João 10
jivən səndesh (MAI) vs VC
1 “हम अहाँ सभ केँ विश्वास दिअबैत छी जे, जे द्वारि बाटे भेँड़शाला मे प्रवेश नहि करैत अछि, बल्कि देवाल पर चढ़ि कऽ कोनो दोसर बाटे प्रवेश करैत अछि, से चोर और डाकू होइत अछि।
1 Em verdade, em verdade vos digo: quem não entra pela porta no aprisco das ovelhas, mas sobe por outra parte, é ladrão e salteador.
2 जे द्वारि बाटे प्रवेश करैत छथि, से भेँड़ाक चरबाह छथि।
2 Mas quem entra pela porta é o pastor das ovelhas.
3 हुनका लेल द्वारपाल द्वारिक फट्टक खोलि दैत छनि, और हुनकर आवाज भेँड़ा चिन्हैत छनि। ओ अपना भेँड़ा केँ नाम लऽ-लऽ कऽ बजबैत छथि, और ओकरा सभ केँ बाहर लऽ जाइत छथि।
3 A este o porteiro abre, e as ovelhas ouvem a sua voz. Ele chama as ovelhas pelo nome e as conduz à pastagem.
4 अपन सभ भेँड़ा केँ निकालि लेला पर ओ ओकरा सभक आगाँ-आगाँ चलैत छथि और ओ सभ हुनका पाछाँ लागि जाइत छनि किएक तँ ओ सभ हुनकर आवाज केँ चिन्हैत छनि।
4 Depois de conduzir todas as suas ovelhas para fora, vai adiante delas; e as ovelhas seguem-no, pois lhe conhecem a voz.
5 ओ सभ कोनो अपरिचित आदमीक पाछाँ कहियो नहि जायत, बल्कि ओकरा लग सँ भागत, किएक तँ अपरिचित लोकक आवाज ओ सभ नहि चिन्हैत छैक।”
5 Mas não seguem o estranho; antes fogem dele, porque não conhecem a voz dos estranhos.
6 यीशु हुनका सभ केँ ई उदाहरण देलनि, मुदा हुनकर की कहबाक अर्थ छलनि, से ओ सभ नहि बुझलनि।
6 Jesus disse-lhes essa parábola, mas não entendiam do que ele queria falar.
7 तेँ ओ हुनका सभ केँ फेर कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्ये कहैत छी जे, भेँड़ा सभक लेल हमहीं द्वारि छी।
7 Jesus tornou a dizer-lhes: Em verdade, em verdade vos digo: eu sou a porta das ovelhas.
8 आरो सभ जे हमरा सँ पहिने आयल, से चोर और डाकू सभ छल, मुदा भेँड़ा ओकरा सभक बात नहि मानलक।
8 Todos quantos vieram antes de mim foram ladrões e salteadores, mas as ovelhas não os ouviram.
9 द्वारि हम छी। हमरा बाटे जे प्रवेश करत से सुरक्षित राखल जायत। ओ भीतर-बाहर अबैत-जाइत रहत और चारा पाओत।
9 Eu sou a porta. Se alguém entrar por mim será salvo; tanto entrará como sairá e encontrará pastagem.
10 चोर खाली चोरी करबाक, जान मारबाक, और नष्ट करबाक उद्देश्य सँ अबैत अछि। मुदा हम एहि लेल आयल छी जे मनुष्य जीवन प्राप्त करय और परिपूर्णता सँ प्राप्त करय।
10 O ladrão não vem senão para furtar, matar e destruir. Eu vim para que as ovelhas tenham vida e para que a tenham em abundância.
11 “नीक चरबाह हम छी। नीक चरबाह भेँड़ाक लेल अपन प्राण दैत अछि।
11 Eu sou o bom pastor. O bom pastor expõe a sua vida pelas ovelhas.
12 जऽन-बोनिहार, जे ने चरबाह अछि आ ने भेँड़ाक मालिक अछि से चितुआ केँ अबैत देखि कऽ भेँड़ा सभ केँ छोड़ि कऽ भागि जाइत अछि। तखन चितुआ भेँड़ा केँ पकड़ऽ लगैत छैक और ओकरा सभ केँ छिड़िया दैत छैक।
12 O mercenário, porém, que não é pastor, a quem não pertencem as ovelhas, quando vê que o lobo vem vindo, abandona as ovelhas e foge; o lobo rouba e dispersa as ovelhas.
13 जऽन-बोनिहार एहि लेल भागि जाइत अछि जे ओ खाली जऽन अछि और ओकरा भेँड़ाक लेल कोनो चिन्ता नहि रहैत छैक।
13 O mercenário, porém, foge, porque é mercenário e não se importa com as ovelhas.
14 “नीक चरबाह हम छी। जहिना पिता हमरा चिन्हैत छथि और हम पिता केँ चिन्हैत छियनि,
14 Eu sou o bom pastor. Conheço as minhas ovelhas e as minhas ovelhas conhecem a mim,
15 तहिना हम अपना भेँड़ा सभ केँ चिन्हैत छी और ओ सभ हमरा चिन्हैत अछि। और भेँड़ा सभक लेल हम अपन प्राण दैत छी।
15 como meu Pai me conhece e eu conheço o Pai. Dou a minha vida pelas minhas ovelhas.
16 हमरा आरो भेँड़ा अछि जे एहि भेँड़शालाक नहि अछि। ओकरो सभ केँ हमरा लयबाक अछि। ओहो सभ हमर आवाज सुनत। तखन एके झुण्ड और एके चरबाह होयत।
16 Tenho ainda outras ovelhas que não são deste aprisco. Preciso conduzi-las também, e ouvirão a minha voz e haverá um só rebanho e um só pastor.
17 “पिता हमरा सँ एहि लेल प्रेम करैत छथि जे हम अपन प्राण दैत छी जाहि सँ हम ओकरा फेर लऽ ली।
17 O Pai me ama, porque dou a minha vida para a retomar.
18 केओ हमर प्राण केँ हमरा सँ नहि छिनि लैत अछि, बल्कि हम अपना इच्छा सँ दऽ रहल छी। हमरा अपन जान देबाक अधिकार अछि और ओकरा फेर लऽ लेबाक अधिकार सेहो अछि। ई आज्ञा हम अपना पिता सँ प्राप्त कयने छी।”
18 Ninguém a tira de mim, mas eu a dou de mim mesmo e tenho o poder de a dar, como tenho o poder de a reassumir. Tal é a ordem que recebi de meu Pai.
19 एहि बात सभक कारणेँ यहूदी सभ मे फेर मतभेद भऽ गेलनि।
19 A propósito dessas palavras, originou-se nova divisão entre os judeus.
20 बहुत लोक कहैत छलाह, “एकरा मे दुष्टात्मा छैक। ई बताह अछि! एकर बात किएक सुनबैक?”
20 Muitos deles diziam: Ele está possuído do demônio. Ele delira. Por que o escutais vós?
21 मुदा दोसर सभ कहैत छलाह, “जकरा मे दुष्टात्मा छैक, से की एहन बात सभ कहत? की दुष्टात्मा कतौ आन्हरक आँखि खोलि सकैत अछि?”
21 Outros diziam: Estas palavras não são de quem está endemoninhado. Acaso pode o demônio abrir os olhos a um cego?
22 तखन यरूशलेम मे “मन्दिरक समर्पण” नामक पाबनि आबि गेल।
22 Celebrava-se em Jerusalém a festa da Dedicação. Era inverno.
23 जाड़क मास छल, और यीशु मन्दिर मे ओहि असोरा पर टहलैत छलाह जे “सुलेमानक असोरा” कहबैत अछि।
23 Jesus passeava no templo, no pórtico de Salomão.
24 यहूदी सभ हुनका चारू कात सँ घेरि कऽ कहलथिन, “कहिया तक अहाँ हमरा सभ केँ दुबिधा मे रखने रहब? अहाँ जँ परमेश्वरक मसीह छी तँ हमरा सभ केँ स्पष्ट कहि दिअ।”
24 Os judeus rodearam-no e perguntaram-lhe: Até quando nos deixarás na incerteza? Se tu és o Cristo, dize-nos claramente.
25 यीशु बजलाह, “हम अहाँ सभ केँ कहिए देने छी, मुदा अहाँ सभ विश्वास नहि करैत छी। जे काज हम अपना पिताक नाम सँ करैत छी, से हमर गवाही दैत अछि।
25 Jesus respondeu-lhes : Eu vo-lo digo, mas não credes. As obras que faço em nome de meu Pai, estas dão testemunho de mim.
26 मुदा अहाँ सभ विश्वास नहि करैत छी किएक तँ अहाँ सभ हमर भेँड़ा नहि छी।
26 Entretanto, não credes, porque não sois das minhas ovelhas.
27 हमर भेँड़ा हमर आवाज सुनैत अछि। हम ओकरा सभ केँ चिन्हैत छी और ओ सभ हमरा पाछाँ लागि जाइत अछि।
27 As minhas ovelhas ouvem a minha voz, eu as conheço e elas me seguem.
28 हम ओकरा सभ केँ अनन्त जीवन दैत छी और ओ सभ कहियो नाश नहि होयत। हमरा हाथ सँ केओ ओकरा सभ केँ नहि छिनि लेत।
28 Eu llhes dou a vida eterna; elas jamais hão de perecer, e ninguém as roubará de minha mão.
29 हमर पिता, जे ओकरा सभ केँ हमरा देने छथि, से आरो सभ सँ शक्तिशाली छथि, तेँ हमरा पिताक हाथ सँ ओकरा सभ केँ केओ नहि छिनि सकैत अछि।
29 Meu Pai, que mas deu, é maior do que todos; e ninguém as pode arrebatar da mão de meu Pai.
30 हम और पिता एक छी।”
30 Eu e o Pai somos um.
31 एहि पर यहूदी सभ फेर हुनका मारि देबाक लेल पाथर उठाबऽ लगलाह,
31 Os judeus pegaram pela segunda vez em pedras para o apedejar.
32 मुदा यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ पिताक तरफ सँ बहुत नीक-नीक काज कऽ कऽ देखा देलहुँ। एहि सभ मे सँ कोन काजक लेल हमरा मारि देबऽ चाहैत छी?”
32 Disse-lhes Jesus: Tenho-vos mostrado muitas obras boas da parte de meu Pai. Por qual dessas obras me apedrejais?
33 यहूदी सभ हुनका उत्तर देलथिन, “कोनो नीक काजक लेल तोरा नहि मारऽ चाहैत छिऔ, बल्कि परमेश्वरक निन्दाक लेल, कारण तोँ मनुष्ये भऽ कऽ अपना केँ परमेश्वर कहैत छैं।”
33 Os judeus responderam-lhe: Não é por causa de alguma boa obra que te queremos apedrejar, mas por uma blasfêmia, porque, sendo homem, te fazes Deus.
34 यीशु बजलाह, “की अहाँ सभक धर्मशास्त्र मे नहि लिखल अछि जे, ‘हम कहलहुँ जे तोँ सभ ईश्वर छह’?
34 Replicou-lhes Jesus: Não está escrito na vossa lei: Eu disse: Vós sois deuses {Sl 81,6}?
35 जँ तकरा सभ केँ ओ ‘ईश्वर’ कहलथिन जकरा सभ केँ परमेश्वरक वचन देल गेल—और धर्मशास्त्र कहियो गलत नहि ठहरि सकैत अछि—
35 Se a lei chama deuses àqueles a quem a palavra de Deus foi dirigida {ora, a Escritura não pode ser desprezada},
36 तँ जकरा पिता अपना पवित्र काजक लेल चुनि कऽ संसार मे पठौलथिन, तकरा पर परमेश्वरक निन्दा करबाक दोष किएक लगबैत छी जखन ओ कहैत अछि जे, ‘हम परमेश्वरक पुत्र छी’?
36 como acusais de blasfemo aquele a quem o Pai santificou e enviou ao mundo, porque eu disse: Sou o Filho de Deus?
37 जँ हम अपना पिताक काज नहि कऽ रहल छी, तँ हमरा पर विश्वास नहि करू।
37 Se eu não faço as obras de meu Pai, não me creiais.
38 मुदा जँ हम कऽ रहल छी, तँ हमरा पर जँ नहिओ विश्वास करब, तँ हमर काज पर विश्वास करू, जाहि सँ अहाँ सभ जानब और बुझब जे पिता हमरा मे छथि और हम पिता मे छी।”
38 Mas se as faço, e se não quiserdes crer em mim, crede nas minhas obras, para que saibais e reconheçais que o Pai está em mim e eu no Pai.
39 ओ सभ हुनका फेर पकड़ऽ चाहैत छलनि, मुदा ओ हुनका सभक हाथ सँ बचि कऽ निकलि गेलाह।
39 Procuraram então prendê-lo, mas ele se esquivou das suas mãos.
40 तखन यीशु फेर यरदन नदीक ओहि पार गेलाह जाहिठाम यूहन्ना शुरू मे बपतिस्मा दैत छलाह। ओ ओहिठाम रहलाह
40 Ele se retirou novamente para além do Jordão, para o lugar onde João começara a batizar, e lá permaneceu.
41 और बहुत लोक हुनका लग आयल। ओ सभ कहलक, “ओना तँ यूहन्ना कोनो चमत्कारपूर्ण चिन्ह नहि देखौलनि, तैयो जतेक बात ओ एहि व्यक्तिक बारे मे कहलनि, से सभ सत्य छल।”
41 Muitos foram a ele e diziam: João não fez milagre algum,
42 और ओहिठाम बहुत लोक यीशु पर विश्वास कयलकनि।
42 mas tudo o que João falou deste homem era verdade. E muitos acreditaram nele.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 10, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.