Colossenses 1

jivən səndesh (MAI) vs ARA

Sair da comparação
ARA Almeida Revista e Atualizada 1993
1 हम पौलुस, जे परमेश्‍वरक इच्‍छा सँ मसीह यीशुक एक मसीह-दूत छी, से अपना सभक भाय तिमुथियुसक संग ई पत्र अहाँ सभ केँ लिखि रहल छी,
1 Paulo, apóstolo de Cristo Jesus, por vontade de Deus, e o irmão Timóteo,
2 जे सभ कुलुस्‍से नगर मे रहनिहार परमेश्‍वरक पवित्र लोक छी, अर्थात्‌ अहाँ विश्‍वासी भाइ सभ केँ जे मसीह मे छी।
2 aos santos e fiéis irmãos em Cristo que se encontram em Colossos, graça e paz a vós outros, da parte de Deus, nosso Pai.
3 हम सभ जखन-कखनो अहाँ सभक लेल प्रार्थना करैत छी, तँ अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक पिता, परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दैत छियनि,
3 Damos sempre graças a Deus, Pai de nosso Senhor Jesus Cristo, quando oramos por vós,
4 किएक तँ मसीह यीशु पर अहाँ सभक जे विश्‍वास अछि आ परमेश्‍वरक सभ लोकक लेल जे प्रेम अछि, ताहि सम्‍बन्‍ध मे हम सभ सुनने छी।
4 desde que ouvimos da vossa fé em Cristo Jesus e do amor que tendes para com todos os santos;
5 अहाँ सभक ई विश्‍वास आ प्रेम अहाँ सभक आशा पर आधारित अछि, अर्थात्‌ ओहि बात सभ केँ पयबाक आशा जे बात सभ अहाँ सभक लेल स्‍वर्ग मे सुरक्षित राखल अछि। एहि बात सभक विषय मे अहाँ सभ तखन सुनलहुँ जखन सत्‍यक सम्‍बाद, अर्थात्‌, सुसमाचार, अहाँ सभ केँ सुनाओल गेल।
5 por causa da esperança que vos está preservada nos céus, da qual antes ouvistes pela palavra da verdade do evangelho,
6 जहिना ई सुसमाचार अहाँ सभक बीच मे ओहि दिन सँ परिवर्तन लबैत जा रहल अछि जहिया सँ अहाँ सभ एकरा सुनलहुँ आ परमेश्‍वरक कृपाक सत्‍यता केँ बुझलहुँ, तहिना ओ सौंसे संसार मे लोकक जीवन मे परिवर्तन लाबि रहल अछि आ बढ़ैत जा रहल अछि।
6 que chegou até vós; como também, em todo o mundo, está produzindo fruto e crescendo, tal acontece entre vós, desde o dia em que ouvistes e entendestes a graça de Deus na verdade;
7 एहि बातक शिक्षा अहाँ सभ अपना सभक प्रिय भाय एपाफ्रास सँ पौलहुँ, जे हमरा सभक संग-संग सेवा करैत छथि आ हमरा सभक प्रतिनिधिक रूप मे मसीहक विश्‍वासयोग्‍य सेवक छथि।
7 segundo fostes instruídos por Epafras, nosso amado conservo e, quanto a vós outros, fiel ministro de Cristo,
8 ओ हमरा सभ केँ कहने छथि जे परमेश्‍वरक आत्‍मा अहाँ सभ मे कतेक प्रेम उत्‍पन्‍न कयने छथि।
8 o qual também nos relatou do vosso amor no Espírito.
9 एहि कारणेँ, जाहि दिन सँ हम सभ अहाँ सभक विषय मे सुनलहुँ, ताहि दिन सँ अहाँ सभक लेल परमेश्‍वर सँ प्रार्थना कयनाइ नहि छोड़ने छी। हुनका सँ ई विनती करैत छी जे, ओ अहाँ सभ केँ पूर्ण आत्‍मिक बुद्धि और बुझबाक क्षमता देथि जाहि सँ अहाँ सभ पूर्ण रूप सँ जानी जे हुनकर इच्‍छा की अछि।
9 Por esta razão, também nós, desde o dia em que o ouvimos, não cessamos de orar por vós e de pedir que transbordeis de pleno conhecimento da sua vontade, em toda a sabedoria e entendimento espiritual;
10 हुनका सँ ई विनती एहि लेल करैत छी जाहि सँ अहाँ सभक आचरण प्रभुक योग्‍य होअय, जाहि सँ अहाँ सभ प्रभु केँ सभ बात मे प्रसन्‍न करी। हम प्रार्थना करैत छिऐन जे अहाँ सभ हर प्रकारक भलाइक काज करैत रही आ परमेश्‍वरक ज्ञान मे बढ़ैत रही।
10 a fim de viverdes de modo digno do Senhor, para o seu inteiro agrado, frutificando em toda boa obra e crescendo no pleno conhecimento de Deus;
11 परमेश्‍वर अपन अद्‌भुत सामर्थ्‍यक महान्‌ शक्‍ति सँ अहाँ सभ केँ मजगूत बनबथि, जाहि सँ सभ बात केँ अहाँ सभ धैर्य आ सहनशीलताक संग सहि सकी,
11 sendo fortalecidos com todo o poder, segundo a força da sua glória, em toda a perseverança e longanimidade; com alegria,
12 आ आनन्‍दपूर्बक ओहि पिता केँ धन्‍यवाद दैत रही जे अहाँ सभ केँ इजोतक राज्‍य मे रहऽ वला हुनकर लोकक उत्तराधिकार मे सहभागी होयबा जोगरक बनौने छथि।
12 dando graças ao Pai, que vos fez idôneos à parte que vos cabe da herança dos santos na luz.
13 कारण, ओ अपना सभ केँ अन्‍हारक राज्‍य सँ मुक्‍त करा कऽ अपन प्रिय पुत्रक राज्‍य मे प्रवेश करौने छथि।
13 Ele nos libertou do império das trevas e nos transportou para o reino do Filho do seu amor,
14 हुनका पुत्र द्वारा अपना सभ केँ छुटकारा भेटल अछि, पापक क्षमा प्राप्‍त भेल अछि।
14 no qual temos a redenção, a remissão dos pecados.
15 यीशु मसीह अदृश्‍य परमेश्‍वरक प्रतिरूप छथि, ओ समस्‍त सृष्‍टिक उपर सर्वोच्‍च स्‍थान पर छथि।
15 Este é a imagem do Deus invisível, o primogênito de toda a criação;
16 किएक तँ हुनके माध्‍यम सँ सभ वस्‍तुक सृष्‍टि भेल, ओ चाहे स्‍वर्गक होअय वा पृथ्‍वीक, दृश्‍य होअय वा अदृश्‍य, सिंहासन होअय वा प्रभुता, शासन होअय वा अधिकार—सभ वस्‍तु हुनके द्वारा आ हुनके लेल रचल गेल अछि।
16 pois, nele, foram criadas todas as coisas, nos céus e sobre a terra, as visíveis e as invisíveis, sejam tronos, sejam soberanias, quer principados, quer potestades. Tudo foi criado por meio dele e para ele.
17 ओ सभ वस्‍तुक सृष्‍टि सँ पहिने सँ छथि आ समस्‍त सृष्‍टि हुनके मे स्‍थिर रहैत अछि।
17 Ele é antes de todas as coisas. Nele, tudo subsiste.
18 ओ शरीरक, अर्थात् मण्‍डलीक, सिर छथि। वैह शुरुआत छथि, और पहिल छथि जे मरल सभ मे सँ जीबि उठलाह, जाहि सँ सभ बात मे हुनके प्रथम स्‍थान भेटनि।
18 Ele é a cabeça do corpo, da igreja. Ele é o princípio, o primogênito de entre os mortos, para em todas as coisas ter a primazia,
19 किएक तँ परमेश्‍वरक इच्‍छा यैह भेलनि जे हुनकर समस्‍त परिपूर्णता मसीह मे निवास करनि,
19 porque aprouve a Deus que, nele, residisse toda a plenitude
20 आ क्रूस पर मसीह जे खून बहौलनि, तकरा मेल-मिलापक आधार बना कऽ हुनके द्वारा सभ वस्‍तुक, चाहे ओ पृथ्‍वी परक होअय वा स्‍वर्ग मेहक, अपना सँ मेल करा लेथि।
20 e que, havendo feito a paz pelo sangue da sua cruz, por meio dele, reconciliasse consigo mesmo todas as coisas, quer sobre a terra, quer nos céus.
21 पहिने अहूँ सभ परमेश्‍वर सँ दूर छलहुँ। अहाँ सभ अपन अधलाह विचार-व्‍यवहारक कारणेँ अपना मोन मे परमेश्‍वर सँ शत्रुता कयने छलहुँ।
21 E a vós outros também que, outrora, éreis estranhos e inimigos no entendimento pelas vossas obras malignas,
22 मुदा आब परमेश्‍वर मसीहक हाड़-माँसुक शरीरक मृत्‍यु द्वारा अपना संग अहाँ सभक मेल करौने छथि, जाहि सँ ओ अहाँ सभ केँ पवित्र, निर्दोष आ निष्‍कलंक बना कऽ अपना सम्‍मुख उपस्‍थित करबथि।
22 agora, porém, vos reconciliou no corpo da sua carne, mediante a sua morte, para apresentar-vos perante ele santos, inculpáveis e irrepreensíveis,
23 परन्‍तु ई तखने सम्‍भव अछि जखन अहाँ सभ अपना विश्‍वास मे दृढ़ भऽ कऽ स्‍थिर बनल रही आ ओहि आशा सँ विचलित नहि होइ जे अहाँ सभ केँ सुसमाचार द्वारा देल गेल अछि। ई वैह सुसमाचार अछि जे अहाँ सभ सुनलहुँ आ जे आकाशक नीचाँ समस्‍त सृष्‍टि मे सुनाओल गेल, और हम पौलुस परमेश्‍वरक सेवा मे ओकर प्रचार करबाक लेल पठाओल गेल छी।
23 se é que permaneceis na fé, alicerçados e firmes, não vos deixando afastar da esperança do evangelho que ouvistes e que foi pregado a toda criatura debaixo do céu, e do qual eu, Paulo, me tornei ministro.
24 आब हम अहाँ सभक लेल जे कष्‍ट भोगि रहल छी ताहि कारणेँ आनन्‍दित छी। एखनो मसीह केँ अपना शरीरक लेल, अर्थात् मण्‍डलीक लेल, दुःख भोगनाइ बाँकी छनि, और हम अपना देह मे दुःख भोगि कऽ तकरा पूरा करऽ मे सहभागी होइत छी।
24 Agora, me regozijo nos meus sofrimentos por vós; e preencho o que resta das aflições de Cristo, na minha carne, a favor do seu corpo, que é a igreja;
25 परमेश्‍वर अहाँ सभक लाभक लेल एकटा काज हमरा जिम्‍मा मे दऽ कऽ मण्‍डलीक सेवक नियुक्‍त कयलनि, आ से ई अछि जे हम परमेश्‍वरक वचनक पूरा-पूरी प्रचार करी,
25 da qual me tornei ministro de acordo com a dispensação da parte de Deus, que me foi confiada a vosso favor, para dar pleno cumprimento à palavra de Deus:
26 अर्थात् ओहि रहस्‍यक प्रचार, जे युग-युग सँ आ पीढ़ी-दर-पीढ़ी गुप्‍त छल, मुदा आब परमेश्‍वरक लोक सभक लेल प्रगट कयल गेल अछि।
26 o mistério que estivera oculto dos séculos e das gerações; agora, todavia, se manifestou aos seus santos;
27 परमेश्‍वर अपना लोकक लेल ई रहस्‍य प्रगट करबाक निश्‍चय कयलनि जाहि सँ ओ सभ जानथि जे हुनकर योजना, जे सभ जातिक लोकक लेल अछि, से कतेक अद्‌भुत आ वैभवपूर्ण अछि। ओ रहस्‍य ई अछि जे, मसीह अपने अहाँ सभ मे वास करैत छथि आ वैह एहि बातक आशाक आधार छथि जे अहाँ सभ परमेश्‍वरक महिमा मे सहभागी होयब।
27 aos quais Deus quis dar a conhecer qual seja a riqueza da glória deste mistério entre os gentios, isto é, Cristo em vós, a esperança da glória;
28 हम सभ एही मसीहक प्रचार करैत छी। पूर्ण बुद्धि-ज्ञान प्रयोग कऽ कऽ प्रत्‍येक मनुष्‍य केँ चेतावनी दैत छी, प्रत्‍येक मनुष्‍य केँ शिक्षा दैत छी, जाहि सँ प्रत्‍येक मनुष्‍य केँ मसीह मे परिपूर्णता धरि पहुँचा कऽ हुनका सम्‍मुख प्रस्‍तुत कऽ सकी।
28 o qual nós anunciamos, advertindo a todo homem e ensinando a todo homem em toda a sabedoria, a fim de que apresentemos todo homem perfeito em Cristo;
29 एहि उद्देश्‍यक पूर्तिक लेल हम हुनका सामर्थ्‍य सँ, जे हमरा मे प्रबल रूप सँ क्रियाशील अछि, कठिन परिश्रम करैत संघर्ष मे लागल रहैत छी।
29 para isso é que eu também me afadigo, esforçando-me o mais possível, segundo a sua eficácia que opera eficientemente em mim.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Colossenses 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.