João 10

jivən səndesh (MAI) vs NAA

Sair da comparação
NAA Nova Almeida Atualizada 2017
1 “हम अहाँ सभ केँ विश्‍वास दिअबैत छी जे, जे द्वारि बाटे भेँड़शाला मे प्रवेश नहि करैत अछि, बल्‍कि देवाल पर चढ़ि कऽ कोनो दोसर बाटे प्रवेश करैत अछि, से चोर और डाकू होइत अछि।
1 — Em verdade, em verdade lhes digo: quem não entra no curral das ovelhas pela porta, mas sobe por outro lugar, esse é ladrão e salteador.
2 जे द्वारि बाटे प्रवेश करैत छथि, से भेँड़ाक चरबाह छथि।
2 Aquele, porém, que entra pela porta, esse é o pastor das ovelhas.
3 हुनका लेल द्वारपाल द्वारिक फट्टक खोलि दैत छनि, और हुनकर आवाज भेँड़ा चिन्‍हैत छनि। ओ अपना भेँड़ा केँ नाम लऽ-लऽ कऽ बजबैत छथि, और ओकरा सभ केँ बाहर लऽ जाइत छथि।
3 Para este o porteiro abre, as ovelhas ouvem a sua voz, ele chama as suas próprias ovelhas pelo nome e as conduz para fora.
4 अपन सभ भेँड़ा केँ निकालि लेला पर ओ ओकरा सभक आगाँ-आगाँ चलैत छथि और ओ सभ हुनका पाछाँ लागि जाइत छनि किएक तँ ओ सभ हुनकर आवाज केँ चिन्‍हैत छनि।
4 Depois de levar para fora todas as que lhe pertencem, vai na frente delas, e elas o seguem, porque reconhecem a voz dele.
5 ओ सभ कोनो अपरिचित आदमीक पाछाँ कहियो नहि जायत, बल्‍कि ओकरा लग सँ भागत, किएक तँ अपरिचित लोकक आवाज ओ सभ नहि चिन्‍हैत छैक।”
5 Mas de modo nenhum seguirão o estranho; pelo contrário, fugirão dele, porque não conhecem a voz dos estranhos.
6 यीशु हुनका सभ केँ ई उदाहरण देलनि, मुदा हुनकर की कहबाक अर्थ छलनि, से ओ सभ नहि बुझलनि।
6 Jesus fez esta comparação, mas eles não compreenderam o sentido daquilo que ele falava.
7 तेँ ओ हुनका सभ केँ फेर कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे, भेँड़ा सभक लेल हमहीं द्वारि छी।
7 Então Jesus disse mais uma vez:
8 आरो सभ जे हमरा सँ पहिने आयल, से चोर और डाकू सभ छल, मुदा भेँड़ा ओकरा सभक बात नहि मानलक।
8 Todos os que vieram antes de mim são ladrões e salteadores, mas as ovelhas não lhes deram ouvidos.
9 द्वारि हम छी। हमरा बाटे जे प्रवेश करत से सुरक्षित राखल जायत। ओ भीतर-बाहर अबैत-जाइत रहत और चारा पाओत।
9 Eu sou a porta. Se alguém entrar por mim, será salvo; entrará, sairá e achará pastagem.
10 चोर खाली चोरी करबाक, जान मारबाक, और नष्‍ट करबाक उद्देश्‍य सँ अबैत अछि। मुदा हम एहि लेल आयल छी जे मनुष्‍य जीवन प्राप्‍त करय और परिपूर्णता सँ प्राप्‍त करय।
10 O ladrão vem somente para roubar, matar e destruir; eu vim para que tenham vida e a tenham em abundância.
11 “नीक चरबाह हम छी। नीक चरबाह भेँड़ाक लेल अपन प्राण दैत अछि।
11 — Eu sou o bom pastor. O bom pastor dá a vida pelas ovelhas.
12 जऽन-बोनिहार, जे ने चरबाह अछि आ ने भेँड़ाक मालिक अछि से चितुआ केँ अबैत देखि कऽ भेँड़ा सभ केँ छोड़ि कऽ भागि जाइत अछि। तखन चितुआ भेँड़ा केँ पकड़ऽ लगैत छैक और ओकरा सभ केँ छिड़िया दैत छैक।
12 O mercenário, que não é pastor, a quem não pertencem as ovelhas, vê o lobo chegando, abandona as ovelhas e foge; então o lobo as arrebata e dispersa.
13 जऽन-बोनिहार एहि लेल भागि जाइत अछि जे ओ खाली जऽन अछि और ओकरा भेँड़ाक लेल कोनो चिन्‍ता नहि रहैत छैक।
13 O mercenário foge, porque é mercenário e não se importa com as ovelhas.
14 “नीक चरबाह हम छी। जहिना पिता हमरा चिन्‍हैत छथि और हम पिता केँ चिन्‍हैत छियनि,
14 Eu sou o bom pastor. Conheço as minhas ovelhas, e elas me conhecem,
15 तहिना हम अपना भेँड़ा सभ केँ चिन्‍हैत छी और ओ सभ हमरा चिन्‍हैत अछि। और भेँड़ा सभक लेल हम अपन प्राण दैत छी।
15 assim como o Pai me conhece, e eu conheço o Pai; e dou a minha vida pelas ovelhas.
16 हमरा आरो भेँड़ा अछि जे एहि भेँड़शालाक नहि अछि। ओकरो सभ केँ हमरा लयबाक अछि। ओहो सभ हमर आवाज सुनत। तखन एके झुण्‍ड और एके चरबाह होयत।
16 Ainda tenho outras ovelhas, não deste aprisco. Preciso trazer também estas. Elas ouvirão a minha voz e, então, haverá um só rebanho e um só pastor.
17 “पिता हमरा सँ एहि लेल प्रेम करैत छथि जे हम अपन प्राण दैत छी जाहि सँ हम ओकरा फेर लऽ ली।
17 Por isso, o Pai me ama, porque eu dou a minha vida para recebê-la outra vez.
18 केओ हमर प्राण केँ हमरा सँ नहि छिनि लैत अछि, बल्‍कि हम अपना इच्‍छा सँ दऽ रहल छी। हमरा अपन जान देबाक अधिकार अछि और ओकरा फेर लऽ लेबाक अधिकार सेहो अछि। ई आज्ञा हम अपना पिता सँ प्राप्‍त कयने छी।”
18 Ninguém tira a minha vida; pelo contrário, eu espontaneamente a dou. Tenho autoridade para entregá-la e também para reavê-la. Este mandato recebi de meu Pai.
19 एहि बात सभक कारणेँ यहूदी सभ मे फेर मतभेद भऽ गेलनि।
19 Por causa dessas palavras, houve nova divisão entre os judeus.
20 बहुत लोक कहैत छलाह, “एकरा मे दुष्‍टात्‍मा छैक। ई बताह अछि! एकर बात किएक सुनबैक?”
20 Muitos deles diziam: — Ele tem demônio e enlouqueceu. Por que vocês ouvem o que ele diz?
21 मुदा दोसर सभ कहैत छलाह, “जकरा मे दुष्‍टात्‍मा छैक, से की एहन बात सभ कहत? की दुष्‍टात्‍मा कतौ आन्‍हरक आँखि खोलि सकैत अछि?”
21 Outros diziam: — Este modo de falar não é de endemoniado. Será que um demônio pode abrir os olhos aos cegos?
22 तखन यरूशलेम मे “मन्‍दिरक समर्पण” नामक पाबनि आबि गेल।
22 Celebrava-se em Jerusalém a Festa da Dedicação. Era inverno.
23 जाड़क मास छल, और यीशु मन्‍दिर मे ओहि असोरा पर टहलैत छलाह जे “सुलेमानक असोरा” कहबैत अछि।
23 Jesus passeava no templo, no Pórtico de Salomão.
24 यहूदी सभ हुनका चारू कात सँ घेरि कऽ कहलथिन, “कहिया तक अहाँ हमरा सभ केँ दुबिधा मे रखने रहब? अहाँ जँ परमेश्‍वरक मसीह छी तँ हमरा सभ केँ स्‍पष्‍ट कहि दिअ।”
24 Então os judeus o rodearam e disseram: — Até quando você nos deixará nesse suspense? Se você é o Cristo, diga francamente.
25 यीशु बजलाह, “हम अहाँ सभ केँ कहिए देने छी, मुदा अहाँ सभ विश्‍वास नहि करैत छी। जे काज हम अपना पिताक नाम सँ करैत छी, से हमर गवाही दैत अछि।
25 Jesus respondeu:
26 मुदा अहाँ सभ विश्‍वास नहि करैत छी किएक तँ अहाँ सभ हमर भेँड़ा नहि छी।
26 Mas vocês não creem, porque não são das minhas ovelhas.
27 हमर भेँड़ा हमर आवाज सुनैत अछि। हम ओकरा सभ केँ चिन्‍हैत छी और ओ सभ हमरा पाछाँ लागि जाइत अछि।
27 As minhas ovelhas ouvem a minha voz; eu as conheço, e elas me seguem.
28 हम ओकरा सभ केँ अनन्‍त जीवन दैत छी और ओ सभ कहियो नाश नहि होयत। हमरा हाथ सँ केओ ओकरा सभ केँ नहि छिनि लेत।
28 Eu lhes dou a vida eterna; jamais perecerão, e ninguém as arrebatará da minha mão.
29 हमर पिता, जे ओकरा सभ केँ हमरा देने छथि, से आरो सभ सँ शक्‍तिशाली छथि, तेँ हमरा पिताक हाथ सँ ओकरा सभ केँ केओ नहि छिनि सकैत अछि।
29 Aquilo que meu Pai me deu é maior do que tudo, e da mão do Pai ninguém pode arrebatar.
30 हम और पिता एक छी।”
30 Eu e o Pai somos um.
31 एहि पर यहूदी सभ फेर हुनका मारि देबाक लेल पाथर उठाबऽ लगलाह,
31 Os judeus mais uma vez pegaram pedras com a intenção de apedrejá-lo.
32 मुदा यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ पिताक तरफ सँ बहुत नीक-नीक काज कऽ कऽ देखा देलहुँ। एहि सभ मे सँ कोन काजक लेल हमरा मारि देबऽ चाहैत छी?”
32 Mas Jesus lhes disse:
33 यहूदी सभ हुनका उत्तर देलथिन, “कोनो नीक काजक लेल तोरा नहि मारऽ चाहैत छिऔ, बल्‍कि परमेश्‍वरक निन्‍दाक लेल, कारण तोँ मनुष्‍ये भऽ कऽ अपना केँ परमेश्‍वर कहैत छैं।”
33 Os judeus responderam: — Não é por obra boa que queremos apedrejá-lo, e sim por causa da blasfêmia. Pois, sendo você apenas um homem, está se fazendo de Deus.
34 यीशु बजलाह, “की अहाँ सभक धर्मशास्‍त्र मे नहि लिखल अछि जे, ‘हम कहलहुँ जे तोँ सभ ईश्‍वर छह’?
34 Jesus disse:
35 जँ तकरा सभ केँ ओ ‘ईश्‍वर’ कहलथिन जकरा सभ केँ परमेश्‍वरक वचन देल गेल—और धर्मशास्‍त्र कहियो गलत नहि ठहरि सकैत अछि—
35 Se ele chamou deuses àqueles a quem foi dirigida a palavra de Deus — e a Escritura não pode falhar —,
36 तँ जकरा पिता अपना पवित्र काजक लेल चुनि कऽ संसार मे पठौलथिन, तकरा पर परमेश्‍वरक निन्‍दा करबाक दोष किएक लगबैत छी जखन ओ कहैत अछि जे, ‘हम परमेश्‍वरक पुत्र छी’?
36 então como vocês dizem que aquele que o Pai santificou e enviou ao mundo está blasfemando, só porque declarei que sou Filho de Deus?
37 जँ हम अपना पिताक काज नहि कऽ रहल छी, तँ हमरा पर विश्‍वास नहि करू।
37 Se não faço as obras do meu Pai, não acreditem em mim.
38 मुदा जँ हम कऽ रहल छी, तँ हमरा पर जँ नहिओ विश्‍वास करब, तँ हमर काज पर विश्‍वास करू, जाहि सँ अहाँ सभ जानब और बुझब जे पिता हमरा मे छथि और हम पिता मे छी।”
38 Mas, se faço, e vocês não creem em mim, creiam pelo menos nas obras, para que vocês possam saber e compreender que o Pai está em mim e que eu estou no Pai.
39 ओ सभ हुनका फेर पकड़ऽ चाहैत छलनि, मुदा ओ हुनका सभक हाथ सँ बचि कऽ निकलि गेलाह।
39 Então tentaram outra vez prendê-lo, mas ele se livrou das mãos deles.
40 तखन यीशु फेर यरदन नदीक ओहि पार गेलाह जाहिठाम यूहन्‍ना शुरू मे बपतिस्‍मा दैत छलाह। ओ ओहिठाम रहलाह
40 Novamente Jesus se retirou para além do Jordão, para o lugar onde João batizava no início; e ali permaneceu.
41 और बहुत लोक हुनका लग आयल। ओ सभ कहलक, “ओना तँ यूहन्‍ना कोनो चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह नहि देखौलनि, तैयो जतेक बात ओ एहि व्‍यक्‍तिक बारे मे कहलनि, से सभ सत्‍य छल।”
41 E muitos iam até ele e diziam: — João não fez nenhum sinal, mas tudo o que ele disse a respeito deste homem era verdade.
42 और ओहिठाम बहुत लोक यीशु पर विश्‍वास कयलकनि।
42 E naquele lugar muitos creram nele.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 10, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.