँ बचाबओ!”
35 O povo estava ali e a tudo observava. Também as autoridades zombavam e diziam: Salvou os outros; a si mesmo se salve, se é, de fato, o Cristo de Deus, o escolhido.
36 सैनिक सभ सेहो यीशु लग आबि कऽ हुनकर हँसी उड़ौलकनि। हुनका तिताह दारू पिबाक लेल देलकनि आ कहलकनि,
36 Igualmente os soldados o escarneciam e, aproximando-se, trouxeram-lhe vinagre, dizendo:
37 “तोँ जँ यहूदी सभक राजा छेँ तँ अपना केँ बचा!”
37 Se tu és o rei dos judeus, salva-te a ti mesmo.
38 हुनका मूड़ीक उपर एकटा सूचना टाँगल छल, जाहि पर लिखल छलैक, “ई यहूदी सभक राजा अछि।”
38 Também sobre ele estava esta epígrafe [em letras gregas, romanas e hebraicas]: Este é o Rei dos Judeus .
39 यीशुक कात मे टाँगल एक अपराधी हुनकर निन्‍दा करैत कहलकनि, “की तोँ उद्धारकर्ता-मसीह नहि छेँ? अपना केँ बचा, आ हमरो सभ केँ बचा ले!”
39 Um dos malfeitores crucificados blasfemava contra ele, dizendo: Não és tu o Cristo? Salva-te a ti mesmo e a nós também.
40 मुदा दोसर अपराधी ओकरा डाँटि कऽ कहलकैक, “रौ! की तोरा परमेश्‍वरक डर नहि छौ? तोहूँ तँ वैह दण्‍ड भोगि रहल छेँ।
40 Respondendo-lhe, porém, o outro, repreendeu-o, dizendo: Nem ao menos temes a Deus, estando sob igual sentença?
41 हमरा-तोरा तँ ठीक दण्‍ड भेटल अछि। किएक तँ अपना सभ अपना काजक फल भोगि रहल छी, मुदा ई तँ कोनो अपराध नहि कयने अछि।”
41 Nós, na verdade, com justiça, porque recebemos o castigo que os nossos atos merecem; mas este nenhum mal fez.
42 तखन ओ यीशु केँ कहलकनि, “यौ यीशु, अहाँ जखन अपना राज्‍य मे आयब तँ हमरा मोन राखब।”
42 E acrescentou: Jesus, lembra-te de mim quando vieres no teu reino.
43 यीशु उत्तर देलथिन, “हम तोरा सत्‍य कहैत छिअह जे, आइए तोँ हमरा संग स्‍वर्गधाम मे होयबह।”
43 Jesus lhe respondeu: Em verdade te digo que hoje estarás comigo no paraíso.
44 — ausente —
44 Já era quase a hora sexta, e, escurecendo-se o sol, houve trevas sobre toda a terra até à hora nona.
45 — ausente —
45 E rasgou-se pelo meio o véu do santuário.
46 तखन यीशु बहुत जोर सँ बजलाह, “हे पिता, हम अपन आत्‍मा अहाँक हाथ मे सौंपि रहल छी।” ई कहि कऽ ओ प्राण त्‍यागि देलनि।
46 Então, Jesus clamou em alta voz: Pai, nas tuas mãos entrego o meu espírito! E, dito isto, expirou.
47 रोमी कप्‍तान ई सभ बात देखि परमेश्‍वरक स्‍तुति करैत बाजल, “सत्‍ये ई आदमी निर्दोष छल।”
47 Vendo o centurião o que tinha acontecido, deu glória a Deus, dizendo: Verdadeiramente, este homem era justo.
48 जे लोक सभ ई दृश्‍य देखबाक लेल जुटि गेल छल, से सभ जखन देखलक जे की सभ भेल, तँ सभ लोक छाती पिटैत घर जाय लागल।
48 E todas as multidões reunidas para este espetáculo, vendo o que havia acontecido, retiraram-se a lamentar, batendo nos peitos.
49 मुदा हुनकर चिन्‍हल-जानल लोक सभ दूरे ठाढ़ भऽ कऽ ई सभ बात देखि रहल छलाह, जाहि मे हुनका संग गलील प्रदेश सँ आयल स्‍त्रीगण सभ सेहो छलीह।
49 Entretanto, todos os conhecidos de Jesus e as mulheres que o tinham seguido desde a Galileia permaneceram a contemplar de longe estas coisas.
50 — ausente —
50 E eis que certo homem, chamado José, membro do Sinédrio, homem bom e justo
51 — ausente —
51 (que não tinha concordado com o desígnio e ação dos outros), natural de Arimateia, cidade dos judeus, e que esperava o reino de Deus,
52 तँ ओ आदमी पिलातुस लग जा कऽ यीशुक लास माँगि लेलनि।
52 tendo procurado a Pilatos, pediu-lhe o corpo de Jesus,
53 ओ क्रूस सँ लास उतारि कऽ मलमलक कपड़ा मे लपेटलनि, और पाथर काटि कऽ बनाओल कबर मे राखि देलनि। ओहि मे कोनो लास कहियो नहि राखल गेल छल।
53 e, tirando-o do madeiro, envolveu-o num lençol de linho, e o depositou num túmulo aberto em rocha, onde ainda ninguém havia sido sepultado.
54 ई शुक्रदिन, विश्राम-दिनक तैयारीक दिन छल, और विश्राम-दिन शुरू भऽ रहल छल।
54 Era o dia da preparação, e começava o sábado.
55 जे स्‍त्रीगण सभ यीशुक संग गलील प्रदेश सँ आयल छलीह, से सभ यूसुफक पाछाँ-पाछाँ जा कऽ कबर देखलनि और इहो देखलनि जे यीशुक लास ओहि मे कोना राखल गेलनि।
55 As mulheres que tinham vindo da Galileia com Jesus, seguindo, viram o túmulo e como o corpo fora ali depositado.
56 तखन ओ सभ घर जा कऽ यीशुक लास मे लगयबाक लेल सुगन्‍धित तेल और इत्र तैयार कयलनि। मुदा विश्राम-दिन मे ओ सभ धर्म-नियमक आज्ञा मानि कऽ विश्राम कयलनि।
56 Então, se retiraram para preparar aromas e bálsamos. E, no sábado, descansaram, segundo o mandamento.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Lucas 23, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.