Atos 7

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 तखन महापुरोहित स्‍तिफनुस सँ पुछलथिन, “की ई बात सभ सत्‍य अछि?”
1 Perguntou-lhe então o sumo sacerdote: É realmente assim?
2 एहि पर स्‍तिफनुस उत्तर देलथिन, “बाबू-भैया लोकनि, हमर बात सुनू! अपना सभक पूर्वज अब्राहम हारान नगर मे वास करऽ सँ पहिने जखन मेसोपोतामिया क्षेत्र मे रहैत छलाह तखन हुनका महिमामय परमेश्‍वर दर्शन देलथिन।
2 Respondeu ele: Irmãos e pais, escutai. O Deus da glória apareceu a nosso pai Abraão, quando estava na Mesopotâmia, antes de ir morar em Harã.
3 ओ कहलथिन, ‘तोँ अपन देश सँ निकलि जाह, अपन कुटुम्‍ब-परिवार केँ छोड़ि दैह और ओहि देश मे जाह जे हम तोरा देखयबह।’
3 E disse-lhe: Sai de teu país e de tua parentela, e vai para a terra que eu te mostrar {Gn 12,1}.
4 तेँ ओ कसदी जातिक लोकक देश छोड़ि कऽ हारान मे आबि कऽ बसलाह। हुनकर पिताक मृत्‍युक बाद परमेश्‍वर हुनका हारान नगर सँ एहि देश मे पठौलथिन जतऽ एखन अहाँ सभ रहि रहल छी।
4 Ele saiu da terra dos caldeus, e foi habitar em Harã. Dali, depois que lhe faleceu o pai, Deus o fez passar para esta terra, em que vós agora habitais.
5 एतऽ परमेश्‍वर उत्तराधिकारक रूप मे हुनका एतबो जमीन अपन कहाबऽ वला नहि देलथिन जतबा पर ओ पयर टेकि सकितथि, मुदा तैयो परमेश्‍वर हुनका ई वचन देलथिन जे, ‘हम ई देश तोरा आ तोरा बाद तोहर वंशक अधिकार मे कऽ देबह,’ जखन कि ओहि समय मे हुनका कोनो सन्‍तानो नहि छलनि।
5 Não lhe deu nela propriedade alguma, nem sequer um palmo de terra, mas prometeu dar-lha em posse, e depois dele à sua posteridade, quando ainda não tinha filho algum.
6 परमेश्‍वर हुनका ई बात कहलथिन, ‘तोहर वंशक लोक सभ आन देश मे प्रवासी भऽ जयतह आ ओतऽ ओ सभ चारि सय वर्ष धरि गुलाम बनि कष्‍ट सहैत रहतह।’
6 Eis como falou Deus: Tua descendência habitará em terra estranha e será reduzida à escravidão e maltratada pelo espaço de quatrocentos anos.
7 परमेश्‍वर फेर कहलथिन, ‘जाहि राष्‍ट्रक लोक ओकरा सभ केँ गुलाम बनाओत तकरा हम दण्‍ड देबैक। तकरबाद ओ सभ ओहि देश सँ निकलि आओत और एही देश मे आबि कऽ हमर आराधना करत।’
7 Mas eu julgarei a nação que os dominar - diz o Senhor -, e eles sairão e me prestarão culto neste lugar {Gn 15,13s.; Ex 3,12}.
8 तखन परमेश्‍वर अब्राहमक संग जे विशेष सम्‍बन्‍ध स्‍थापित कयने छलाह, तकर चिन्‍ह स्‍वरूप हुनका सँ खतनाक विधि शुरू करबौलनि। तेँ जखन हुनकर पुत्र इसहाकक जन्‍म भेलनि तँ तकर आठम दिन मे ओ हुनकर खतना करौलनि। बाद मे इसहाकक पुत्र याकूबक जन्‍म भेलनि और याकूब सँ अपना सभक बारह कुल-पिता जन्‍म लेलनि।
8 E deu-lhe a aliança da circuncisão. Assim, Abraão teve um filho, Isaac, e, passados oito dias, o circuncidou; e Isaac, a Jacó; e Jacó, os doze patriarcas.
9 “यैह कुल-पिता लोकनि अपन भाय यूसुफ सँ डाह रखैत हुनका बेचि देलनि और ओ मिस्र देश मे लऽ जायल गेलाह। मुदा परमेश्‍वर हुनका संग छलथिन।
9 Os patriarcas, invejosos de José, venderam-no para o Egito. Mas Deus estava com ele.
10 सभ कष्‍ट और विपत्ति मे ओ हुनका बचौलथिन, और हुनका नीक बुद्धि देलथिन जाहि सँ मिस्रक राजा फरओ हुनका सँ प्रसन्‍न भेलनि और हुनका मिस्र देशक प्रधानमन्‍त्री आ अपन सम्‍पूर्ण राजभवनक मुख्‍य अधिकारी बनौलथिन।
10 Livrou-o de todas as suas tribulações e deu-lhe graça e sabedoria diante do faraó, rei do Egito, que o fez governador do Egito e chefe de sua casa.
11 “जखन सम्‍पूर्ण मिस्र देश आ कनान देश मे भारी रौदी पड़ल तँ अपना सभक पूर्वज लोकनि केँ बड़का कष्‍ट सहऽ पड़लनि कारण हुनका सभ लग भोजनक लेल कोनो अन्‍न नहि छलनि।
11 Sobreveio depois uma fome a todo o Egito e Canaã. Grande era a tribulação, e os nossos pais não achavam o que comer.
12 ओहि समय मे याकूब सुनलनि जे मिस्र देश मे अन्‍न भेटि रहल अछि, तँ ओ अपना सभक कुल-पिता सभ केँ पहिल बेर मिस्र देश सँ अन्‍न किनबाक लेल पठौलथिन।
12 Mas quando Jacó soube que havia trigo no Egito, enviou pela primeira vez os nossos pais para lá.
13 ओ सभ फेर जखन दोसर बेर अन्‍न किनबाक लेल ओतऽ गेलाह तँ यूसुफ हुनका सभ केँ अपन परिचय दऽ कऽ ई बात प्रगट कयलनि जे हम अहाँ सभक भाय यूसुफ छी। तखन फरओ केँ सेहो यूसुफक परिवारक बारे मे जानकारी भेलनि।
13 Na segunda, foi José reconhecido por seus irmãos, e foi descoberta ao faraó a sua origem.
14 एकर बाद यूसुफ अपन पिता याकूब आ हुनकर सम्‍पूर्ण परिवार, अर्थात् पचहत्तरियो लोक केँ बजबा लेलथिन।
14 Enviando mensageiros, José mandou vir seu pai Jacó com toda a sua família, que constava de setenta e cinco pessoas.
15 याकूब मिस्र देश गेलाह। ओ और अपना सभक कुल-पिता लोकनि ओतहि मुइलाह।
15 Jacó desceu ao Egito e morreu ali, como também nossos pais.
16 हुनका सभक लास ओतऽ सँ आनि कऽ एहि देशक शकेम नामक स्‍थान मे ओहि कबर मे राखल गेलनि जे अब्राहम हमोरक पुत्र सभ सँ पाइ दऽ कऽ किनने छलाह।
16 Seus corpos foram trasladados para Siquém, e foram postos no sepulcro que Abraão tinha comprado, a peso de dinheiro, dos filhos de Hemor, de Siquém.
17 “जँ-जँ ओहि वचन केँ पूर्ण होयबाक समय लगचिआइत गेल जे परमेश्‍वर अब्राहम केँ देने छलाह तँ-तँ मिस्र मे अपना सभक पूर्वजक संख्‍या बढ़ैत गेल।
17 Aproximava-se o tempo em que devia realizar-se a promessa que Deus havia jurado a Abraão. O povo cresceu e se multiplicou no Egito
18 ओहि समय मे मिस्र मे एक नव राजा भेलाह जे यूसुफक सम्‍बन्‍ध मे नहि किछु जनैत छलाह।
18 até que se levantou outro rei no Egito, o qual nada sabia de José.
19 ओ राजा अपना सभक जाति केँ धोखा दऽ कऽ अपना सभक पूर्वज लोकनि केँ अपन-अपन बच्‍चा सभ केँ फेकि देबाक लेल विवश कऽ देलथिन जाहि सँ ओ सभ मरि जाय।
19 Este rei, usando de astúcia contra a nossa raça, maltratou nossos pais e obrigou-os a enjeitar seus filhos para privá-los da vida.
20 “ओही समय मे मूसाक जन्‍म भेलनि। परमेश्‍वरक नजरि मे हुनकर विशेष स्‍थान छलनि। तीन मास धरि हुनकर पालन-पोषण अपन पिताक घर मे भेलनि।
20 Por este mesmo tempo, nasceu Moisés. Era belo aos olhos de Deus e por três meses foi criado na casa paterna.
21 मुदा आरो दिन नहि नुका सकबाक कारणेँ हुनका जखन बाहर धऽ देल गेलनि तँ फरओ-राजाक बेटी हुनका पौलक और अपन पुत्र मानि कऽ पोसलक।
21 Depois, quando foi exposto, a filha do faraó o recolheu e o criou como seu próprio filho.
22 एहि तरहेँ मूसा मिस्र देशक सम्‍पूर्ण शिक्षा प्राप्‍त कयलनि और ओ बात आ काज दूनू मे सामर्थी भेलाह।
22 Moisés foi instruído em todas as ciências dos egípcios e tornou-se forte em palavras e obras.
23 “मूसा जखन चालिस वर्षक भेलाह तखन हुनका मोन भेलनि जे हम अपन जाति-भाय इस्राएली सभ सँ भेँट-घाँट करी।
23 Quando completou 40 anos, veio-lhe à mente visitar seus irmãos, os filhos de Israel.
24 एक दिन ओ देखलनि जे एक मिस्री लोक हुनकर जाति-भायक संग दुर्व्‍यवहार कऽ रहल अछि, तेँ ओ अपन भायक पक्ष लैत ओहि मिस्री लोकक खून कऽ कऽ तकर बदला लऽ लेलनि।
24 Viu que um deles era maltratado; tomou-lhe a defesa e vingou o que padecia a injúria, matando o egípcio.
25 ओ सोचैत छलाह जे हमर जाति-भाय सभ ई बात बुझि जायत जे परमेश्‍वर हमरा द्वारा ओकरा सभ केँ मुक्‍त करौताह मुदा ओ सभ एहि बात केँ नहि बुझलक।
25 Ele esperava que os seus irmãos compreendessem que Deus se servia de sua mão para livrá-los. Mas não o entenderam.
26 प्रात भेने जखन ओ फेर बहरयलाह तँ दू इस्राएली भाय केँ अपने मे लड़ाइ करैत देखलनि। ओ ओकरा सभ केँ मेल-मिलाप कऽ लेबाक लेल बुझौलथिन, ‘सुनू, अहाँ सभ भाय-भाय छी तखन एक-दोसर केँ किएक कष्‍ट दैत छी?’
26 No dia seguinte, dois dentre eles brigavam, e ele procurou reconciliá-los: Amigos, disse ele, sois irmãos, por que vos maltratais um ao outro?
27 एहि बात पर ओ जे दोषी छल से मूसा केँ धकिया कऽ कहलकनि, ‘अहाँ केँ के हमरा सभक हाकिम और न्‍यायाधीश बनौलक?
27 Mas o que maltratava seu compatriota o repeliu: Quem te constituiu chefe ou juiz sobre nós?
28 की जहिना अहाँ काल्‍हि ओहि मिस्री लोकक खून कयलहुँ तहिना हमरो खून कऽ देबऽ चाहैत छी?’
28 Porventura queres tu matar-me, como ontem mataste o egípcio?
29 मूसा ई बात सुनि मिस्र देश सँ भागि कऽ मिद्यान देश मे परदेशी भऽ कऽ रहऽ लगलाह और ओतहि हुनकर दूटा बेटाक जन्‍म भेलनि।
29 A estas palavras, Moisés fugiu. E esteve como estrangeiro na terra de Madiã, onde teve dois filhos.
30 “चालिस वर्षक बाद सीनय पहाड़ लग निर्जन क्षेत्र मे जरैत झाड़ीक धधरा मे एक स्‍वर्गदूत मूसा केँ देखाइ देलनि।
30 Passados quarenta anos, apareceu-lhe no deserto do monte Sinai um anjo, na chama duma sarça ardente.
31 ई देखि हुनका बड्ड आश्‍चर्य लगलनि। एहि दृश्‍य केँ लग सँ देखबाक लेल जखन गेलाह तँ प्रभु हुनका कहलथिन,
31 Moisés, admirado de uma tal visão, aproximou-se para a examinar. E a voz do Senhor lhe falou:
32 ‘हम तोहर पूर्वजक परमेश्‍वर, अर्थात् अब्राहम, इसहाक और याकूबक परमेश्‍वर छी।’ मूसा थर-थर काँपऽ लगलाह और हुनका ओम्‍हर देखैत रहबाक साहस नहि भेलनि।
32 Eu sou o Deus de teus pais, o Deus de Abraão, de Isaac, de Jacó. Moisés, atemorizado, não ousava levantar os olhos.
33 तखन प्रभु कहलथिन, ‘तोँ अपन चप्‍पल बाहर कऽ लैह, कारण जतऽ तोँ ठाढ़ छह से पवित्र स्‍थान अछि।
33 O Senhor lhe disse: Tira o teu calçado, porque o lugar onde estás é uma terra santa.
34 हम देखलहुँ जे मिस्र मे हमरा लोक केँ कोना सताओल जा रहल अछि, हम ओकरा सभक कुहरनाइ सुनलहुँ आ ओकरा सभ केँ मुक्‍त करयबाक लेल उतरि आयल छी। आब आबह! हम तोरा मिस्र देश मे पठा रहल छिअह।’
34 Considerei a aflição do meu povo no Egito, ouvi os seus gemidos e desci para livrá-los. Vem, pois, agora e eu te enviarei ao Egito.
35 “ई वैह मूसा छथि जिनका ओ सभ ई कहि कऽ अस्‍वीकार कयने छलनि जे, अहाँ केँ के हाकिम आ न्‍यायाधीश बनौलक? हुनका परमेश्‍वर ओहि स्‍वर्गदूत द्वारा जे हुनका झाड़ी मे देखाइ देने छलनि हाकिम और मुक्‍त करौनिहार बना कऽ पठौलथिन।
35 Este Moisés que desprezaram, dizendo: Quem te constituiu chefe ou juiz?, a este Deus enviou como chefe e libertador pela mão do anjo que lhe apareceu na sarça.
36 वैह आदमी मिस्र मे, लाल सागर मे आ चालिस वर्ष धरि निर्जन क्षेत्र मे चमत्‍कारपूर्ण काज आ चिन्‍ह सभ देखबैत अपन इस्राएली लोक केँ मिस्र सँ बाहर निकालि अनलनि।
36 Ele os fez sair do Egito, operando prodígios e milagres na terra do Egito, no mar Vermelho e no deserto, por espaço de quarenta anos.
37 ई वैह मूसा छथि जे ओकरा सभ केँ कहलथिन, ‘परमेश्‍वर तोरे सभ मे सँ हमरा सनक प्रवक्‍ता तोरा सभक लेल पठौथुन।’
37 Foi este Moisés que disse aos filhos de Israel: Deus vos suscitará dentre os vossos irmãos um profeta como eu.
38 हँ, ई वैह छथि जे निर्जन क्षेत्र मे अपना सभक पूर्वजक समुदाय मे छलाह आ जिनका सँ सीनय पहाड़ पर स्‍वर्गदूत बात कयलनि। हुनके जीवनक वचन देल गेलनि जे ओ अपना सभ केँ प्रदान करथि।
38 Este é o que esteve entre o povo congregado no deserto, e com o anjo que lhe falara no monte Sinai, e com os nossos pais; que recebeu palavras de vida para no-las transmitir.
39 “मुदा अपना सभक पूर्वज सभ हुनकर बात नहि मानलनि, बल्‍कि हुनका अस्‍वीकार कयलथिन आ फेर मिस्र देश घूमि जयबाक इच्‍छा करैत छलाह।
39 Nossos pais não lhe quiseram obedecer, mas o repeliram. Em seus corações voltaram-se para o Egito,
40 ओ सभ हारून केँ कहलथिन, ‘अहाँ हमरा सभक लेल एहन देवता बना दिअ जे हमरा सभक मार्गदर्शन करथि, कारण ई मूसा जे हमरा सभ केँ मिस्र देश सँ निकालि कऽ अनलनि तिनका नहि जानि की भऽ गेलनि!’
40 dizendo a Aarão: Faze-nos deuses, que vão diante de nós, porque quanto a este Moisés, que nos tirou da terra do Egito, não sabemos o que foi feito dele.
41 ओही समय मे ओ सभ एक बच्‍छाक मुरुत बना कऽ ओकरा लग बलि-प्रदान कयलनि। ओ सभ अपन हाथक बनाओल मुरुतक लेल एक पैघ उत्‍सव मनौलनि।
41 Fizeram, naqueles dias, um bezerro de ouro e ofereceram um sacrifício ao ídolo, e se alegravam diante da obra das suas mãos.
42 एहि पर परमेश्‍वर हुनका सभ केँ त्‍यागि देलथिन और आकाशक सूर्य, चन्‍द्रमा आ तारा सभक पूजा करबाक लेल छोड़ि देलथिन। एही सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक लेख मे लिखल अछि,
42 Mas Deus afastou-se e os abandonou ao culto dos astros do céu, como está escrito no livro dos profetas: Porventura, casa de Israel, vós me oferecestes vítimas e sacrifícios por quarenta anos no deserto?
43 नहि, तोँ सभ मोलोक देवताक मण्‍डप केँ
43 Aceitastes a tenda de Moloc e a estrela do vosso deus Renfão, figuras que vós fizestes para adorá-las! Assim eu vos deportarei para além da Babilônia {Am 5,25ss.}.
44 “निर्जन क्षेत्र मे अपना सभक पूर्वज सभ लग ‘साक्षीक मण्‍डप’ छलनि। ओ मण्‍डप ओही नमूनाक अनुसार बनाओल गेल छल जे परमेश्‍वर मूसा केँ देखौने छलथिन आ ठीक ओहिना बनयबाक आज्ञा देने छलथिन।
44 A Arca da Aliança esteve com os nossos pais no deserto, como Deus ordenou a Moisés que a fizesse conforme o modelo que tinha visto.
45 ओ मण्‍डप ओहि पुस्‍त सँ दोसर पुस्‍त मे आयल, और परमेश्‍वर जखन एहि देश मे सँ दोसर जाति सभ केँ भगा देलनि आ अपना सभक पूर्वज सभ एहि देश केँ जितलनि तँ ओ सभ यहोशूक संग ओहि मण्‍डप केँ सेहो एतऽ अनलनि। और ओ मण्‍डप राजा दाऊदक समय धरि एहि देश मे रहल।
45 Recebendo-a nossos pais, levaram-na sob a direção de Josué às terras dos pagãos, que Deus expulsou da presença de nossos pais. E ali ficou até o tempo de Davi.
46 राजा दाऊद सँ परमेश्‍वर विशेष प्रसन्‍न छलाह। ओ परमेश्‍वर सँ प्रार्थना कयलनि, ‘हे हमर पूर्वज याकूबक परमेश्‍वर, हम अहाँक निवासक लेल एक घरक निर्माण करी तकर आज्ञा हमरा दिअ।’
46 Este encontrou graça diante de Deus e pediu que pudesse achar uma morada para o Deus de Jacó.
47 मुदा परमेश्‍वरक ओहि घरक निर्माण करऽ वला हुनकर बेटा सुलेमान भेलाह।
47 Salomão foi quem lhe edificou a casa.
48 “परन्‍तु परम परमेश्‍वर मनुष्‍य द्वारा बनाओल घर सभ मे नहि रहैत छथि, जेना हुनकर एक प्रवक्‍ताक लेख मे अछि,
48 O Altíssimo, porém, não habita em casas construídas por mãos humanas. Como diz o profeta:
49 ‘स्‍वर्ग हमर सिंहासन अछि,
49 O céu é o meu trono, e a terra o escabelo dos meus pés. Que casa me edificareis vós?, diz o Senhor. Qual é o lugar do meu repouso?
50 की ई सभ हमरे बनाओल नहि अछि?’
50 Acaso não foi minha mão que fez tudo isto {Is 66,1s.}?
51 “हे जिद्दी आ अशुद्ध मोनक, कानक बहीर लोक सभ! अहाँ सभ एकदम अपन पूर्वज सभ जकाँ छी, सदिखन पवित्र आत्‍माक विरोध करैत रहैत छी!
51 Homens de dura cerviz, e de corações e ouvidos incircuncisos! Vós sempre resistis ao Espírito Santo. Como procederam os vossos pais, assim procedeis vós também!
52 परमेश्‍वरक एहन एकोटा प्रवक्‍ता भेलाह, जिनका अहाँ सभक पूर्वज सभ नहि सतौलकनि? परमेश्‍वरक धार्मिक सेवकक आगमनक सम्‍बन्‍ध मे भविष्‍यवाणी कयनिहार सभक ओ सभ खून तक कऽ देलकनि। और आब अहाँ सभ ओहि धार्मिक सेवक केँ पकड़बा कऽ हुनकर हत्‍या कयलहुँ।
52 A qual dos profetas não perseguiram os vossos pais? Mataram os que prediziam a vinda do Justo, do qual vós agora tendes sido traidores e homicidas.
53 अहाँ सभ ओ लोक छी जकरा स्‍वर्गदूतक माध्‍यम सँ परमेश्‍वरक धर्म-नियम देल गेल मुदा अहीं सभ ओकरा नहि मानने छी।”
53 Vós que recebestes a lei pelo ministério dos anjos e não a guardastes...
54 ई बात सुनितहि ओ सभ तामसे-पित्ते हुनका पर दाँत पिसऽ लागल।
54 Ao ouvir tais palavras, esbravejaram de raiva e rangiam os dentes contra ele.
55 मुदा स्‍तिफनुस पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण भऽ स्‍वर्ग दिस ताकऽ लगलाह और ओ ओतऽ परमेश्‍वरक तेज प्रकाश चमकैत आ परमेश्‍वरक दहिना कात यीशु केँ ठाढ़ देखलनि।
55 Mas, cheio do Espírito Santo, Estêvão fitou o céu e viu a glória de Deus e Jesus de pé à direita de Deus:
56 ओ बाजि उठलाह, “हम स्‍वर्ग केँ खुजल आ परमेश्‍वरक दहिना कात मनुष्‍य-पुत्र यीशु केँ ठाढ़ देखि रहल छियनि।”
56 Eis que vejo, disse ele, os céus abertos e o Filho do Homem, de pé, à direita de Deus.
57 एहि बात पर ओ सभ अपन कान मुनि लेलक और जोर सँ हल्‍ला करैत हुनका दिस दौड़ल
57 Levantaram então um grande clamor, taparam os ouvidos e todos juntos se atiraram furiosos contra ele.
58 आ हुनका पकड़ि कऽ घिसिअबिते शहर सँ बाहर लऽ गेल और हुनका खून कऽ देबाक लेल पाथर मारऽ लगलनि। गवाह सभ अपन वस्‍त्र साउल नामक युवक लग रखने छल।
58 Lançaram-no fora da cidade e começaram a apedrejá-lo. As testemunhas depuseram os seus mantos aos pés de um moço chamado Saulo.
59 जखन ओ सभ स्‍तिफनुस केँ पाथर मारि रहल छलनि तखन ओ प्रार्थना कऽ रहल छलाह, “हे प्रभु यीशु, हमर आत्‍मा केँ ग्रहण करू।”
59 E apedrejavam Estêvão, que orava e dizia: Senhor Jesus, recebe o meu espírito.
60 ओ ठेहुन रोपि फेर जोर सँ कहलनि, “हे प्रभु, एहि पापक हिसाब एकरा सभ सँ नहि लिऔक।” एतबा कहलाक बाद हुनकर प्राण छुटि गेलन्‍हि।
60 Posto de joelhos, exclamou em alta voz: Senhor, não lhes leves em conta este pecado... A estas palavras, expirou.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 7, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.