Colossenses 2
jivən səndesh (MAI) vs VC
1 हम चाहैत छी जे अहाँ सभ ई बात जानि ली जे हम अहाँ सभक लेल, लौदीकिया नगरक विश्वासी सभक लेल आ ओहि सभ लोकक लेल जे सभ हमरा व्यक्तिगत रूप सँ कहियो नहि देखने छथि, केहन संघर्ष करैत रहैत छी।
1 Desejo realmente que estejais informados do árduo combate que sustento por amor de vós e dos de Laodicéia, assim como de todos os que ainda não me viram pessoalmente!
2 ई हम एहि लेल करैत छी जाहि सँ ओ सभ अपना मोन मे उत्साहित होथि, प्रेमक एकता मे बान्हल रहथि, ओहि आत्मिक धन केँ प्राप्त करथि जे ज्ञानक परिपूर्णता सँ भेटैत अछि, आ एहि तरहेँ परमेश्वरक रहस्य केँ, अर्थात्, मसीह केँ, पूर्ण रूप सँ चिन्हथि।
2 Tudo sofro para que os seus corações sejam reconfortados e que, estreitamente unidos pela caridade, sejam enriquecidos de uma plenitude de inteligência, para conhecerem o mistério de Deus, isto é, Cristo,
3 हुनके मे बुद्धि और ज्ञानक समस्त भण्डार नुकायल अछि।
3 no qual estão escondidos todos os tesouros da sabedoria e da ciência.
4 ई हम एहि लेल कहि रहल छी जे, केओ अहाँ सभ केँ ओहन तर्क द्वारा बहकाबऽ नहि पाबओ, जे सुनऽ मे ठीक लगितो गलत अछि।
4 Digo-vos isso para que ninguém vos engane com discursos sedutores.
5 ओना तँ हम शारीरिक रूप सँ अहाँ सभ सँ दूर छी, तैयो हमर मोन अहाँ सभक संग अछि आ हमरा ई देखि कऽ आनन्द होइत अछि जे अहाँ सभक जीवन कतेक व्यवस्थित अछि आ मसीह मेहक अहाँ सभक विश्वास कतेक दृढ़ अछि।
5 Porque, embora corporalmente distante, estou presente a vós em espírito, e me alegro em ver a firmeza da vossa fé em Cristo.
6 एहि लेल जहिना अहाँ सभ मसीह यीशु केँ अपन प्रभु मानि कऽ ग्रहण कऽ लेने छी, तहिना हुनका मे रहि कऽ अपन जीवन व्यतीत करू।
6 Como {de nossa pregação} recebestes o Senhor Jesus Cristo, vivei nele,
7 हुनका मे अपन जड़ि मजगूत राखि कऽ हुनका मे बढ़ैत रहू आ बलवन्त बनैत जाउ। अहाँ सभ केँ जाहि विश्वासक शिक्षा प्राप्त भेल अछि, ताहि मे स्थिर रहि कऽ पूरा मोन सँ प्रभु केँ धन्यवाद दैत रहिऔन।
7 enraizados e edificados nele, inabaláveis na fé em que fostes instruídos, com o coração a transbordar de gratidão!
8 सावधान रहू, कतौ एना नहि होअय जे, केओ अहाँ सभ केँ छल-कपट सँ फुसियाहा तर्क-वितर्क द्वारा धोखा दऽ कऽ अपना जाल मे फँसाबय। ओहन लोकक तर्क-वितर्क मसीह पर नहि, बल्कि मनुष्यक परम्परा सभ पर आ एहि संसारक सिद्धान्त सभ पर आधारित अछि।
8 Estai de sobreaviso, para que ninguém vos engane com filosofias e vãos sofismas baseados nas tradições humanas, nos rudimentos do mundo, em vez de se apoiar em Cristo.
9 किएक तँ मसीह मे परमेश्वरक समस्त परिपूर्णता शारीरिक रूप मे वास करैत अछि,
9 Pois nele habita corporalmente toda a plenitude da divindade.
10 आ मसीह मे संयुक्त भेला सँ अहूँ सभ पूर्ण भऽ गेल छी। प्रत्येक शक्ति आ अधिकार हुनके अधीन मे अछि।
10 Tendes tudo plenamente nele, que é a cabeça de todo principado e potestade.
11 मसीहे मे अहाँ सभक खतना सेहो भेल अछि—एहन खतना नहि, जे हाथ सँ कयल जाइत अछि ⌞जाहि मे शरीरक कनेक चमड़ा काटि कऽ हटाओल जाइत अछि⌟, बल्कि एहन, जे मसीह द्वारा कयल जाइत अछि आ जाहि द्वारा अहाँ सभक पाप-स्वभावक शक्ति अहाँ सभ मे सँ हटाओल गेल अछि।
11 Nele também fostes circuncidados com circuncisão não feita por mão de homem, mas com a circuncisão de Cristo, que consiste no despojamento do nosso ser carnal.
12 अहाँ सभ तँ बपतिस्माक समय मे मसीहक संग गाड़ल गेलहुँ, आ हुनका संग फेर जीवित सेहो कयल गेलहुँ किएक तँ अहाँ सभ ओहि परमेश्वरक सामर्थ्य पर विश्वास कयलहुँ जे हुनका मृत्यु मे सँ फेर जीवित कयलथिन।
12 Sepultados com ele no batismo, com ele também ressuscitastes por vossa fé no poder de Deus, que o ressuscitou dos mortos.
13 अहाँ सभ जे गैर-यहूदी जातिक लोक छी से एक समय मे अपना पाप सभक कारणेँ, आ पाप-स्वभावक खतना नहि कयल जयबाक कारणेँ, आत्मिक रूप सँ मरल छलहुँ, मुदा परमेश्वर अहाँ सभ केँ मसीहक संग फेर जीवित कयलनि। ओ अपना सभक सभ पाप केँ क्षमा कयलनि।
13 Mortos pelos vossos pecados e pela incircuncisão da vossa carne, chamou-vos novamente à vida em companhia com ele. É ele que nos perdoou todos os pecados,
14 अपना सभक विरोध मे जे दोष-पत्र लिखल छल आ जे अपना सभ केँ दण्डक जोगरक प्रमाणित कयलक, तकरा ओ ओकर सम्पूर्ण नियम सभक संग रद्द कऽ देलनि, आ ओकरा क्रूस पर काँटी ठोकि कऽ अपना सभ सँ दूर कऽ देलनि।
14 cancelando o documento escrito contra nós, cujas prescrições nos condenavam. Aboliu-o definitivamente, ao encravá-lo na cruz.
15 ओ आत्मिक दुष्ट शक्ति सभक आ अधिकारी सभक सम्पूर्ण सामर्थ्य नष्ट कयलनि आ मसीहक क्रूस द्वारा ओकरा सभ केँ पराजित कऽ कऽ सभक सामने ओकरा सभ केँ तमाशा बना देलनि।
15 Espoliou os principados e potestades, e os expôs ao ridículo, triunfando deles pela cruz.
16 एहि लेल, मोन राखू जे ककरो ई अधिकार नहि अछि जे ओ अहाँ सभ पर एहि विषय मे दोष लगाबय जे, केहन वस्तु खाइत-पिबैत छी, अथवा पाबनि-तिहार, अमावस्या वा विश्राम-दिन किएक नहि मनबैत छी,
16 Ninguém, pois, vos critique por causa de comida ou bebida, ou espécies de festas ou de luas novas ou de sábados.
17 किएक तँ ई सभ ताहि बात सभक छाया मात्र अछि, जे बाद मे आबऽ वला छल। वास्तविकता मसीहे छथि।
17 Tudo isto não é mais que sombra do que devia vir. A realidade é Cristo.
18 मोन राखू जे अहाँ सभ केँ पुरस्कार पयबाक बात मे अयोग्य ठहरयबाक अधिकार ओहन लोक केँ नहि छैक जे सभ ईश्वरीय दर्शन देखबाक धाख जमबैत रहैत अछि, देखाबटी नम्रता प्रगट करैत अछि, आ कहैत अछि जे स्वर्गदूत सभक पूजा कयनाइ आवश्यक अछि। ओहन लोक अपन सांसारिक बुद्धिक कारणेँ बिनु आधारक घमण्ड सँ फुलि जाइत अछि,
18 Ninguém vos roube a seu bel-prazer a palma da corrida, sob pretexto de humildade e culto dos anjos. Desencaminham-se estas pessoas em suas próprias visões e, cheias do vão orgulho de seu espírito materialista,
19 आ एहि तरहेँ ओ सभ सिर, अर्थात् मसीह, सँ कोनो सम्बन्ध नहि रखैत अछि। मसीह शरीरक सिर छथि जे समस्त शरीर केँ पोषित करैत छथि, आ एहि तरहेँ शरीर, जोड़-जोड़ सभ आ नस सभक द्वारा संगठित भऽ कऽ, परमेश्वरक योजनाक अनुसार बढ़ैत अछि।
19 não se mantêm unidas à Cabeça, da qual todo o corpo, pela união das junturas e articulações, se alimenta e cresce conforme um crescimento disposto por Deus.
20 अहाँ सभ जँ मसीहक संग मरि कऽ संसारक सिद्धान्त सभ सँ मुक्त भऽ गेल छी, तँ अहाँ सभ ओकर आदेश सभक एना कऽ पालन किएक करैत छी, जेना अहाँ सभक जीवन एखनो धरि संसारक अधीन होअय?
20 Se em Cristo estais mortos aos princípios deste mundo, por que ainda vos deixais impor proibições, como se vivêsseis no mundo?
21 संसारक आदेश एहन होइत अछि, “एकरा हाथ मे नहि लिअ, ई नहि खाउ, ओकरा नहि छुबू!”—
21 Não pegues! Não proves! Não toques!,
22 ई सभ मनुष्य सभक आदेश अछि, मानवीय सिद्धान्त सभ पर आधारित अछि, आ एहन वस्तु सभ सँ सम्बन्ध रखैत अछि जे प्रयोग मे अयला पर नष्ट भऽ जाइत अछि।
22 proibições estas que se tornam perniciosas pelo uso que delas se faz, e que não passam de normas e doutrinas humanas.
23 ई सभ, अर्थात्, अपना सँ बनाओल धार्मिक नियम केँ माननाइ, नम्रताक आडम्बर देखौनाइ, आ अपना शरीर केँ कष्ट देनाइ, ओहन बात अछि जाहि मे निःसन्देह बुद्धिक बात तँ बुझाइत अछि, मुदा शारीरिक अभिलाषा सभ केँ रोकऽ मे एहि सभ सँ कोनो लाभ नहि होइत अछि।
23 Elas podem, sem dúvida, dar a impressão de sabedoria, enquanto exibem culto voluntário, de humildade e austeridade corporal. Mas não têm nenhum valor real, e só servem para satisfazer a carne.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Colossenses 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.