João 3
jivən səndesh (MAI) vs NTLH
1 फरिसी सभ मे सँ एक निकोदेमुस नामक आदमी छलाह, जे यहूदी सभक धर्मसभाक सदस्य छलाह।
1 Havia um fariseu chamado Nicodemos, que era líder dos judeus.
2 एक राति ओ यीशु लग आबि कऽ कहलथिन, “गुरुजी, हम सभ जनैत छी जे अपने परमेश्वर द्वारा पठाओल गेल गुरु छी, कारण जँ परमेश्वर संग नहि रहितथि तँ अपने जे चमत्कारपूर्ण चिन्ह सभ देखा रहल छी, से केओ नहि देखा सकैत।”
2 Uma noite ele foi visitar Jesus e disse: — Rabi, nós sabemos que o senhor é um mestre que Deus enviou, pois ninguém pode fazer esses milagres se Deus não estiver com ele.
3 यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “हम अहाँ केँ सत्ये कहैत छी जे, जाबत तक केओ नव जन्म नहि लेत ताबत तक ओ परमेश्वरक राज्य नहि देखि सकत।”
3 Jesus respondeu:
4 निकोदेमुस हुनका कहलथिन, “केओ बूढ़ भऽ कऽ कोना जन्म लेत? की ओ मायक गर्भ मे दोसर बेर प्रवेश कऽ फेर जन्म लऽ सकत?!”
4 Nicodemos perguntou: — Como é que um homem velho pode nascer de novo? Será que ele pode voltar para a barriga da sua mãe e nascer outra vez?
5 यीशु उत्तर देलथिन, “हम अहाँ केँ विश्वास दिअबैत छी जे, जाबत तक केओ जल और आत्मा सँ जन्म नहि लेत ताबत तक ओ परमेश्वरक राज्य मे प्रवेश नहि कऽ सकत।
5 Jesus disse:
6 मनुष्य तँ खाली शारीरिक जन्म दैत अछि, मुदा पवित्र आत्मा आत्मिक जन्म दैत छथि।
6 Quem nasce de pais humanos é um ser de natureza humana; quem nasce do Espírito é um ser de natureza espiritual.
7 तेँ एहि सँ आश्चर्य नहि मानू जे हम अहाँ केँ कहलहुँ जे अहाँ सभ केँ नव जन्म लेबऽ पड़त।
7 Por isso não fique admirado porque eu disse que todos vocês precisam nascer de novo.
8 हवा जतऽ चाहैत अछि ततऽ बहैत अछि। ओकर आवाज सुनैत छी लेकिन कतऽ सँ आबि रहल अछि वा कतऽ जा रहल अछि से नहि जानि सकैत छी। जे आत्मा सँ जन्म लैत अछि, तकरो एहिना होइत छैक।”
8 O vento sopra onde quer, e ouve-se o barulho que ele faz, mas não se sabe de onde ele vem, nem para onde vai. A mesma coisa acontece com todos os que nascem do Espírito.
9 निकोदेमुस हुनका कहलथिन, “ई सभ बात कोना भऽ सकैत अछि?”
9 — Como pode ser isso? — perguntou Nicodemos.
10 यीशु उत्तर देलथिन, “अहाँ इस्राएलक गुरु छी, आ ई बात नहि बुझैत छी?!
10 Jesus respondeu:
11 हम अहाँ केँ सत्ये कहैत छी जे, जे बात हम जनैत छी, वैह बात बजैत छी, मुदा तैयो अहाँ सभ हमरा गवाही केँ स्वीकार नहि करैत छी।
11 Pois eu afirmo ao senhor que isto é verdade: nós falamos daquilo que sabemos e contamos o que temos visto, mas vocês não querem aceitar a nossa mensagem.
12 जखन हम अहाँ केँ पृथ्वी परक बात कहैत छी और अहाँ विश्वास नहि करैत छी, तँ स्वर्गक बात जँ कहब तँ अहाँ केँ कोना विश्वास होयत?
12 Se vocês não creem quando falo das coisas deste mundo, como vão crer se eu falar das coisas do céu?
13 केओ स्वर्ग मे उपर नहि चढ़ल अछि; वैहटा चढ़ल छथि जे स्वर्ग सँ उतरल छथि, अर्थात् मनुष्य-पुत्र।
13 Ninguém subiu ao céu, a não ser o
14 जहिना मूसा निर्जन क्षेत्र मे पित्तरिक साँप केँ ऊपर लटका देलनि, तहिना मनुष्य-पुत्र केँ सेहो अवश्य ऊपर लटकाओल जयतनि
14 — Assim como Moisés, no deserto, levantou a cobra de bronze numa estaca, assim também o Filho do Homem tem de ser levantado,
15 जाहि सँ जे केओ हुनका पर विश्वास करत से अनन्त जीवन प्राप्त करत।
15 para que todos os que crerem nele tenham a vida eterna.
16 “हँ, परमेश्वर संसार सँ एहन प्रेम कयलनि जे ओ अपन एकमात्र बेटा केँ दऽ देलनि, जाहि सँ जे केओ हुनका पर विश्वास करैत अछि से नाश नहि होअय, बल्कि अनन्त जीवन पाबय।
16 Porque Deus amou o mundo tanto, que deu o seu único Filho, para que todo aquele que nele crer não morra, mas tenha a vida eterna.
17 परमेश्वर तँ अपना बेटा केँ संसार मे एहि लेल नहि पठौलनि जे ओ संसार केँ दोषी ठहरबथि, बल्कि एहि लेल जे हुनका द्वारा संसारक उद्धार होअय।
17 Pois Deus mandou o seu Filho para salvar o mundo e não para julgá-lo.
18 जे व्यक्ति हुनका पर विश्वास करैत अछि से दोषी नहि ठहराओल जाइत अछि, मुदा जे व्यक्ति हुनका पर विश्वास नहि करैत अछि, से दोषी ठहराओल जा चुकल अछि, किएक तँ ओ परमेश्वरक एकलौता बेटा पर विश्वास नहि कयने अछि।
18 — Aquele que crê no Filho não é julgado; mas quem não crê já está julgado porque não crê no Filho único de Deus.
19 दोष एहि मे भेल, जे संसार मे इजोत आबि गेल और लोक केँ इजोतक बदला अन्हारे नीक लगलैक, कारण ओकर काज अधलाहे होइत छलैक।
19 E é assim que o julgamento é feito: Deus mandou a luz ao mundo, mas as pessoas preferiram a escuridão porque fazem o que é mau.
20 जे अधलाह काज करैत अछि से इजोत सँ घृणा करैत अछि और इजोत लग नहि अबैत अछि जाहि सँ ओकर काज कतौ प्रगट नहि भऽ जाइक।
20 Pois todos os que fazem o mal odeiam a luz e fogem dela, para que ninguém veja as coisas más que eles fazem.
21 मुदा जे सत्य पर चलैत अछि से इजोत लग अबैत अछि जाहि सँ ई प्रगट भऽ जाय जे ओ जे किछु कयने अछि से परमेश्वरक इच्छाक अनुसार कयने अछि।”
21 Mas os que vivem de acordo com a verdade procuram a luz, a fim de que possa ser visto claramente que as suas ações são feitas de acordo com a vontade de Deus.
22 एकरबाद यीशु अपन शिष्य सभक संग यहूदियाक देहात जा कऽ हुनका सभक संग रहलाह और लोक केँ बपतिस्मा देबऽ लगलाह।
22 Depois disso, Jesus e os seus discípulos foram para a região da Judeia. Ele ficou algum tempo com eles ali e batizava as pessoas.
23 यूहन्ना सेहो शालीम लग एनोन गाम मे बपतिस्मा दैत छलाह, कारण ओतऽ पानि बहुत छल, और लोक सभ हुनका लग आबि कऽ बपतिस्मा लैत छल।
23 João também estava batizando em Enom, perto de Salim, porque lá havia muita água.
24 (ओहि समय मे यूहन्ना जहल मे नहि राखल गेल छलाह।)
24 (João ainda não tinha sido preso.)
25 तँ यूहन्नाक शिष्य कोनो एकटा यहूदीक संग शुद्ध करबाक रीतिक विषय मे वाद-विवाद करऽ लगलाह।
25 Alguns discípulos de João tiveram uma discussão com um judeu sobre a cerimônia de purificação .
26 ओ सभ यूहन्ना लग आबि कऽ कहलनि, “गुरुजी, ओ जे यरदन नदीक ओहि पार अहाँक संग छलाह, जिनका बारे मे अहाँ गवाही देलहुँ, से आब बपतिस्मा दऽ रहल छथि और सभ लोक हुनके लग जा रहल अछि।”
26 Eles foram dizer a João: — Mestre, aquele homem que estava com o senhor no outro lado do rio Jordão está batizando as pessoas. O senhor falou sobre ele, lembra? E todos estão indo atrás dele.
27 एहि पर यूहन्ना उत्तर देलथिन, “मनुष्य किछुओ प्राप्त नहि कऽ सकैत जँ परमेश्वर सँ नहि देल जाइत।
27 João respondeu: — Ninguém pode ter alguma coisa se ela não for dada por Deus.
28 अहाँ सभ अपने हमर गवाह छी जे हम कहलहुँ जे, उद्धारकर्ता-मसीह हम नहि छी, बल्कि हम हुनका सँ आगाँ पठाओल गेल छी।
28 Vocês são testemunhas de que eu disse: “Eu não sou o Messias , mas fui enviado adiante dele.”
29 कनियाँ वरे केँ छनि। वरक मित्र, जे वरक प्रतीक्षा मे ठाढ़ भऽ कऽ सुनैत अछि, से वरक आवाज सुनि बड्ड आनन्दित होइत अछि। तेँ हमर ई आनन्द आब पूर्ण भऽ गेल अछि।
29 Num casamento, o noivo é aquele a quem a noiva pertence. O amigo do noivo está ali, e o escuta, e se alegra quando ouve a voz dele. Assim também o que está acontecendo com Jesus me faz ficar completamente alegre.
30 ई जरूरी अछि जे ओ बढ़ैत रहथि आ हम घटैत रही।
30 Ele tem de ficar cada vez mais importante, e eu, menos importante.
31 “जे ऊपर सँ आयल छथि से आओर सभ सँ पैघ छथि। जे पृथ्वी सँ अछि से पृथ्विएक अछि और खाली पृथ्वी वला बात सभ कहैत अछि। जे स्वर्ग सँ अबैत छथि वैह आओर सभ सँ पैघ छथि,
31 Aquele que vem de cima é o mais importante de todos, e quem vem da terra é da terra e fala das coisas terrenas. Quem vem do céu é o mais importante de todos.
32 और जे बात ओ देखने छथि और सुनने छथि, तकरे गवाही दैत छथि। मुदा केओ हुनका गवाही केँ स्वीकार नहि करैत अछि।
32 Ele fala daquilo que viu e ouviu, mas ninguém aceita a sua mensagem.
33 जे व्यक्ति हुनका गवाही केँ स्वीकार कयने अछि, से एहि बात पर अपन छाप लगा देने अछि जे परमेश्वर सत्य छथि,
33 Quem aceita a sua mensagem dá prova de que o que Deus diz é verdade.
34 कारण जिनका परमेश्वर पठौने छथिन, से वैह बात कहैत छथि जे परमेश्वर कहैत छथि। हुनका परमेश्वर अपन आत्मा, बिना नापि-जोखि कऽ दैत छथिन।
34 Aquele que Deus enviou diz as palavras de Deus porque Deus dá do seu Espírito sem medida.
35 पिता पुत्र सँ प्रेम करैत छथि और हुनके हाथ मे सभ किछु दऽ देने छथिन।
35 O Pai ama o Filho e pôs tudo nas mãos dele.
36 जे पुत्र पर विश्वास करैत अछि, तकरा अनन्त जीवन छैक। जे पुत्र केँ नहि मानैत अछि, से ओहि जीवन केँ नहि देखत—ओकरा पर परमेश्वरक क्रोध रहैत अछि।”
36 Por isso quem crê no Filho tem a vida eterna; porém quem desobedece ao Filho nunca terá a vida eterna, mas sofrerá para sempre o castigo de Deus.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.