Gálatas 1
jivən səndesh (MAI) vs ARC
1 ई पत्र हम मसीह-दूत पौलुस लिखि रहल छी, जे ने तँ मनुष्य सभक दिस सँ आ ने कोनो मनुष्यक द्वारा मसीह-दूत नियुक्त भेल छी, बल्कि यीशु मसीह द्वारा आ पिता परमेश्वर द्वारा, जे यीशु मसीह केँ मृत्यु मे सँ जिऔलथिन।
1 Paulo, apóstolo (não da parte dos homens, nem por homem algum, mas por Jesus Cristo e por Deus Pai, que o ressuscitou dos mortos),
2 हम आ हमरा संग जतेक भाय लोकनि छथि से सभ ई पत्र गलातिया प्रदेशक मण्डली सभ केँ लिखि रहल छी।
2 e todos os irmãos que estão comigo, às igrejas da Galácia:
3 अपना सभक पिता परमेश्वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँ सभ पर कृपा करथि और अहाँ सभ केँ शान्ति देथि।
3 graça e paz, da parte de Deus Pai e da de nosso Senhor Jesus Cristo,
4 मसीह अपना सभक पापक प्रायश्चित्तक लेल अपना केँ अर्पित कयलनि जाहि सँ एहि वर्तमान पापमय संसारक वश सँ अपना सभ केँ बचबथि। ई अपना सभक पिता परमेश्वरक इच्छाक अनुसार भेल,
4 o qual se deu a si mesmo por nossos pecados, para nos livrar do presente século mau, segundo a vontade de Deus, nosso Pai,
5 जिनकर प्रशंसा युगानुयुग होइत रहनि। आमीन।
5 ao qual glória para todo o sempre. Amém!
6 हमरा आश्चर्य होइत अछि जे, जे परमेश्वर मसीहक कृपा द्वारा अहाँ सभ केँ बजौलनि तिनका अहाँ सभ कोना एतेक जल्दी त्यागि कऽ कोनो दोसरे सुसमाचारक दिस घूमि रहल छी।
6 Maravilho-me de que tão depressa passásseis daquele que vos chamou à graça de Cristo para outro evangelho,
7 दोसर सुसमाचार तँ कोनो अछिए नहि, मुदा किछु लोक अछि जे अहाँ सभ केँ विचलित कऽ रहल अछि आ मसीहक सुसमाचार केँ बिगाड़ऽ चाहैत अछि।
7 o qual não é outro, mas há alguns que vos inquietam e querem transtornar o evangelho de Cristo.
8 परन्तु जँ हमहूँ सभ वा स्वर्गक कोनो दूतो ओहि सुसमाचार केँ छोड़ि जे हम सभ अहाँ सभ केँ सुनौलहुँ, कोनो आन सुसमाचार अहाँ सभ केँ सुनाबय तँ ओ परमेश्वर द्वारा सरापित होअय!
8 Mas, ainda que nós mesmos ou um anjo do céu vos anuncie outro evangelho além do que já vos tenho anunciado, seja anátema.
9 हम सभ जे बात पहिनो कहि चुकल छी सैह हम दोहरबैत छी—जे शुभ समाचार अहाँ सभ स्वीकार कयने छी, जँ ओहि सँ अलग कोनो सुसमाचार केओ अहाँ सभ केँ सुनाबय तँ ओ परमेश्वर द्वारा सरापित होअय!
9 Assim como já vo-lo dissemos, agora de novo também vo-lo digo: se alguém vos anunciar outro evangelho além do que já recebestes, seja anátema.
10 की आब हम मनुष्य सभ सँ प्रशंसा पाबऽ चाहैत छी वा परमेश्वर सँ? की हम मनुष्य सभ केँ प्रसन्न करबाक प्रयास कऽ रहल छी? जँ हम एखनो धरि मनुष्य सभ केँ प्रसन्न करबाक प्रयत्न करैत रहितहुँ तँ हम मसीहक सेवक नहि होइतहुँ।
10 Porque persuado eu agora a homens ou a Deus? Ou procuro agradar a homens? Se estivesse ainda agradando aos homens, não seria servo de Cristo.
11 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ ई बुझि लिअ जे हम जे सुसमाचार अहाँ सभ केँ सुनौलहुँ से मनुष्य द्वारा रचित नहि अछि।
11 Mas faço-vos saber, irmãos, que o evangelho que por mim foi anunciado não é segundo os homens,
12 किएक तँ ओ ने हमरा कोनो मनुष्य सँ प्राप्त भेल आ ने केओ हमरा सिखौलक, बल्कि तकर ज्ञान यीशु मसीह अपने हमरा देलनि।
12 porque não o recebi, nem aprendi de homem algum, mas pela revelação de Jesus Cristo.
13 अहाँ सभ तँ सुनि चुकल छी जे पहिने जखन हम यहूदी धर्म मानैत छलहुँ तँ हमर व्यवहार केहन छल। हम परमेश्वरक मण्डली पर घोर अत्याचार करैत छलहुँ आ ओकरा नष्ट करबाक प्रयत्न करैत छलहुँ।
13 Porque já ouvistes qual foi antigamente a minha conduta no judaísmo, como sobremaneira perseguia a igreja de Deus e a assolava.
14 हम अपना तुरियाक बहुतो यहूदी सभक अपेक्षा यहूदी धर्मक पालन करबा मे आगू रही आ अपन पुरखा लोकनिक परम्परा सभक कट्टर समर्थक छलहुँ।
14 E, na minha nação, excedia em judaísmo a muitos da minha idade, sendo extremamente zeloso das tradições de meus pais.
15 मुदा परमेश्वर मायक गर्भे सँ हमरा अपना लेल अलग रखने छलाह आ हमरा पर कृपा कऽ हमरा बजौलनि।
15 Mas, quando aprouve a Deus, que desde o ventre de minha mãe me separou e me chamou pela sua graça,
16 जखन ओ अपना इच्छाक अनुसार अपना पुत्र केँ हमरा चिन्हौलनि जाहि सँ हम गैर-यहूदी सभ मे हुनकर सुसमाचार सुनाबी, तखन हम एहि सम्बन्ध मे कोनो मनुष्यक संग विचार-विमर्श नहि कयलहुँ,
16 revelar seu Filho em mim, para que o pregasse entre os gentios, não consultei carne nem sangue,
17 आ ने हम यरूशलेम मे हुनका सभ लग गेलहुँ जे सभ हमरा सँ पहिने सँ मसीह-दूत छलाह, बल्कि हम सोझे अरब देश चल गेलहुँ आ बाद मे फेर दमिश्क नगर घूमि अयलहुँ।
17 nem tornei a Jerusalém, a ter com os que já antes de mim eram apóstolos, mas parti para a Arábia e voltei outra vez a Damasco.
18 हम तीन वर्षक बाद पत्रुस सँ भेँट करबाक लेल यरूशलेम गेलहुँ आ हुनका संग पन्द्रह दिन रहलहुँ।
18 Depois, passados três anos, fui a Jerusalém para ver a Pedro e fiquei com ele quinze dias.
19 मुदा प्रभुक भाय याकूब केँ छोड़ि हमरा आरो मसीह-दूत मे सँ किनको सँ भेँट नहि भेल।
19 E não vi a nenhum outro dos apóstolos, senão a Tiago, irmão do Senhor.
20 परमेश्वर हमर गवाह छथि जे हम जे अहाँ सभ केँ लिखि रहल छी से झूठ नहि अछि।
20 Ora, acerca do que vos escrevo, eis que diante de Deus testifico que não minto.
21 तकरबाद हम सीरिया आ किलिकिया प्रदेश गेलहुँ।
21 Depois, fui para as partes da Síria e da Cilícia.
22 ओहि समय मे यहूदिया प्रदेशक मसीहक मण्डली सभ हमरा व्यक्तिगत रूप सँ नहि चिन्हैत छलाह।
22 E não era conhecido de vista das igrejas da Judeia, que estavam em Cristo;
23 ओ सभ एतबे सुनने छलाह जे, “जे व्यक्ति पहिने हमरा सभ पर अत्याचार करैत छल वैह आब ओहि विश्वासक प्रचार करैत अछि जकर ओ पहिने सर्वनाश करबाक प्रयत्न करैत छल।”
23 mas somente tinham ouvido dizer: Aquele que já nos perseguiu anuncia, agora, a fé que, antes, destruía.
24 आ ओ सभ हमरा विषय मे परमेश्वरक प्रशंसा कयलनि।
24 E glorificavam a Deus a respeito de mim.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Gálatas 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.