Colossenses 2

jivən səndesh (MAI) vs NAA

Sair da comparação
NAA Nova Almeida Atualizada 2017
1 हम चाहैत छी जे अहाँ सभ ई बात जानि ली जे हम अहाँ सभक लेल, लौदीकिया नगरक विश्‍वासी सभक लेल आ ओहि सभ लोकक लेल जे सभ हमरा व्‍यक्‍तिगत रूप सँ कहियो नहि देखने छथि, केहन संघर्ष करैत रहैत छी।
1 Quero que saibam quão grande tem sido a nossa luta por vocês, pelos que moram em Laodiceia e por muitos outros que não me viram face a face.
2 ई हम एहि लेल करैत छी जाहि सँ ओ सभ अपना मोन मे उत्‍साहित होथि, प्रेमक एकता मे बान्‍हल रहथि, ओहि आत्‍मिक धन केँ प्राप्‍त करथि जे ज्ञानक परिपूर्णता सँ भेटैत अछि, आ एहि तरहेँ परमेश्‍वरक रहस्‍य केँ, अर्थात्, मसीह केँ, पूर्ण रूप सँ चिन्‍हथि।
2 Faço isto para que o coração deles seja consolado e para que eles, vinculados em amor, tenham toda a riqueza da plena convicção do entendimento, para conhecimento do mistério de Deus, que é Cristo,
3 हुनके मे बुद्धि और ज्ञानक समस्‍त भण्‍डार नुकायल अछि।
3 em quem estão ocultos todos os tesouros da sabedoria e do conhecimento.
4 ई हम एहि लेल कहि रहल छी जे, केओ अहाँ सभ केँ ओहन तर्क द्वारा बहकाबऽ नहि पाबओ, जे सुनऽ मे ठीक लगितो गलत अछि।
4 Digo isso a vocês para que ninguém os engane com argumentos falaciosos.
5 ओना तँ हम शारीरिक रूप सँ अहाँ सभ सँ दूर छी, तैयो हमर मोन अहाँ सभक संग अछि आ हमरा ई देखि कऽ आनन्‍द होइत अछि जे अहाँ सभक जीवन कतेक व्‍यवस्‍थित अछि आ मसीह मेहक अहाँ सभक विश्‍वास कतेक दृढ़ अछि।
5 Porque, embora ausente em pessoa, em espírito estou com vocês, alegrando-me e verificando a boa ordem de vocês e a firmeza da fé que têm em Cristo.
6 एहि लेल जहिना अहाँ सभ मसीह यीशु केँ अपन प्रभु मानि कऽ ग्रहण कऽ लेने छी, तहिना हुनका मे रहि कऽ अपन जीवन व्‍यतीत करू।
6 Portanto, assim como vocês receberam Cristo Jesus, o Senhor, continuem a viver nele,
7 हुनका मे अपन जड़ि मजगूत राखि कऽ हुनका मे बढ़ैत रहू आ बलवन्‍त बनैत जाउ। अहाँ सभ केँ जाहि विश्‍वासक शिक्षा प्राप्‍त भेल अछि, ताहि मे स्‍थिर रहि कऽ पूरा मोन सँ प्रभु केँ धन्‍यवाद दैत रहिऔन।
7 estando enraizados e edificados nele, e confirmados na fé, como foi ensinado a vocês, crescendo em ação de graças.
8 सावधान रहू, कतौ एना नहि होअय जे, केओ अहाँ सभ केँ छल-कपट सँ फुसियाहा तर्क-वितर्क द्वारा धोखा दऽ कऽ अपना जाल मे फँसाबय। ओहन लोकक तर्क-वितर्क मसीह पर नहि, बल्‍कि मनुष्‍यक परम्‍परा सभ पर आ एहि संसारक सिद्धान्‍त सभ पर आधारित अछि।
8 Tenham cuidado para que ninguém venha a enredá-los com sua filosofia e vãs sutilezas, conforme a tradição dos homens, conforme os rudimentos do mundo e não segundo Cristo.
9 किएक तँ मसीह मे परमेश्‍वरक समस्‍त परिपूर्णता शारीरिक रूप मे वास करैत अछि,
9 Porque nele habita corporalmente toda a plenitude da divindade.
10 आ मसीह मे संयुक्‍त भेला सँ अहूँ सभ पूर्ण भऽ गेल छी। प्रत्‍येक शक्‍ति आ अधिकार हुनके अधीन मे अछि।
10 Também, nele, vocês receberam a plenitude. Ele é o cabeça de todo principado e potestade.
11 मसीहे मे अहाँ सभक खतना सेहो भेल अछि—एहन खतना नहि, जे हाथ सँ कयल जाइत अछि ⌞जाहि मे शरीरक कनेक चमड़ा काटि कऽ हटाओल जाइत अछि⌟, बल्‍कि एहन, जे मसीह द्वारा कयल जाइत अछि आ जाहि द्वारा अहाँ सभक पाप-स्‍वभावक शक्‍ति अहाँ सभ मे सँ हटाओल गेल अछि।
11 Nele também vocês foram circuncidados, não com uma circuncisão feita por mãos humanas, mas pela remoção do corpo da carne, que é a circuncisão de Cristo,
12 अहाँ सभ तँ बपतिस्‍माक समय मे मसीहक संग गाड़ल गेलहुँ, आ हुनका संग फेर जीवित सेहो कयल गेलहुँ किएक तँ अहाँ सभ ओहि परमेश्‍वरक सामर्थ्‍य पर विश्‍वास कयलहुँ जे हुनका मृत्‍यु मे सँ फेर जीवित कयलथिन।
12 tendo sido sepultados juntamente com ele no batismo, no qual vocês também foram ressuscitados por meio da fé no poder de Deus que o ressuscitou dentre os mortos.
13 अहाँ सभ जे गैर-यहूदी जातिक लोक छी से एक समय मे अपना पाप सभक कारणेँ, आ पाप-स्‍वभावक खतना नहि कयल जयबाक कारणेँ, आत्‍मिक रूप सँ मरल छलहुँ, मुदा परमेश्‍वर अहाँ सभ केँ मसीहक संग फेर जीवित कयलनि। ओ अपना सभक सभ पाप केँ क्षमा कयलनि।
13 E quando vocês estavam mortos nos seus pecados e na incircuncisão da carne, ele lhes deu vida juntamente com Cristo, perdoando todos os nossos pecados.
14 अपना सभक विरोध मे जे दोष-पत्र लिखल छल आ जे अपना सभ केँ दण्‍डक जोगरक प्रमाणित कयलक, तकरा ओ ओकर सम्‍पूर्ण नियम सभक संग रद्द कऽ देलनि, आ ओकरा क्रूस पर काँटी ठोकि कऽ अपना सभ सँ दूर कऽ देलनि।
14 Cancelando o escrito de dívida que era contra nós e que constava de ordenanças, o qual nos era prejudicial, removeu-o inteiramente, cravando-o na cruz.
15 ओ आत्‍मिक दुष्‍ट शक्‍ति सभक आ अधिकारी सभक सम्‍पूर्ण सामर्थ्‍य नष्‍ट कयलनि आ मसीहक क्रूस द्वारा ओकरा सभ केँ पराजित कऽ कऽ सभक सामने ओकरा सभ केँ तमाशा बना देलनि।
15 E, despojando os principados e as potestades, publicamente os expôs ao desprezo, triunfando sobre eles na cruz.
16 एहि लेल, मोन राखू जे ककरो ई अधिकार नहि अछि जे ओ अहाँ सभ पर एहि विषय मे दोष लगाबय जे, केहन वस्‍तु खाइत-पिबैत छी, अथवा पाबनि-तिहार, अमावस्‍या वा विश्राम-दिन किएक नहि मनबैत छी,
16 Portanto, que ninguém julgue vocês por causa de comida e bebida, ou dia de festa, ou lua nova, ou sábados,
17 किएक तँ ई सभ ताहि बात सभक छाया मात्र अछि, जे बाद मे आबऽ वला छल। वास्‍तविकता मसीहे छथि।
17 porque tudo isso tem sido sombra das coisas que haviam de vir; porém o corpo é de Cristo.
18 मोन राखू जे अहाँ सभ केँ पुरस्‍कार पयबाक बात मे अयोग्‍य ठहरयबाक अधिकार ओहन लोक केँ नहि छैक जे सभ ईश्‍वरीय दर्शन देखबाक धाख जमबैत रहैत अछि, देखाबटी नम्रता प्रगट करैत अछि, आ कहैत अछि जे स्‍वर्गदूत सभक पूजा कयनाइ आवश्‍यक अछि। ओहन लोक अपन सांसारिक बुद्धिक कारणेँ बिनु आधारक घमण्‍ड सँ फुलि जाइत अछि,
18 Não deixem que ninguém se faça de árbitro para desqualificar vocês, com pretexto de humildade e culto de anjos, baseando-se em visões, estando cheio de orgulho, sem motivo algum, na sua mente carnal,
19 आ एहि तरहेँ ओ सभ सिर, अर्थात् मसीह, सँ कोनो सम्‍बन्‍ध नहि रखैत अछि। मसीह शरीरक सिर छथि जे समस्‍त शरीर केँ पोषित करैत छथि, आ एहि तरहेँ शरीर, जोड़-जोड़ सभ आ नस सभक द्वारा संगठित भऽ कऽ, परमेश्‍वरक योजनाक अनुसार बढ़ैत अछि।
19 e não retendo a cabeça, a partir da qual todo o corpo, suprido e bem-vinculado por suas juntas e ligamentos, cresce o crescimento que vem de Deus.
20 अहाँ सभ जँ मसीहक संग मरि कऽ संसारक सिद्धान्‍त सभ सँ मुक्‍त भऽ गेल छी, तँ अहाँ सभ ओकर आदेश सभक एना कऽ पालन किएक करैत छी, जेना अहाँ सभक जीवन एखनो धरि संसारक अधीन होअय?
20 Se vocês morreram com Cristo para os rudimentos do mundo, por que se sujeitam a regras, como se ainda vivessem no mundo?
21 संसारक आदेश एहन होइत अछि, “एकरा हाथ मे नहि लिअ, ई नहि खाउ, ओकरा नहि छुबू!”—
21 “Não toque nisto”, “não coma disso”, “não pegue naquilo”.
22 ई सभ मनुष्‍य सभक आदेश अछि, मानवीय सिद्धान्‍त सभ पर आधारित अछि, आ एहन वस्‍तु सभ सँ सम्‍बन्‍ध रखैत अछि जे प्रयोग मे अयला पर नष्‍ट भऽ जाइत अछि।
22 Todas estas coisas se destroem com o uso; são preceitos e doutrinas dos homens.
23 ई सभ, अर्थात्, अपना सँ बनाओल धार्मिक नियम केँ माननाइ, नम्रताक आडम्‍बर देखौनाइ, आ अपना शरीर केँ कष्‍ट देनाइ, ओहन बात अछि जाहि मे निःसन्‍देह बुद्धिक बात तँ बुझाइत अछि, मुदा शारीरिक अभिलाषा सभ केँ रोकऽ मे एहि सभ सँ कोनो लाभ नहि होइत अछि।
23 De fato, essas coisas têm aparência de sabedoria, ao promoverem um culto que as pessoas inventam, falsa humildade e tratamento austero do corpo. Mas elas não têm valor algum na luta contra as inclinações da carne.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Colossenses 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.