Efésios 5

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 संक्षेप मे ई जे, परमेश्‍वर केँ नमूना मानि, अपन आचरण हुनका जकाँ राखू, कारण, अहाँ सभ हुनकर धिआ-पुता छी, और ओ अहाँ सभ सँ बहुत प्रेम करैत छथि।
1 Sede, pois, imitadores de Deus, como filhos amados;
2 और जाहि तरहेँ मसीह अपना सभ सँ प्रेम कयलनि और अपना सभक लेल सुगन्‍धित चढ़ौना आ बलिदानक रूप मे अपना केँ पिता लग अर्पित कयलनि, तहिना अहाँ सभ प्रेमक मार्ग पर चलू।
2 e andai em amor, como também Cristo vos amou e se entregou a si mesmo por nós, em oferta e sacrifício a Deus, em cheiro suave.
3 अहाँ सभ मे कोनो तरहक अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध नहि होअय, कोनो प्रकारक अपवित्र विचार-व्‍यवहार नहि होअय, कोनो लोभ नहि होअय—एहि सभक चर्चो तक नहि। कारण, ई सभ बात परमेश्‍वरक पवित्र लोकक लेल उचित नहि अछि।
3 Mas a prostituição e toda impureza ou avareza nem ainda se nomeiem entre vós, como convém a santos;
4 आ ने निर्लज्‍जता, मूर्खतापूर्ण बात-चीत वा अभद्र मजाक होअय—अहाँ सभ केँ एहन बात सभ शोभा नहि दैत अछि, बल्‍कि एहि सभक बदला मे प्रभु केँ धन्‍यवादे देबाक काज होयबाक चाही।
4 nem torpezas, nem parvoíces, nem chocarrices, que não convêm; mas, antes, ações de graças.
5 कारण, ई निश्‍चित रूप सँ जानि लिअ जे, कोनो अनैतिक वा अपवित्र काज करऽ वला, वा लोभी आदमी केँ मसीह आ परमेश्‍वरक राज्‍य मे कोनो हिस्‍सा नहि होयतैक। लोभ कयनाइ आ मूर्तिपूजा कयनाइ बराबरि बात अछि।
5 Porque bem sabeis isto: que nenhum fornicador, ou impuro, ou avarento, o qual é idólatra, tem herança no Reino de Cristo e de Deus.
6 केओ निरर्थक तर्क द्वारा अहाँ सभ केँ धोखा नहि दओ—एही काज सभक कारणेँ आज्ञा नहि माननिहार सभ पर परमेश्‍वरक प्रकोप अबैत अछि।
6 Ninguém vos engane com palavras vãs; porque por essas coisas vem a ira de Deus sobre os filhos da desobediência.
7 तेँ ओहन काज करऽ वला सभक संग सहभागी नहि बनू।
7 Portanto, não sejais seus companheiros.
8 अहाँ सभ पहिने अन्‍हार सँ भरल छलहुँ। आब प्रभुक लोक होयबाक कारणेँ इजोत सँ भरल छी। तेँ इजोतक सन्‍तान जकाँ आचरण करू,
8 Porque, noutro tempo, éreis trevas, mas, agora, sois luz no Senhor; andai como filhos da luz
9 किएक तँ इजोत जतऽ अछि, ततऽ ओ सभ बात उत्‍पन्‍न होइत अछि जे नीक, उचित और सत्‍य अछि।
9 (porque o fruto do Espírito está em toda bondade, e justiça, e verdade),
10 ई सिखबाक कोशिश करैत रहू जे कोन-कोन बात सँ प्रभु प्रसन्‍न होइत छथि।
10 aprovando o que é agradável ao Senhor.
11 अन्‍हार द्वारा उत्‍पन्‍न व्‍यर्थक काज सभ मे भाग नहि लिअ, बल्‍कि ओकरा सभ केँ इजोत द्वारा देखार करू जे केहन काज अछि।
11 E não comuniqueis com as obras infrutuosas das trevas, mas, antes, condenai-as.
12 कारण, जे काज अनाज्ञाकारी लोक नुका कऽ करैत अछि तकर चर्चो कयनाइ लाजक बात अछि।
12 Porque o que eles fazem em oculto, até dizê-lo é torpe.
13 मुदा जे किछु इजोत मे लाओल जाइत अछि, से स्‍पष्‍ट रूप सँ देखाइ दैत अछि, और जे वस्‍तु एहि तरहेँ इजोत सँ प्रगट कयल जाइत अछि, से अपने इजोत बनि जाइत अछि।
13 Mas todas essas coisas se manifestam, sendo condenadas pela luz, porque a luz tudo manifesta.
14 एहि कारणेँ कहलो जाइत अछि जे,
14 Pelo que diz: Desperta, ó tu que dormes, e levanta-te dentre os mortos, e Cristo te esclarecerá.
15 एहि लेल, अपन आचरणक पूरा-पूरा ध्‍यान राखू। निर्बुद्धि लोक जकाँ नहि, बल्‍कि बुद्धिमान जकाँ आचरण करू।
15 Portanto, vede prudentemente como andais, não como néscios, mas como sábios,
16 हर अवसरक पूरा सदुपयोग करू, कारण, ई वर्तमान समय खराब अछि।
16 remindo o tempo, porquanto os dias são maus.
17 तेँ एहन लोक नहि बनू जे बिनु सोचि-विचारि कऽ काज करैत अछि, बल्‍कि प्रभुक इच्‍छा की अछि, से बुझू।
17 Pelo que não sejais insensatos, mas entendei qual seja a vontade do Senhor.
18 दारू पिबि कऽ मतवाला नहि होउ, किएक तँ मतवालापन मात्र दुराचार वला मार्ग पर लऽ जाइत अछि, बल्‍कि परमेश्‍वरक आत्‍मा सँ परिपूर्ण होउ।
18 E não vos embriagueis com vinho, em que há contenda, mas enchei-vos do Espírito,
19 आपस मे भजन, स्‍तुति-गान और भक्‍तिक गीत गबैत रहू। अपना मोनो मे प्रभुक लेल गीत गबैत-बजबैत रहू,
19 falando entre vós com salmos, e hinos, e cânticos espirituais, cantando e salmodiando ao Senhor no vosso coração,
20 और अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक माध्‍यम सँ हरदम सभ बातक लेल परमेश्‍वर पिता केँ धन्‍यवाद दिऔन।
20 dando sempre graças por tudo a nosso Deus e Pai, em nome de nosso Senhor Jesus Cristo,
21 मसीहक लेल श्रद्धा-भय रखबाक कारणेँ एक-दोसराक अधीन रहू।
21 sujeitando-vos uns aos outros no temor de Deus.
22 हे स्‍त्री सभ, अहाँ सभ जहिना प्रभुक अधीन मे रहैत छी, तहिना अपना-अपना पतिक अधीन मे रहू।
22 Vós, mulheres, sujeitai-vos a vosso marido, como ao Senhor;
23 कारण, जाहि तरहेँ मसीह अपन शरीरक, अर्थात्‌ मण्‍डलीक, सिर छथि और ओकर मुक्‍तिदाता छथि, तहिना पति अपन स्‍त्रीक उपर, अर्थात् ओकर सिर, अछि।
23 porque o marido é a cabeça da mulher, como também Cristo é a cabeça da igreja, sendo ele próprio o salvador do corpo.
24 तँ जाहि तरहेँ मण्‍डली मसीहक अधीन रहैत अछि, ताहि तरहेँ स्‍त्री सभ केँ सभ बात मे अपना-अपना पतिक अधीन रहबाक छैक।
24 De sorte que, assim como a igreja está sujeita a Cristo, assim também as mulheres sejam em tudo sujeitas a seu marido.
25 यौ पति लोकनि, ओहि तरहेँ अपना स्‍त्री सँ प्रेम करू जाहि तरहेँ मसीह मण्‍डली सँ कयलनि और ओकरा लेल अपना केँ अर्पित कऽ देलनि,
25 Vós, maridos, amai vossa mulher, como também Cristo amou a igreja e a si mesmo se entregou por ela,
26 जाहि सँ ओ ओकरा जल सँ धो कऽ वचन द्वारा शुद्ध करैत ओकरा पवित्र कऽ सकथि।
26 para a santificar, purificando-a com a lavagem da água, pela palavra,
27 ई बात ओ एहि लेल कयलनि जाहि सँ ओ अपना सामने मण्‍डली केँ एक एहन कनियाँक रूप मे प्रस्‍तुत कऽ सकथि जे अति सुन्‍नरि होअय, जकरा मे ने कोनो दाग, ने झुर्री आ ने कोनो आन दोष होइक, बल्‍कि जे पवित्र और निष्‍कलंक होअय।
27 para a apresentar a si mesmo igreja gloriosa, sem mácula, nem ruga, nem coisa semelhante, mas santa e irrepreensível.
28 तहिना, पतिओ लोकनि केँ अपना स्‍त्री सँ अपन शरीर जकाँ प्रेम करबाक छैक। जे केओ अपना स्‍त्री सँ प्रेम करैत अछि, से अपना सँ प्रेम करैत अछि।
28 Assim devem os maridos amar a sua própria mulher como a seu próprio corpo. Quem ama a sua mulher ama-se a si mesmo.
29 केओ कहाँ अपना शरीर सँ घृणा करैत अछि? बरु, ओ ओकर पालन-पोषण करैत अछि, ओकर देख-रेख करैत अछि। मसीहो मण्‍डलीक संग एहिना करैत छथि, कारण, मण्‍डली हुनकर शरीर छनि,
29 Porque nunca ninguém aborreceu a sua própria carne; antes, a alimenta e sustenta, como também o Senhor à igreja;
30 आ अपना सभ ओहि शरीरक अंग छी।
30 porque somos membros do seu corpo.
31 धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे, “एहि कारणेँ पुरुष अपन माय-बाबू केँ छोड़ि कऽ अपन स्‍त्रीक संग रहत, और दूनू एक शरीर भऽ जायत।”
31 Por isso, deixará o homem seu pai e sua mãe e se unirá à sua mulher; e serão dois numa carne.
32 ई एकटा पैघ रहस्‍य अछि, मुदा हम एकरा एहि रूप मे बुझैत छी जे ई मसीह और हुनकर मण्‍डलीक सम्‍बन्‍धक दिस संकेत करैत अछि।
32 Grande é este mistério; digo-o, porém, a respeito de Cristo e da igreja.
33 तैयो एकर व्‍यक्‍तिगत रूप मे सेहो अर्थ होइत अछि—अहाँ सभ मे सँ हर व्‍यक्‍ति जहिना अपना सँ प्रेम करैत छी तहिना अपना स्‍त्री सँ प्रेम करू, और स्‍त्री अपन पतिक आदर करथि।
33 Assim também vós, cada um em particular ame a sua própria mulher como a si mesmo, e a mulher reverencie o marido.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Efésios 5, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.