Atos 19

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 जखन अपुल्‍लोस कोरिन्‍थ नगर मे छलाह, तखन पौलुस समुद्र सँ दूर वला इलाका सभ दऽ कऽ इफिसुस नगर अयलाह, जतऽ हुनका किछु शिष्‍य सभ भेटलनि।
1 E sucedeu que, enquanto Apolo estava em Corinto, Paulo, tendo passado por todas as regiões superiores, chegou a Éfeso e, achando ali alguns discípulos,
2 ओ ओकरा सभ केँ पुछलथिन, “अहाँ सभ जखन विश्‍वास कयलहुँ तँ की पवित्र आत्‍मा अहाँ सभ केँ प्राप्‍त भेलाह?” ओ सभ उत्तर देलकनि, “नहि। हम सभ तँ से सुननहु नहि छी जे पवित्र आत्‍मा होइत छथि।”
2 disse-lhes: Recebestes vós já o Espírito Santo quando crestes? E eles disseram-lhe: Nós nem ainda ouvimos que haja Espírito Santo.
3 पौलुस पुछलथिन, “तँ कोन बात विश्‍वास कऽ कऽ बपतिस्‍मा लेलहुँ?” ओ सभ जबाब देलकनि, “जे बात यूहन्‍ना सिखबैत छलाह।”
3 Perguntou-lhes, então: Em que sois batizados, então? E eles disseram: No batismo de João.
4 एहि पर पौलुस ओकरा सभ केँ बुझौलथिन, “यूहन्‍नाक बपतिस्‍मा ई देखयबाक लेल छल जे, पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन कयलहुँ, मुदा यूहन्‍ना लोक सभ केँ इहो सिखबैत छलाह जे, जे हमरा बाद मे आबि रहल छथि, अर्थात् यीशु, तिनका पर विश्‍वास करू।”
4 Mas Paulo disse: Certamente João batizou com o batismo do arrependimento, dizendo ao povo que cresse no que após ele havia de vir, isto é, em Jesus Cristo.
5 ओ सभ ई बात सुनि यीशुक नाम मे बपतिस्‍मा लेलक।
5 E os que ouviram foram batizados em nome do Senhor Jesus.
6 पौलुस ओकरा सभ पर हाथ रखलनि तँ पवित्र आत्‍मा ओकरा सभ मे अयलाह। ओ सभ अनजान भाषा मे बाजऽ लागल आ प्रभु सँ पाओल सम्‍बाद सभ सुनाबऽ लागल।
6 E, impondo-lhes Paulo as mãos, veio sobre eles o Espírito Santo; e falavam línguas e profetizavam.
7 ओ सभ करीब बारह गोटे छल।
7 Estes eram, ao todo, uns doze varões.
8 तीन मास धरि पौलुस ओतुक्‍का सभाघर मे जा कऽ निर्भयतापूर्बक लोक सभ सँ बात-चीत आ तर्क-वितर्क कऽ कऽ ओकरा सभ केँ परमेश्‍वरक राज्‍यक विषय मे बुझबैत रहलाह।
8 E, entrando na sinagoga, falou ousadamente por espaço de três meses, disputando e persuadindo-os acerca do Reino de Deus.
9 मुदा जखन ओकरा सभ मे सँ किछु लोक जिद्दिया कऽ शुभ समाचार नहि मानलक आ सौंसे सभाक सामने मे प्रभुक बाटक निन्‍दा करऽ लागल, तँ पौलुस ओकरा सभ केँ छोड़ि देलनि आ शिष्‍य सभ केँ अपना संग लऽ कऽ चल अयलाह। आब ओ सभ तुरन्‍नुस नामक व्‍यक्‍तिक भवन मे जा कऽ प्रति दिन तर्क-वितर्क करऽ लगलाह।
9 Mas, como alguns deles se endurecessem e não obedecessem, falando mal do Caminho perante a multidão, retirou-se deles e separou os discípulos, disputando todos os dias na escola de um certo Tirano.
10 ई क्रम दू वर्ष धरि चलल। फलस्‍वरूप आसिया प्रदेश मे रहऽ वला सभ लोक, यहूदी आ यूनानी दूनू, प्रभुक वचन सुनऽ पौलक।
10 E durou isto por espaço de dois anos, de tal maneira que todos os que habitavam na Ásia ouviram a palavra do Senhor Jesus, tanto judeus como gregos.
11 परमेश्‍वर पौलुसक माध्‍यम सँ बहुत अद्‌भुत चमत्‍कार करैत छलाह।
11 E Deus, pelas mãos de Paulo, fazia maravilhas extraordinárias,
12 लोक सभ रुमाल आ अंगपोछा हुनका देह मे छुआ कऽ अस्‍वस्‍थ लोक सभ लग लऽ जाइत छल, तँ ओ सभ अपना बिमारी सँ मुक्‍त भऽ जाइत छल आ दुष्‍टात्‍मा सभ ओकरा सभ मे सँ निकलि जाइत छलैक।
12 de sorte que até os lenços e aventais se levavam do seu corpo aos enfermos, e as enfermidades fugiam deles, e os espíritos malignos saíam.
13 एहि पर एम्‍हर-ओम्‍हर घुम-फिर करऽ वला किछु यहूदी ओझा-गुनी दुष्‍टात्‍मा सँ ग्रसित लोक सभ पर यीशुक नामक प्रयोग करबाक कोशिश कयलक। ओ सभ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ एना कहैत छलैक, “यीशुक नाम सँ, जिनकर प्रचार पौलुस करैत छथि, हम तोरा आज्ञा दैत छिऔ—तोँ एकरा मे सँ निकल!”
13 E alguns dos exorcistas judeus, ambulantes, tentavam invocar o nome do Senhor Jesus sobre os que tinham espíritos malignos, dizendo: Esconjuro-vos por Jesus, a quem Paulo prega.
14 एहि ओझा-गुनी सभ मे यहूदी सभक एक मुख्‍यपुरोहित, जिनकर नाम स्‍कीवा छलनि, तिनकर सातटा बेटा सेहो छल।
14 Os que faziam isto eram sete filhos de Ceva, judeu, principal dos sacerdotes.
15 एक बेर दुष्‍टात्‍मा ओकरा सभ केँ उत्तर देलकैक, “यीशु केँ हम जनैत छियनि, आ पौलुस केँ चिन्‍हैत छियनि, लेकिन तोँ सभ के छेँ?”
15 Respondendo, porém, o espírito maligno, disse: Conheço a Jesus e bem sei quem é Paulo; mas vós, quem sois?
16 तखन ओ दुष्‍टात्‍मा लागल आदमी ओकरा सभ पर झपटि कऽ सभ केँ पछाड़ि देलकैक, आ ततेक मारलकैक-पिटलकैक, जे ओ सभ नंगटे आ घायल भऽ कऽ ओहि घर सँ भागि गेल।
16 E, saltando neles o homem que tinha o espírito maligno e assenhoreando-se de dois, pôde mais do que eles; de tal maneira que, nus e feridos, fugiram daquela casa.
17 एहि घटनाक बारे मे जखन इफिसुसक निवासी, यहूदी आ यूनानी सभ सुनलक, तँ ओकरा सभ केँ बड़का डर सन्‍हिया गेलैक, आ प्रभु यीशुक प्रति आदर बहुत बढ़ि गेलैक।
17 E foi isto notório a todos os que habitavam em Éfeso, tanto judeus como gregos; e caiu temor sobre todos eles, e o nome do Senhor Jesus era engrandecido.
18 विश्‍वासिओ सभ मे सँ बहुत गोटे आबि कऽ अपन गलत काज सभ खुलि कऽ मानि लेलक,
18 Muitos dos que tinham crido vinham, confessando e publicando os seus feitos.
19 आ बहुत जादू-टोना करऽ वला सभ अपन पोथी सभ जमा कऽ कऽ सभक सामने मे जरा देलक। जखन ओहि सभ पोथीक मूल्‍यांकन कयल गेल तँ ओ पचास हजार चानीक सिक्‍काक छल।
19 Também muitos dos que seguiam artes mágicas trouxeram os seus livros e os queimaram na presença de todos, e, feita a conta do seu preço, acharam que montava a cinquenta mil peças de prata.
20 एहि तरहेँ प्रभुक वचन आरो पसरैत गेल, और शक्‍ति आ प्रभाव मे बढ़ैत गेल।
20 Assim, a palavra do Senhor crescia poderosamente e prevalecia.
21 एहि घटना सभक बाद पौलुस अपना मोन मे मकिदुनिया और अखाया प्रदेश दऽ कऽ यरूशलेम जयबाक निर्णय कऽ लेलनि। ओ कहलनि, “ओतऽ पहुँचलाक बाद हमरा रोम सेहो गेनाइ आवश्‍यक अछि।”
21 E, cumpridas estas coisas, Paulo propôs, em espírito, ir a Jerusalém, passando pela Macedônia e pela Acaia, dizendo: Depois que houver estado ali, importa-me ver também Roma.
22 तखन ओ अपन दूटा सहकर्मी तिमुथियुस आ इरास्‍तुस केँ आगाँ मकिदुनिया पठा कऽ अपने किछु दिन आओर आसिया प्रदेश मे रहलाह।
22 E, enviando à Macedônia dois daqueles que o serviam, Timóteo e Erasto, ficou ele por algum tempo na Ásia.
23 एही समय मे प्रभुक “बाट” केँ लऽ कऽ इफिसुस शहर मे बड़का खलबली मचि गेल।
23 Naquele mesmo tempo, houve um não pequeno alvoroço acerca do Caminho.
24 देमेत्रियुस नामक एक सोनार, जे अरतिमिस देवीक मन्‍दिरक चानीक मुरुत बनबैत छल आ कारीगर सभ केँ सेहो बहुते काज दिअबैत छल,
24 Porque um certo ourives da prata, por nome Demétrio, que fazia, de prata, nichos de Diana, dava não pouco lucro aos artífices,
25 से एक दिन अपन कारीगर सभ आ एहि व्‍यवसाय सँ सम्‍बन्‍धित आरो कारीगर सभ केँ सेहो जमा कऽ कऽ कहलकैक, “यौ भाइ लोकनि! अहाँ सभ केँ बुझले अछि जे अपना सभक सभ धन-सम्‍पत्ति एही व्‍यवसाय सँ अछि।
25 aos quais, havendo-os ajuntado com os oficiais de obras semelhantes, disse: Varões, vós bem sabeis que deste ofício temos a nossa prosperidade;
26 और इहो देखि आ सुनि रहल छी जे ई पौलुस कोना इफिसुसो मे आ करीब-करीब सौंसे आसिया प्रदेश मे बहुतो लोक केँ समझा-बुझा कऽ बहका देने छैक जे, हाथक बनाओल देवता तँ देवता अछिए नहि।
26 e bem vedes e ouvis que não só em Éfeso, mas até quase em toda a Ásia, este Paulo tem convencido e afastado uma grande multidão, dizendo que não são deuses os que se fazem com as mãos.
27 एहि सँ एतबे बातक खतरा नहि, जे अपना सभक व्‍यवसायक प्रतिष्‍ठा जाइत रहत, बल्‍कि एकरो जे महान् देवी अरतिमिसक मन्‍दिर तुच्‍छ बुझल जयतनि, और ई देवी जिनकर पूजा आसिया प्रदेश मे आ सौंसे संसार मे सेहो कयल जाइत छनि, तिनकर ईश्‍वरीय गौरव समाप्‍त भऽ जयतनि।”
27 Não somente há o perigo de que a nossa profissão caia em descrédito, mas também de que o próprio templo da grande deusa Diana seja estimado em nada, vindo a majestade daquela que toda a Ásia e o mundo veneram a ser destruída.
28 ई सुनि ओकरा सभक क्रोध भड़कि उठल और ओ सभ जोर-जोर सँ नारा लगाबऽ लागल जे, “इफिसी सभक अरतिमिस देवी महान्‌ छथि!”
28 Ouvindo isto, encheram-se de ira e clamaram, dizendo: Grande é a Diana dos efésios!
29 आब सौंसे शहर मे हुल्‍लड़ि मचि गेल। लोक सभ गयुस और अरिस्‍तर्खुस, जे मकिदुनिया प्रदेशक छलाह आ पौलुसक संग यात्रा कऽ रहल छलाह, तिनका सभ केँ पकड़ि लेलकनि आ सभ केओ एक जुट भऽ कऽ खेलक मैदान दिस दौड़ि पड़ल।
29 E encheu-se de confusão toda a cidade, e unânimes correram ao teatro, arrebatando a Gaio e a Aristarco, macedônios, companheiros de Paulo na viagem.
30 पौलुस भीड़क समक्ष जा कऽ लोक सभ केँ किछु कहऽ चाहैत छलाह, मुदा आरो शिष्‍य सभ हुनका ओतऽ नहि जाय देलथिन।
30 E, querendo Paulo apresentar-se ao povo, não lho permitiram os discípulos.
31 आसियाक किछु उच्‍चाधिकारी सभ, जे पौलुसक मित्र छलनि, सेहो हुनका खबरि पठा कऽ आग्रह कयलथिन जे ओ मैदान मे जयबाक कोशिश नहि करथि।
31 Também alguns dos principais da Ásia, que eram seus amigos, lhe rogaram que não se apresentasse no teatro.
32 एम्‍हर मैदान मे लोक सभक बीच ततेक गड़बड़ी छल जे ओ सभ हल्‍ला कऽ कऽ केओ किछु कहैत छल, तँ केओ किछु। विशेष लोक इहो नहि जनैत छल जे एतऽ आयल छी किएक।
32 Uns, pois, clamavam de uma maneira, outros, de outra, porque o ajuntamento era confuso; e os mais deles não sabiam por que causa se tinham ajuntado.
33 तखन यहूदी सभ सिकन्‍दर केँ ठेलि-ठालि कऽ प्रवक्‍ताक रूप मे सभाक आगाँ ठाढ़ कऽ देलकनि, और भीड़ मे सँ किछु लोक हुनका निर्देश देबऽ लगलनि। ओ भीड़ केँ चुप रहबाक लेल हाथ सँ संकेत कऽ कऽ लोक केँ बुझाबऽ लगलाह,
33 Então, tiraram Alexandre dentre a multidão, impelindo-o os judeus para diante; e Alexandre, acenando com a mão, queria dar razão disto ao povo.
34 मुदा लोक सभ जखन बुझलक जे ई यहूदी अछि तँ करीब दू घण्‍टा धरि एक स्‍वर मे नारा लगबैत रहल जे, “इफिसी सभक अरतिमिस देवी महान्‌ छथि!”
34 Mas, quando conheceram que era judeu, todos unanimemente levantaram a voz, clamando por espaço de quase duas horas: Grande é a Diana dos efésios!
35 अन्‍त मे शहरक प्रधानजी भीड़ केँ शान्‍त कयलनि आ कहलथिन, “यौ इफिसुस-निवासी सभ! की संसारक प्रत्‍येक मनुष्‍य ई नहि जनैत अछि जे इफिसुस शहर महान् देवी अरतिमिसक मन्‍दिर आ आकाश सँ खसल हुनकर मुरुतक रक्षक अछि?
35 Então, o escrivão da cidade, tendo apaziguado a multidão, disse: Varões efésios, qual é o homem que não sabe que a cidade dos efésios é a guardadora do templo da grande deusa Diana e da imagem que desceu de Júpiter?
36 ई बात जखन निर्विवाद अछि तँ अहाँ सभ केँ शान्‍त रहबाक चाही आ बिनु सोचने-विचारने किछु नहि करबाक चाही।
36 Ora, não podendo isto ser contraditado, convém que vos aplaqueis e nada façais temerariamente;
37 कारण, अहाँ सभ तँ एहन व्‍यक्‍ति सभ केँ पकड़ि कऽ अनने छी जे ने तँ मन्‍दिर केँ लुटने अछि आ ने अपना सभक देवीक अपमान कयने अछि।
37 porque estes homens que aqui trouxestes nem são sacrílegos nem blasfemam da vossa deusa.
38 तेँ जँ देमेत्रियुस आ हुनकर संगी कारीगर सभ केँ ककरो सँ सिकायत छनि तँ कचहरी खुजल अछि आ न्‍यायाधीश लोकनि सेहो छथि। ओ सभ अपन अभियोग कचहरी मे पेश करथु।
38 Mas, se Demétrio e os artífices que estão com ele têm alguma coisa contra alguém, há audiências e há procônsules; que se acusem uns aos outros.
39 और जँ अहाँ सभ कोनो दोसर प्रश्‍न उठाबऽ चाहैत होइ तँ तकर निर्णय नियमित नागरिक-सभा मे कयल जायत।
39 Mas, se alguma outra coisa demandais, averiguar-se-á em legítimo ajuntamento.
40 एखन हमरा डर अछि जे अजुका घटनाक कारणेँ कतौ अपना सभ पर दंगाक आरोप ने लगाओल जाय, कारण ई हुल्‍लड़ि बिनु कारणेँ छल, आ एकरा बारे मे अपना सभ कोनो उत्तर नहि दऽ सकब।”
40 Na verdade, até corremos perigo de que, por hoje, sejamos acusados de sedição, não havendo causa alguma com que possamos justificar este concurso.
41 एतबा कहि ओ सभा केँ समाप्‍त कऽ देलनि।
41 E, tendo dito isto, despediu o ajuntamento.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 19, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.