Filemom 1

jivən səndesh (MAI) vs ACF

Sair da comparação
ACF Almeida Corrigida Fiel
1 हम पौलुस, जे मसीह यीशुक कारणेँ जहल मे बन्‍दी छी, से अपना सभक भाय तिमुथियुसक संग अहाँ फिलेमोन केँ, जे हमरा सभक प्रिय मित्र आ सहकर्मी छी, ई पत्र लिखि रहल छी।
1 Paulo, prisioneiro de Jesus Cristo, e o irmão Timóteo, ao amado Filemom, nosso cooperador,
2 संगहि, अहाँक घर मे जमा होमऽ वला मण्‍डली, बहिन अपफिया, और अरखिप्‍पुस केँ, जे शुभ समाचारक काज मे हमरा सभक संगी-सैनिक छथि तिनको सभ केँ लिखि रहल छी।
2 E à nossa amada Áfia, e a Arquipo, nosso camarada, e à igreja que está em tua casa:
3 अपना सभक पिता परमेश्‍वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँ सभ पर कृपा करथि और अहाँ सभ केँ शान्‍ति देथि।
3 Graça a vós e paz da parte de Deus nosso Pai, e do Senhor Jesus Cristo.
4 यौ फिलेमोन, हम जखन कखनो अपना प्रार्थना सभ मे अहाँ केँ स्‍मरण करैत छी तँ अपना परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दैत छियनि।
4 Graças dou ao meu Deus, lembrando-me sempre de ti nas minhas orações;
5 कारण, प्रभु यीशु पर अहाँक जे विश्‍वास अछि, आ हुनकर समस्‍त लोकक प्रति जे प्रेम अछि, तकर चर्चा सुनैत रहैत छी।
5 Ouvindo do teu amor e da fé que tens para com o Senhor Jesus Cristo, e para com todos os santos;
6 हम प्रभु सँ प्रार्थना करैत छी जे, विश्‍वास मे जे अहाँक सहभागिता अछि, से अहाँ मे सक्रिय भऽ कऽ अहाँ केँ ई बुद्धि और अनुभव प्रदान करय जे अपना सभ मसीहक लेल केहन-केहन भलाइक काज करऽ मे सक्षम छी।
6 Para que a comunicação da tua fé seja eficaz no conhecimento de todo o bem que em vós há por Cristo Jesus.
7 यौ भाइ, हमरा ई जानि कऽ बहुत आनन्‍द आ उत्‍साह भेटल जे अहाँ अपन प्रेमपूर्ण व्‍यवहार द्वारा परमेश्‍वरक लोकक मोन उत्‍साहित कयलहुँ अछि।
7 Porque temos grande gozo e consolação do teu amor, porque por ti, ó irmão, as entranhas dos santos foram recreadas.
8 एहि लेल, हम एकटा निवेदन करैत छी, ओना तँ हमरा मसीह सँ भेटल अधिकार अछि जे हम अहाँ केँ आज्ञा दी जे अहाँ केँ की करबाक चाही, तैयो हम आज्ञा नहि दऽ कऽ,
8 Por isso, ainda que tenha em Cristo grande confiança para te mandar o que te convém,
9 प्रेमक आधार पर अहाँ सँ एकटा विनतिए करैत छी—हम पौलुस, जे आब बूढ़ भऽ गेल छी आ मसीह यीशुक लेल एखन जहल मे छी।
9 Todavia peço-te antes por amor, sendo eu tal como sou, Paulo o velho, e também agora prisioneiro de Jesus Cristo.
10 हम अपना बेटाक लेल अहाँ सँ विनती कऽ रहल छी, हँ, उनेसिमुसक लेल। हमरा तँ एहि जहल मे रहैत काल मे आत्‍मिक दृष्‍टि सँ ओ हमर बेटा बनि गेल अछि।
10 Peço-te por meu filho Onésimo, que gerei nas minhas prisões;
11 पहिने ओ अहाँक लेल बेकाजक छल, मुदा आब ओ अहूँक लेल आ हमरो लेल उपयोगी भऽ गेल अछि।
11 O qual noutro tempo te foi inútil, mas agora a ti e a mim muito útil; eu to tornei a enviar.
12 हम उनेसिमुस केँ, जे हमर करेजक टुकड़ा अछि, अहाँ लग वापस पठा रहल छी।
12 E tu torna a recebê-lo como às minhas entranhas.
13 हम तँ चाहैत छलहुँ जे ओकरा एतऽ अपने लग राखी, जाहि सँ शुभ समाचारक कारणेँ जे हमर ई कैदी वला अवस्‍था अछि, ताहि मे ओ हमर वैह सेवा करय जे अहाँ हमरा लेल करितहुँ।
13 Eu bem o quisera conservar comigo, para que por ti me servisse nas prisões do evangelho;
14 मुदा हम अहाँक सहमति बिना नहि किछु करऽ चाहलहुँ, जाहि सँ अहाँ द्वारा कयल कोनो उपकार दबाब सँ नहि, बल्‍कि स्‍वेच्‍छा सँ होअय।
14 Mas nada quis fazer sem o teu parecer, para que o teu benefício não fosse como por força, mas, voluntário.
15 कारण, भऽ सकैत अछि जे ओ किछु समयक लेल अहाँ सँ एहि लेल अलग भेल जे ओ फेर आबि कऽ सभ दिनक लेल अहाँक होअय,
15 Porque bem pode ser que ele se tenha separado de ti por algum tempo, para que o retivesses para sempre,
16 आब गुलामक रूप मे नहि, बल्‍कि गुलाम सँ बहुत बढ़ि कऽ—प्रिय भायक रूप मे। ओ हमरा लेल अत्‍यन्‍त प्रिय अछि, मुदा अहाँक लेल एहू सँ प्रिय—एक मनुष्‍यक रूप मे और प्रभु मे भायक रूप मे!
16 Não já como servo, antes, mais do que servo, como irmão amado, particularmente de mim, e quanto mais de ti, assim na carne como no Senhor?
17 तेँ जँ प्रभुक सेवा मे अहाँ हमरा अपना संग-संग काज कयनिहार बुझैत छी, तँ एकरा ओहिना स्‍वीकार करू जेना हमरा करितहुँ।
17 Assim, pois, se me tens por companheiro, recebe-o como a mim mesmo.
18 जँ एकरा द्वारा अहाँ केँ कोनो हानि भेल होअय, अथवा एकरा पर अहाँक ऋण बाँकी होअय, तँ से अहाँ हमरा नाम पर लिखि लिअ।
18 E, se te fez algum dano, ou te deve alguma coisa, põe isso à minha conta.
19 हम, पौलुस, अपना हाथ सँ लिखि रहल छी जे, ओकर ऋण अहाँ केँ सधा देब। आ हम ई चर्चा करब आवश्‍यक नहि बुझैत छी जे अहाँ पर जे हमर ऋण अछि, से तँ अहाँक जीवने अछि।
19 Eu, Paulo, de minha própria mão o escrevi; eu o pagarei, para te não dizer que ainda mesmo a ti próprio a mim te deves.
20 हँ, यौ भाइ, अपना दूनू गोटे प्रभु मे छी, तेँ हमरा लेल एकटा ई काज करू—हमर निवेदन स्‍वीकार करू; मसीह मे भाइ-भाइक सम्‍बन्‍धक कारणेँ हमर मोन हल्‍लुक कऽ दिअ।
20 Sim, irmão, eu me regozijarei de ti no Senhor; recreia as minhas entranhas no Senhor.
21 हमरा पूर्ण विश्‍वास अछि जे अहाँ हमर बात मानब, तेँ अहाँ केँ ई पत्र लिखलहुँ। हम ई जनैत छी जे अहाँ केँ जे किछु कहि रहल छी, अहाँ ताहि सँ बेसिए करब।
21 Escrevi-te confiado na tua obediência, sabendo que ainda farás mais do que digo.
22 एक आओर बात। हमरा लेल एक कोठरी तैयार राखू, कारण, हमरा आशा अछि जे अहाँ सभक प्रार्थनाक फलस्‍वरूप परमेश्‍वर हमरा अहाँ सभ लग फेर अयबाक मौका देताह।
22 E juntamente prepara-me também pousada, porque espero que pelas vossas orações vos hei de ser concedido.
23 एपाफ्रास, जे मसीह यीशुक लेल एतऽ हमरा संग बन्‍दी छथि, अहाँ केँ अपन नमस्‍कार पठबैत छथि।
23 Saúdam-te Epafras, meu companheiro de prisão por Cristo Jesus,
24 हमर सहकर्मी सभ, मरकुस, अरिस्‍तर्खुस, देमास और लूका सेहो अहाँ केँ नमस्‍कार पठा रहल छथि।
24 Marcos, Aristarco, Demas e Lucas, meus cooperadores.
25 प्रभु यीशु मसीहक कृपा अहाँ सभक आत्‍मा मे बनल रहय।
25 A graça de nosso Senhor Jesus Cristo seja com o vosso espírito. Amém.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Filemom 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.