Efésios 5
jivən səndesh (MAI) vs NVT
1 संक्षेप मे ई जे, परमेश्वर केँ नमूना मानि, अपन आचरण हुनका जकाँ राखू, कारण, अहाँ सभ हुनकर धिआ-पुता छी, और ओ अहाँ सभ सँ बहुत प्रेम करैत छथि।
1 Portanto, como filhos amados de Deus, imitem-no em tudo que fizerem.
2 और जाहि तरहेँ मसीह अपना सभ सँ प्रेम कयलनि और अपना सभक लेल सुगन्धित चढ़ौना आ बलिदानक रूप मे अपना केँ पिता लग अर्पित कयलनि, तहिना अहाँ सभ प्रेमक मार्ग पर चलू।
2 Vivam em amor, seguindo o exemplo de Cristo, que nos amou e se entregou por nós como oferta e sacrifício de aroma agradável a Deus.
3 अहाँ सभ मे कोनो तरहक अनैतिक शारीरिक सम्बन्ध नहि होअय, कोनो प्रकारक अपवित्र विचार-व्यवहार नहि होअय, कोनो लोभ नहि होअय—एहि सभक चर्चो तक नहि। कारण, ई सभ बात परमेश्वरक पवित्र लोकक लेल उचित नहि अछि।
3 Que não haja entre vocês imoralidade sexual, impureza ou ganância. Esses pecados não têm lugar no meio do povo santo.
4 आ ने निर्लज्जता, मूर्खतापूर्ण बात-चीत वा अभद्र मजाक होअय—अहाँ सभ केँ एहन बात सभ शोभा नहि दैत अछि, बल्कि एहि सभक बदला मे प्रभु केँ धन्यवादे देबाक काज होयबाक चाही।
4 As histórias obscenas, as conversas tolas e as piadas vulgares não são para vocês. Em vez disso, sejam agradecidos a Deus.
5 कारण, ई निश्चित रूप सँ जानि लिअ जे, कोनो अनैतिक वा अपवित्र काज करऽ वला, वा लोभी आदमी केँ मसीह आ परमेश्वरक राज्य मे कोनो हिस्सा नहि होयतैक। लोभ कयनाइ आ मूर्तिपूजा कयनाइ बराबरि बात अछि।
5 Podem estar certos de que nenhum imoral, impuro ou ganancioso, que é idólatra, herdará o reino de Cristo e de Deus.
6 केओ निरर्थक तर्क द्वारा अहाँ सभ केँ धोखा नहि दओ—एही काज सभक कारणेँ आज्ञा नहि माननिहार सभ पर परमेश्वरक प्रकोप अबैत अछि।
6 Não se deixem enganar por palavras vazias, pois a ira de Deus virá sobre os que lhe desobedecerem.
7 तेँ ओहन काज करऽ वला सभक संग सहभागी नहि बनू।
7 Não participem do que essas pessoas fazem.
8 अहाँ सभ पहिने अन्हार सँ भरल छलहुँ। आब प्रभुक लोक होयबाक कारणेँ इजोत सँ भरल छी। तेँ इजोतक सन्तान जकाँ आचरण करू,
8 Pois antigamente vocês estavam mergulhados na escuridão, mas agora têm a luz no Senhor. Vivam, portanto, como filhos da luz!
9 किएक तँ इजोत जतऽ अछि, ततऽ ओ सभ बात उत्पन्न होइत अछि जे नीक, उचित और सत्य अछि।
9 Pois o fruto da luz produz apenas o que é bom, justo e verdadeiro.
10 ई सिखबाक कोशिश करैत रहू जे कोन-कोन बात सँ प्रभु प्रसन्न होइत छथि।
10 Procurem descobrir o que agrada ao Senhor.
11 अन्हार द्वारा उत्पन्न व्यर्थक काज सभ मे भाग नहि लिअ, बल्कि ओकरा सभ केँ इजोत द्वारा देखार करू जे केहन काज अछि।
11 Não participem dos feitos inúteis do mal e da escuridão; antes, mostrem sua reprovação expondo-os à luz.
12 कारण, जे काज अनाज्ञाकारी लोक नुका कऽ करैत अछि तकर चर्चो कयनाइ लाजक बात अछि।
12 É vergonhoso até mesmo falar daquilo que os maus fazem em segredo.
13 मुदा जे किछु इजोत मे लाओल जाइत अछि, से स्पष्ट रूप सँ देखाइ दैत अछि, और जे वस्तु एहि तरहेँ इजोत सँ प्रगट कयल जाइत अछि, से अपने इजोत बनि जाइत अछि।
13 Suas más intenções, porém, ficarão evidentes quando a luz brilhar sobre elas,
14 एहि कारणेँ कहलो जाइत अछि जे,
14 pois a luz torna visíveis todas as coisas. Por isso se diz: “Desperte, você que dorme, levante-se dentre os mortos, e Cristo o iluminará”.
15 एहि लेल, अपन आचरणक पूरा-पूरा ध्यान राखू। निर्बुद्धि लोक जकाँ नहि, बल्कि बुद्धिमान जकाँ आचरण करू।
15 Portanto, sejam cuidadosos em seu modo de vida. Não vivam como insensatos, mas como sábios.
16 हर अवसरक पूरा सदुपयोग करू, कारण, ई वर्तमान समय खराब अछि।
16 Aproveitem ao máximo todas as oportunidades nestes dias maus.
17 तेँ एहन लोक नहि बनू जे बिनु सोचि-विचारि कऽ काज करैत अछि, बल्कि प्रभुक इच्छा की अछि, से बुझू।
17 Não ajam de forma impensada, mas procurem entender a vontade do Senhor.
18 दारू पिबि कऽ मतवाला नहि होउ, किएक तँ मतवालापन मात्र दुराचार वला मार्ग पर लऽ जाइत अछि, बल्कि परमेश्वरक आत्मा सँ परिपूर्ण होउ।
18 Não se embriaguem com vinho, pois ele os levará ao descontrole. Em vez disso, sejam cheios do Espírito,
19 आपस मे भजन, स्तुति-गान और भक्तिक गीत गबैत रहू। अपना मोनो मे प्रभुक लेल गीत गबैत-बजबैत रहू,
19 cantando salmos, hinos e cânticos espirituais entre si e louvando o Senhor de coração com música.
20 और अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक माध्यम सँ हरदम सभ बातक लेल परमेश्वर पिता केँ धन्यवाद दिऔन।
20 Por tudo deem graças a Deus, o Pai, em nome de nosso Senhor Jesus Cristo.
21 मसीहक लेल श्रद्धा-भय रखबाक कारणेँ एक-दोसराक अधीन रहू।
21 Sujeitem-se uns aos outros por temor a Cristo.
22 हे स्त्री सभ, अहाँ सभ जहिना प्रभुक अधीन मे रहैत छी, तहिना अपना-अपना पतिक अधीन मे रहू।
22 Esposas, sujeite-se cada uma a seu marido, como ao Senhor.
23 कारण, जाहि तरहेँ मसीह अपन शरीरक, अर्थात् मण्डलीक, सिर छथि और ओकर मुक्तिदाता छथि, तहिना पति अपन स्त्रीक उपर, अर्थात् ओकर सिर, अछि।
23 Pois o marido é o cabeça da esposa, como Cristo é o cabeça da igreja. Ele é o Salvador de seu corpo, a igreja.
24 तँ जाहि तरहेँ मण्डली मसीहक अधीन रहैत अछि, ताहि तरहेँ स्त्री सभ केँ सभ बात मे अपना-अपना पतिक अधीन रहबाक छैक।
24 Assim como a igreja se sujeita a Cristo, também vocês, esposas, devem se sujeitar em tudo a seu marido.
25 यौ पति लोकनि, ओहि तरहेँ अपना स्त्री सँ प्रेम करू जाहि तरहेँ मसीह मण्डली सँ कयलनि और ओकरा लेल अपना केँ अर्पित कऽ देलनि,
25 Maridos, ame cada um a sua esposa, como Cristo amou a igreja. Ele entregou a vida por ela,
26 जाहि सँ ओ ओकरा जल सँ धो कऽ वचन द्वारा शुद्ध करैत ओकरा पवित्र कऽ सकथि।
26 a fim de torná-la santa, purificando-a ao lavá-la com água por meio da palavra.
27 ई बात ओ एहि लेल कयलनि जाहि सँ ओ अपना सामने मण्डली केँ एक एहन कनियाँक रूप मे प्रस्तुत कऽ सकथि जे अति सुन्नरि होअय, जकरा मे ने कोनो दाग, ने झुर्री आ ने कोनो आन दोष होइक, बल्कि जे पवित्र और निष्कलंक होअय।
27 Assim o fez para apresentá-la a si mesmo como igreja gloriosa, sem mancha, ruga ou qualquer outro defeito, mas santa e sem culpa.
28 तहिना, पतिओ लोकनि केँ अपना स्त्री सँ अपन शरीर जकाँ प्रेम करबाक छैक। जे केओ अपना स्त्री सँ प्रेम करैत अछि, से अपना सँ प्रेम करैत अछि।
28 Da mesma forma, os maridos devem amar cada um a sua esposa, como amam o próprio corpo, pois o homem que ama sua esposa na verdade ama a si mesmo.
29 केओ कहाँ अपना शरीर सँ घृणा करैत अछि? बरु, ओ ओकर पालन-पोषण करैत अछि, ओकर देख-रेख करैत अछि। मसीहो मण्डलीक संग एहिना करैत छथि, कारण, मण्डली हुनकर शरीर छनि,
29 Ninguém odeia o próprio corpo, mas o alimenta e cuida dele, como Cristo cuida da igreja.
30 आ अपना सभ ओहि शरीरक अंग छी।
30 E nós somos membros de seu corpo.
31 धर्मशास्त्र मे लिखल अछि जे, “एहि कारणेँ पुरुष अपन माय-बाबू केँ छोड़ि कऽ अपन स्त्रीक संग रहत, और दूनू एक शरीर भऽ जायत।”
31 “Por isso o homem deixa pai e mãe e se une à sua mulher, e os dois se tornam um só.”
32 ई एकटा पैघ रहस्य अछि, मुदा हम एकरा एहि रूप मे बुझैत छी जे ई मसीह और हुनकर मण्डलीक सम्बन्धक दिस संकेत करैत अछि।
32 Esse é um grande mistério, mas ilustra a união entre Cristo e a igreja.
33 तैयो एकर व्यक्तिगत रूप मे सेहो अर्थ होइत अछि—अहाँ सभ मे सँ हर व्यक्ति जहिना अपना सँ प्रेम करैत छी तहिना अपना स्त्री सँ प्रेम करू, और स्त्री अपन पतिक आदर करथि।
33 Portanto, volto a dizer: cada homem deve amar a esposa como ama a si mesmo, e a esposa deve respeitar o marido.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Efésios 5, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.