João 2
jivən səndesh (MAI) vs ACF
1 एहि बातक तेसरे दिन गलील प्रदेशक काना नामक गाम मे विवाह छल। ओहिठाम यीशुक माय छलीह,
1 E, ao terceiro dia, fizeram-se umas bodas em Caná da Galiléia; e estava ali a mãe de Jesus.
2 और यीशु आ हुनकर शिष्य सभ सेहो विवाह मे निमन्त्रित छलाह।
2 E foi também convidado Jesus e os seus discípulos para as bodas.
3 अंगूरक मदिरा घटला पर माय यीशु केँ कहलथिन, “हिनका सभ केँ आब मदिरा नहि छनि।”
3 E, faltando vinho, a mãe de Jesus lhe disse: Não têm vinho.
4 यीशु हुनका कहलथिन, “अहाँ हमरा ई किएक कहैत छी? हमर समय एखन नहि आयल अछि।”
4 Disse-lhe Jesus: Mulher, que tenho eu contigo? Ainda não é chegada a minha hora.
5 तखन हुनकर माय बारिक सभ केँ कहलनि, “ई जे किछु तोरा सभ केँ कहथुन से करिहह!”
5 Sua mãe disse aos serventes: Fazei tudo quanto ele vos disser.
6 लग मे यहूदी सभक रीतिक अनुसार शुद्ध करबाक लेल छओटा पाथरक घैल राखल छल। प्रत्येक मे करीब सौ-सवासौ लीटर अँटैत छल।
6 E estavam ali postas seis talhas de pedra, para as purificações dos judeus, e em cada uma cabiam dois ou três almudes.
7 यीशु बारिक सभ केँ कहलथिन, “घैल सभ मे पानि भरि दहक।”
7 Disse-lhes Jesus: Enchei de água essas talhas. E encheram-nas até em cima.
8 ओ सभ घैल केँ कानो-कान भरि देलक। तखन ओकरा सभ केँ कहलथिन, “आब किछु निकालि कऽ भण्डारी केँ दऽ अबहुन।” ओ सभ दऽ आयल,
8 E disse-lhes: Tirai agora, e levai ao mestre-sala. E levaram.
9 और भण्डारी ओहि पानि केँ चिखलनि जे आब मदिरा बनि गेल छल। हुनका नहि बुझल छलनि जे ई मदिरा कतऽ सँ आबि गेल (मुदा बारिक सभ जे पानि निकालने छल, तकरा सभ केँ बुझल छलैक), तेँ भण्डारी वर केँ बजा कऽ कहलथिन,
9 E, logo que o mestre-sala provou a água feita vinho (não sabendo de onde viera, se bem que o sabiam os serventes que tinham tirado a água), chamou o mestre-sala ao esposo,
10 “सभ आदमी तँ बढ़ियाँ वला मदिरा पहिनहि परसैत अछि, और बाद मे जखन लोक सभ बहुते पिबि लेने रहैत अछि तखने साधारण वला परसैत अछि, मुदा अहाँ बढ़ियाँ वला एखनो धरि रखनहि छलहुँ!”
10 E disse-lhe: Todo o homem põe primeiro o vinho bom e, quando já têm bebido bem, então o inferior; mas tu guardaste até agora o bom vinho.
11 एहि तरहेँ गलीलक काना गाम मे यीशु अपन चमत्कारपूर्ण चिन्ह सभ शुरू कऽ कऽ अपन महिमा प्रगट कयलनि और हुनकर शिष्य सभ हुनका पर विश्वास कयलनि।
11 Jesus principiou assim os seus sinais em Caná da Galiléia, e manifestou a sua glória; e os seus discípulos creram nele.
12 एकरा बाद यीशु अपन माय, भाय और शिष्य सभक संग कफरनहूम नगर गेलाह और ओहिठाम किछु दिन रहलाह।
12 Depois disto desceu a Cafarnaum, ele, e sua mãe, e seus irmãos, e seus discípulos; e ficaram ali não muitos dias.
13 यहूदी सभक फसह-पाबनि लग अयला पर यीशु यरूशलेम चल गेलाह।
13 E estava próxima a páscoa dos judeus, e Jesus subiu a Jerusalém.
14 मन्दिर मे ओ लोक सभ केँ गाय-बड़द, भेँड़ा और परबा बेचैत और टेबुल पर बैसल पैसा भजबऽ वला सभ केँ पैसा भजबैत देखलनि।
14 E achou no templo os que vendiam bois, e ovelhas, e pombos, e os cambiadores assentados.
15 ई देखि यीशु रस्साक कोड़ा बना कऽ सभ केँ मन्दिर मे सँ बाहर भगा देलथिन, भेँड़ा और माल-जाल केँ सेहो। पाइ भजबऽ वला सभक सिक्का छिड़िया कऽ ओकरा सभक टेबुल उनटा देलथिन।
15 E tendo feito um azorrague de cordéis, lançou todos fora do templo, também os bois e ovelhas; e espalhou o dinheiro dos cambiadores, e derribou as mesas;
16 परबा बेचऽ वला सभ केँ ओ कहलथिन, “एहि सभ केँ एतऽ सँ तुरत लऽ जाह! हमर पिताक घर केँ बजार नहि बनाबह!”
16 E disse aos que vendiam pombos: Tirai daqui estes, e não façais da casa de meu Pai casa de venda.
17 तखन हुनकर शिष्य सभ केँ धर्मशास्त्रक ई लेख मोन पड़लनि जे, “हे परमेश्वर, अहाँक घरक लेल हमर धुनि हमरा खा जायत।”
17 E os seus discípulos lembraram-se do que está escrito: O zelo da tua casa me devorou.
18 तखन यहूदी सभ हुनका कहलथिन, “ई सभ करबाक अधिकारक प्रमाण देबाक लेल अहाँ हमरा सभ केँ कोन चिन्ह देखायब?”
18 Responderam, pois, os judeus, e disseram-lhe: Que sinal nos mostras para fazeres isto?
19 यीशु उत्तर देलथिन, “एहि मन्दिर केँ ढाहि दिअ और हम एकरा तीन दिन मे फेर ठाढ़ कऽ देब।”
19 Jesus respondeu, e disse-lhes: Derribai este templo, e em três dias o levantarei.
20 एहि पर यहूदी सभ जबाब देलथिन, “एहि मन्दिर केँ बनाबऽ मे हमरा सभ केँ छियालिस वर्ष लागल, और की अहाँ एकरा तीन दिन मे फेर ठाढ़ कऽ देब!”
20 Disseram, pois, os judeus: Em quarenta e seis anos foi edificado este templo, e tu o levantarás em três dias?
21 मुदा यीशु जाहि मन्दिरक बारे मे बाजल छलाह, से हुनकर देह छलनि।
21 Mas ele falava do templo do seu corpo.
22 तेँ बाद मे जखन ओ मरलाक बाद जीबि उठलाह तँ शिष्य सभ हुनकर एहि कथन केँ स्मरण कयलनि। तखन ओ सभ धर्मशास्त्रक लेख केँ और यीशुक बात केँ विश्वास कयलनि।
22 Quando, pois, ressuscitou dentre os mortos, os seus discípulos lembraram-se de que lhes dissera isto; e creram na Escritura, e na palavra que Jesus tinha dito.
23 जखन यीशु फसह-भोजक समय मे यरूशलेम मे छलाह, तँ बहुत लोक हुनकर चमत्कारपूर्ण चिन्ह सभ जे ओ देखबैत छलाह, तकरा देखि कऽ हुनका पर विश्वास कयलकनि,
23 E, estando ele em Jerusalém pela páscoa, durante a festa, muitos, vendo os sinais que fazia, creram no seu nome.
24 मुदा यीशु अपना केँ ओकरा सभक भरोस पर नहि छोड़लनि, कारण सभ मनुष्य केँ ओ जनैत छलाह।
24 Mas o mesmo Jesus não confiava neles, porque a todos conhecia;
25 मनुष्यक बारे मे हुनका ककरो द्वारा कोनो साक्षीक आवश्यकता नहि छलनि, किएक तँ ओ अपने जनैत छलाह जे मनुष्यक मोन मे की बात होइत छैक।
25 E não necessitava de que alguém testificasse do homem, porque ele bem sabia o que havia no homem.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.