Hebreus 7

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 ई मलकीसेदेक शालेम नगरक राजा आ सर्वोच्‍च परमेश्‍वरक पुरोहित छलाह। अब्राहम जखन चारिटा राजा सभ केँ पराजित कऽ कऽ आबि रहल छलाह तखन मलकीसेदेक हुनका सँ भेँट कऽ आशीर्वाद देलथिन
1 Este Melquisedec, rei de Salém, sacerdote do Deus Altíssimo, que saiu ao encontro de Abraão quando este regressava da derrota dos reis e o abençoou,
2 और अब्राहम राजा सभ सँ जे धन-सम्‍पत्ति जिति कऽ अनने छलाह ताहि मे सँ दसम अंश मलकीसेदेक केँ देलथिन। मलकीसेदेकक नामक अर्थ अछि “धार्मिकताक राजा”। फेर, शालेमक अर्थ अछि “शान्‍ति”, तेँ शालेमक राजा होयबाक कारणेँ हुनकर नामक अर्थ “शान्‍तिक राजा” सेहो भेलनि।
2 ao qual Abraão ofereceu o dízimo de todos os seus despojos, é, conforme seu nome indica, primeiramente "rei de justiça" e, depois, rei de Salém, isto é, "rei de paz".
3 मलकीसेदेकक माय-बाबू आ पूर्वज सभक सम्‍बन्‍ध मे किनको कोनो चर्चा नहि अछि आ ने हुनकर जन्‍म आ मृत्‍युक चर्चा अछि। ओ परमेश्‍वरक पुत्र जकाँ अनन्‍त कालक लेल पुरोहित छथि।
3 Sem pai, sem mãe, sem genealogia, a sua vida não tem começo nem fim; comparável sob todos os pontos ao Filho de Deus, permanece sacerdote para sempre.
4 मलकीसेदेक कतेक पैघ छलाह ताहि पर ध्‍यान करू—अपना सभक कुल-पिता अब्राहमो जिति कऽ आनल सम्‍पत्ति मे सँ हुनका दसम अंश देलथिन।
4 Considerai, pois, quão grande é aquele a quem até o patriarca Abraão deu o dízimo dos seus mais ricos espólios.
5 लेवीक सन्‍तान सभ मे सँ जे सभ पुरोहित बनैत अछि तकरा सभ केँ इस्राएली समाजक लोक, अर्थात् अपना भाय-बन्‍धु सभ सँ दसम अंश लेबाक आज्ञा धर्म-नियम मे देल गेल छैक, जखन कि सभ अब्राहमेक वंशज अछि।
5 Os filhos de Levi, revestidos do sacerdócio, na qualidade de filhos de Abraão, têm por missão receber o dízimo legal do povo, isto é, de seus irmãos.
6 मुदा मलकीसेदेक जे लेवी वंशक नहि छलाह से स्‍वयं अब्राहम सँ दसम अंश लेलनि आ अब्राहम केँ, जिनका परमेश्‍वर अपन वचन देने छलाह, आशीर्वाद देलथिन।
6 Naquele caso, porém, foi um estrangeiro que recebeu os dízimos de Abraão e abençoou o detentor das promessas.
7 ई निर्विवाद बात अछि जे आशीर्वाद देबऽ वला व्‍यक्‍ति आशीर्वाद पाबऽ वला व्‍यक्‍ति सँ पैघ होइत अछि।
7 Ora, é indiscutível: é o inferior que recebe a. bênção do que é superior.
8 एक दिस मरऽ वला मनुष्‍य, ⌞अर्थात्‌ लेवी वंशज सभ,⌟ दसम अंश पबैत अछि, मुदा दोसर दिस वैह दसम अंश पौलनि जिनका सम्‍बन्‍ध मे साक्षी देल गेल अछि जे ओ जीवित छथि, ⌞अर्थात्‌ मलकीसेदेक⌟।
8 De mais, aqui, os levitas que recebem os dízimos são homens mortais; lá, porém, se trata de alguém do qual é atestado que vive.
9 एहि सँ इहो कहल जा सकैत अछि जे लेवी, जकर सन्‍तान सभ दसम अंश पबैत अछि सेहो अपन पूर्वज अब्राहमक माध्‍यम सँ दसम अंश देलक।
9 Por fim, por assim dizer, também Levi, que recebe os dízimos, pagou-os na pessoa de Abraão,
10 कारण मलकीसेदेक आ अब्राहमक भेँट जहिया भेलनि, लेवी तहिओ अपन पूर्वज अब्राहमक शरीर मे उपस्‍थित छल।
10 pois ele já estava em germe no íntimo deste, quando aconteceu o encontro com Melquisedec.
11 इस्राएली समाज केँ देल गेल धर्म-नियम तँ लेवीक कुलक पुरोहित वला व्‍यवस्‍था पर आधारित छल। तेँ ओहि पुरोहित वला व्‍यवस्‍था द्वारा जँ लोक परमेश्‍वरक नजरि मे धार्मिक ठहराओल जा सकैत छल, तँ अन्‍य प्रकारक पुरोहित अयबाक आवश्‍यकता किएक होइत जे लेवीक कुलक हारूनक अनुरूप नहि, बल्‍कि मलकीसेदेकक अनुरूप छथि?
11 Se a perfeição tivesse sido realizada pelo sacerdócio levítico {porque é sobre este que se funda a legislação dada ao povo}, que necessidade havia ainda de que surgisse outro sacerdote segundo a ordem de Melquisedec, e não segundo a ordem de Aarão?
12 जखन पुरोहित वला व्‍यवस्‍था बदलि जाइत अछि तखन ई आवश्‍यक अछि जे धर्म-नियम केँ सेहो बदलल जाय।
12 Pois, transferido o sacerdócio, forçoso é que se faça também a mudança da lei.
13 अपना सभक प्रभु, जिनका विषय मे ई बात सभ कहल गेल, से एक दोसर कुलक छथि जाहि मे सँ कहियो केओ पुरोहितक रूप मे बलि-वेदी लग सेवा नहि कयलक।
13 De fato, aquele ao qual se aplicam estas palavras é de outra tribo, da qual ninguém foi encarregado do serviço do altar.
14 कारण, ई स्‍पष्‍ट अछि जे हुनकर जन्‍म यहूदाक कुल मे भेलनि और मूसा जखन पुरोहितक पदक विषय मे लिखैत छलाह तँ एहि कुलक कोनो चर्चा नहि कयलनि।
14 E é notório que nosso Senhor nasceu da tribo de Judá, tribo à qual Moisés nada encarregou ao falar do sacerdócio.
15 ई बात आरो स्‍पष्‍ट भऽ जाइत अछि जखन अपना सभ देखैत छी जे मलकीसेदेकक अनुरूप दोसर पुरोहित ठाढ़ भेलाह
15 Isto se torna ainda mais evidente se se tem em conta que este outro sacerdote, que surge à semelhança de Melquisedec,
16 जे कोनो वंश-क्रम पर आधारित नियमक अनुसार नहि, बल्‍कि अविनाशी जीवनक सामर्थ्‍यक आधार पर पुरोहित बनल छथि।
16 foi constituído não por prescrição de uma lei humana, mas pela sua imortalidade.
17 कारण, हुनका विषय मे यैह गवाही देल गेल अछि जे,
17 Porque está escrito: Tu és sacerdote eternamente, segundo a ordem de Melquisedec.
18 एहि तरहेँ पहिलुका नियम निर्बल आ अनुपयोगी होयबाक कारणेँ रद्द कऽ देल गेल,
18 Com isso, está abolida a antiga legislação, por causa de sua ineficácia e inutilidade.
19 कारण, ओहि धर्म-नियम द्वारा केओ धार्मिक नहि भऽ सकैत छल। और आब ओकरा बदला मे ओहि सँ नीक बात देल गेल अछि, अर्थात्‌, ओ आशा जकरा द्वारा अपना सभ परमेश्‍वर लग अबैत छी।
19 Pois a lei nada levou à perfeição. Apenas foi portadora de uma esperança melhor que nos leva a Deus.
20 परमेश्‍वर बिनु सपत खा कऽ पुरोहितक पद यीशु केँ नहि देलनि। आन पुरोहित सभ बिनु सपतक नियुक्‍त कयल गेल।
20 E isso não foi feito sem juramento. Os outros sacerdotes foram instituídos sem juramento.
21 मुदा यीशु सपतक संग पुरोहित बनाओल गेलाह जखन परमेश्‍वर हुनका कहलथिन, “प्रभु सपत खयने छथि आ अपना विचार सँ ओ फिरताह नहि—अहाँ अनन्‍त समयक लेल पुरोहित छी।”
21 Para ele, ao contrário, interveio o juramento daquele que disse: Jurou o Senhor e não se arrependerá: tu és sacerdote eternamente.
22 एहि सपत द्वारा यीशु परमेश्‍वर आ लोकक बीच एक एहन नव सम्‍बन्‍धक जमानत भेल छथि जे पहिल सम्‍बन्‍ध सँ श्रेष्‍ठ अछि।
22 E esta aliança da qual Jesus é o Senhor, é-lhe muito superior.
23 एतबे नहि, ओहि पुरोहित सभक संख्‍या विशेष भेल, कारण मृत्‍यु ओकरा सभ केँ स्‍थायी नहि रहऽ देलक।
23 Além disso, os primeiros sacerdotes deviam suceder-se em grande número, porquanto a morte não permitia que permanecessem sempre.
24 मुदा यीशु सदाकालक लेल जीवित छथि आ तेँ हुनकर पुरोहितक पद स्‍थायी छनि।
24 Este, porque vive para sempre, possui um sacerdócio eterno.
25 निष्‍कर्ष ई जे, जे सभ यीशु द्वारा परमेश्‍वर लग अबैत अछि तकरा सभक पूरा-पूरा उद्धार करऽ मे यीशु सामर्थी छथि, कारण, ओ ओकरा सभक पक्ष सँ निवेदन करबाक लेल सर्वदा जीवित छथि।
25 É por isso que lhe é possível levar a termo a salvação daqueles que por ele vão a Deus, porque vive sempre para interceder em seu favor.
26 एहि तरहेँ अपना सभ केँ जाहि प्रकारक महापुरोहितक आवश्‍यकता अछि, यीशु ठीक ओहने महापुरोहित छथि। ओ पवित्र, निर्दोष, निष्‍कलंक छथि, पापी सभ सँ अलग कयल और सर्वोच्‍च स्‍वर्ग मे प्रतिष्‍ठित कयल गेल छथि।
26 Tal é, com efeito, o Pontífice que nos convinha: santo, inocente, imaculado, separado dos pecadores e elevado além dos céus,
27 आन महापुरोहित सभ जकाँ हुनका प्रतिदिन पहिने अपना पापक लेल तखन फेर लोक सभक पापक लेल बलि चढ़ाबऽ नहि पड़ैत छनि। ओ अपने केँ बलि चढ़ा कऽ एके बेर मे सदाकालक लेल बलि चढ़ौलनि।
27 que não tem necessidade, como os outros sumos sacerdotes, de oferecer todos os dias sacrifícios, primeiro pelos pecados próprios, depois pelos do povo; pois isto o fez de uma só vez para sempre, oferecendo-se a si mesmo.
28 धर्म-नियम द्वारा महापुरोहित सभ मनुष्‍ये सभ मे सँ नियुक्‍त कयल जाइत अछि, और मनुष्‍य निर्बल अछि, मुदा ओ सपत जे धर्म-नियमक बाद खायल गेल, ताहि सपत द्वारा परमेश्‍वरक पुत्र नियुक्‍त कयल गेलाह आ ओ सदाकालक लेल सिद्ध बनाओल गेल छथि।
28 Enquanto a lei elevava ao sacerdócio homens sujeitos às fraquezas, o juramento, que sucedeu à lei, constitui o Filho, que é eternamente perfeito.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Hebreus 7, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.