João 3

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 फरिसी सभ मे सँ एक निकोदेमुस नामक आदमी छलाह, जे यहूदी सभक धर्मसभाक सदस्‍य छलाह।
1 E havia entre os fariseus um homem chamado Nicodemos, príncipe dos judeus.
2 एक राति ओ यीशु लग आबि कऽ कहलथिन, “गुरुजी, हम सभ जनैत छी जे अपने परमेश्‍वर द्वारा पठाओल गेल गुरु छी, कारण जँ परमेश्‍वर संग नहि रहितथि तँ अपने जे चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह सभ देखा रहल छी, से केओ नहि देखा सकैत।”
2 Este foi ter de noite com Jesus e disse-lhe: Rabi, bem sabemos que és mestre vindo de Deus, porque ninguém pode fazer estes sinais que tu fazes, se Deus não for com ele.
3 यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “हम अहाँ केँ सत्‍ये कहैत छी जे, जाबत तक केओ नव जन्‍म नहि लेत ताबत तक ओ परमेश्‍वरक राज्‍य नहि देखि सकत।”
3 Jesus respondeu e disse-lhe: Na verdade, na verdade te digo que aquele que não nascer de novo não pode ver o Reino de Deus.
4 निकोदेमुस हुनका कहलथिन, “केओ बूढ़ भऽ कऽ कोना जन्‍म लेत? की ओ मायक गर्भ मे दोसर बेर प्रवेश कऽ फेर जन्‍म लऽ सकत?!”
4 Disse-lhe Nicodemos: Como pode um homem nascer, sendo velho? Porventura, pode tornar a entrar no ventre de sua mãe e nascer?
5 यीशु उत्तर देलथिन, “हम अहाँ केँ विश्‍वास दिअबैत छी जे, जाबत तक केओ जल और आत्‍मा सँ जन्‍म नहि लेत ताबत तक ओ परमेश्‍वरक राज्‍य मे प्रवेश नहि कऽ सकत।
5 Jesus respondeu: Na verdade, na verdade te digo que aquele que não nascer da água e do Espírito não pode entrar no Reino de Deus.
6 मनुष्‍य तँ खाली शारीरिक जन्‍म दैत अछि, मुदा पवित्र आत्‍मा आत्‍मिक जन्‍म दैत छथि।
6 O que é nascido da carne é carne, e o que é nascido do Espírito é espírito.
7 तेँ एहि सँ आश्‍चर्य नहि मानू जे हम अहाँ केँ कहलहुँ जे अहाँ सभ केँ नव जन्‍म लेबऽ पड़त।
7 Não te maravilhes de te ter dito: Necessário vos é nascer de novo.
8 हवा जतऽ चाहैत अछि ततऽ बहैत अछि। ओकर आवाज सुनैत छी लेकिन कतऽ सँ आबि रहल अछि वा कतऽ जा रहल अछि से नहि जानि सकैत छी। जे आत्‍मा सँ जन्‍म लैत अछि, तकरो एहिना होइत छैक।”
8 O vento assopra onde quer, e ouves a sua voz, mas não sabes donde vem, nem para onde vai; assim é todo aquele que é nascido do Espírito.
9 निकोदेमुस हुनका कहलथिन, “ई सभ बात कोना भऽ सकैत अछि?”
9 Nicodemos respondeu e disse-lhe: Como pode ser isso?
10 यीशु उत्तर देलथिन, “अहाँ इस्राएलक गुरु छी, आ ई बात नहि बुझैत छी?!
10 Jesus respondeu e disse-lhe: Tu és mestre de Israel e não sabes isso?
11 हम अहाँ केँ सत्‍ये कहैत छी जे, जे बात हम जनैत छी, वैह बात बजैत छी, मुदा तैयो अहाँ सभ हमरा गवाही केँ स्‍वीकार नहि करैत छी।
11 Na verdade, na verdade te digo que nós dizemos o que sabemos e testificamos o que vimos, e não aceitais o nosso testemunho.
12 जखन हम अहाँ केँ पृथ्‍वी परक बात कहैत छी और अहाँ विश्‍वास नहि करैत छी, तँ स्‍वर्गक बात जँ कहब तँ अहाँ केँ कोना विश्‍वास होयत?
12 Se vos falei de
13 केओ स्‍वर्ग मे उपर नहि चढ़ल अछि; वैहटा चढ़ल छथि जे स्‍वर्ग सँ उतरल छथि, अर्थात् मनुष्‍य-पुत्र।
13 Ora, ninguém subiu ao céu, senão o que desceu do céu, o Filho do Homem, que está no céu.
14 जहिना मूसा निर्जन क्षेत्र मे पित्तरिक साँप केँ ऊपर लटका देलनि, तहिना मनुष्‍य-पुत्र केँ सेहो अवश्‍य ऊपर लटकाओल जयतनि
14 E, como Moisés levantou a serpente no deserto, assim importa que o Filho do Homem seja levantado,
15 जाहि सँ जे केओ हुनका पर विश्‍वास करत से अनन्‍त जीवन प्राप्‍त करत।
15 para que todo aquele que nele crê não pereça, mas tenha a vida eterna.
16 “हँ, परमेश्‍वर संसार सँ एहन प्रेम कयलनि जे ओ अपन एकमात्र बेटा केँ दऽ देलनि, जाहि सँ जे केओ हुनका पर विश्‍वास करैत अछि से नाश नहि होअय, बल्‍कि अनन्‍त जीवन पाबय।
16 Porque Deus amou o mundo de tal maneira que deu o seu Filho unigênito, para que todo aquele que nele crê não pereça, mas tenha a vida eterna.
17 परमेश्‍वर तँ अपना बेटा केँ संसार मे एहि लेल नहि पठौलनि जे ओ संसार केँ दोषी ठहरबथि, बल्‍कि एहि लेल जे हुनका द्वारा संसारक उद्धार होअय।
17 Porque Deus enviou o seu Filho ao mundo não para que condenasse o mundo, mas para que o mundo fosse salvo por ele.
18 जे व्‍यक्‍ति हुनका पर विश्‍वास करैत अछि से दोषी नहि ठहराओल जाइत अछि, मुदा जे व्‍यक्‍ति हुनका पर विश्‍वास नहि करैत अछि, से दोषी ठहराओल जा चुकल अछि, किएक तँ ओ परमेश्‍वरक एकलौता बेटा पर विश्‍वास नहि कयने अछि।
18 Quem crê nele não é condenado; mas quem não crê já está condenado, porquanto não crê no nome do unigênito Filho de Deus.
19 दोष एहि मे भेल, जे संसार मे इजोत आबि गेल और लोक केँ इजोतक बदला अन्‍हारे नीक लगलैक, कारण ओकर काज अधलाहे होइत छलैक।
19 E a condenação é esta: Que a luz veio ao mundo, e os homens amaram mais as trevas do que a luz, porque as suas obras eram más.
20 जे अधलाह काज करैत अछि से इजोत सँ घृणा करैत अछि और इजोत लग नहि अबैत अछि जाहि सँ ओकर काज कतौ प्रगट नहि भऽ जाइक।
20 Porque todo aquele que faz o mal aborrece a luz e não vem para a luz para que as suas obras não sejam reprovadas.
21 मुदा जे सत्‍य पर चलैत अछि से इजोत लग अबैत अछि जाहि सँ ई प्रगट भऽ जाय जे ओ जे किछु कयने अछि से परमेश्‍वरक इच्‍छाक अनुसार कयने अछि।”
21 Mas quem pratica a verdade vem para a luz, a fim de que as suas obras sejam manifestas, porque são feitas em Deus.
22 एकरबाद यीशु अपन शिष्‍य सभक संग यहूदियाक देहात जा कऽ हुनका सभक संग रहलाह और लोक केँ बपतिस्‍मा देबऽ लगलाह।
22 Depois disso, foi Jesus com os seus discípulos para a terra da Judeia; e estava ali com eles e batizava.
23 यूहन्‍ना सेहो शालीम लग एनोन गाम मे बपतिस्‍मा दैत छलाह, कारण ओतऽ पानि बहुत छल, और लोक सभ हुनका लग आबि कऽ बपतिस्‍मा लैत छल।
23 Ora, João batizava também em Enom, junto a Salim, porque havia ali muitas águas; e vinham ali e eram batizados.
24 (ओहि समय मे यूहन्‍ना जहल मे नहि राखल गेल छलाह।)
24 Porque ainda João não tinha sido lançado na prisão.
25 तँ यूहन्‍नाक शिष्‍य कोनो एकटा यहूदीक संग शुद्ध करबाक रीतिक विषय मे वाद-विवाद करऽ लगलाह।
25 Houve, então, uma questão entre os discípulos de João e um judeu, acerca da purificação.
26 ओ सभ यूहन्‍ना लग आबि कऽ कहलनि, “गुरुजी, ओ जे यरदन नदीक ओहि पार अहाँक संग छलाह, जिनका बारे मे अहाँ गवाही देलहुँ, से आब बपतिस्‍मा दऽ रहल छथि और सभ लोक हुनके लग जा रहल अछि।”
26 E foram ter com João e disseram-lhe: Rabi, aquele que estava contigo além do Jordão, do qual tu deste testemunho, ei-lo batizando, e todos vão ter com ele.
27 एहि पर यूहन्‍ना उत्तर देलथिन, “मनुष्‍य किछुओ प्राप्‍त नहि कऽ सकैत जँ परमेश्‍वर सँ नहि देल जाइत।
27 João respondeu e disse: O homem não pode receber coisa alguma, se lhe não for dada do céu.
28 अहाँ सभ अपने हमर गवाह छी जे हम कहलहुँ जे, उद्धारकर्ता-मसीह हम नहि छी, बल्‍कि हम हुनका सँ आगाँ पठाओल गेल छी।
28 Vós mesmos me sois testemunhas de que disse: eu não sou o Cristo, mas sou enviado adiante dele.
29 कनियाँ वरे केँ छनि। वरक मित्र, जे वरक प्रतीक्षा मे ठाढ़ भऽ कऽ सुनैत अछि, से वरक आवाज सुनि बड्ड आनन्‍दित होइत अछि। तेँ हमर ई आनन्‍द आब पूर्ण भऽ गेल अछि।
29 Aquele que tem a esposa é o esposo; mas o amigo do esposo, que lhe assiste e o ouve, alegra-se muito com a voz do esposo. Assim, pois, já essa minha alegria está cumprida.
30 ई जरूरी अछि जे ओ बढ़ैत रहथि आ हम घटैत रही।
30 É necessário que ele cresça e que eu diminua.
31 “जे ऊपर सँ आयल छथि से आओर सभ सँ पैघ छथि। जे पृथ्‍वी सँ अछि से पृथ्‍विएक अछि और खाली पृथ्‍वी वला बात सभ कहैत अछि। जे स्‍वर्ग सँ अबैत छथि वैह आओर सभ सँ पैघ छथि,
31 Aquele que vem de cima é sobre todos, aquele que vem da terra é da terra e fala da terra. Aquele que vem do céu é sobre todos.
32 और जे बात ओ देखने छथि और सुनने छथि, तकरे गवाही दैत छथि। मुदा केओ हुनका गवाही केँ स्‍वीकार नहि करैत अछि।
32 E aquilo que ele viu e ouviu, isso testifica; e ninguém aceita o seu testemunho.
33 जे व्‍यक्‍ति हुनका गवाही केँ स्‍वीकार कयने अछि, से एहि बात पर अपन छाप लगा देने अछि जे परमेश्‍वर सत्‍य छथि,
33 Aquele que aceitou o seu testemunho, esse confirmou que Deus é verdadeiro.
34 कारण जिनका परमेश्‍वर पठौने छथिन, से वैह बात कहैत छथि जे परमेश्‍वर कहैत छथि। हुनका परमेश्‍वर अपन आत्‍मा, बिना नापि-जोखि कऽ दैत छथिन।
34 Porque aquele que Deus enviou fala as palavras de Deus, pois não lhe dá Deus o Espírito por medida.
35 पिता पुत्र सँ प्रेम करैत छथि और हुनके हाथ मे सभ किछु दऽ देने छथिन।
35 O Pai ama o Filho e todas as coisas entregou nas suas mãos.
36 जे पुत्र पर विश्‍वास करैत अछि, तकरा अनन्‍त जीवन छैक। जे पुत्र केँ नहि मानैत अछि, से ओहि जीवन केँ नहि देखत—ओकरा पर परमेश्‍वरक क्रोध रहैत अछि।”
36 Aquele que crê no Filho tem a vida eterna, mas aquele que não crê no Filho não verá a vida, mas a ira de Deus sobre ele permanece.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.