Atos 26

jivən səndesh (MAI) vs ACF

Sair da comparação
ACF Almeida Corrigida Fiel
1 तखन अग्रिप्‍पा पौलुस केँ कहलथिन, “अहाँ केँ अपना पक्षक वयान देबाक अनुमति अछि।”
1 Depois Agripa disse a Paulo: É permitido que te defendas. Então Paulo, estendendo a mão em sua defesa, respondeu:
2 “राजा अग्रिप्‍पा, ई हमरा लेल सौभाग्‍यक बात अछि जे हमरा आइ अपनेक समक्ष ओहि आरोप सभक सम्‍बन्‍ध मे उत्तर देबाक अवसर भेटल जे यहूदी सभ हमरा पर लगा रहल छथि,
2 Tenho-me por feliz, ó rei Agripa, de que perante ti me haja hoje de defender de todas as coisas de que sou acusado pelos judeus;
3 विशेष कऽ एहि लेल जे अपने यहूदी सभक सभ प्रथा आ विवाद सँ नीक जकाँ परिचित छी। तेँ अपने सँ प्रार्थना अछि जे हमर बात धैर्यपूर्बक सुनबाक कृपा कयल जाओ।
3 Mormente sabendo eu que tens conhecimento de todos os costumes e questões que há entre os judeus; por isso te rogo que me ouças com paciência.
4 “हम शुरुए सँ अपना जातिक बीच अपनो देश मे आ यरूशलेमो मे अपन जीवन बचपने सँ कोना बितौलहुँ, से यहूदी सभ जनैत छथि।
4 Quanto à minha vida, desde a mocidade, como decorreu desde o princípio entre os da minha nação, em Jerusalém, todos os judeus a conhecem,
5 ओ सभ हमर पुरान परिचित लोक छथि आ तेँ जँ चाहितथि तँ हमरा बारे मे गवाहिओ दऽ सकितथि जे हम अपन यहूदी धर्मक सभ सँ कट्टर पंथ, अर्थात् फरिसी पंथक अनुसरण कयने छलहुँ।
5 Sabendo de mim desde o princípio (se o quiserem testificar), que, conforme a mais severa seita da nossa religião, vivi fariseu.
6 और एखन हमर एहि लेल न्‍याय कयल जा रहल अछि जे हम पूर्ण विश्‍वासक संग ओहि वचन पर अपन आशा रखने छी जे वचन परमेश्‍वर हमरा सभक पूर्वज सभ केँ देने छथि।
6 E agora pela esperança da promessa que por Deus foi feita a nossos pais estou aqui e sou julgado.
7 आ ठीक यैह वचन पूरा होयबाक आशा रखैत हमरा यहूदी लोकनिक बारहो कुलक लोक सभ बहुत भक्‍तिक संग दिन-राति परमेश्‍वरक सेवा करैत छथि। हँ सरकार, एही वचन पर हमर आशाक कारणेँ यहूदी सभक द्वारा हमरा पर दोष लगाओल जा रहल अछि!
7 À qual as nossas doze tribos esperam chegar, servindo a Deus continuamente, noite e dia. Por esta esperança, ó rei Agripa, eu sou acusado pelos judeus.
8 अपने सभ केँ ई बात अविश्‍वसनीय किएक लगैत अछि जे परमेश्‍वर मुइल सभ केँ जिअबैत छथिन?
8 Pois quê? julga-se coisa incrível entre vós que Deus ressuscite os mortos?
9 “हमहूँ सोचैत छलहुँ जे, जतेक हम नासरत-निवासी यीशुक नामक विरोध मे कऽ सकैत छी, ततेक हमरा करबाक अछि।
9 Bem tinha eu imaginado que contra o nome de Jesus Nazareno devia eu praticar muitos atos;
10 आ हम यरूशलेम मे एना करबो कयलहुँ। मुख्‍यपुरोहित सभ सँ अधिकार लऽ कऽ हम परमेश्‍वरक कतेको लोक सभ केँ जहल मे राखि देलहुँ, आ जखन ओकरा सभ केँ मृत्‍युदण्‍ड देल गेलैक तँ हमहूँ ओहि मे सहमति दैत छलहुँ।
10 O que também fiz em Jerusalém. E, havendo recebido autorização dos principais dos sacerdotes, encerrei muitos dos santos nas prisões; e quando os matavam eu dava o meu voto contra eles.
11 हम कतेको बेर सभाघर सभ मे जा-जा कऽ ओकरा सभ केँ दण्‍ड दिआ कऽ ओकरा सभ सँ अपना प्रभु केँ अस्‍वीकार करयबाक कोशिश कयलहुँ। हमरा ततेक क्रोध छल जे सनकल जकाँ भऽ गेल छलहुँ आ हम ओकरा सभ केँ सतयबाक लेल आनो-आन देशक शहर सभ मे गेलहुँ।
11 E, castigando-os muitas vezes por todas as sinagogas, os obriguei a blasfemar. E, enfurecido demasiadamente contra eles, até nas cidades estranhas os persegui.
12 “एक बेर हम एही काजक लेल मुख्‍यपुरोहित सभक पूर्ण अधिकार और आज्ञाक संग दमिश्‍क जा रहल छलहुँ।
12 Sobre o que, indo então a Damasco, com poder e comissão dos principais dos sacerdotes,
13 करीब दुपहरक समय मे, सरकार, रस्‍ता मे हम आकाश सँ एहन इजोत देखलहुँ जे सूर्योक इजोत सँ तेज छल, जे हमरा आ हमर सहयात्री सभक चारू कात चमकि रहल छल।
13 Ao meio-dia, ó rei, vi no caminho uma luz do céu, que excedia o esplendor do sol, cuja claridade me envolveu a mim e aos que iam comigo.
14 हम सभ गोटे जमीन पर खसि पड़लहुँ। तखन हमरा अपन इब्रानी भाषा मे एक आवाज सुनाइ देलक जे हमरा कहैत छल, ‘हौ साउल, हौ साउल, हमरा किएक सतबैत छह? तोँ हमर विरोध कऽ कऽ अपने केँ कष्‍ट पहुँचबैत छह।’
14 E, caindo nós todos por terra, ouvi uma voz que me falava, e em língua hebraica dizia: Saulo, Saulo, por que me persegues? Dura coisa te é recalcitrar contra os aguilhões.
15 तखन हम पुछलियनि, ‘प्रभु, अहाँ के छी?’ प्रभु हमरा उत्तर देलनि, ‘हम यीशु छी, जिनका तोँ सता रहल छह।
15 E disse eu: Quem és, Senhor? E ele respondeu: Eu sou Jesus, a quem tu persegues;
16 आब उठह! पयर पर ठाढ़ होअह, कारण हम तोरा एहि लेल दर्शन देने छिअह जे हम तोरा अपन सेवक आ गवाह नियुक्‍त करी। तोँ हमरा विषय मे जे देखने छह आ बाद मे जे किछु हम तोरा देखयबह, ताहि सभक सम्‍बन्‍ध मे तोरा गवाही देबाक छह।
16 Mas levanta-te e põe-te sobre teus pés, porque te apareci por isto, para te pôr por ministro e testemunha tanto das coisas que tens visto como daquelas pelas quais te aparecerei ainda;
17 हम तोहर अपन लोकक हाथ सँ और गैर-यहूदी लोक सभक हाथ सँ सेहो तोरा बचयबह। हम तोरा ओकरा सभ लग एहि लेल पठा रहल छिअह जे
17 Livrando-te deste povo, e dos gentios, a quem agora te envio,
18 तोँ ओकरा सभक आँखि खोलह और ओकरा सभ केँ अन्‍हार सँ इजोत मे, अर्थात् शैतानक राज्‍य सँ परमेश्‍वर लग, घुमाबह, जाहि सँ हमरा पर विश्‍वास कयला सँ ओ सभ पापक क्षमा प्राप्‍त करय आ परमेश्‍वरक पवित्र कयल लोकक संग उत्तराधिकारी बनय।’
18 Para lhes abrires os olhos, e das trevas os converteres à luz, e do poder de Satanás a Deus; a fim de que recebam a remissão de pecados, e herança entre os que são santificados pela fé em mim.
19 “तेँ, हे महाराज अग्रिप्‍पा, हम एहि स्‍वर्गीय दर्शन सँ भेटल आज्ञाक उल्‍लंघन नहि कयलहुँ।
19 Por isso, ó rei Agripa, não fui desobediente à visão celestial.
20 पहिने दमिश्‍क मे, तखन यरूशलेम मे आ सौंसे यहूदिया प्रदेश मे, आ गैर-यहूदी सभ मे सेहो हम प्रचार कयलहुँ जे, अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ परमेश्‍वर लग घूमि आउ, और अपन काज द्वारा अपन हृदय-परिवर्तन केँ प्रमाणित करू।
20 Antes anunciei primeiramente aos que estão em Damasco e em Jerusalém, e por toda a terra da Judéia, e aos gentios, que se emendassem e se convertessem a Deus, fazendo obras dignas de arrependimento.
21 एही कारणेँ यहूदी सभ हमरा मन्‍दिर मे पकड़लक आ जान सँ मारि देबाक कोशिश कयलक।
21 Por causa disto os judeus lançaram mão de mim no templo, e procuraram matar-me.
22 मुदा परमेश्‍वर अजुका दिन धरि हमर सहायता कयने छथि, आ तेँ हम आइ एतऽ ठाढ़ भऽ कऽ छोट-पैघ सभक सामने गवाही दऽ रहल छी। जाहि बात सभक भविष्‍यवाणी मूसा आ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता लोकनि कयलनि, ताहि सँ बेसी हम किछु नहि कहैत छी—
22 Mas, alcançando socorro de Deus, ainda até ao dia de hoje permaneço dando testemunho tanto a pequenos como a grandes, não dizendo nada mais do que o que os profetas e Moisés disseram que devia acontecer,
23 अर्थात् ई जे, उद्धारकर्ता-मसीह केँ दुःख उठयबाक छलनि, और सभ सँ पहिल मृत्‍यु सँ जीबि उठनिहार भऽ कऽ अपनो लोक केँ आ दोसरो जाति सभ केँ सेहो इजोतक शुभ समाचार सुनयबाक छलनि।”
23 Isto é, que o Cristo devia padecer, e sendo o primeiro da ressurreição dentre os mortos, devia anunciar a luz a este povo e aos gentios.
24 पौलुस जखन ई बात सभ कहिए रहल छलाह तँ फेस्‍तुस बाधा करैत बड्ड जोर सँ कहलथिन, “हौ पौलुस! तोँ बताह भऽ गेलह! तोहर पैघ शिक्षा तोरा बताह कऽ देने छह!”
24 E, dizendo ele isto em sua defesa, disse Festo em alta voz: Estás louco, Paulo; as muitas letras te fazem delirar.
25 पौलुस उत्तर देलथिन, “परम श्रेष्‍ठ फेस्‍तुस, हम बताह नहि छी। हम जे कहैत छी से एकदम सत्‍य आ विवेकपूर्ण बात अछि।
25 Mas ele disse: Não deliro, ó potentíssimo Festo; antes digo palavras de verdade e de um são juízo.
26 राजा साहेब एहि बात सभक विषय मे जनैत छथि, आ हुनका सँ हम खुलि कऽ बात कऽ सकैत छी। हमरा पूर्ण विश्‍वास अछि जे एहि सभ बात मे एहन कोनो बात नहि अछि जकरा बारे मे ओ नहि जनैत होथि, कारण ई सभ घटना कोनो कोना मे नहि भेल अछि।
26 Porque o rei, diante de quem também falo com ousadia, sabe estas coisas, pois não creio que nada disto lhe é oculto; porque isto não se fez em qualquer canto.
27 राजा अग्रिप्‍पा, की अपने परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता लोकनिक बात पर विश्‍वास करैत छी? हम जनैत छी जे अपने केँ विश्‍वास अछि।”
27 Crês tu nos profetas, ó rei Agripa? Bem sei que crês.
28 एहि पर अग्रिप्‍पा पौलुस केँ कहलथिन, “की अहाँ एतबे काल मे हमरा मसीही बनाबऽ चाहैत छी?!”
28 E disse Agripa a Paulo: Por pouco me queres persuadir a que me faça cristão!
29 पौलुस उत्तर देलथिन, “ ‘एतबे’ काल वा ‘बहुत’ काल लागय, परमेश्‍वर करथु जे अपनेटा मात्र नहि, बल्‍कि आइ जतबा लोक हमर बात सुनि रहल छथि से सभ केओ हमरा जकाँ बनथि—मात्र एहिना जिंजीर सँ बान्‍हल नहि!”
29 E disse Paulo: Prouvera a Deus que, ou por pouco ou por muito, não somente tu, mas também todos quantos hoje me estão ouvindo, se tornassem tais qual eu sou, exceto estas cadeias.
30 तखन राजा अग्रिप्‍पा उठि गेलाह, आ तहिना राज्‍यपाल, बरनिकी आ हुनका सभक संग बैसल सभ लोक सेहो ठाढ़ भऽ गेलाह।
30 E, dizendo ele isto, levantou-se o rei, o presidente, e Berenice, e os que com eles estavam assentados.
31 सभा सँ बहरा कऽ ओ सभ एक-दोसर सँ बात करऽ लगलाह, आ बजलाह, “ई आदमी मृत्‍युदण्‍ड वा जहल मे राखल जयबाक योग्‍य कोनो काज नहि कऽ रहल अछि।”
31 E, apartando-se dali falavam uns com os outros, dizendo: Este homem nada fez digno de morte ou de prisões.
32 और अग्रिप्‍पा फेस्‍तुस केँ कहलथिन, “ई जँ सम्राट लग अपील नहि कयने रहैत तँ मुक्‍त कयल जा सकैत।”
32 E Agripa disse a Festo: Bem podia soltar-se este homem, se não houvera apelado para César.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 26, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.