João 2

jivən səndesh (MAI) vs NVT

Sair da comparação
NVT Nova Versão Transformadora
1 एहि बातक तेसरे दिन गलील प्रदेशक काना नामक गाम मे विवाह छल। ओहिठाम यीशुक माय छलीह,
1 Três dias depois, houve uma festa de casamento no povoado de Caná da Galileia. A mãe de Jesus estava ali,
2 और यीशु आ हुनकर शिष्‍य सभ सेहो विवाह मे निमन्‍त्रित छलाह।
2 e Jesus e seus discípulos também foram convidados para a celebração.
3 अंगूरक मदिरा घटला पर माय यीशु केँ कहलथिन, “हिनका सभ केँ आब मदिरा नहि छनि।”
3 Durante a festa, o vinho acabou, e a mãe de Jesus lhe disse: “Eles não têm mais vinho”.
4 यीशु हुनका कहलथिन, “अहाँ हमरा ई किएक कहैत छी? हमर समय एखन नहि आयल अछि।”
4 “Mulher, isso não me diz respeito”, respondeu Jesus. “Minha hora ainda não chegou.”
5 तखन हुनकर माय बारिक सभ केँ कहलनि, “ई जे किछु तोरा सभ केँ कहथुन से करिहह!”
5 Sua mãe, porém, disse aos empregados: “Façam tudo que ele mandar”.
6 लग मे यहूदी सभक रीतिक अनुसार शुद्ध करबाक लेल छओटा पाथरक घैल राखल छल। प्रत्‍येक मे करीब सौ-सवासौ लीटर अँटैत छल।
6 Havia ali perto seis potes de pedra usados na purificação cerimonial judaica. Cada um tinha capacidade entre 80 e 120 litros.
7 यीशु बारिक सभ केँ कहलथिन, “घैल सभ मे पानि भरि दहक।”
7 Jesus disse aos empregados: “Encham os potes com água”. Quando os potes estavam cheios,
8 ओ सभ घैल केँ कानो-कान भरि देलक। तखन ओकरा सभ केँ कहलथिन, “आब किछु निकालि कऽ भण्‍डारी केँ दऽ अबहुन।” ओ सभ दऽ आयल,
8 disse: “Agora tirem um pouco e levem ao mestre de cerimônias”. Os empregados seguiram suas instruções.
9 और भण्‍डारी ओहि पानि केँ चिखलनि जे आब मदिरा बनि गेल छल। हुनका नहि बुझल छलनि जे ई मदिरा कतऽ सँ आबि गेल (मुदा बारिक सभ जे पानि निकालने छल, तकरा सभ केँ बुझल छलैक), तेँ भण्‍डारी वर केँ बजा कऽ कहलथिन,
9 O mestre de cerimônias provou a água transformada em vinho, sem conhecer sua procedência (embora os empregados obviamente soubessem). Então chamou o noivo.
10 “सभ आदमी तँ बढ़ियाँ वला मदिरा पहिनहि परसैत अछि, और बाद मे जखन लोक सभ बहुते पिबि लेने रहैत अछि तखने साधारण वला परसैत अछि, मुदा अहाँ बढ़ियाँ वला एखनो धरि रखनहि छलहुँ!”
10 “O anfitrião sempre serve o melhor vinho primeiro”, disse ele. “Depois, quando todos já beberam bastante, serve o vinho de menor qualidade. Mas você guardou o melhor vinho até agora!”
11 एहि तरहेँ गलीलक काना गाम मे यीशु अपन चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह सभ शुरू कऽ कऽ अपन महिमा प्रगट कयलनि और हुनकर शिष्‍य सभ हुनका पर विश्‍वास कयलनि।
11 Esse sinal em Caná da Galileia foi o primeiro milagre que Jesus fez. Com isso ele manifestou sua glória, e seus discípulos creram nele.
12 एकरा बाद यीशु अपन माय, भाय और शिष्‍य सभक संग कफरनहूम नगर गेलाह और ओहिठाम किछु दिन रहलाह।
12 Depois do casamento, foi a Cafarnaum, onde passou alguns dias com sua mãe, seus irmãos e seus discípulos.
13 यहूदी सभक फसह-पाबनि लग अयला पर यीशु यरूशलेम चल गेलाह।
13 Era quase época da festa da Páscoa judaica, de modo que Jesus subiu a Jerusalém.
14 मन्‍दिर मे ओ लोक सभ केँ गाय-बड़द, भेँड़ा और परबा बेचैत और टेबुल पर बैसल पैसा भजबऽ वला सभ केँ पैसा भजबैत देखलनि।
14 No pátio do templo, viu comerciantes que vendiam bois, ovelhas e pombas para os sacrifícios; também viu negociantes, em mesas, trocando dinheiro estrangeiro.
15 ई देखि यीशु रस्‍साक कोड़ा बना कऽ सभ केँ मन्‍दिर मे सँ बाहर भगा देलथिन, भेँड़ा और माल-जाल केँ सेहो। पाइ भजबऽ वला सभक सिक्‍का छिड़िया कऽ ओकरा सभक टेबुल उनटा देलथिन।
15 Jesus fez um chicote de cordas e os expulsou a todos do templo. Pôs para fora as ovelhas e os bois, espalhou as moedas dos negociantes no chão e virou as mesas.
16 परबा बेचऽ वला सभ केँ ओ कहलथिन, “एहि सभ केँ एतऽ सँ तुरत लऽ जाह! हमर पिताक घर केँ बजार नहि बनाबह!”
16 Depois, foi até aqueles que vendiam pombas e lhes disse: “Tirem essas coisas daqui! Parem de fazer da casa de meu Pai um mercado!”.
17 तखन हुनकर शिष्‍य सभ केँ धर्मशास्‍त्रक ई लेख मोन पड़लनि जे, “हे परमेश्‍वर, अहाँक घरक लेल हमर धुनि हमरा खा जायत।”
17 Então os discípulos se lembraram desta profecia das Escrituras: “O zelo pela casa de Deus me consumirá”.
18 तखन यहूदी सभ हुनका कहलथिन, “ई सभ करबाक अधिकारक प्रमाण देबाक लेल अहाँ हमरा सभ केँ कोन चिन्‍ह देखायब?”
18 “O que você está fazendo?”, questionaram os líderes judeus. “Que sinal você nos mostra para comprovar que tem autoridade para isso?”
19 यीशु उत्तर देलथिन, “एहि मन्‍दिर केँ ढाहि दिअ और हम एकरा तीन दिन मे फेर ठाढ़ कऽ देब।”
19 “Pois bem”, respondeu Jesus. “Destruam este templo, e em três dias eu o levantarei.”
20 एहि पर यहूदी सभ जबाब देलथिन, “एहि मन्‍दिर केँ बनाबऽ मे हमरा सभ केँ छियालिस वर्ष लागल, और की अहाँ एकरा तीन दिन मे फेर ठाढ़ कऽ देब!”
20 Eles disseram: “Foram necessários 46 anos para construir este templo, e você o reconstruirá em três dias?”.
21 मुदा यीशु जाहि मन्‍दिरक बारे मे बाजल छलाह, से हुनकर देह छलनि।
21 Mas quando Jesus disse “este templo”, estava se referindo a seu próprio corpo.
22 तेँ बाद मे जखन ओ मरलाक बाद जीबि उठलाह तँ शिष्‍य सभ हुनकर एहि कथन केँ स्‍मरण कयलनि। तखन ओ सभ धर्मशास्‍त्रक लेख केँ और यीशुक बात केँ विश्‍वास कयलनि।
22 Depois que ele ressuscitou dos mortos, seus discípulos se lembraram do que ele tinha dito e creram nas Escrituras e em suas palavras.
23 जखन यीशु फसह-भोजक समय मे यरूशलेम मे छलाह, तँ बहुत लोक हुनकर चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह सभ जे ओ देखबैत छलाह, तकरा देखि कऽ हुनका पर विश्‍वास कयलकनि,
23 Por causa dos sinais que Jesus realizou em Jerusalém durante a festa da Páscoa, muitos creram nele.
24 मुदा यीशु अपना केँ ओकरा सभक भरोस पर नहि छोड़लनि, कारण सभ मनुष्‍य केँ ओ जनैत छलाह।
24 Jesus, porém, não confiava neles, pois conhecia a todos.
25 मनुष्‍यक बारे मे हुनका ककरो द्वारा कोनो साक्षीक आवश्‍यकता नहि छलनि, किएक तँ ओ अपने जनैत छलाह जे मनुष्‍यक मोन मे की बात होइत छैक।
25 Ninguém precisava lhe dizer como o ser humano é de fato, pois ele conhecia a natureza humana.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.