Hebreus 2

jivən səndesh (MAI) vs BKJ

Sair da comparação
1 तेँ ई आवश्‍यक अछि जे जाहि बात केँ अपना सभ सुनने छी ताहि पर आरो विशेष ध्‍यान दी जाहि सँ एना नहि होअय जे अपना सभ भटकि जाइ।
1 Portanto, convém-nos atentar com a mais zelosa atenção, às coisas que temos ouvido, para que em nenhum momento as deixemos escapar.
2 कारण, जँ स्‍वर्गदूतो सभ द्वारा सुनाओल सम्‍बाद अटल रहल और प्रत्‍येक अपराधक लेल आ आज्ञा उल्‍लंघनक लेल जँ उचित दण्‍ड भेटलैक,
2 Porque, se a palavra dita pelos anjos foi inflexível, e cada transgressão e desobediência recebeu uma justa retribuição,
3 तँ आब अपना सभ जँ एहन उत्तम उद्धार केँ तुच्‍छ मानी तँ कोना बाँचि सकब? एहि उद्धारक सम्‍बन्‍ध मे सभ सँ पहिने प्रभु अपने सुनौलनि और तकरबाद जे सभ हुनका सँ सुनलनि से सभ अपना सभक लेल एकर पुष्‍टि कयलनि।
3 como escaparemos nós, se negligenciarmos tão grande salvação, a qual, a princípio começou a ser proclamada pelo Senhor, e foi-nos confirmada por aqueles que o ouviram;
4 परमेश्‍वर सेहो प्रमाणित कयलनि जे ई बात सत्‍य अछि—ओ विभिन्‍न प्रकारक चिन्‍ह, चमत्‍कार आ सामर्थ्‍यक काज सभ करैत और अपन इच्‍छाक अनुरूप पवित्र आत्‍माक वरदान सभ बँटैत एहि उद्धार केँ सत्‍य ठहरौलनि।
4 Deus também lhes foi por testemunha, com sinais e maravilhas, e com diversos milagres e dons do Espírito Santo, de acordo com sua própria vontade?
5 परमेश्‍वर आबऽ वला संसार केँ, जकर चर्चा हम सभ कऽ रहल छी तकरा स्‍वर्गदूत सभक अधीन नहि कयलनि।
5 Porque aos anjos ele não sujeitou o mundo futuro, do qual falamos.
6 बल्‍कि धर्मशास्‍त्र मे केओ एहि विषय मे साक्षी दैत ई कहैत छथि जे,
6 Mas alguém, em um certo lugar testificou, dizendo: O que é o homem, para que lhe dê atenção? Ou o filho do homem, para que o visites?
7 अहाँ ओकरा स्‍वर्गदूत सभ सँ कनेक छोट बनौलहुँ
7 Tu o fizeste um pouco menor do que os anjos, tu o coroaste de glória e de honra, e o puseste sobre as obras de tuas mãos.
8 और सभ किछु ओकर पयरक नीचाँ ओकरा अधीन मे कयलहुँ।”
8 Tu lhe sujeitaste todas as coisas sob seus pés. Para que nisso ele sujeitasse todas as coisas sob ele, e nada sobrasse que não fosse sujeito a ele. Mas, agora, ainda não vemos que todas as coisas lhe estejam sujeitas.
9 मुदा अपना सभ यीशु केँ देखैत छी जे स्‍वर्गदूत सभ सँ कनेक छोट बनाओल गेल छलाह जाहि सँ ओ परमेश्‍वरक कृपा सँ प्रत्‍येक मनुष्‍यक लेल मृत्‍युक अनुभव करथि। आब हुनका महिमा आ आदरक मुकुट पहिराओल गेलनि, से अपना सभ देखैत छी, कारण, ओ सभक लेल मृत्‍यु केँ भोगलनि।
9 Porém, vemos Jesus, que foi feito um pouco menor do que os anjos, por causa do sofrimento da morte, coroado com glória e honra, para que pela graça de Deus pudesse provar a morte no lugar de cada homem.
10 परमेश्‍वर, जिनका लेल आ जिनका द्वारा सभ वस्‍तुक रचना कयल गेल, तिनका ई उचित छलनि जे बहुतो पुत्र सभ केँ अपन महिमाक राज्‍य मे अनबाक लेल ओ यीशु केँ, जे ओकरा सभक उद्धारक बाट बनौनिहार छथि, कष्‍ट भोगबा कऽ पूर्ण बनबथि।
10 Pois convinha a ele, para quem são todas as coisas, e por quem são todas as coisas, em trazer muitos filhos à glória, fazer o capitão da salvação deles perfeito através de sofrimentos.
11 पाप सँ शुद्ध कयनिहार यीशु, आ पाप सँ शुद्ध भेनिहार लोक सभ, दूनूक पिता एके छथि, तेँ यीशु ओकरा सभ केँ अपन भाय कहि कऽ सम्‍बोधन करऽ मे लाज नहि मानैत छथि।
11 Porque tanto o que santifica, como os que são santificados, são todos de um; por cuja causa ele não se envergonha de lhes chamar de irmãos,
12 जेना कि यीशु परमेश्‍वर केँ कहैत छथिन,
12 dizendo: Anunciarei o teu nome a meus irmãos, no meio da igreja cantar-te-ei louvores.
13 फेर ई,
13 E outra vez: Porei nele a minha confiança. E novamente: Contemple a mim e aos filhos que Deus me deu.
14 जहिना “ओ बच्‍चा सभ” रक्‍त-माँसक होइत अछि तहिना यीशु सेहो मनुष्‍य बनलाह। ओ एहि लेल मनुष्‍य बनलाह जाहि सँ मृत्‍यु केँ भोगि कऽ ओ तकर शक्‍ति तोड़ि देथि, जकरा हाथ मे मृत्‍युक शक्‍ति छैक, अर्थात् शैतान,
14 E já que os filhos são participantes da carne e do sangue, ele também participou das mesmas coisas, para que através da morte ele destruísse aquele que tinha o poder da morte, isto é, o diabo;
15 आ तकरा सभ केँ मुक्‍त करथि जे सभ जीवन भरि मृत्‍युक डर सँ बन्‍हन मे पड़ल छल।
15 e livrasse aqueles que, por terem medo da morte, estavam por toda a vida sujeitos à servidão.
16 कारण, ई स्‍पष्‍ट अछि जे यीशु स्‍वर्गदूत सभक नहि, बल्‍कि अब्राहमक वंशज सभक सहायता करैत छथि।
16 Porque, na verdade, ele não assumiu a natureza dos anjos, mas ele tomou a semente de Abraão.
17 तेँ ई आवश्‍यक छल जे सभ बात मे ओ अपन भाय सभक तुल्‍य बनथि जाहि सँ ओ परमेश्‍वरक सेवा मे दयावान आ विश्‍वासयोग्‍य महापुरोहित बनथि आ लोक सभक पापक प्रायश्‍चित्त कऽ सकथि।
17 Por isso, em todas as coisas, convinha-lhe que fosse feito semelhante aos irmãos, para que fosse um sumo sacerdote misericordioso e fiel em todas as coisas que pertencessem a Deus, para operar a reconciliação por causa dos pecados do povo.
18 यीशु स्‍वयं कष्‍ट भोगलनि जखन शैतान द्वारा हुनका सँ परीक्षा लेल गेलनि आ तेँ ओ आब ओकरा सभक सहायता कऽ सकैत छथि जे सभ परीक्षा मे पड़ल अछि।
18 Porque naquilo que ele mesmo sofreu sendo tentado, ele pode socorrer aos que são tentados.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Hebreus 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.