Gálatas 1

jivən səndesh (MAI) vs ARA

Sair da comparação
ARA Almeida Revista e Atualizada 1993
1 ई पत्र हम मसीह-दूत पौलुस लिखि रहल छी, जे ने तँ मनुष्‍य सभक दिस सँ आ ने कोनो मनुष्‍यक द्वारा मसीह-दूत नियुक्‍त भेल छी, बल्‍कि यीशु मसीह द्वारा आ पिता परमेश्‍वर द्वारा, जे यीशु मसीह केँ मृत्‍यु मे सँ जिऔलथिन।
1 Paulo, apóstolo, não da parte de homens, nem por intermédio de homem algum, mas por Jesus Cristo e por Deus Pai, que o ressuscitou dentre os mortos,
2 हम आ हमरा संग जतेक भाय लोकनि छथि से सभ ई पत्र गलातिया प्रदेशक मण्‍डली सभ केँ लिखि रहल छी।
2 e todos os irmãos meus companheiros, às igrejas da Galácia,
3 अपना सभक पिता परमेश्‍वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँ सभ पर कृपा करथि और अहाँ सभ केँ शान्‍ति देथि।
3 graça a vós outros e paz, da parte de Deus, nosso Pai, e do [nosso] Senhor Jesus Cristo,
4 मसीह अपना सभक पापक प्रायश्‍चित्तक लेल अपना केँ अर्पित कयलनि जाहि सँ एहि वर्तमान पापमय संसारक वश सँ अपना सभ केँ बचबथि। ई अपना सभक पिता परमेश्‍वरक इच्‍छाक अनुसार भेल,
4 o qual se entregou a si mesmo pelos nossos pecados, para nos desarraigar deste mundo perverso, segundo a vontade de nosso Deus e Pai,
5 जिनकर प्रशंसा युगानुयुग होइत रहनि। आमीन।
5 a quem seja a glória pelos séculos dos séculos. Amém!
6 हमरा आश्‍चर्य होइत अछि जे, जे परमेश्‍वर मसीहक कृपा द्वारा अहाँ सभ केँ बजौलनि तिनका अहाँ सभ कोना एतेक जल्‍दी त्‍यागि कऽ कोनो दोसरे सुसमाचारक दिस घूमि रहल छी।
6 Admira-me que estejais passando tão depressa daquele que vos chamou na graça de Cristo para outro evangelho,
7 दोसर सुसमाचार तँ कोनो अछिए नहि, मुदा किछु लोक अछि जे अहाँ सभ केँ विचलित कऽ रहल अछि आ मसीहक सुसमाचार केँ बिगाड़ऽ चाहैत अछि।
7 o qual não é outro, senão que há alguns que vos perturbam e querem perverter o evangelho de Cristo.
8 परन्‍तु जँ हमहूँ सभ वा स्‍वर्गक कोनो दूतो ओहि सुसमाचार केँ छोड़ि जे हम सभ अहाँ सभ केँ सुनौलहुँ, कोनो आन सुसमाचार अहाँ सभ केँ सुनाबय तँ ओ परमेश्‍वर द्वारा सरापित होअय!
8 Mas, ainda que nós ou mesmo um anjo vindo do céu vos pregue evangelho que vá além do que vos temos pregado, seja anátema.
9 हम सभ जे बात पहिनो कहि चुकल छी सैह हम दोहरबैत छी—जे शुभ समाचार अहाँ सभ स्‍वीकार कयने छी, जँ ओहि सँ अलग कोनो सुसमाचार केओ अहाँ सभ केँ सुनाबय तँ ओ परमेश्‍वर द्वारा सरापित होअय!
9 Assim, como já dissemos, e agora repito, se alguém vos prega evangelho que vá além daquele que recebestes, seja anátema.
10 की आब हम मनुष्‍य सभ सँ प्रशंसा पाबऽ चाहैत छी वा परमेश्‍वर सँ? की हम मनुष्‍य सभ केँ प्रसन्‍न करबाक प्रयास कऽ रहल छी? जँ हम एखनो धरि मनुष्‍य सभ केँ प्रसन्‍न करबाक प्रयत्‍न करैत रहितहुँ तँ हम मसीहक सेवक नहि होइतहुँ।
10 Porventura, procuro eu, agora, o favor dos homens ou o de Deus? Ou procuro agradar a homens? Se agradasse ainda a homens, não seria servo de Cristo.
11 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ ई बुझि लिअ जे हम जे सुसमाचार अहाँ सभ केँ सुनौलहुँ से मनुष्‍य द्वारा रचित नहि अछि।
11 Faço-vos, porém, saber, irmãos, que o evangelho por mim anunciado não é segundo o homem,
12 किएक तँ ओ ने हमरा कोनो मनुष्‍य सँ प्राप्‍त भेल आ ने केओ हमरा सिखौलक, बल्‍कि तकर ज्ञान यीशु मसीह अपने हमरा देलनि।
12 porque eu não o recebi, nem o aprendi de homem algum, mas mediante revelação de Jesus Cristo.
13 अहाँ सभ तँ सुनि चुकल छी जे पहिने जखन हम यहूदी धर्म मानैत छलहुँ तँ हमर व्‍यवहार केहन छल। हम परमेश्‍वरक मण्‍डली पर घोर अत्‍याचार करैत छलहुँ आ ओकरा नष्‍ट करबाक प्रयत्‍न करैत छलहुँ।
13 Porque ouvistes qual foi o meu proceder outrora no judaísmo, como sobremaneira perseguia eu a igreja de Deus e a devastava.
14 हम अपना तुरियाक बहुतो यहूदी सभक अपेक्षा यहूदी धर्मक पालन करबा मे आगू रही आ अपन पुरखा लोकनिक परम्‍परा सभक कट्टर समर्थक छलहुँ।
14 E, na minha nação, quanto ao judaísmo, avantajava-me a muitos da minha idade, sendo extremamente zeloso das tradições de meus pais.
15 मुदा परमेश्‍वर मायक गर्भे सँ हमरा अपना लेल अलग रखने छलाह आ हमरा पर कृपा कऽ हमरा बजौलनि।
15 Quando, porém, ao que me separou antes de eu nascer e me chamou pela sua graça, aprouve
16 जखन ओ अपना इच्‍छाक अनुसार अपना पुत्र केँ हमरा चिन्‍हौलनि जाहि सँ हम गैर-यहूदी सभ मे हुनकर सुसमाचार सुनाबी, तखन हम एहि सम्‍बन्‍ध मे कोनो मनुष्‍यक संग विचार-विमर्श नहि कयलहुँ,
16 revelar seu Filho em mim, para que eu o pregasse entre os gentios, sem detença, não consultei carne e sangue,
17 आ ने हम यरूशलेम मे हुनका सभ लग गेलहुँ जे सभ हमरा सँ पहिने सँ मसीह-दूत छलाह, बल्‍कि हम सोझे अरब देश चल गेलहुँ आ बाद मे फेर दमिश्‍क नगर घूमि अयलहुँ।
17 nem subi a Jerusalém para os que já eram apóstolos antes de mim, mas parti para as regiões da Arábia e voltei, outra vez, para Damasco.
18 हम तीन वर्षक बाद पत्रुस सँ भेँट करबाक लेल यरूशलेम गेलहुँ आ हुनका संग पन्‍द्रह दिन रहलहुँ।
18 Decorridos três anos, então, subi a Jerusalém para avistar-me com Cefas e permaneci com ele quinze dias;
19 मुदा प्रभुक भाय याकूब केँ छोड़ि हमरा आरो मसीह-दूत मे सँ किनको सँ भेँट नहि भेल।
19 e não vi outro dos apóstolos, senão Tiago, o irmão do Senhor.
20 परमेश्‍वर हमर गवाह छथि जे हम जे अहाँ सभ केँ लिखि रहल छी से झूठ नहि अछि।
20 Ora, acerca do que vos escrevo, eis que diante de Deus testifico que não minto.
21 तकरबाद हम सीरिया आ किलिकिया प्रदेश गेलहुँ।
21 Depois, fui para as regiões da Síria e da Cilícia.
22 ओहि समय मे यहूदिया प्रदेशक मसीहक मण्‍डली सभ हमरा व्‍यक्‍तिगत रूप सँ नहि चिन्‍हैत छलाह।
22 E não era conhecido de vista das igrejas da Judeia, que estavam em Cristo.
23 ओ सभ एतबे सुनने छलाह जे, “जे व्‍यक्‍ति पहिने हमरा सभ पर अत्‍याचार करैत छल वैह आब ओहि विश्‍वासक प्रचार करैत अछि जकर ओ पहिने सर्वनाश करबाक प्रयत्‍न करैत छल।”
23 Ouviam somente dizer: Aquele que, antes, nos perseguia, agora, prega a fé que, outrora, procurava destruir.
24 आ ओ सभ हमरा विषय मे परमेश्‍वरक प्रशंसा कयलनि।
24 E glorificavam a Deus a meu respeito.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Gálatas 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.