Atos 24

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 पाँच दिनक बाद महापुरोहित हननियाह किछु धार्मिक अगुआ सभ और तरतुल्‍लुस नामक एक वकीलक संग कैसरिया अयलाह, आ राज्‍यपाल फेलिक्‍सक समक्ष पौलुसक विरोध मे अपन आरोप प्रस्‍तुत कयलनि।
1 Cinco dias depois, o sumo sacerdote Ananias desceu a Cesaréia com alguns dos líderes dos judeus e um advogado chamado Tértulo, os quais apresentaram ao governador suas acusações contra Paulo.
2 पौलुस केँ बजाओल गेलनि, आ तरतुल्‍लुस एहि प्रकारेँ हुनका पर आरोप लगबैत राज्‍यपाल केँ कहऽ लगलनि, “परम श्रेष्‍ठ राज्‍यपाल जी, हमरा लोकनिक बीच जे ई निरन्‍तर शान्‍ति रहैत अछि से अपनेक कृपाक कारणेँ अछि। अपनेक बुद्धिमत्तापूर्ण शासनक फलस्‍वरूप एहि देश मे बहुतो समाजिक सुधार भऽ गेल अछि।
2 Quando Paulo foi chamado, Tértulo apresentou sua causa a Félix: "Temos desfrutado de um longo período de paz durante o teu governo, e o teu providente cuidado resultou em reformas nesta nação.
3 ई सभ बात हमरा लोकनि सभ तरहेँ आ सभतरि हार्दिक धन्‍यवादक संग स्‍वीकार करैत छी।
3 Em tudo e em toda parte, excelentíssimo Félix, reconhecemos estes benefícios com profunda gratidão.
4 हम अपनेक बेसी समय नहि लेबऽ चाहैत छी, तेँ निवेदन अछि जे हमरा लोकनिक दू-चारि शब्‍द केँ सुनबाक कृपा कयल जाओ।
4 Todavia, a fim de não tomar-te mais tempo, peço-te o favor de ouvir-nos apenas por um pouco.
5 बात एहि तरहेँ अछि। ई आदमी उपद्रवी अछि। सौंसे संसारक यहूदी सभ मे आन्‍दोलन मचबैत घुमैत अछि। ई नासरी-कुपंथक नेता अछि, और एतबे नहि,
5 "Verificamos que este homem é um perturbador, que promove tumultos entre os judeus pelo mundo todo. Ele é o principal cabeça da seita dos nazarenos
6 ई मन्‍दिरो केँ अपवित्र करबाक कोशिश कयलक, मुदा तखने हमरा लोकनि आबि एकरा पकड़ि लेलिऐक। [हम सभ अपन धर्म-नियमक अनुसार एकर फैसला कऽ देने रहितिऐक,
6 e tentou até mesmo profanar o templo; então o prendemos e quisemos julgá-lo segundo a nossa lei.
7 मुदा सेनापति लुसियास आबि कऽ हमरा सभक हाथ सँ एकरा जबरदस्‍ती छिनि लेलनि
7 Mas o comandante Lísias interveio, e com muita força o arrebatou de nossas mãos e ordenou que os seus acusadores se apresentassem.
8 और अभियोगी पक्ष केँ अपनेक सम्‍मुख उपस्‍थित होयबाक आज्ञा दऽ देलनि।] अपने स्‍वयं एकरा सँ पूछ-ताछ कऽ कऽ पता लगा सकब जे जाहि बातक आरोप हमरा लोकनि एकरा पर लगा रहल छी, से सभ सत्‍य अछि।”
8 Se tu mesmo o interrogares, poderás verificar a verdade a respeito de todas estas acusações que estamos fazendo contra ele".
9 यहूदी सभ सेहो हुनकर “हँ” मे “हँ” मिला कऽ आरोप लगाबऽ मे संग देलथिन आ कहैत रहलाह, “हँ, यैह बात सभ अछि।”
9 Os judeus confirmaram a acusação, garantindo que as afirmações eram verdadeiras.
10 राज्‍यपाल आब पौलुस केँ बजबाक लेल संकेत कयलनि, तँ ओ एहि प्रकारेँ उत्तर देलथिन, “ई बुझि जे अपने बहुत वर्ष सँ एहि यहूदी जातिक न्‍यायाधीश छी, हमरा अपनेक सामने अपन वयान देबऽ मे बड्ड प्रसन्‍नता भऽ रहल अछि।
10 Quando o governador lhe deu sinal para que falasse, Paulo declarou: "Sei que há muitos anos tens sido juiz nesta nação; por isso, de bom grado faço minha defesa.
11 हमरा यरूशलेम मे आराधना करबाक लेल गेला बारह दिन सँ बेसी नहि भेल अछि, तकर पता अपने सेहो लगा सकैत छी।
11 Facilmente poderás verificar que há menos de doze dias subi a Jerusalém para adorar a Deus.
12 ई सभ जे छथि, से हमरा ने तँ मन्‍दिर मे ककरो सँ वाद-विवाद करैत आ ने सभाघर मे वा शहर मे कतौ भीड़ केँ भड़कबैत पौलनि।
12 Meus acusadores não me encontraram discutindo com ninguém no templo, nem incitando uma multidão nas sinagogas ou em qualquer outro lugar na cidade.
13 जाहि बातक आरोप ई सभ आब हमरा पर लगा रहल छथि, से बात अपनेक सामने प्रमाणित नहि कऽ सकैत छथि।
13 Nem tampouco podem provar-te as acusações que agora estão levantando contra mim.
14 हँ, हम स्‍वीकार करैत छी जे हम एहि ‘बाट’ केँ मानैत छी, जकरा ई लोकनि ‘कुपंथ’ कहैत छथि, और एही बाटक अनुसार हम अपन पूर्वजक परमेश्‍वरक आराधना करैत छी। जे बात मूसाक धर्म-नियम मे आ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता लोकनिक लेख मे लिखल अछि, ताहि सभ पर हम एखनो विश्‍वास करैत छी।
14 Confesso-te, porém, que adoro o Deus dos nossos antepassados como seguidor do Caminho, a que chamam seita. Creio em tudo o que concorda com a Lei e no que está escrito nos Profetas,
15 हमर पूर्ण विश्‍वास अछि, जेना कि हिनको सभक छनि, जे परमेश्‍वर धर्मी और अधर्मी दूनू केँ मृत्‍युक बाद जिऔथिन।
15 e tenho em Deus a mesma esperança desses homens: de que haverá ressurreição tanto de justos como de injustos.
16 एहि कारणेँ हम सदिखन अपन जीवन ताहि तरहेँ व्‍यतीत करबाक प्रयत्‍न करैत छी, जाहि सँ हम परमेश्‍वरक आ मनुष्‍यक दृष्‍टि मे निर्दोष रही।
16 Por isso procuro sempre conservar minha consciência limpa diante de Deus e dos homens.
17 “बहुत वर्षक बाद हम अपन जातिक गरीब लोक सभक लेल दान पहुँचाबऽ और परमेश्‍वर केँ चढ़ौना चढ़यबाक लेल यरूशलेम घूमि अयलहुँ।
17 "Depois de estar ausente por vários anos, vim a Jerusalém para trazer esmolas ao meu povo e apresentar ofertas.
18 एही काजक समय मे ई सभ हमरा मन्‍दिर मे देखलनि। हम शुद्धीकरणक विधि सभ पूरा कऽ लेने छलहुँ, और हमरा संग ने कोनो भीड़ छल आ ने कोनो बातक हुल्‍लड़ि मचि रहल छल।
18 Enquanto fazia isso, já cerimonialmente puro, encontraram-me no templo, sem envolver-me em nenhum ajuntamento ou tumulto.
19 मुदा तखन आसिया प्रदेशक किछु यहूदी सभ अयलाह आ... उचित तँ ई रहैत जे, जँ हुनका सभ केँ हमरा विरोध मे किछु छलनि तँ ओ सभ स्‍वयं अपनेक समक्ष एतऽ उपस्‍थित भऽ कऽ अपन आरोप हमरा पर लगबितथि।
19 Mas há alguns judeus da província da Ásia que deveriam estar aqui diante de ti e apresentar acusações, se é que têm algo contra mim.
20 आब तँ, ई सभ जे छथि, से सभ एखन कहथु जे हम जखन धर्म-महासभाक सामने मे ठाढ़ छलहुँ तखन ई सभ हमरा कोन अपराधक दोषी पौलनि।
20 Ou os que aqui se acham deveriam declarar que crime encontraram em mim quando fui levado perante o Sinédrio,
21 एकेटा ई बात भऽ सकत जे हम हिनका सभक सामने मे ठाढ़ भऽ कऽ जोर सँ कहलहुँ जे, ‘अहाँ सभक समक्ष हमर न्‍याय आइ एही कारणेँ कयल जा रहल अछि जे, हमर पूर्ण विश्‍वास अछि जे परमेश्‍वर मुइल सभ केँ जिऔथिन।’ ”
21 a não ser que tenha sido este: quando me apresentei a eles, bradei: Por causa da ressurreição dos mortos estou sendo julgado hoje diante de vocês".
22 तखन फेलिक्‍स, जे एहि “बाट”क बारे मे नीक जकाँ जनैत छलाह, ई कहि मोकदमाक सुनवाइ बन्‍द कयलनि जे, “सेनापति लुसियास जखन आबि जयताह, तखन अहाँ सभक मोकदमाक निर्णय करब।”
22 Então Félix, que tinha bom conhecimento do Caminho, adiou a causa e disse: "Quando chegar o comandante Lísias, decidirei o caso de vocês".
23 ओ कप्‍तान केँ आदेश देलथिन जे पौलुस केँ किछु स्‍वतन्‍त्रताक संग पहरा मे राखल जाय आ हुनकर साथी-संगी सभ केँ हुनकर आवश्‍यकताक पूर्ति करऽ सँ रोकल नहि जाय।
23 E ordenou ao centurião que mantivesse Paulo sob custódia, mas que lhe desse certa liberdade e permitisse que os seus amigos o servissem.
24 किछु दिनक बाद फेलिक्‍स अपन घरवाली द्रुसिल्‍ला, जे यहूदी जातिक छलीह, तिनका लऽ कऽ अयलाह आ पौलुस केँ बजबौलनि। पौलुस हुनका सँ प्रभु यीशु मसीह पर विश्‍वास करबाक सम्‍बन्‍ध मे बात करऽ लगलाह आ फेलिक्‍स सुनैत रहलाह।
24 Vários dias depois, Félix veio com Drusila sua mulher, que era judia, mandou chamar Paulo e o ouviu falar sobre a fé em Cristo Jesus.
25 मुदा जखन ओ धार्मिकता, अपना केँ वश मे रखनाइ, और परमेश्‍वरक आबऽ वला न्‍यायक दिनक विषय मे बाजऽ लगलाह, तखन फेलिक्‍स भयभीत भऽ उठलाह आ कहलथिन, “आब रहऽ दैह! एखन तोँ जा सकैत छह। फेर फुरसति भेटला पर हम तोरा बजयबह।”
25 Quando Paulo se pôs a discorrer acerca da justiça, do domínio próprio e do juízo vindouro, Félix teve medo e disse: "Basta, por enquanto! Pode sair. Quando achar conveniente, mandarei chamá-lo de novo".
26 संगहि-संग ओ पौलुस सँ घूस प्राप्‍त करबाक आशा रखैत छलाह, आ तेँ हुनका बेर-बेर बजबा कऽ हुनका संग बात-चीत करैत छलाह।
26 Ao mesmo tempo esperava que Paulo lhe oferecesse algum dinheiro, pelo que mandava buscá-lo freqüentemente e conversava com ele.
27 दू वर्ष बितलाक बाद फेलिक्‍सक जगह पर पुरखियुस फेस्‍तुस राज्‍यपालक पद पर अयलाह, आ फेलिक्‍स यहूदी सभ केँ खुश करबाक उद्देश्‍य सँ पौलुस केँ जहल मे बन्‍दे छोड़ि गेलाह।
27 Passados dois anos, Félix foi sucedido por Pórcio Festo; todavia, porque desejava manter a simpatia dos judeus, Félix deixou Paulo na prisão.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 24, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.